Leviticus12

1यहोवा मूसाके फेरुस' कहलनि,2“ई बात इजराएली लोकके कहि दिऔ। यदि कोनो स्त्री बेटाके जन्म दैत अछि त' सात दिनधरि अलग रहए, जेना की प्रत्येक महिना मासिक धर्मके समय ओ अशुद्ध भ' क' अलग रहैत अछि।3बच्चाके जन्मक आठ दिनक बाद खतना करबाक चाही। 4तखन प्रसवके समयमे रक्तस्रावस' शुद्ध होबएलेल तेतीस दिन प्रतीक्षा करए पड़तनि। ओ कोनो एहन चीजके नहि छूबथि जे पवित्र अछि, जे यहोवाके अछि, आ पवित्र तम्बूक इलाकामे प्रवेश नहि करबाक चाही, जाधरि ओ समय समाप्त नहि भ' जाए।5यदि स्त्री बेटीके जन्म दैत अछि त' ओकरा दू सप्ताह धरि अलग होएब आवश्यक अछि, जेना ओ प्रत्येक महिना मासिक धर्मके समय अशुद्ध भ' क' अलग रहैत अछि। तखन बच्चाक जन्म भेलापर ओकर रक्तस्रावस' शुद्ध होबएलेल छियासठि दिन धरि प्रतीक्षा करए पडत।6जखन ओकर शुद्धिकरणके समय समाप्त भ' जाएत तखन ओहि स्त्रीके पवित्र तम्बूक प्रवेशद्वारपर होमबलिके रुपमे एक वर्षक भेंड़के पुजारीलग अनबाक चाही। पुजारी ओहिके पूरा वेदीपर जरा देताह। स्त्री पापबलिके लेल एकटा पड़वा आ एकटा पेउरकी सेहो पुजारीलग अनबाक चाही, जाहिस' यहोवा ओकरा फेरुस' स्वीकार करथि। 7पुजारी यहोवाके लेल ओहि जानबरसबके चढ़ा देताह जाहिस' ओ फेरुस' हुनका स्वीकार भ' जाए। तखन बच्चाक जन्म भेलापर ओकर खूनक प्रवाहस' शुद्ध भ' जएतीह। ओसब ओहि महिलाके लेल नियम अछि जे लड़का वा लड़कीके जन्म दैत अछि।8जं कोनो स्त्री बच्चाक जन्म दैत अछि मुदा बलिदानक रुपमे भेंड़ नहि द' सकैत अछि त' ओकरा दूटा पड़वा वा दूटा पेउरकी अनबाक चाही। एकटा वेदीपर पूरा तरहेस' जराओल जाएत, आ पापबलि एकटा बलिदान होअए जाहिस' ओ फेरुस' यहोवाके स्वीकार भ' सकथि। एना कएलापर पुजारी ओकरा पापक' क्षमा करा देतैक, आ आब ओकरा अलग रहए नहि पड़तैक।” 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67