Judges6
1तब इजराएली सबहक सन्तानसब फेरुस' यहोवाके नजरिमे जे दुष्ट काम रहए ओहे कएलक, तएं यहोवा ओकरासबके मिद्यानीसबके अधीन सात वर्ष धरिक' देलक।2तखन मिद्यानीसब इजराएलीसबके उपर विजयी भ' गेल। मिद्यानीसबके भय स' इजराएलीसबके सन्तानसब मजबूर भ' क' अपनालेल पहाड़मे नुकाएबला जगहसब, गुफासब, आ सुरक्षित जगहमे रह लागल।3जहिया-जहिया इजराएलीसब बिआ बाओग करैत छल त' मिद्यानीसब आ अमालेकीसब आ पूर्व दिसके दोसर जातिसब आबिक' इजराएलीसबके विरुद्ध युद्ध करैत छल।4ओ इजराएलीसबके विरुद्धमे बास बनाक रहए, आ गाजा धरि बीया-बालिसब नाश क' दैत छल। एतबे मात्र नहि इजराएलीसबके भेंड़, गाइ माल आ गदहा आ कोनो किछु नहि बांकि रह दैत छल।5ओसब अपन मालजाल आ डेरासब ल क फनिगाके झुण्ड जेना आबि जाएत छल, ओकरासबके ऊंट अनगिनती रहित छल आ ओसब भूमिके नाश करएलेल अबैत छल।6मिद्यानीसबके कारणे इजराएलीसब बहुत पीड़ामे रहि रहल छल, तएं ओसब यहोवाके पुकार कएलक।7आब एना भेल इजराएलीसब मिद्यानीसबके कारणे यहोवाके पुकारलक,8तब यहोवा एकटा प्रवक्ताके बेटा, एकटा पुरुष पठौलक। ओ हुनका कहलनि, “यहोवा कहैत अछि, हम इजराएलीसबके परमेश्वर छी जे: ‘हम अहाँसबके मिस्र देशस' निकालि लएलीह आ दासमेस' अहाँसबके छोड़ौलि।9हम अहाँसबके मिस्रके हाथस', आ अहाँपर' अत्याचार सबटा करएबला हाथस' बचओली। हम ओकरासबके अहाँके उपस्थितिस' भगा देलनि, आ हम ओकर देश अहाँसबके द' देलनि।10हम अहाँसबके कहलहुं, “हम यहोवा अहाँसबके परमेश्वर छी। अहाँसबके कहलहुं की एमोरीसबके देवतासबके भय नहि मानब।” मुदा अहाँसब हमर बात नहि मानली।’”11आब यहोवाके दूत अबीएजेरी योआशके बड़का झमटगर गाछके नीचा आबिक' बसि गेल जे ओप्रामे छल। योआशके बेटा गिदोन मिद्यानीसबस' नुकाक' दाखरसके कुण्डमे गहुमके दौनी करैत छल।12तखन यहोवाके दूत गिदोनके देखा पड़ल हुनका ई घोषणा कएलक, “यौ वीर योदा, हम यहोवा अहाँके संगे रहब।”13गिदोन यहोवास' कहलक, “यौ प्रभु, की अहाँ हमरासंगे छी? जं अहाँ हमरासंगे रहितौ त' हमरासब उपर किएक ई विपतिसब आएल अछि? अहाँके चमत्कारके विषयमे हमर पूर्वज कहैत छल, यहोवा हमरासबके कोनाक' मिस्र देशमे निकालिक' ल' लएने रहथिन? मुदा आब यहोवा हमरासबके बिसरि गेल छथि आ हमरासबके मिद्यानीसबके अधीनमे द' देने छथि।”14तखन यहोवा हुनका दिस घुमिक' गिदोनके कहलक, “अहाँ अपन बलस' जाउ आ अहाँ मिद्यानीसबके अधीनस' इजराएलीसबके छोड़ाउ। की हम अहाँके नहि पठौने छी?”15तखन ओ हुनका उत्तर देलनि, “यौ हमर प्रभु! हम कोनाक' इजराएलके मुक्त क' सकी छी? देखू, हम मनश्शेके वंशमे सबस' कमजोर छी, आ हम अपन पिताके घरमे सबस' छोट सन्तान छी।”16तखन यहोवा हुनका कहलक, “हम अहाँके संगे छी, अहाँ वास्तबमे मिद्यानीसबके मारि देबनि जेना ओसब एकटा मनुष्य मात्रे रहए।”17तब गिदोन हुनका उत्तर देलनि, “यदि हम अहाँके नजरिमे वास्तबमे अनुग्रह पओनेछी त', एकटा चेन्ह दू की अहाँ हमरासंगे बात करएबला ओहे छी।18जखनधरि हम अपन भेटी अहाँ लग' फेरुस' नहि लाएब, कृपा अहाँ एहि ठामस' नहि जाउ।” तएं यहोवा कहलक, “अहाँके आबि धरि हम एहि ठाम ठाढ़ रहब।”19तखन गिदोन गेल आ एकटा पठरुके आ लगभग दस किलो अट्टाक' अखमीरी रोटी बनौलक। ओ टोकरीमे माउसके राखि देलक, आ बड़का झमटगर गाछके नीचा खायक वर्तनसब लएबाक' देलक। हुनका आगुमे परसि' देलक।20तखन यहोवाके दूत हुनका कहलक, “माउसके टोकरी, अखमीरी रोटीसब एहि चट्टानप' राखि दिए,” आ खायक वर्तनसब सेहो, ओ ओहिना कएलखिन।21तखन यहोवाके दूत अपन हाथके लाठी रहए ओकरा पसारलनि। ओ माउस आ अखमीरी रोटीसबके छु देलक। ओहि द' क' आगु गेलथिन आ माउस आ अखमीरी रोटीसब जड़ा देलक। ओहिके बाद यहोवा हुनका नजरिस' दूर भ' गेलथिन।22जखन गिदोन यहोवाके दूतके देखलनि तब गिदोन कानिक' कहए लागल, “हाय, यौ हमर प्रभु यहोवा, हम त' अहाँके दूतके साक्षात् देखलहुं!”23यहोवा हुनका उत्तर देलक, “अहाँके शान्ति होए! नहि डेराउ, अहाँ नहि मरब।”24तएं गिदोन ओहि ठाम यहोवाकेलेल एकटा वेदी बनौलक आ ओहि ठामके नाम यहोवा शालोम रखलनि। एखन धरि ओहि ठामके अबीएजेरी के ओप्रा कहिक बजाएब।25आब ओहि राति ई भेल की यहोवा हुनकास' कहलक, “अहाँके बाबुके एकटा बच्छा लिअ आ सात वर्षके दोसर बच्छा लिअ, आ बालके वेदी जे अहाँ बाबुके अछि ओकरा तोड़ि दिए आ ओकरे बगलमे अशेरा देवीके काठस' बनल मूर्ति जे अहाँके बाबु बनएने रहए ओकरा तोड़ि दिए।26अहाँ ओहि उच्च स्थानपर' यहोवाके लेल वेदी बनाएब। तखन दोसरके बच्छा ल क अहाँ जे अशेराके काठस' बनल मूर्ति तोड़ने रहि ओहि ठामप' ओकरा होमबलि चढ़ादेब।”27तब गिदोन अपन नोकरमे स' दसटा पुरुषके लेलखिन आ ओ ओहने कएलखिन जेना हुनकासबके यहोवा कहने रहथिन। आब एना भेल जे गिदोन अपन बाबुके वंशस' आ अपन नगरके लोकके डरस' ई काम दिनमे नहि क' क' रातिमे कएलखिन।28तब नगरके लोकसब भोरे-पराते देखलनि की बालके वेदी गिढ़ल रहए, आ ओकरा बगलमे अशेरा देवीके काठस' बनल मूर्ति सेहो टूटल रहए, आ गिदोन बनौने वेदील' दोसर बच्छाके होमबलि चढ़एने रहए।29फलस्वरुप लोकसब एक-दोसरमे पुछए लागल, “ई कामके कएने होएत?” बहुत खोजलाके बाद ई पता लागल जे “योआशके बेटा गिदोन कएने रहए।”30नगरके लोकसब योआशके कलिन, “अहाँ अपना बेटा गिदोनके बाहर निकालू किएक ओ बालके वेदी आ ओकरा बगलमे अशेरा देवीके काठस' बनल मूर्तिके तोड़ि देने अछि, ओकरा आइ मारि देबिन।”31तब योआश ओहि ठाम ठाढ़ भेल विरोधीसबके कहलखिन, “अहाँसब बालके पक्षमे बजला आएल अछि? अहाँसब ओकरा मदति करएलेल आएल अछि? जे केओ ओकरा पक्षमे बाजब ओ भोर होएत धरि मरि जाएत। जं बाल देवता अछि त' ओकरा अपने विषयमे अपनेस' बाजए कहियौ के ओकर वेदीके तोड़ि देलक।”32तएं ओहि दिनस' गिदोनके नाम “यरूब्बाल” कहए लागल, “आइ मनुष्यके विरुद्धमे बाल अपनेस' युद्ध करए”, किएक त' ओ बालके वेदीके तोड़ने रहए।33आब आइकेबाद मिद्यानीसब आ अमालेकीसब, आ पूरबके सन्तान एक ठाममे जम्मा भेल, ओसब यिज्रेलके समतल ठाममे आबिक रह लागल।34मुदा यहोवा आत्मा गिदोनमे आबि गेलथिन। गिदोन नरसिंगा बजौलक, तएं अबीएजेर हुनका ल' जम्मा भेल।35तखन ओ अपन समाचार बाहक समस्त मनश्शेमे पठौलखिन, हुनका ल' जम्मा होएब कहलखिन, ओहने आशेर, जबूलून, आ नप्तालीसब कोएके जम्मा आएल आ भेंटघाट क' क' चलि गेल।36तखन गिदोन परमेश्वरके कहलखिन, “वास्ताबमे अहाँ इजराएलीसबके हमरा हाथस' अहाँके वचन अनुसार छुटकारा दिए चाहैत छी त',37सुनू, हम भेंड़के ऊन आइ धानके खरिहानमे रखैत छी। जं रातिके शित आइ भेंड़के ऊनपर' मात्रे पड़ए आ जमीनके चारुदिस सुखा रहए। त' हम जानि लेब जे अहाँ अपन वचनके अनुसार इजराएलके हमराद्वारा बचाएब।”38आब एना भेल ओ दोसर दिनमे भोरे-भोरे उठि गेलथिन आ भेंड़के ऊनके गारलक त' कटोरा पानिस' भरि गेल।39तखन गिदोन परमेश्वरके फेरुस' कहलखिन, “अहाँ हमरास' फेरुस क्रोधित नहि होउ, एक बेर हमरा फेरुस' बाजि दिए। एक बेर फेरुस' हमरा अहाँके जांच कर दिए? एहिबेर भेंड़के ऊन मात्रे सुखा रहए, आ भूमि शितस' भिजल रहए।”40परमेश्वर ओहि राति ओहने कएलखिन। भेंड़के ऊन सुखा रहए आ भूमि शितस' भिजल रहए।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.