Exodus40
1तब यहोवा मूसाके आओर आगु कहलखिन,2“नव वर्षके पहिन महिनाके पहिन दिन हमरा संगे जत भेट करब ओतए एहि तम्बूके टांगि देब।3एहिके भीतरीमे पवित्र सन्दूक राखि देबै जाहिमे दस आज्ञा लिखल गवाहीके शीलापाटी अछि। आगुमे पर्दाके टांगिक एहिके झांपि देबै।4ताबुल के पवित्र तम्बूमे ल क आएब आ एहिके लेल बनाएल गेल समानसबके एहिपर नीक जकां सजाय देबै। तब दिहैटके भीतर ल क आएब आ ओहिपर दिआ सबके मिलाक राखि देबै।5सोनाके वेदीके धूप जरबएलेल गवाहीके सन्दूकके आगु राखि देबै, आ पवित्र तम्बूके प्रवेशद्वारपर पर्दा टांगि देबै।6जत अहाँ हमरासंग भेट करब ओहि पवित्र तम्बूके प्रवेशद्वारिके आगु होमबलिके लेल वेदी राखि देबै।7वेदी आ पवित्र तम्बूके बीचमे कठौती राखि देबै, आ एहिके पानि ल क भरि देबै।8पर्दासबके बाहरमे टांगि दिऔ जे अंगना बनि जाइक, आ अंगनाके प्रवेशद्वारपर सेहो पर्दा टांगि दिऔ।9तब अभिषेकके तेल ल क आ पवित्र तम्बूपर आ एहिमे भेल सब किछुपर तेल लगाक, एहिसबके हमरालेल अर्पण करु। तब ई हमरालेल समर्पित होतैक।10कनिक तेल ओहि होमबलिके वेदीपर आ वेदीके प्रयोजन मे आबएबला सब समान मे सेहो लगा देबै जाहिपर पुजारीसब बलिदान चढ़ौतैक। तब ई वेदी हमरालेल समर्पित भ जएतैक। तब ई हमरालेल अर्पित, अलग कएल गेल भ' जाएत।11हमरालेल एहिसबके अर्पण करएलेल, किछु तेल ल क कठौती आ एकर बिरवा मे लगा देबै।12तेकरबाद हारून आ ओकर बेटासबके पवित्र तम्बूके प्रवेशद्वारपर लाउ आ ओकरासबके पानिस धो देबै।13तब हारूनके ओकर पवित्र वस्त्र पहिराक आ ओकरापर तेल उझैलक' हमरा सेवा करएलेल अलग करु।14हारूनके बेटासबके सेहो ल' क' आउ आ ओकरासबके सेहो पुजारीके वस्त्र लगा दिऔ,15तब ओकरा बाबुके उपर तेल उझलने जेहन ओकरो सबपर तेल उझैल दिऔ। ई ओकरासबके पुजारीसब जेहन सेवा करएलेल अलग करत। ओकरासबके उपर तेल उझैलक, अहाँ ओकरासब आ ओकर भविष्यके सारा पुस्तासब मे हमर पुजारी बना देबै।”16यहोवा मूसाके करबाक लेल देने आदेश अनुसार सब किछु कएलनि।17इजराएलीसब मिस्र छोड़लाके बाद, दोसर वर्षके पहिन महिनाके पहिन दिन, लोकसब पवित्र तम्बू ठाढ़ कएलनि।18खम्हासब, घेराबासब, ढांचासब, आ आधार सहित, मूसा पवित्र तम्बू ठाढ़ कएलनि।19ओ दू तह पवित्र तम्बूके झंपना लगा देलक, जेना यहोवा मूसाके आदेश देने रहथि।20तेकरबाद, मूसा गवाहीके दुनू शीलापाटी जाहिमे परमेश्वर दस आज्ञा लिखने छलथि से लेलक आ ओहिके पवित्र-सन्दूकमे राखि देलक। ओ सन्दूकके उठाबलेल लागल कंड़ी मे डंडा घुसिया देलक आ ओहिके उपरस झंपना ध' देलक।21तब मूसा ओहि गवाहीके सन्दूकके महा-पवित्रस्थानमे तम्बूमे राखि देलक। ओ सन्दूक जाहिमे दस आज्ञा छल ताहिके झांप अलग करएलेल एकटा मोट पर्दा टांगि देलक, जेना यहोवा मूसाके आदेश देने रहथि।22तेकरबाद मूसा पवित्र सन्दूक नुकाएल गेल पर्दाके बाहर, उत्तर दिस, तम्बूके भीतर टेबुल सजाय देलक।23ओ ओहि टेबुलपर रोटीके यहोवाके आगु सजाक' राखि देलक, जेना यहोवा मूसाके करए लेल आदेश देने रहथि।24तेकरबाद, मूसा टेबुलके विपरीत दिस, दक्षिण दिस, पवित्र तम्बूके भीतर दिहैट राखि देलक।25तब ओ यहोवाके उपस्थितिमे दिहैटपर दिआसब लगा देलक, जेना यहोवा मूसाके आदेश देने रहथि।26तेकरबाद, मूसा महा-पवित्रस्थानके अलग करएबला पर्दाके आगु, पवित्र तम्बूके भीतर सोनाके वेदी धूप करएलेल ध देलक।27ओ एहिपर कनिक सुगन्धित धूप बारि देलक, जेना यहोवा मूसाके आदेश देने रहथि।28तेकरबाद, मूसा पवित्र तम्बूके प्रवेशद्वारपर पर्दा टांगि देलक।29जत यहोवासंग ओसब भेट करितैक पवित्र तम्बूके प्रवेशद्वारपर, ओसब होमवेदीके राखि देलक। तब ओ ओहिपर माउस आ अंटा जराक बलिदान कएलनि, जेना यहोवा मूसाके आदेश देने रहथि।30पीतरिके वेदी आ पवित्र तम्बूके बीचमे कठौती राखि देलक, आ कठौतीके पानिस भरि देलक।31मूसा, हारून, आ ओकर बेटासब ओहि कठौतीके पानिस अपन हाथ-पयर धोइतैक।32जहिया-जहिया ओसब पवित्र तम्बूमे जएतैक आ जहिया-जहिया ओसब ओहि वेदीके लगमे अबितैक, ओसब अपने-आपके धोइतैक, जेना यहोवा मूसाके आदेश देने रहथि।33तेकरबाद, मूसा पवित्र तम्बू आ वेदी आ अंगनाके प्रवेशद्वारिके चारुदिस पर्दा टांगि देलक। तब मूसा पवित्र तम्बूके बनाबएबला काज समाप्त क लेलक।34तब एकटा घनघोर बादल, आ यहोवाके सामर्थ्य, आ चमकएबला ज्योति तम्बूके झांपि देलक।35किएक त बादल एहिके झांपि देने छल आ यहोवाके ज्योति बेसी चमकैत छल, मूसा पवित्र तम्बूमे प्रवेश नहि करा सकलथि।36ओहि दिनस, जहिया-जहिया यहोवाके बादल हटि जएतैक, इजराएलीसब अपन तम्बू समेटिक आ यात्रा करब शुरु करितैक।37मुदा बादल नहि हटितै त, ओसब ओतहि रहितैक जत ओसब रहैत छल आ ओसब बादल हटएके दिनके प्रतीक्षा करत।38जतए-जतए सारा इजराएलीसबके सारा यात्रामे, पवित्र तम्बूके उपर दिनमे यहोवाके बादल, आ रातिमे एहिके उपर हुनक आगि रहैत छल। इजराएलीसब सदिखन देखतैक जे यहोवा ओकरासबके संग छथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.