Leviticus11
1यहोवा फेरु हारून आ मूसाके कहलनि,2“इजराएलीसबके कहि दिऔ जे, अहाँसब पृथ्वीपर रहनिहारसब जानबरक माउस खा' सकैत छी।”3जेकर खुर फाटल होअए आ जे अपन आहार उगइलक' क' पाउज करैत अछि, अहाँसब ओ जानबरसबके खा' सकैत छी।4किछु एहन जानबर अछि जे अपन आहार उगइलक' पाउज करैत अछि मुदा ओकर खुर फाटल नहि अछि आ किछु एहन जानबर अछि जेकर खुर फाटल अछि मुदा ओ आहार पाउज नहि करैत अछि। ओहिमेस' कोनो जानबरके नहि खाउ। जेना ऊंट अपन आहार उगइलक' पाउज करैत अछि मुदा ओकर खुर फाटल नहि अछि, तएं ई अहाँके खाए लेल अशुद्ध अछि।5चट्टानी खरहिया पाउज त' करैत अछि मुदा ओकर खुर फाटल नहि अछि, तएं अहाँसबके लेल ओसब अशुद्ध अछि।6खरहिया पाउज करैत अछि मुदा ओकर खुर फाटल नहि अछि, तएं अहाँसबके लेल ओसब अशुद्ध अछि।7सुगरक खुर एकदम फाटल छै, मुदा ओ नहि पाउज करैत अछि, तएं अहाँसबके लेल ओसब अशुद्ध अछि।8ओ पशुसब अहाँसबके लेल अशुद्ध अछि, तएं अहाँसब ओकर माउस नहि खाउ आ नहि ओकर मरके छुबि सकैत छी।9समुद्र आ पानिमे रहनिहारसब प्राणीमेस' जेकरा पांखि आ चोइटा होइत अछि, तेकरा खएबाक अनुमति अछि।10मुदा अहाँसबके ओहिसबस' घृणा करबाक चाही आ जेकर पांखि आ चोइटा नहि होइत अछि, ओ नहि खाउ। एहनो जीवसब जे बहुत छोट अछि।11अहाँ ओकरासबके तिरस्कार करु, आ ओकर माउस नहि खाउ आ ओकर मरएस' घृणा करु।12अहाँसबके ओहि चीजसब स' घृणा करबाक चाही जे पानिमे रहैत अछि आ पांखि आ चोइटा नहि छै।13किछु एहन चिड़ै अछि जेकरा अहाँसबके घृणा करबाक चाही आ नहि खएबाक चाही। एहिमे गरुड़, गिद्ध,14चिल्लहोरि, कोनो प्रकारके बाजए,15कोनो प्रकारक कउवा,16बड़का उल्लू, चीत्कारे बाला उल्लू, समुद्री चिड़ै आ कोनो प्रकारक बाजए सहभागी अछि।17छोट उल्लू, बड़का उल्लू, जलकौवा,18उज्जर उल्लू, मरुभूमिके उल्लू, गिद्ध,19सारस, कोनो प्रकारक बकुला, कठ्फोरबा बादुर।20अहाँसब उड़ैए बाला कीड़ा-मकोड़ा सबस' घृणा करु आ नहि खाउ जे जमीनपर सेहो चलैत अछि।21मुदा अहाँसबके पांखिबला प्राणीसबके खएबाक अनुमति अछि जे कखनोकाल जमीनपर चलैत अछि जं ओ पयर जोड़िक' घुमैत-फिरैत अछि।22एहिमे फनिगा, झींगुर, आ एक प्रकारक किरा फतिंगा सहभागी अछि।23मुदा अहाँसबके चारि टांग आ पांखिबला आन कीड़ा-मकोड़ा स' घृणा करु आ नहि खाउ।24किछु एहन प्राणी अछि जे जं अहाँ ओकर मरके छुबैत छी त' अहाँसबके हमरालेल अशुद्ध बना देत। जे केओ ओकर मरके छुअत ओकरा ओहि सांझ धरि दोसर लोकके नहि छुएबाक चाही।25जे केओ ओहि मरमेस' कोनो मर उठालेत, ओ अशुद्ध भ जाएत आ ओकरा अपन कपड़ा धोबए पड़तैक आ ओहि सांझ धरि दोसर लोकके नहि छुबए पड़तैक। 26ओहि जानबरक मरके नहि छुबि सकैत छी, जेकर खुर पूर्णरुपस' फाटल नहि अछि वा ओ जानबर जे नहि पाउज करैत अछि। जे केओ ओहिमेस' कोनो जानबरक मरके छुअत से अशुद्ध भ' जाएत।27जमीनपर चलएबला सब जानवरमेस' ओहि जानबरक मरए के नहि छुबू जे पंजा पर चलैत अछि। जे केओ ओकर मरके छुअत ओकरा ओहि सांझ धरि अशुद्ध रहत।28जे केओ कोनो प्रकारके मरके उठाओत, ओकरा अपन कपड़ा धोएबाक चाही आ ओहि सांझ धरि दोसर लोकके स्पर्श नहि करबाक चाही, किएक त' ओकर मरके छुला स' अहाँ हमरालेल अशुद्ध भ' जाएब।29जमीनपर चलएबला सब जानवरमेस' ईसब जानबर अछि जे जं अहाँ ओकरा छुबि लेब त' अहाँके अपवित्र बना देत। सपनेउर, मुस, सब प्रकारक वन गिरगिट,30ठीकठीकिया, बिसखोपरा आ आन प्रकारक वन गिरगिट, रंग बदले बाला गिरगिट, आ बड़का गिरगिट।31जमीनपर घिसिआक' चलएवला प्राणी अहाँसबके हमरालेल अपवित्र बना दैत अछि। जे केओ ओकर मरके छुबैत छी ओकरा सांझ धरि दोसर लोकके स्पर्श नहि करबाक चाही।32जखन ओहि प्राणीमेस' कोनो प्राणी मरि क' कोनो वस्तुपर खसि पड़ैत अछि तखन ओ जे चीजपर खसैत अछि, ओ जे किछु काजमे प्रयोग कएल जाएत ओ अशुद्ध भ' जाएत, चाहे ओ लकड़ी, कपड़ा, कोनो जानबरक चमड़ास' बनल होए वा बोरास' बनल होए। अहाँ ओहि वस्तुके पानिमे अवश्य राखि दिऔ। तखन ओहि सांझ धरि एकर उपयोग नहि करु। तेकरबाद ई शुद्ध भ जाएत।33जं ओहिमेस' कोनो अशुद्ध प्राणी माटिक घैलमे खसि पड़ैत अछि त' ओहिमे जे किछु अछि से अशुद्ध भ' जाइत अछि आ अहाँसब ओहि घैलके फोड़ि देब।34जं अहाँ ओहि घैलामेस' पानि कोनो खाद्यान पर पड़ैत अछि त' ओ खाद्यान नहि खाउ। आ ओहि घैलामेस' केओ पानि नहि पीबू किएक त ओ घैला अशुद्ध अछि।35ओहि प्राणी सबहक मरमेस' जे किछु खसैत अछि, ओ अशुद्ध भ' जाइत अछि, भलेहि ओ प्राणी चुल्ही आ भानस करबाक वर्तनमे खसि पड़ए। जे किछुपर खसैत अछि ओकरा अवश्य तोड़ि दिऔक। हमरालेल ई अपवित्र भ' जाइत अछि, आ अहाँ एकर उपयोग फेरु नहि करु।36यदि कोनो मर कोनो झरना वा पानि जमा करबाक खधियामे खसि पड़ैत अछि त' पानि एखनो शुद्ध अछि आ ओकरा पीबि सकैत अछि, मुदा जे केओ ओहि मरके छुबैत अछि से हमरालेल अपवित्र भ' जाइत अछि।37जं ओहिमेस' कोनो मरए बिआ पर खसि पड़ए जे रोपबाक लेल अछि, तखनो ओ बिआ रोपए लेल स्वीकार मानल जाइत अछि।38मुदा जं बिआ पर पानि देल गेल अछि आ फेरु ओकरापर कोनो मरए खसि पड़ए त' बिआ फेक देल जाए। अहाँ ओहिसबके अपवित्र मानब।39जं कोनो जानबर मरत त' ओकर माउस अहाँके खएबाक अनुमति अछि, त' ओहि सांझ धरि जे केओ ओकर मरके छुअत, ओ दोसर लोकके नहि छुबू ओ अशुद्ध भ' जाएत।40जे केओ ओहि मरक किछु माउस खाइत अछि, ओकरा अपन कपड़ा धोबए पड़त, तखन ओहि सांझ धरि केकरो नहि छुबए पड़त। जे केओ एहन मरए उठाओत से कपड़ा धोएत आ सांझ धरि अशुद्ध रहत।41जमीनपर घिसियाबला प्राणीसब, जाहिमे पेटके बल चलएबला आ घिसिआएबला प्राणी सेहो घृणित अछि, आ ओकरा नहि खएबाक चाही।43ओहिमेस' घिसिआक' चलबला कोनो प्राणीके खा' क' अपनाके अशुद्ध नहि करु। एहिपर सावधान रहू।44हम अहाँसबहक परमेश्वर यहोवा छी आ हम पवित्र छी, तएं अहाँसब हमरा आदरक लेल अपनाके अलग करु आ अहाँसब पवित्र रहू। अहाँके एहन चीज खाएस' परहेज करबाक चाही जाहिस' अहाँ अपवित्र भ' जाएब। जमीनपर घिसिआएबला जीवके खा' क' अपनाके अपवित्र नहि बनाउ। 45हम यहोवा छी, जे अहाँसबके मिस्रके दासत्वस' मुक्त क' देलहुं जाहिस' अहाँसब हमर आराधना क' सकी। जेना हम पवित्र छी ओहिना अहाँसबके पवित्र रहबाक चाही।46ओसब जानबर आ चिड़ैसबके सम्बन्धमे नियम अछि, जे सब जीवजन्तु अछि जे पानिमे रहैत अछि आ जमीनपर घिसिआक' चलैत अछि।47अहाँसबके बुझए पडत जे कोन बस्तु हमरालेल पवित्र आ कोन बस्तु अपवित्र अछि, आ कोन जीव खएबाक चाही आ कोन नहि खएबाक चाही।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.