Judges8
1इफ्राइमके मनुष्यसब गिदोनस' कहलक, “अहाँ हमरासंगे एहन व्यवहार किएक कएली, जं अहाँ मिद्यानीसबके विरुद्ध युद्ध कएली त' अहाँ किएक नहि हमरा बजएली?” तएं ओसब हुनकासबके विरुद्धमे झगड़ा कएलक।2गिदोन हुनकासबके कहलनि, “अहाँके अनुसार आब हम की कएली? की अबीएजेरके अंगूरक बालिस' इफ्राइम अहाँके बालि निमन नहि अछि?3परमेश्वर मिद्यानीके हाकिम ओरेब आ जेब अहाँके हाथमे नहि द' देने अछि! तएं अहाँके तुलनामे हम की कएने छी?” तखन ओकर आत्मा शान्त भेल जखन ओ ई बातसब सुनलक।4तखन गिदोन आ हुनकासंगे रहल तीन सय लोकसब यरदन पार कएलनि। ओसब थाकल रहए मुदा तथापि आगु बढ़ैत रहल।5तखन ओ सुक्कोतके लोकसबके कहलखिन, “कृपाक' क' हमरा पाछु आबएबला लोकसबके खाएके लेल रोटी दिऔ। किएक त' ओसब बहुत थाकल अछि। मिद्यानीके राजासब जेबह आ सल्मुन्नाके हमसब रेबारि रहल छी।”6सुक्कोतके हाकिम उत्तर देलनि, “की जेबह आ सल्मुन्ना अहाँके हाथमे आबि गेल अछि? तब हमसब अहाँके सिपाहीसबके रोटी किएक दू?”7तएं गिदोन ई बातके घोषणा कएलक, “जखन यहोवा जेबह आ सल्मुन्नाके हमरा हाथमे द' देत तब हम अहाँके चमरी मरुभूमि आ बिच्छ कांट ल' क' उतरबाएब।”8तखन ओसब ओहि ठामस' पनूएल दिस गेल आ पनूएलके लोकसबके ओहेन कहल जेना सुक्कोतके कहने रहए, मुदा ओ लोकसब सुक्कोतके लोकसब जेना उत्तर देलनि।9ओ पनूएलके लोकसबके सेहो कहलक, “जखन हम निमनस' घुमिक' आबि त' अहाँके ई उच्च स्थानके तोड़ि देब।”10आब जेबह आ सल्मुन्ना पन्द्रह हजार लोकसबके संगे कर्कोरमे रहए। पूरबके जातिसब बांकि रहल सब एतबे रहए। एक लाख बीस हजार युद्धमे मरि गेल छल।11तखन नोबह आ योगबहाके पूर्वमे रहनिहार लोकसबके बाट दिस गिदोन गेलथिन, ओ ओकरासब रहनिहार ठामके ओहि समय आक्रमण कएलनि जखन ओसब सुरक्षित रहए।12जेबह आ सल्मुन्ना भगा देलक, मुदा ओ मिद्यानीके दुनू राजा जेबह आ सल्मुन्नाके रेबारएके नहि छोड़ि ल क आ ओ दुनूके कब्जा कएलनि। तएं ओकरासबके सबटा सिपाहीसब डरस' भागि गेलनि।13तखन योआशके बेटा गिदोन युद्धस' हेरेस नामके स्थानप' घुमिक आएल।14ओ सुक्कोतके एकटा युवा मनुष्यके पकड़ि लेलक आ ओकरास' पुछताछ कएलनि। ओ सुक्कोतके सतहरी हाकिम, आ बूढ़सबके नाम लिखबाक लेल कहलक।15तखन गिदोन सुक्कोतके लोकसबल' आएल आ कहलक, “जेबह आ सल्मुन्नाके देखू! जिनका विषयमे अहाँसब कहने रहि, ‘की जेबह आ सल्मुन्ना अहाँके हाथमे आबि गेल अछि? तब हमसब अहाँके सिपाहीसबके रोटी किएक दू।’”16ओ शहरके हाकिमसबके पकड़लक आ सुक्कोतके लोकसबके मरुभूमि आ बिच्छ कांट ल' क' दण्डित कएलनि।17ओहिना ओ पनूएलके उच्च स्थानके तोड़ि देलक आ शहरके मनुष्यसबके मारि देलक।18ओ जेबह आ सल्मुन्नास' पुछलक, “ताबोरमे अहाँसब मारने रहि ओ मनुष्यसब केहन छल?” ओसब उत्तर देलक, “जेना अहाँसब छी ओसब ओहिना रहए। सबगोटेके मुंह राजाके बेटासब जेना रहए।”19तखन ओ कहलक, “ओसब हमर भाइसब छल, हमर मायके बेटासब। यहोवाके किरिया खा' क' कहैत छी, यदि अहाँसब ओकरासबके छोड़ि देने रहिती त' हम अहाँसबके नहि मारिती।” 20तखन गिदोन अपन जेठका बेटा यतेरेके कहलक, “उठू, ओकरासबके मारि दिए!” मुदा ओ युवा मनुष्य अपन तरुआरि नहि निकल' सकल किएक ओ डरा गेल, किएक त' ओ एखनो युवा रहए।21तखन जेबह आ सल्मुन्ना कहलक, “अहाँ अपनेस' उठू आ हमरासबके मारि दिए! किएक त' अहाँमे पुरुष जेना दम होबए।” तएं गिदोन उठिक' जेबह आ सल्मुन्नाके मारि देलक। ओकरासबके ऊंटके गरदनिमे भेल चन्द्रहारसब ओ ल लेलक।22तखन इजराएलके लोकसब गिदोनके कहलक, “अहाँ आ अहाँके बेटा ओकर बेटा हमरासबप' शासन करु, किएक त' हमरासबके मिद्यानीसबके हाथस' छुटकारा अहाँ देने छी।”23मुदा गिदोन ओकरासबके उत्तर देलनि, “हम आ हमर सन्तानसब सेहो नहि अहाँसबपर' शासन करैत मुदा यहोवा अहाँसबके उपर शासन करथिन।”24तखन गिदोन ओकरासबके कहलक, “एकटा चीज अहाँसबस आग्रह करैत छी, अहाँ सबकेओ अपन लुटिक समानमेस' एकटा कानके कुण्डल हमरा दिए।” ओसब इश्माएली रहए आ इश्माएलीसबके कानमे कुण्डल लगएबाक चलन रहए।25ओसब कहलक, “अवश्य, हम सबकेओ अहाँके देब।” तएं ओहि ठाम एकटा बिछान बिछौलक, आ सबकेओ अपन लुटिक समानमेस' एकटा कानके कुण्डल राखि देलक।26गिदोन कानके कुण्डल जे आग्रह कएने रहए ओकर वजन एक हजार सात सय टुकरा भेल, आ ई समानके छोड़ि चन्द्रहारसब, झुमका, आ बैगनी रंगके कपड़ा जे मिद्यानीसबके राजासब पहिने छल आ ऊंटके गरदेनके सिकरी त' अनगिनती रहए।27तखन गिदोन एकटा एपोद बनाक अपन सहर ओप्रामे रखलक। तब इजराएलीसब ओकरा पूजा क' क' वेश्या जेना व्यवहार कएलक। गिदोन आ ओकर वंशके लेल गलाले फन्दा भ' गेल।28तएं मिद्यानीसब इजराएलीसबके अधीन रहए। ओसब फेरुस' अपन माथ नहि ठाढ़ क सकल। गिदोनके जीवनकालधरि देशमे चालीस वर्षधरि शान्त रहल।29ओहिके बाद योआशके बेटा यरूब्बाल अपन घरमे रह लागल।30गिदोनके सतरि बेटासब रहए, किएक ओकरा बहुत पत्नीसब रहए।31ओकरा एकटा रखैल रहए जे शेकेममे रहि छल। ओ सेहो गिदोनलेल एकटा बेटाके जन्म देलक जिनकर नाम अबीमेलेक रहए।32गिदोन, योआशके बेटा बूढ़ भ' क' मरल आ हुनका अपन बाबुके सारा अबीएजेरी सबके संगे ओप्रामे गाड़ि देलक।33आब एना भेल जखन गिदोन मारि गेलाकबाद, इजराएलीसबके सन्तानसब फेरुस घुमिक बाल देवतासब संगे वेश्याके व्यवहार कएलक आ बाल-बरीतके अपन देवता बना लेलक। 34इजराएलीसबके सन्तान यहोवाके अपन परमेश्वर कहिक स्मरण नहि कएलक जे हुनकासबके चारुदिसस' शत्रुसब छुटकारा देने रहए से बिसरि गेल।35इजराएलीसब यरूब्बाल, गिदोनके वंशके उपर अपन इमानदारीता नहि देखलक जे ओकरासबके भलाइ क' देने रहए।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.