Judges7
1तब यरूब्बाल जे गिदोन रहए, ओ भोरे-भोरे उठि गेलथिन, हेरोदके पानिके मुहान लग सबहक' जमा कएलनि। किएक त' गिदोनसबके जम्मा भेल ठामस' उत्तर दिस मिद्यानीसब डेरा बनाक' रहैत छल, मोरे पहाड़के समतल जगहमे जमा भेल रहए। 2यहोवा गिदोनस' कहलखिन, “अहाँसब बहुत लोकसब छी जं हम मिद्यानीसबके अहाँसबके हाथमे द' देब त' इजराएलीसब अपने-आपके घमण्ड करत' ओसब कहत, ‘हमसब अपने शक्तिस' बचलौ।’3तब अहाँ जाक लोकसबके बीचमे ई घोषणा क' दिऔ, जिनका क' करब डर लगैत अछि, ‘अहाँसब गिलादके पहाड़प' स' घुमिक अपन घर चलि जाउ।’” तखन बीस हजार लोकसब घुमिक चलि गेल, मुदा दस हजार लोकसब रहि गेल।4तखन यहोवा गिदोनके कहलखिन, एखनो बहुत लोकसब अछि। ठीक अछि, ओकरासबके पानि ल क ल' जाउ ओहि ठाम ओकरासबके जांच सकेत। तएं जिनका हम कहब ओ अहाँके संगे जाएत त' ओ अहाँके संगे जाएत आ जिनका हम कहब अहाँके संगे नहि जाएत' ओ अहाँके संगे नहि जाएत।5तब यहोवा गिदोनके कहलक, “जे केओ कुता जेना पानि चाटिक' पिब, ओकरा एक दिस राखू, जे केओ ठेहुनियां द' क' पिब ओकरासबके एक दिस राखू।6आब एना भेल जे केओ जिउस' पानि चाटिक' पिबलक ओकरासबके संख्या तीन सय भेल। बांकी सब ठेहुनियां द' क' पिने रहए।7तखन यहोवा गिदोनके कहलक, हम अहाँके एहि तीन सय लोकसबस' मिद्यानीसबस' छुटकारा देब। तएं बांकि लोकसबके कहि दिऔ की ओसब अपन घर चलि जाएत।”8तब तीन सय लोकसब अपन हाथमे खानपियन आ नरसिंहालेलक, बांकि इजराएलीसबके पठा देलथिन। अपनेसंगे तीन सय लोकसब हुनकासंगे रहए। मुदा मिद्यानीसब ओहि समतल भूमिपर' रहए।9आब ओहि राति ई भेल यहोवा हुनका कहलक, “उठू! ओकरासबके बसनिहार ठामपर' जाउ ओकरासबके अहाँके हाथमे द' देने छी।10मुदा अहाँ जाएस' डर लगएबह त' अहाँ आ अपन फूरा नोकर संगे जाउ।11आ अहाँ सुनू सकेत की ओसब बचए, ओहिके बाद अहाँके साहस मिलत आ अहाँ ओकरा विरुद्धमे युद्ध कर सकी।” तएं ओ आ हुनकर नोकर फूरा संगे ओहि ठाममे गेलथिन जाहि ठाम लोकसब युद्ध करएलेल बैसल रहए।12आब मिद्यानीसब, अमालेकीसब आ पूर्वमे रहनिहारके सन्तानसब फनिगा जकां ओहि समतल ठाममे रहए। ओकरासबके ऊंट अनगिनती रहए, आ ओकरासबके संख्या समुद्रके बालू जेना रहए।13गिदोन ओत आएल, देखलक की एकटा मनुष्य अपन सपन पड़ोसीयाके सुनाएब रहए। ओ कहलक, “देखू, अपन एकटा सपना देखलि की एकटा जौके रोटी गुड़कैत-गुड़कैत मिद्यानीसबके डेराल' आएल। ओ बहुत जोरस' आएल आ मिद्यानीसबके डेरामे जाक ठोकि देलक, आ डेराके गिरा देलक, तएं डेरा गिरिक' नाश भ' गेल।”14ओकर पड़ोसी उत्तर देलनि आ कहलक, “वास्तबमे इजराएलके सन्तान योआशके बेटा गिदोनके ई तरुआरि अछि। परमेश्वर मिद्यानीसबके संगे ओकर डेराके हुनका हाथमे द' देने अछि।”15आब एना भेल गिदोन जखन ई सपना आ सपनाके वर्णन सुनिक, गिदोन निहुरिक परमेश्वर आराधना कएलक। आ इजराएलके डेरामे घुमिक' आएल आ कहलखिन, “उठू! यहोवा मिद्यानीसबके डेरा अहाँसबके हाथमे द' देने अछि।”16तखन ओ तीन सय लोकसबके तीनटा समूहमे बांटि देलनि, आ ओ सबटा पुरुषसबके हाथमे एक-एकटा नरसिंगा देलक आ खाली घैला देलक, ओहिमे एकटाक' मशाल राखि देलक।17ओ हुनकासबके कहलखिन, “अहाँ सबकेओ हमरा देखू आ एहने करु। देखू! जखन हम डेराके लगमे जाएब, अहाँ सबकेओ ओहने करब जेना हम अहाँसबके करबाक लेल कहब।18जखन हम नरसिंगा फूकब, अहाँसब हमरासंगे सेहो डेराके चारुदिस नरसिंगा फूकब। अहाँ सबकेओ जोरस' हला करब, ‘यहोवाकेलेल आ गिदोनके लेल!’”19तएं गिदोन आ एक सय पुरुष जे हुनकासंगे रहए ओसब डेरा लग गेल, अधरतियामे ओसब अपना हाथमे भेल नरसिंगा आ घैलाके तोड़ि देलनि।20तखन ओ तीनटा समूहसबके लोकसब अपन अपन नरसिंगा फूकलक आ अपन घैला तोड़ि देलनि। ओसब अपन बाबा हाथमे मशाल आ दहिना हाथमे नरसिंगा फूकलक। ओसब जोरस' हला कएलक, “यहोवाके तरुआरि आ गिदोनके तरुआरि।”21सबटा पुरुष डेराके चारुदिस अपन ठाममे ठाढ़ भेल। जखन ओसब जोरस' हला क' क' ओकरासबके भगा देलनि।22जखन ओ तीन सय लोकसब नरसिंगा फूकलक, आ यहोवाके तरुआरि डेरा एक-एक पुरुषसबके विरुद्ध भेल। मिद्यानीसबके सिपाहीसब सरेराके बेतशित्ता धरि, आ तब्बातके आबेल-महोला धरि भगा देलक।23तखन नप्ताली, आ आशेर, आ मनश्शेस' इजराएलीसबके एकट्ठा कएलक, ओसब मिद्यानीसबके रेबारलक।24गिदोन इफ्राइम पहाड़मे रहनिहार लोकसबल' ई सन्देश पठौलक, “मिद्यानीसबके नाश करएलेल नीचा उतरिक' जाउ, यरदन नदीके बेतबारा धरि अपन अधीनमे ल' लिअ।” तएं इफ्राइमके लोकसब एकट्ठा भेल आ ओसब यरदन नदीके बेतबारा धरि अपन अधीनमे ल' लेलक।25ओसब मिद्यानीके ओरेब आ जेबी हाकिमके अधीनमे ल' लेलक। ओसब ओरेबके नामके चट्टानप' मारि देलनि, आ जेबके दाखरसके धोंधिमे राखिक' मारि देलनि। ओसब मिद्यानीसबके रेबारितेके रेबारैत रहए, आ बादमे ओसब ओरेब आ जेबके मुरी ल' क' यरदनके ओहिपार गिदोनल' ल क आएल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.