Leviticus14
1यहोवा फेरु मूसास' कहलनि,2“ईसब लोकक लेल नियम पालन करबाक अछि जे सब चमररोग ठीक भेल अछि आ ओकरा पुजारीलग अनबाक चाही। 3दोसर लोकसब ओहि मनुष्यके विषयमे पुजारीके कहियौ। पुजारी ओकरा तम्बूके बाहर ल' जा' क' जांच करए। यदी चमररोग ठीक भ' गेल अछि त, 4पुजारी आदेश देताह जे ओ दूटा जीवित चिड़ै जे यहोवाके स्वीकार होए, स' संगहि किछु देवदारके काठ, किछु लाल रंगके धागा आ किछु हिसप सेहो अहाँसब आनू। 5तखन पुजारी आज्ञा देथिन जे एकटा चिड़ैके माटिक वर्तन पर राखिक' मारल जाए, जाहिमे झरनाके पानि अर्थात् मीठ पानि राखल गेल होअए।6तखन पुजारी दोसर चिड़ैके देवदारके काठ, लाल रंगके धागा आ हिसपके ओहि पानिमे डुबा देताह, जाहिमे आब मारल गेल चिड़ैके लेहू अछि।7तखन ओ संक्रमीत छाला ठीक भेल मनुष्यपर किछु पानि आ लेहू छिड़कि देताह। ओकरापर सात बेर छिड़कए पड़त। तखन घोषणा करताह जे ओ शुद्ध अछि आ ओहि मनुष्यके फेरुस' दोसर लोकक स' संग रहबाक अनुमति अछि। आ पुजारी दोसर चिड़ैके उड़ा देताह।8तखन जे ठीक भेल अछि ओ शुद्ध होबएलेल अपन कपड़ा धो' केश मुंडन क' क' नहा लिअ। ओसब काज कएलाक बाद शिबिरमे आबि सकैत अछि, मुदा ओकरा सात दिनधरि अपन शिबिरक' बाहर रहए पड़त।9सातम दिन फेरु ओकरा अपन दाढ़ी आ भौंह सहित केश मुंडन करबाक चाही। तखन फेरु कपड़ा धो' क' नहाए पड़त। तब ओ शुद्ध भ' जाएत आ ओकरा फेरु दोसर लोकक संग रहबाक अनुमति भेटतैक।10दोसर दिन ओ व्यक्तिके दू' टा नर भेंड़ आ एकटा मादा भेंड़ आनए पड़त। मादा भेंड़ एक सालक होअए होएबाक चाही, आ ओहिमे कोनो दोष नहि होअए होएबाक चाही। अन्नबलिके' लेल जैतूनक तेलमे मिलाओल, साढे छ लीटर मिहीन आंटा आ लगभग एक तिहाइ लीटर जैतूनक तेल सेहो बलिदानक' लेल आनए पड़त।11जे पुजारी ई घोषणा कएने छल जे ओहि व्यक्तिक छालाक रोग ठीक भ' गेल अछि, ओकरा पवित्र तम्बूक प्रवेशद्वारपर ओहि व्यक्ति आ ओकर बलिदानक सेहो यहोवा समक्ष अनबाक चाही।12तखन पुजारीके एकटा भेंड़के ल' क' जैतूनक तेलक स' संग उपर उठाबए, जाहिस' ई देखाओल जाए जे ओ दोषबलीके रुपमे यहोवाके द' रहल छनि, किएक त' ओ रोगी यहोवाके ओसब वस्तु नहि द' सकलाह जे ओकरा देब' पड़ैत छल।13तखन पुजारीके ओहि विशेष स्थानपर भेंड़के मारि देबाक चाही जत पुजारीसब पापबलि आ आन बलिदानक सेहो मारैत छनि। जेना लोकके क्षमा करएमे सक्षम बनाबए बलिदान, यहोवा एहि दोषबलीके बहुत विशेष मानैत छनि, आ तएं माउस पुजारीके होअए त।14पुजारीके ओहि दोषबली जानबरके खूनमेस' किछु ल' क' ओहि शुद्ध होबएबला व्यक्तिके दहिना कानके लटकल माउस पर, ओकर दहिना अंगूठा पर आ ओकर दहिना पयरक पैघ आंगुर पर लगा देब पड़त।15तखन पुजारीके जैतूनक तेलमेस' किछु ल' क' अपन बामा हाथके हथेली पर ढारि लेबाक चाही।16तखन पुजारी अपन दहिना हाथ आंगुरके ओहि तेलमे डुबाक' सात बेर यहोवाके सामने छिड़कि देथिन।17पुजारी अपन हाथमे शेष तेल शुद्ध करबाक लेल व्यक्तिक दहिना कानक नोख, दहिना हाथके अंगूठा आ दहिना पयरक अंगूठा पर राखि देताह। हुनका एहि तेलके दोषबलीके रक्तक उपर रखबाक चाही।18पुजारीके हाथमे जे तेल बचल अछि से ओहि शुद्ध हुअएबला व्यक्तिक माथपर लगाक' प्रायश्चित क' देबाक चाही। एहिस' ई पता चलत जे यहोवा ओहि व्यक्तिक पापके माफ क' देने छथि।19तखन पुजारीके ओहि भेंड़के मारि देबाक चाही जे अपन अशुद्धता स शुद्ध हुअएबला ओ व्यक्ति अनने छल। ई व्यक्तिके पापके बलिदान होअए त, जाहिस' यहोवा ओकरा क्षमाक' देताह। तेकरबाद पुजारी दोसर भेंड़के मारिक' वेदीपर पूरा जरा देताह।20पुजारी आंटास' बनल बलिदानक सेहो वेदीपर जरा देताह, स' संगहि पूरा होमबलि सेहो। प्रायश्चित कएलाके बाद ओ व्यक्ति शिविरमे स्वीकार होअए त, ओकरा दोसर लोकक स' संग रहबाक अनुमति भेटत।21मुदा जं ओ व्यक्ति ठीक भ' गेल अछि आ ओहि सब पशुके अनबाक सामर्थ्य नहि अछि त' ओकरा एकटा दोषबलीके लेल भेंड़के पुजारीलग अनबाक चाही जाहिस' पुजारी ओकरा उठाक' यहोवाके चढ़ा सकए। ई बलिदान होअए त किएक त' रोगी व्यक्ति यहोवाके ओ चीज नहि द' सकल जे ओकरा देबाक छल। ओकरा लगभग दू लीटर आंटा सेहो अनबाक चाही जाहिमे लगभग एक तिहाइ लीटर जैतूनक तेल मिलाओल जाएत, ई आंटास' बनल बलिदान होअए त। ओकरा लगभग एक तिहाइ लीटर जैतूनक तेल सेहो आनए पड़त।22ओकरा दूटा पड़वा आ दूटा पेउरकी सेहो अनबाक चाही, एकटा पापबलिके रुपमे जे यहोवा अहाँके पाप क्षमा करबाक लेल आ एकटा पुजारीक लेल जे वेदीपर पूर्णरुपस' जरौतनि ओसब पवित्र तम्बूक प्रवेशद्वारपर पुजारीके द' क' यहोवाके अर्पित करबाक लेल अछि।23आठम दिन ओ ओकरासबके शुद्ध होबएलेल यहोवाके आगु, तम्बूके प्रवेशद्वारपर, पुजारीलग लाबहिके चाही।24तखन पुजारी दोषबलीमे भेंड़ आ जैतूनक तेल ल' क' यहोवाके लेल बलिदानक रुपमे उठाक' हुनका भेट करताह।25तखन पुजारी ओहि भेंड़के दोषबलीके रुपमे मारिक' ओहिमेस' किछु लेहू एकटा कटोरामे राखि लेताह। ओ किछु लेहू ल' क' ओहि शुद्ध हुअएबला व्यक्तिक दहिना कानके लटकल माउस, ओकर दहिना अंगूठा, आ ओकर दहिना पयरक पैघ आंगुर पर लगा देताह।26तखन पुजारीके जैतूनक तेलमेस' किछु ल' क' अपन बामा हाथके हथेलीमे ढारि लेबाक चाही।27तखन पुजारी अपन दहिना आंगुरके ओहि तेलमे डुबाक' सात बेर यहोवाके सामने छिड़कि देथिन।28पुजारी अपन हथेलीमेस' किछु तेल ठीक ओ शुद्ध हुअएबला व्यक्तिके ओएह ठाम राखि देथि जत ओ दोषबलीके लेहू रखने छलथि।29जे तेल पुजारीके हाथमे बचल अछि से शुद्ध हुअएबला व्यक्तिक माथपर लगाक' प्रायश्चित क' देथिन। एहिस' ई पता चलत जे यहोवा ओहि व्यक्तिक पापके माफ क' देने छनि।30तखन पुजारीके पड़वा आ पेउरकी सबहक बलिदान करबाक चाही, जे ओ व्यक्ति अनने रहए।31एकटा पापबलि होअए त आ दोसर आंटास' बनल बलिदानक स' संग वेदीपर पूरा तरहें जराओल जाएत। पुजारी ओहि शुद्ध हुअएबला व्यक्तिक पापक लेल यहोवा समक्ष प्रायश्चित करताह।32ई नियम अछि जे केओ स' चमररोग अछि आ जे गरीब अछि आ सामान्य बलिदान देबएमे असामर्थ्य अछि, जाहिस' ओ फेरुस' लोकक स' संग रहि सकए।” 33यहोवा हारून आ मूसाके फेरुस' कहलनि,34“हम अहाँसबके कनान देश देब जा' रहल छी जे अहाँसबके लोकक स्थायी रुपस' रहत। जखन अहाँ ओहि भूमिमे प्रवेश करब, तखन एहन समय होअए त जखन हम अहाँसबमेस' कोनो घरक भीतर छालाके संक्रमण लाबि देब।35जं ई भेल त' ओहि घरक मालिक पुजारीलग जा क' हुनका कहबाक चाही जे, ‘हमर घरमे फफूंदी जकां किछु एहन अछि फफूंदीके जांच करए लेल ओहि घरमे आउ।36तखन पुजारीके कहबाक चाही जे ओहि घरके समानसब बहार निकालि लिअ। जं अहाँसब एहन नहि करब त' हम घोषणा क' देब जे घरक सब किछु अशुद्ध अछि।’37घरके मालिक अपन घरस' सब किछु बाहर निकालि लेलाके बाद पुजारी भीतर जा क' घरक जांच करताह। जं फफूंदीक कारण देबालसब पर हरियर आ लाल रंगके दाग लागल अछि जे मात्र देवालके सतहस' बेसी गहींर बुझाति अछि त'38पुजारी घरस' बाहर आबिक' सात दिनधरि ताला लगा देताह।39सातम दिन पुजारी घरमे जा' क' फेरुस' ओकर जांच करताह। जं देबालपर फफूंदी पसरि गेल अछि त'40पुजारी केकरो कहताह जे देवालमे फफूंदी पड़ल सब पत्थल फोड़िक' शहरके बाहर कूड़ामे फेक दिऔ।41तखन मालिकके घरक भीतरका देबालसबके खोधबाक' आ जे किछु खोधल गेल अछि ओकरा शहरके बाहर कूड़ामे फेक देबाक चाही।42तखन मालिकके दोसर पत्थल ल' क' जे पत्थलमे फफूंदी छल, ओकरा बदलि देबाक चाही आ घरक देवालमे पत्थलके झांपबाक लेल नव माटि आ नीप लेब देबाक चाही।43नीपलाके बादो घरमे फफूंदी फेरुस' आबि जाएत त'44पुजारीके फेरुस' घरक जांच करबाक चाही। जं घरक भीतर छालाके संक्रमण पसरि गेल अछि त' ई स्पष्ट भ' जाएत जे फफूंदी खतरनाक अछि, एहन प्रकारक जे घरके उजाड़ि दैत अछि, आ ओहिमे केकरो रहए नहि देल जाए, ओ अशुद्ध अछि।45एकरा पूरा तरहेस' तोड़ि देबाक चाही-पत्थर, काठ आ प्लास्टर आ ओ सबटा वस्तु शहरके बाहरक कूड़ामे फेक देबाक चाही।46जे केओ ओहि घरमे ताला लगलाक बादो भीतर जाएत, ओकरास' सूर्य अस्त धरि लोकसबस' अलग रहबाक चाही किएक त' ओ अशुद्ध अछि।47ओहि समयमे जे केओ ओहि घरमे सुतत आ ओहि घरमे भोजन करत, ओकरा अपन कपड़ा धोबए पड़त।48मुदा जखन पुजारी घरके नीपपोत कएलाक बाद ओकर जांच करए आओत त' जं फफूंदी नहि पसरल अछि त' ओ घोषणा करत जे ओहिमे लोक रहि सकैत अछि, किएक त' फफूंदी खतम भ' गेल अछि आ शुद्ध अछि।49मुदा एहिमे लोकके रहएस' पहिने एकरा शुद्ध करएलेल पुजारीके दूटा चिड़ै, किछु देवदारके काठ, किछु लाल रंगके धागा आ किछु हिसप ल' क' अबथि।50एकटा चिड़ैके माटिक घैला पर पकड़िक' रहबाक चाही, जाहिमे झरनाके टटका पानि रहैत अछि।51तखन ओ देवदारके काठ, हिसप, लाल रंगके धागा ल' क' मारल गेल चिड़ै सबहक लेहूमे डुबाक' ओ लेहू आ पानिमेस' किछु घरपर सात बेर छिड़कि देथिन।52ओ चिड़ैक लेहूस' आ टटका पानिस, जीवित चिड़ै, देवदारक लकड़ी, हिसप, आ लाल सूतस' घरके साफ करत। ई काजसब क' क' ओ घरक मालिक फेरुस' ओहि घरमे रहि सकैत अछि।53तखन ओकरा दोसर चिड़ैके शहरस' बाहर उड़ा देबाक चाही। एनाक' क' ओ घरके लेल प्रायश्चित करौक, तब ओ शुद्ध ठहरत।54ईसब प्रकारक चमररोगके लेल, हौहटिक घाउके लेल, ओहिके कारण होएबला रोगसब के लेल व्यवस्था अछि,55कपड़ा पर आ घरमे संक्रमीत छालाके लेल,56आ घाउ पर सूजन, दाना आ उज्जर दागक लेल इएह नियम अछि;57छालाक सरुवा रोगसब शुद्ध आ अशुद्ध अलग करएलेल आ फफूंदीक' लेल इएह नियम अछि।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.