Leviticus13

1फेरु यहोवा हारून आ मूसास' कहलनि,2“जखन कोनो आदमीक शरीरक चमड़ा पर फुलब, पपड़ी वा दाना भ' जाइत छै आ ओकर त्वचा पर कोढ़ जकां किछु देखाइत छै, तखन ओकरा हारून पुजारीलग वा ओकर कोनो बेटा जे पुजारी छथि, लग आनब आवश्यक अछि।3पुजारीके ओहि व्यक्तिक चमड़ाक ओहि भागके जांच करबाक चाही। यदि ओहि जगहके केश उज्जर भ' गेल अछि आ एहन बुझाति अछि जे घाउ चमड़ी परस' बेसी गहींर अछि त ई चमड़ीके एहन बेमारी अछि जे दोसर लोकके हुनकास' पसरबाक खतरा अछि। जं पुजारीके एहने देखाइ पड़ैत छै त' ओकरा घोषणा करबाक चाही जे ई बेमार व्यक्ति दोसर लोकक संग रहबाक लेल अशुद्ध अछि।4जं व्यक्तिक त्वचा पर दाग उज्जर अछि मुदा एहन नहि बुझाति अछि जे घाउ चमड़ाक सतहस' गहींर अछि त' पुजारीके सात दिनधरि ओकरा आन लोकस' दूर राखए पड़तैक।5सात दिनक बाद पुजारीके फेरुस' ओहि व्यक्तिक जांच करबाक चाही। जं पुजारी देखैत जे घाउ नहि बदलल अछि आ नहि पसरल अछि त' ओकरा सात दिन आओर लोकस' दूर राखए पड़तैक।6फेरु ओहि सात दिन आओर बित गेलाकबाद पुजारीके एक बेर फेरु ओहि व्यक्तिक जांच करबाक चाही। जं घाउ फीका भ' गेल अछि आ नहि पसरल अछि त' पुजारी घोषणा करताह जे ओ व्यक्ति फेरुस' दोसर लोकक स' संग रहबाक योग्य अछि। ओकर त्वचाक स्थिति मात्र दाना छै, स' संक्रामक नहि होइत अछि। ओ व्यक्ति अपन कपड़ा धोएलाक बाद शुद्ध भ' जाएत आ पुजारी ओकरा फेरुस' दोसर लोकक स' संग रहए देत।7मुदा जं पुजारीक' जांच कएलाक बाद घाउ पसरि जाएत त' ओ व्यक्तिके फेरु पुजारीलग जएबाक चाही।8पुजारी ओकरा जांच करताह। यदि घाउ त्वचाके अधिक भागमे पसरि गेल' अछि त' ई चमड़ीस' संक्रामक बेमारी छै, आ पुजारी घोषणा करतथि जे ओ व्यक्ति दोसर' लोकके संग रहब अशुद्ध अछि।9जखन लोकके चमड़ीक स' संक्रामक रोग होइत अछि तखन ओकरा केओ पुजारीलग आनए।10पुजारीके हुनकर जांच करबाक चाही। जं त्वचामे उज्जर फुलल अछि जाहिस' ओतएके केश उज्जर भ' गेल अछि, आ जं ओहि भागके माउसमे दर्द होइत अछि,11तखन ई स्थायी चमररोग अछि, पुजारी घोषणा करतथि जे ओ व्यक्ति दोसर लोकक स' संग रहबाक योग्य नहि अछि। पुजारीके ओहि व्यक्तिके फेरुस' जांच करए लेल सात दिनधरि दोसरस' दूर रखबाक जरुरति नहि अछि, कारण ओकरा पहिनेस' पता अछि जे ओ व्यक्ति दोसरके स' संग रहएलेल अशुद्ध अछि।12जं ई रोग केकरो शरीरमे पसरि गेल होए, आ पुजारी ओहि व्यक्तिक जांच करतथि आ देखतथि जे ओ ओकर माथस' पयर धरि ओकर चमड़ा पसरि रहल अछि,13आ एहिस' ओकर पूरा छाला उज्जर भ' गेल अछि जे ई देखबैत अछि जे बेमारी भेल रहए समाप्त भ गेल त' पुजारी घोषणा करताह जे व्यक्तिके दोसर लोकस' दूर रहबा जरुरति नहि अछि ओ शुद्ध अछि।14मुदा जं ओहि व्यक्तिक खुल्ला घाउ अछि त' ओकरा चमड़ाक स' संक्रामक रोग अछि त ओ अशुद्ध ठहरैक।15जखन पुजारी ई देखतथि त' ओकरा ई घोषणा करतथि जे ओहि व्यक्तिके चमड़ाक स' संक्रामक रोग अछि आ ओ दोसर लोकक संग रहब अशुद्ध अछि।16मुदा जं ओहि व्यक्तिक शरीर बदलिक' उज्जर भ' गेल त' ओकरा फेरु पुजारीलग जएबाक चाही।17पुजारीके फेरुस' ओकर जांच करबाक चाही आ जं घाउ उज्जर भ' गेल अछि त' पुजारी ई घोषणा करताह जे आब ई व्यक्ति फेरुस' दोसर लोकक स' संग रहबाक योग्य अछि।18जखन केकरो चमड़ी पर फोका भ' गेलै' आ आब ओ ठीक भ गेल,19मुदा जत' फोका छल, ओतए आब उज्जर सूजन वा चमकैत दाग भ' गेल, तखन ओकरा पुजारीलग जाए पड़त।20पुजारीके एकर जांच करबाक चाही। जं ई त्वचाक सतहस' गहींर बुझाति अछि, आ जं ओहि ठामक केश उज्जर भ' गेल अछि त' ई एकटास' चमररोग अछि जत फोका भेल छल ओतए देखाइ देने अछि। आ पुजारीके ई घोषणा करए पड़त जे ओ व्यक्ति दोसर लोकक संग रहब अशुद्ध अछि।21मुदा जखन पुजारी ओकरा जांच करत त' जं ओहि दाग पर कोनो उज्जर केश नहि अछि आ जं हुनका पता चलैत छनि जे ओ मात्र चमड़ाक सतहपर अछि आ चमक कम भ' गेल अछि त' पुजारीके हुनका सात दिनधरि आन लोकस' दूर राखए पड़त।22मुदा जं ओ पसरि रहल अछि त' स' संक्रामक अछि, आ पुजारीके ई घोषणा करबाक चाही जे ओ व्यक्ति दोसर लोकक संग रहब अशुद्ध अछि।23मुदा जं ओ दाग अपरिवर्तित अछि आ नहि पसरल अछि त' ओ फोकाक निशान मात्र अछि, आ पुजारी घोषणा करताह जे ओ व्यक्ति फेरुस' दोसर लोकक स' संग रहबाक योग्य अछि।24जखन केकरो चमड़ी पर जरि गेल होए आ ओतहि चमकदार आ उज्जर दाग देखाइत अछि, आ ओहि ठामक माउसमे दर्द होइत अछि,25पुजारीके ओहि दागक जांच करबाक चाही। जं ओहि ठामक केश उज्जर भ' गेल अछि आ ओ मात्र चमररोग सतहस' गहींर बुझाति अछि, त' ई एकटास' चमररोग अछि जे जत जरल छल ओतए प्रगट भेल अछि, आ पुजारीके ई घोषणा करए पड़त जे ओ दोसर व्यक्तिसंग रहब अशुद्ध अछि।26मुदा जं पुजारी ओकरा जांचिक' देखतथि जे ओहि दाग पर कोनो उज्जर केश नहि अछि आ ओ मात्र चमड़ाक सतहपर अछि आ ओ दाग फीका भ' गेल अछि, त' पुजारीके सात दिनधरि ओहि व्यक्तिके दोसर लोकस' दूर राखए पड़त।27सात दिनक बाद, पुजारी ओकरा फेरुस' जांच करताह। जं घाउ पसरि रहल अछि त' ई चमड़ीस' संक्रामक रोग अछि, आ पुजारी घोषणा करताह जे ओ व्यक्ति दोसर लोकक संग रहब अशुद्ध अछि।28मुदा, जं दाग नहि बदलल अछि आ नहि पसरल अछि, मुदा फीका भ' गेल अछि, तखन ओ मात्र जरि गेल दाग अछि। पुजारीके ई घोषणा करए पड़तनि जे ओ व्यक्ति दोसर लोकक स' संग रहबाक योग्य अछि।29जं कोनो पुरुष वा स्त्रीके माथ आ पुरुषक दाढ़ीमे घाउ अछि त'।30पुजारीके ओहि व्यक्तिक' जांच करबाक चाही। यदि घाउ केवल चमड़ीके सतहस' बेसी गहींर लगैत अछि, आ ओ दागके केश कम भ' गेल अछि आ पीयर भ' गेल छै, तखन ई चमररोग बेमारी अछि जे हौहटि पैदा करैत अछि। ओहि स्थितिमे पुजारीके ई घोषणा करए पड़तनि जे ओ व्यक्ति दोसर लोकक संग रहब अशुद्ध अछि।31मुदा जखन पुजारी ओहि प्रकारक घाउक जांच करताह त' जं ओ मात्र चमड़ाक सतहपर बुझाति अछि आ ओहिमे कोनो ठीक केश नहि अछि त' पुजारी ओहि व्यक्तिके सात दिनधरि दोसर लोक दूर राखि देब पडत।32सातम दिन, पुजारीके फेरुस' घाउक जांच करबाक चाही। यदि ओ नहि पसरल अछि आ जं ओहि ठाम पीयर केश नहि अछि, आ जं ई मात्र त्वचाक सतहपर बुझाति अछि त'33व्यक्तिके घाउ लगक केश काटि लेबाक चाही मुदा घाउ परके केश नहि। आ पुजारी ओहि व्यक्तिके सात दिन आओर दोसर लोकस' दूर राखत।34सातम दिन, पुरोहितके फेरु ओहि दागक जांच करबाक चाही। जं ई नहि पसरल अछि आ ई मात्र चमड़ाक सतहपर बुझाति अछि त' पुजारी घोषणा करताह जे ओ व्यक्ति फेरुस' लोकक स' संग रहबाक योग्य अछि। व्यक्तिके कपड़ा धोबए पड़त, तखन ओ दोसर लोकक स' संग रहि सकैत अछि।35मुदा जं बादमे घाउ पसरि जाएत त'36पुजारीके फेरुस' ओकर जांच करबाक चाही। जं हौहटि पसरि गेल अछि त' पुजारीके पीयर केश तकबाक आवश्यकता नहि अछि, कारण ई स्पष्ट अछि जे ओहि व्यक्तिके त्वचाक स' संक्रामक रोग लागल अछि आ अशुद्ध अछि।37मुदा, जं पुजारीके लगैत छनि जे दाग नहि बदलल अछि, आ जं ओहि इलाकामे ठीक केश बढ़ि रहल अछि, त' ई स्पष्ट होअए त जे हौहटि ठीक भ' गेल अछि, आ पुजारी घोषणा करताह जे ओ व्यक्ति फेरुस' दोसर लोकक स' संग रहबाक योग्य अछि।38जखन कोनो पुरुष वा स्त्रीके चमड़ा पर उज्जर दाग अछि त,39पुजारीके ओकर जांच करबाक चाही। मुदा जं दाग नीरस उज्जर अछि त' ओ मात्र दाना अछि, आ पुजारी घोषणा करताह जे ओ व्यक्ति दोसर लोकक स' संग रहबाक योग्य अछि।40जं पुरुषक सब केश खसि पड़ैत अछि आ गंजा भ' जाइत अछि त' ओ शुद्ध अछि आ ओकरा दोसर लोकस' दूर रहबाक आवश्यकता नहि अछि।41जं माथके आगुके केश खसि पड़ल होअए आ कपार गंजा भ' गेल होअए त' सेहो एहने नियम लागु होएत आ ओहो शुद्धे अछि।42मुदा जं ओकर गंजा माथपर आ कपार पर चमकैत घाउ भ' जाइत अछि त' हुनका चमड़ाक स' संक्रामक रोग अछि।43पुजारीके ओकर जांच करबाक चाही। जं फुलल घाउ केकरोस' चमररोग रोगीके दाग जकां चमकदार धब्बा अछि त'44पुजारी घोषणा करताह जे ओहि आदमीके स' चमररोग अछि आ ओ दोसर लोकक संग रहब अशुद्ध अछि।45जिनका चमररोग होअए हुनका फाटल कपड़ा पहिरबाक चाही आ केशमे कंघी नहि करबाक चाही। जखन ओ आन लोकक लगमे रहैत अछि त' मुहक निचका भागके झांपिक' बजबाक चाही, ‘हमरालग नहि आउ! हमरा चमररोग अछि!’46जाधरि ओकरा ई बेमारी रहत ताधरि ओकरा दोसर लोकक स' संग रहबाक अनुमति नहि अछि ओ अशुद्ध अछि। एसगरे बस्तीस' बहार रहए पडत।” 47“कखनोकाल व्यक्तिक कपड़ा पर फफूंदी पड़ि जाइत छै। ई कपड़ा होए सकैत छै जे ऊनस' बुनल होए आ सुति कपड़ा आ चमड़ास' बनल' होए, आ ई कोनो दोसर' वस्तु भ' सकए जेकरा चमररोग होए।49जं दुषित भाग हरियर आ लाल रंगके बनल चमड़ाके वा ऊनस' बुनल किछु अछि ओहिमे संक्रमण पसरि रहल अछि, आ मालिकके एकरा कोनो पुजारीके देखाबए पड़त। 50पुजारीके ओकर जांच करबाक चाही आ फेरु ओकरा सात दिनधरि एकहि ठाम अलग राखि देबाक चाही।51सातम दिन फेरु संक्रमीत छालाके ओकरा जांच करबाक चाही। यदि चमड़ाके कोनो चीज वा ऊनके बुनल वस्त्रमे फफूंदी पसरल छै त' ई साफ छै जे फफूंदी छै, आ ओहिके खराब क' रहल अछि, कपड़ा वा वस्तुके फेरुस' उपयोग नहि करबाक चाही ओ अशुद्ध रहत।52ओहि मालिकके ओहि वस्तुके पूर्णरुपस' जरा देबाक चाही जाहिमे छालाके संक्रमण अछि, चाहे ओ सनी, ऊनस' बुनल कोनो प्रकारक वस्तु होइक।53मुदा जखन पुजारी एकर जांच करताह त' जं चमड़ास' वा ऊनस बुनल कोनो वस्त्र वा कोनो चीजमे फफूंदी नहि पसरल अछि त'54पुजारीके ओकरा कहबाक चाही जे ओ ओकरा धोए। तखन ओकरा सात दिन आओर अलगे जगहपर राखि देबाक चाही।55सात दिनक बाद फफूंदीक वस्तु धोएलाक बाद पुजारीके ओकर जांच करबाक चाही। यदि फफूंदीकें रंग नहि बदलल अछि, भलेहि ओ पसरल नहि अछि, त' ओ वस्तु फेरुस' उपयोग नहि करए चाही ओ अशुद्ध अछि। फफूंदी वस्तुके भीतर अछि आ बाहर, कोनो फरक नहि पड़ैत अछि। ओकरा जरादेब जरुरी अछि।56मुदा जखन पुजारी ओकरा धोएलाक बाद ओकरा जांच करताह त' जं फफूंदी फीका भ' गेल अछि त' ओकरा ओहि भागके फाड़ि देबाक चाही जाहिमे फफूंदी छल। ई चमड़ा वा ऊनस' बुनल कोनो चीज किएक ने होइक।57जं कोनो वस्त्र जे चमड़ा वा ऊनस' बुनल होइक ओहि वस्तुपर फफूंदी फेरुस' देखाइत अछि त' स्पष्ट भ' जाइत अछि जे ओ पसरि रहल अछि, आ मालिकके पूरा वस्तु जराबए पड़त।58मुदा चमड़ा वा ऊनस' बुनल कपड़ा धोएलाक बाद आ फफूंदी गायब भेलाक बाद मालिकके फेरुस' धोबए पड़त, तखन ई शुद्ध भ' जाइत आ फेरु ओकर उपयोगक' सकैत अछि।59ईसब चमड़ा, ऊन वा सूतीके बुनल वस्तुसबपर संक्रमीत छालाके सम्बन्धमे नियम अछि, जाहिस' ई निर्णय कएल जाइत अछि जे मालिक ओहि वस्तुसबके शुद्ध मानिक उपयोग करत वा अशुद्ध मानत।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67