Leviticus15

1यहोवा फेरु मूसा आ हारूनस' कहलनि,2“इजराएलीसबके कहि दिऔ जे जेकरामे धातु रोग छै, से अशुद्ध अछि।3ओकर शरीरस' धातु खसए वा नहि, केओगोटे अशुद्ध भेलाके कारण ओहि पुरुषके नहि छुबए।4ओकर सूतएबला ओछाओन, बैसएबला कोनो बस्तुके दोसर लोक नहि छुबए नहि त ओहो अशुद्ध भ' जाएत।5केओ ओकर ओछाओन छुबैत अछि त' ओकरा नहा क' कपड़ा धोएबाक चाही, आ ओ मनुष्य सांझ धरि अशुद्ध रहत।6केओ ओकर बैसल जगहपर बैसि जाएत त' ओ मनुष्य अपन कपड़ा धो' क' नहाए आ ओ सांझ धरि अशुद्ध रहत।7केओ ओकरा छुबैत अछि त' ओ अपन कपड़ा धो' क' नहाए आ ओ सांझ धरि अशुद्ध रहत।8यदि ओ केकरोपर थुकि दैत अछि जे शुद्ध अछि, त' ओ मनुष्य सेहो सांझ धरि अशुद्ध भ' जाएत आ ओकरा कपड़ा धोक' नहाए पड़त9ओ रोगी मनुष्य जे चीजसब पर बैसल चाहे ओ घोड़ा आ गदहा होए ओसब अपवित्र भ' जाएत, ओहिसबके नहि छुबू।10केओ ओकर बैसल जगहपर बैसल आ ओकर चप्पल छुत त' ओ मनुष्य सांझ धरि अशुद्ध भ' जाएत। जे ओहि बस्तुसब मे स' किछु उठाओत त' सांझ धरि ओ अशुद्ध रहत, आ ओ अपन कपड़ा धो' क' नहाए11ओ रोगी मनुष्य केकरो छुबए चाहैत अछि त' पहिने ओ अपन हाथके पानिस' धोएबाक चाही, यदि ओ एहि तरहें नहि क' क' केकरो छुबैत अछि त' छुबए बाला मनुष्य सांझ धरि अशुद्ध रहत आ ओ अपन कपड़ा धो' क' नहाए। ओकरा सांझ धरि केओ नहि छुत।12यदि ओ मनुष्य माटिक वर्तन छुबैत अछि त' ओ वर्तन फोड़ि दिऔक। मुदा ओ वर्तन काठके अछि त' ओहिके पानिस' नीकस' मांजि दिऔक।13यदि ओ रोगी मनुष्य ओहि रोगस' ठीक भ' जाइत अछि, त ओ सात दिनधरि प्रतीक्षा करए। तखन ओ झरनाके टटका पानिस' नहा लिअ। तखन ओ रोगस' शुद्ध भ' जाएत।14आठम दिन ओकरा दूटा पेउरकी आ दूटा पड़वा ल' क' पवित्र तम्बूक प्रवेशद्वारपर यहोवाके आगु आबिक' पुजारीके देबाक चाही।15पुजारी ओकरासबहक बलिदान देताह। एकटा चिड़ै ओहि आदमीक पापक बलिदान होअए त, आ पुजारी दोसर चिड़ैके वेदीपर पूरा तरहें जरा देत। तखन ओ आदमी फेरु शुद्ध आ यहोवाके लेल स्वीकार होअए त।16जखन गल्तीस' पुरुषक अंगस' वीर्य बहैत छै त' ओकरा पूरा शरीरके नहेंबाक चाही, आ ओहि सांझ धरि ओ अशुद्ध रहत।17जे कोनो वस्त्र आ चमड़ा पर वीर्य खसत, ओकरा धोबए पड़त, आ ओहि सांझ धरि ओ अपवित्र रहत।18जखन पुरुष कोनो स्त्रीके स' संग सम्भोग करैत अछि त' दुनूगोटेके स्नान करबाक चाही आ ओहि सांझ धरि ओसब अशुद्ध रहत। 19जखन स्त्रीके महिनाबारी होइत अछि, तखन सात दिनधरि ओ अशुद्ध रहत। ओहि समयमे जं केओ ओकरा छूत सेहो ओहि सांझ धरि लेल अशुद्ध भ' जाएत।20ओहि समयमे जे कोनो वस्तुपर ओ सूतत आ बैसल, ओ हरेक बस्तु अशुद्ध भ' जाएत।21जे केओ ओकर ओछाओन छुत, तेकरा अपन कपड़ा धोक' नहाए पड़त, आ ओहि सांझ धरि ओ अशुद्ध अछि।22जे केओ कोनो एहन चीज छूत जाहिपर ओ बैसल छल, ओछाओन आ कोनो आन वस्तु, ओकरा अपन कपड़ा धोबए पड़त, आ ओहि सांझ धरि ओ अशुद्ध अछि।24जं कोनो पुरुष महिनाबारीके समय कोनो स्त्रीके स' संग सुतए आ महिनाबारीक किछु लेहू ओकरा लागि जाएत' सात दिनधरि ओ अशुद्ध रहत आ ओ पलंग सेहो अशुद्ध भ' जाएत जाहिपर ओ सूतल छल।25यदि स्त्रीके बहुत दिन धरि लेहू बहैत होअए, महिनाबारीक सामान्य लेहू बहब नहि अछि आ जं ओकर महिनाबारीक समाप्त भेलाक बाद ओकर लेहू बहनाइ जारी रहैत अछि त' जाधरि ओ रुकि नहि जाए ताधरि ओ अशुद्ध रहत। 26जखन ओ लेहू बहैत रहैत अछि, ओहि पलंगपर केओ हाथ नहि लगा सकैत अछि, जाहिपर ओ बैसल रहैत अछि, ठीक ओहिना जेना हुनकर सामान्य महिनाबारीक समयमे होइत छनि, अशुद्ध रहत।27जे केओ ओहि वस्तुसबके छुबैत अछि, से केकरो आन के नहि छुबए। कपड़ा धोक' नहाए पड़त, आ ओहि सांझ धरि ओ अशुद्ध रहत।28जं स्त्रीके लेहू बहब शुद्ध जाइत अछि त' ओकरा केकरो छुबए स' पहिने सात दिन प्रतीक्षा करबाक चाही।29आठम दिन दूटा पेउरकी आ दूटा पड़वाके पवित्र तम्बूक प्रवेशद्वारपर पुजारीलग ल' जएबाक चाही।30पुजारीके ओहिमेस' एकटाके ओहि स्त्रीके पापक बलि लेल देबाक चाही आ दोसरके वेदीपर पूरा तरहेस' जरा देबाक चाही अर्थात् एकटा पापबलि आ दोसर होमबलिके लेल। तखन ओ फेरु अपन मासिक धर्मके अशुद्धता स' शुद्ध भ' जाएत आ यहोवाके स्वीकार भ' जएतीह।31अहाँसबके ईसब काज करबाक चाही जाहिस' इजराएली लोकसब हमरालेल अशुद्ध समयमे हमर पवित्र तम्बूके अशुद्ध नहि करए, जत हम ओकरासबहक बीच रहैत छी। एहिलेल ओसब एकरा अशुद्ध करत, त' मरत।32ईसब नियम धातु खसल पुरुषक अछि, आ जेकर वीर्य निकलैत अछि, जखन एहन होइत अछि ओ अशुद्ध अछि।33आ महिनाबरीक समयमे कोनो महिलाके लेल आ महिनाबरीक समयमे स्त्रीस' संग सम्भोग करएबला पुरुषक लेल सेहो अशुद्ध रहत से ई नियमसब अछि।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67