Judges9

1आब अबीमेलेक, यरूब्बालके बेटा अपन मामाके घर शेकेममे गेल आ ममीयौत भाइसबके कहलनि, 2“कृपाक' क' शेकेम नगरके नगरवासीसबके कानमे जाक ई पुछियौ, अहाँसबके लेल की निमन होएत, यरूब्बालके सतरि बेटासब अहाँसबके शासन करए, की एकटा बेटा मात्रे अहाँसबके शासन करए? ई स्मरण कएने रहू की हम अहाँसबके हडी आ माउस छी।”3तएं हुनकर मामा ओकरा सट्टामे शेकेम नगरके नगरवासीसबके कानमे ई बात कहलक, तब ओकरासबके मन अबीमेलेक दिस भ' गेल, ओसब कहलक, “ओ हमरासबके भाय अछि।”4तखन ओसब बाल-बरीतके घरमेस' चानीके सतरि रुपैया देलक, आ अबीमेलेक ओहि पाइ ल क हुर्दुंग आ साहसी मनुष्यके मजदूरीमे रखलक, ओसब हुनका पाछु आबि गेल। 5तब ओ अपन बाबुके घर ओप्रामे चलि गेल, आ ओ यरूब्बालके सतरि बेटासबके एकटा पाथिरस' मारि देलक। मुदा योताम जे सबस छोट रहए ओ बंचि गेल, कारण ओ अपने-आपके नुका लेलक।6तखन शेकेम नगरके नगरवासीसब आ बेतमिल्लोकेसब लोकसब जम्मा भ' गेल आ ओसब शेकेमके खम्हा बड़का झमटगर गाछील' अबीमेलेकके राजा बनि देलनि।7जखन ओसब योतामके ई बात कहलक, ओ जाक गिरिज्जीम पहाड़के उच्च स्थानप' ठाढ़ भ' गेल। ओ जोरस' हल्ला क' क' कहलक, “यौ शेकेमके नगरवासी, हमर बात सुनू, आ परमेश्वर अहाँसबके बात सुनए।8एकदिन सबटा गाछसब अपने उपर राजा अभिषेक हुअएकेलेल जम्मा भेल। तएं ओसब जैतूनके गाछस' कहलक, ‘अहाँ हमरासबके उपर राजा भ' जाउ।’9मुदा जैतूनके गाछ उत्तर देलक, की हम अपन बहुत मूल्यवान तेल देनाइ छोड़िक देवतासब आ मनुष्यसबके आदरसमान देत अछि आ गाछसबपर हम शासन करी?10तएं गाछसब जैतून गाछके कहलक, ‘अहाँ आउ! हमरासबप' शासन करु।’11मुदा जैतूनके गाछ ओकरासबके कहलक, ‘अपन बहुत मूल्यवान तेल देनाइ छोड़िक हम गाछसबप' शासन करी?’12तखन गाछसब दाखरसके गाछके कहलक, ‘अहाँ आउ! हमरासबप' शासन करु।’13तखन दाखरसके गाछ ओकरासबके कहलक, की हम नव दाखरस देनाइ छोड़िक देवतासब आ मनुष्यसब आनन्द होएत अछि आ हम गाछसबप' शासन करी?14तखन गाछसब कांटकुशके कहलक, ‘अहाँ आउ! हमरासबप' शासन करु।’15तखन कांटकुशके गाछसबस' कहलक, ‘यदि वास्तवमे अहाँसब हमरा राजा अभिषेक ठीके करए चाहैत छी त' हमरा छाहरिमे आउ। नहि त' एहि काटकुशस' आगि निकलिक' लबानोनके देवदारके जराक भष्म क' दी।’16तएं आब अहाँसब अबीमेलेकके सत्य आ इमानदारी' राजा अभिषेक कएने अछि त' अहाँसब यरूब्बाल आ हुनका वंशसंगे नीक काम कएने अछि आ हुनका उपर नीक व्यवहार कएने छी त',17जे हमरा बाबु अहाँसबके लेल युद्ध कएने रहए आ अपन जानके आफतमे राखि अहाँसबके मिद्यानीसबके हाथस' छोड़लक,18मुदा आइके दिन अहाँसब हमरा पिताके वंशके विरुद्ध ठाढ़ भ' गेल आ हुनकर सतरि बेटाके एकटा पत्थलस' मारि देलिन। तखन अहाँसब दासीके बेटा अबीमेलेकके शेकेमके नगरवासीके उपर राजा बनौलनि, किएक ओ अहाँसबके भाय रहए।19यदि अहाँसब आइ यरूब्बाल आ हुनका वंशस' सत्य आ इमानदारीके व्यवहार कएने अछि त, अहाँसब अबीमेलेक संगे आनन्द रहू आ ओ अहाँसबके संगे रहए।20नहि त' अबीमेलेकमेस' आगि निकलए आ शेकेमके नगरवासीके आ बेतमिल्लोस' एहन आगि निकलए जे अबीमेलेकके जराक' राखक' दए।”21तखन योताम ओहि ठामस' भगाक' बेरमे जाक रह लागल किएक ओ अपन भाय अबीमेलेकस डराईत छल।22तखन अबीमेलेक इजराएलमे तीन वर्षधरि शासन कएलक।23तखन परमेश्वर अबीमेलेक आ शेकेमके नगरवासीसबके बीचमे दुष्ट आत्मा पठादेलकौ तएं शेकेमके नगरवासीसब अबीमेलेकस' धोखेबाजी कएलक,24यरूब्बालके सतरि बेटासबके अत्याचार रुपस' मारलके लेहूके बदला ओसब हत्या कएनिहार अपन भाय अबीमेलेकस' आ ओकरासबके उसकाबके काम करएबला शेकेम नगरवासीसबस' लिअ।25तएं हुनका विरुद्ध शेकेम नगरवासीसब पहाड़के उच्च स्थानप' रहए ओहि तरहे आ जे सब ओहि द' क' जाए ओकरासबके लुटि लिअए, आ ई खबरि अबीमेलेकके मालूम भेल।26तखन एबेदके पुत्र गाल अपन भायके संगे शेकेममे आएल। शेकेमके नगरवासीसब हुनकाप' भरोसा कएलक।27ओसब अपन खेतमे जाक अंगूर बगानमे बोरामे दाख तोड़िक', आ ओकर रस निकलल। ओसब फसलके पाबनि मनौलक आ ओसब देवतासबके घरमे जाक खूब कएलक आ खूब दाखरस पीबलक, आ ओहिके बाद अबीमेलेकके नीकस' सरापलक।28तखन एबेदके पुत्र गाल कहलक, “अबीमेलेक के अछि? आ शेकेम के अछि जिनका हम सेवा करी? की ओ यरूब्बालके पुत्र नहि अछि, की जबूल हुनकर सेनापति नहि अछि? हमोर शेकेमके पिताके सेवा किएक नहि करी। हमसब किएक हुनका सेवा करी?29आइ ई मनुष्यसब हमरा अधीनमे रहित त' अबीमेलेक हमरास' दूर रहित। हम अबीमेलेकके कहिति, ‘अपन सेनाके बजाउ आ युद्ध करु।’”30एबेदके पुत्र गालके बात सुनि जबूल नगरके हाकिम क्रोधस' भरि गेल।31तएं ओ अबीमेलेक ल' चुपचाप एकटा संदेशवाहक पठाक कहलक, “देखू, एबेदके पुत्र गाल आ अपन भायके संगे शेकेममे आबिक' नगरके लोकसबके भड़का रहल छल।32तएं आब उठू, रातिमे अहाँ आ अहाँके लोकसब खेतमे नुकाक' रहू।33तएं दोसर दिन भोरेमे शहरपर आक्रमण करु। देखू, जखन ओ ओकर लोकसब बहार आबिक' ओकरासबके जेना मन करए से करु।”34तएं अबीमेलेक आ ओकर लोकसब रातिमे उठिक शेकेमके आक्रमण करएलेल नुकाक' बैसल रहए। ओसब चारटा समूहमे रहए।35आब एबेदके पुत्र गाल बाहर जाक शहरके मूल दरबाजापर' जाएबला स्थानप' ठाढ़ रहए। ओहि समय अबीमेलेक आ हुनकर लोकसब नुकाएल ठामस' उठिक बाहर निकलिक' आएल।36जखन गाल ओहि लोकसबके देखलक, ओ जबूलके कहलक, “देखू, एकटा मनुष्यसबके समूह पहाड़के उच्चगर ठामपर' स' नीचा आबि रहल अछि!” जबूल हुनका कहलक, “अहाँ पहाड़के छाहरि मनुष्यके रुपमे देख रहल छी।”37गाल फेरुस' बोलैत रहल, “देखू, एकटा मनुष्यसबके समूह पहाड़के उच्चस्थानपरस' समतल बाट द' क' आबि रहल अछि। एकटा दोसर मनुष्यके समूह बड़का झमटगर गाछके बाट द' क' आबि रहल अछि।”38तखन जबूल हुनका कहलक, “आब अहाँके मुंह कहा गेल? अहाँ जे पहिने कहैत रहि, ‘अबीमेलेकके अछि जे हमसब हुनका सेवा करबनि?’ की ओहि मनुष्यसब नहि अछि जिनका अहाँ नहि नीक मानैत रहि? आब बाहर जाउ, हुनकास' युद्ध करु।”39तएं गाल शेकेमके नगरवासीसबके ल क, अबीमेलेक संगे युद्ध कएलक।40मुदा अबीमेलेक हुनका हरा देलाके बाद, ओ अबीमेलेकके उपस्थितिस' भागि गेल। मूल दरबाजापर' जाएबला बाटमे बहुत लोकसब मारि गेल।41तखन अबीमेलेक अरुमामे रह लागल। जबूल गाल आ हुनकर भाइ बंधूसबके शेकेमस' निकालि देलथिन।42आब एना भेल जे लोकसब खाली मैदानमे गेल, आ अबीमेलेकके सबटा बात कहि देलक।43तएं अपन संगे किछु लोकसबके लेलक, ओकरासबके तीनटा समूहमे बांटि देलक। तखन ओ खाली मैदानमे नुकाक बैसल छल। जखन ओ लोकसबके शहरस' बाहर जाएत देख ल क, तब उठिक ओकरासबप' आक्रमण कएलक आ मारि देलक।44अबीमेलेक आ हुनकर समूहके जे हुनकासंगे छल बाहर जाक शहरके प्रवेश दुआरिप' ठाढ़ भ' गेल मुदा दूटा समूह हुनकासबके विरुद्ध खाली मैदानमे गेलनि आ ओसब हुनकासबके मारि देलनि।45अबीमेलेक शहरके विरुद्ध दिनभरि युद्ध कएलनि, आ शहरके कब्जामे ल क ओहि शहरमे रहनिहारसब लोकसबके मारि देलनि। शहरके नाश क' क' शहरमे नून छिट देलनि।46जखन शेकेम नगरके धरहरा पर रहनिहार नगरवासीसब ई बातके सुनिक तब ओसब एलबरीतके मन्दिरमे चलि गेल।47तखन ई बात अबीमेलेकके कहलक की शेकेम नगरके धरहरा पर चढ़ल नगरवासीसब अपन आपके ओहि मन्दिरमे जम्मा भेल अछि।48तएं अबीमेलेक आ हुनकर लोकसब सेहो हुनकासंगे सल्मोनके पहाड़पर गेल, अबीमेलेक अपन हाथमे कुरहैर ल' क' गाछके ठाइढ़ काटि अपन कन्हाप' राखि लेलक आ हुनकासंगे रहल लोकसबके कहलक, “जे केओ हमरासंगे छी अहाँसब सेहो जल्दीस' एहिना करु।”49तएं अबीमेलेक संगे रहनिहार लोकसब गाछ ठाइढ़ काटि हुनकासंगे गेल। तखन ओसब गाछके छिल देलक आ ओहिमे अगिला देलक। फलस्वरुप शेकेम नगरके धरहरा पर' चढ़ल लोकसब मारल गेल आ ओहि दिन लगभग एक हजार पुरुष आ महिला मारि गेल।50तखन अबीमेलेक तेबेसमे गेल, ओ ओहिके चारुदिस अपन डेरा लगएलक आ ओ ओकरा कब्जाक' लेलक।51मुदा शहरके बीचमे एकटा मजगूत धरहरा छल, तएं पुरुष आ स्त्री आ पैघ लोकसब सेहो ओहि ठाम भागि गेल। ओसब ओकरा पाछुस' लगा लेलक आ ओसब धरहराके पर' चढ़ल गेल।52तखन अबीमेलेक धरहरा धरि आएल आ ओकरासबके विरुद्ध युद्ध कएलक, धरहराके प्रबेश दुआरिधरि गेल आ ओहि ठाम आगि लगा देलक।53मुदा एकटा स्त्री उपरस' पत्थल अबीमेलेकके उपर फेक देलक आ ओकर कनपटी फाटि गेल।54तखन ओ हथियार बोकनिहारके कहलक, “अपन तरुआरि उठाउ आ हमरा मारि दिए, नहि त' लोकसब कहत की देखू ‘एकटा स्त्री भ' क ओकरा मारि देलक।’” तएं ओ जवान मनुष्य ओकरा पेटमे तरुआरि घोंपिक' आ ओ मारि गेल।55जखन इजराएलके लोकसब अबीमेलेक मारि गेल देखलक, तब ओसब अपन ठामपर चलि गेल।56तएं अबीमेलेकके सतरि भाइ भाइके मारिक' आ अपन पिताके विरुद्धके दुष्ट काम स' परमेश्वर बदला लेलनि।57आ शेकेमके लोकसबके कएने सब दुष्ट काम स' परमेश्वर बदला लेलक, यरूब्बालके बेटा योताम सराप ओकरासबके उपर आएल।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67