Judges10

1आब अबीमेलेकके मृत्युके' बाद, तोला नामके इजराएली जे इस्साकारके सन्तान, पूआके पुत्र आ दोदोके पोता छुटकारा दिअके लेल ठाढ़ भेल। ओ पहाड़ी देश इफ्राइमक शामीरमे बसि गेलाह। ओ पहाड़ी देश इफ्राइमक शामीरमे रह लागल।2ओ इजराएलके तेइस वर्षधरि न्याय कएलक। ओहिके बाद ओ मारि गेल आ हुनका शामीरमे गाड़ि देलनि।3हुनका बाद गिलादीके याईर ठाढ़ भेल। ओ इजराएलके बाइस वर्ष धरि न्याय कएलक।4आब हुनका तीसटा बेटा छल जे तीस गदहाप' सबार होएत छल। ओहि ठाम हुनकासबके लागि तीसटा सहर छल। ओसब ओकरा आइके दिन धरि हब्बोत याईर कहैत अछि जे गिलादके देश अछि। 5तखन याईर मारि गेलथिन आ हुनका कामोनमे गाड़ि देलनि।6इजराएलीसब यहोवाके नजरिमे दुष्ट काममे फेरुस कएलक: ओसब बालके, अश्तोरेतके देवीसब, अरामके, सीदोनके, मोआबके, अम्मोनीके, पलिश्तीके देवतासबके पूजा कएलक। ओसब यहोवाके छोड़ि देलक आ हुनकर सेवा नहि कएलक। 7तखन यहोवाके क्रोध इजराएलीके सन्तानके विरुद्ध ठाढ़ भ' गेल, तएं यहोवा ओकरासबके पलिश्तीके हाथमे आ अम्मोनीके सन्तानके हाथमे द' देलक।8ओ इजराएलके सन्तानसबके ओहि बर्षमे भागब आ सतावए लागल, आ यरदनके विपरित भाग एमोरीके देश गिलादमे रहनिहार इजराएलीसबके अठार वर्ष धरि सतएलक।9तखन अम्मोनीके यहूदाके, बिन्यामीन, आ इफ्राइमके वंशके विरुद्ध युद्ध करबाक लेल यरदनके नदीपार कएलनि, आ फलस्वरुप इजराएलीके सन्तानसबले बहुत बड़का नोक्सान भेल।10तखन इजराएली सबहक' सन्तानसब यहोवास' जोरस' चिचिआक' कहलक, “हमसब अहाँके विरुद्धमे पाप कएने छी, हमसब परमेश्वरके छोड़ि देले छी आ बालके देवतासबके सेवा कएने छी।”11तखन यहोवा इजराएलके सन्तानसबके कहलक, “की हम अहाँसबके मिस्रीसबस', आ एमोरीसबस', आ अम्मोनीसबस', आ पलिश्तीसबस'12सीदोनी सबस' आ अमालेकीसबस', आ माओनी सबस' जखन अहाँसबके सतबैत छल तखन अहाँसब कानिक' हमरा पुकारैत रही त' की हम अहाँसबके छुटकरा नहि दैत रही? 13तथापि अहाँ हमरा त्यागि देली आ अहाँ दोसर देवतासबके सेवा कएली। तएं, हम अहाँसबके बेरीबेरी छुटकरा नहि देब।14जाउ आ अहाँ अपनालेल चुनने देवताके पुकारु। आ संकटके समयमे अहाँसबके छुटकरा देत।”15तखन इजराएलके सन्तानसब यहोवाके कहए लागल, “हमसब पाप कएने छी। अहाँके नजरिमे जे ठीक लागे सेहे करु। मुदा हमरासबके एखनो बचा लिअ।”16ओसब हुनकासबके बीचमेस' विदेशी देवताके छोड़िक' यहोवाके आराधना कएलक। तखन इजराएलीसबके कष्टके कारणे हुनकर मन बहुत दुखित भ' गेल।17आब अम्मोनीके सन्तानसब जमा भेल आ गिलादमे डेरा लगौलक। तएं इजराएली सबहक सन्तानसब सेहो एक जगह जमा भ' क' मिस्पामे डेरा लगौलक।18तखन गिलादके हामिकसब एक-दोसरके कहए लागल, “की केओ छी जे अम्मोनीके सन्तानसबस' युद्ध करबाक लेल शुरु करिती? तखन ओ गिलादमे रहनिहारसबके अगुवा भ' जाएत।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67