Judges5

1तएं दबोरा अबीनोअम के पुत्र बाराकसंगे, ओहि दिन ई गीत गओलनि:2“जं इजराएलीसबके अगुवासब अगुवाइ करथिन, लोकसब अपने-आप समपर्ण करैत अछि, त' सब केओ यहोवाके प्रशंसा करु!3यौ राजा, सुनू! यौ शासक, अपन कान लगाउ! हम यहोवाके लेल गीत गाएब, इजराएलीसबके परमेश्वरके लेल भजन गाएब।4यौ यहोवा, अहाँ सेईरस' आगु निकलि आएलथि, अहाँ एदोमके देशमे आगु गेलथिन, पृथ्वी कांपि उठल, आ आकाश गरज लागल, अन्हार मेघ सेहो वर्ष' लागल। 5यहोवाके उपस्थितिस', इजराएलीके परमेश्वरके उपस्थितिस' पहाड़ आ सीनै हिल' लागल।6अनातके पुत्र शमगरके जीवनकालमे, याएलके जीवनकालमे लोकसब मूल बाटमे नहि चल लागल, आ लोकसब बाटके कात द' के चलैत छल जे दूर भ' क' होएत छल।7गामके लोकसब इजराइलीमे रहएस' मना कएलक, ओसब रहएलेल नहि मानैत छल, जखन हम दबोरा, इजराएलीसबके माय भ' क' ठाढ़ नहि होएब धरि! 8जहिया-जहिया ओसब नव देवताके मानैत छल तखन शहरके मूल द्वार पर' युद्धसब होएब लगैत छल, आ चालीस हजार इजराएलीसब लग ढ़ाल भाला किछु नहि छल।9हमर मन ओहि इजराएलीके व्यवस्था बनौनिहारसब संगे। लोकसबके संगे जे स्वयंसेवक अछि। तएं सब केओ यहोवाके प्रशंसा करु।10उज्जर गदहापर चढ़निहार, गलैचापर बैसल, पैदल चलिनिहार, ई गबैत छल,11पानि देबएबला ठामस' पानि बांटएबला स' ओकरासबके आवाज जोरस' होएत अछि। ओसब लगातार यहोवाके धार्मिक कामके, आ इजराएलीसबके गामसबके लोकसब धर्मी कामके लेल उत्सव मना बैत अछि।12जागू, जागू, हे दबोरा, जागू आ मुंह खोलिक' एकटा गीत गाउ! अबीनोअम के सन्तान बाराक उठू, सबके कैदी बनाउ।13तखन किछु बांकि रहल लोकसब शक्तिशाली अगुवापर विजयी करैत अछि, शूरवीरसबके विरुद्ध यहोवाके लोकसब हमर पक्षमे भ' गेल। 14इफ्राइमस' केओ आएल, जिनका मूल अमालेक छल, अहाँके पाछु, बिन्यामीनके लोकसब आएल। माकीरमेस' हाकिमसब आएल, आ जबूलूनमेस' सेनापति दण्डित करएबला लाठीसब ल क' आएल।15इस्साकारके राजकुमारसब दबोरासंगे आएल, इस्साकार सेहो बाराकसंगे आएल; ओसब नीचा समतल भूमिप' पयरे आएल। रूबेनके जिल्लासबके लोकसब मनमे बड़का संकल्प लेलक।16अहाँ चरबाहसबके हेंड़के बीचमे किएक बसि गेल? जखन रूबेनके नगरके लोकसब मनमे बड़का संकल्प कएलनि।17गिलाद यरदन पार भ' क' बास रहए लागल, आ दान अहाँ किएक जहाजमे बास रहए लगली? आशेर समुद्रके किनहेरप' बसि गेल रहि आ ओसब ओहि बंदरगाह पर' बास बसि गेल।18जबूलून अपन प्राणके जानि बुझिक समस्यामे रखलक, नप्ताली सेहो युद्धके मैदान पर।19राजासब आएल, युद्धके लेल आएल; कनानके राजासब ओहि समय मगिद्दोके नहरसबके तानाकमे युद्ध कएलक। मुदा ओसब चानीके लुटने समान सबमेस' एकटा नहि ल' जा' सकल।20आकाशके तरेगनसब युद्ध कएलक, तरेगनसब सेहो सीसराके विरुद्धमे युद्ध कएलक।21किशोन नदीके बहाक ल गेल, प्राचीन नदी, कीशोन नदी। हे हमर प्राण, साहसी भ' क' आगु चलू।22तखन घोड़ाके खूंरस' टप-टपके आवाज बाजल, बलवान घोड़ासब जोरस' दौड़ल।23‘मेरोज तों सरापल होए!’ यहोवाके दूत कहैत अछि। तोरामे रहनिहारसब सरापित होए। किएक लोकसब ‘यहोवाके सहायता नहि कएलक, शुरवीरसबके विरुद्ध यहोवा सहायता करबाक लेल आगु नहि आएल।’24केनी हेबेरके पत्नी याएल बहुत आशीषित स्त्री होए, डेरामे रहनिहारसब स्त्रीमेस' बहुत आशीषित स्त्री होएब।25सीसरा पानि मंगएलक, ओ ओकरा दूध देलक, मालिकके लेल कटोरामे नीक दही देलीह।26ओसब हाथमे तम्बूके किल्ला ल' क' आगु आएल, ओकर दहिना हाथमे मुंगरी सेहो रहए; ओ सीसराके ओहि ल' क' मारली त, ओकर माथ फुटि देलिन, आ ओकर कनपटीमे किल्ला ल' क' आइ पारस' ओहिपार का देलक।27ओ खसि गेल, आ ओहि ठाम खसिक मारि गेल, आ ओहि ठाममे भयानक रीतिस' मरल छल।28सीसराके माय खिरकी द' क' देखल आ जोरस' कनलनि, सीसराके माय खिरकीमे स' काइन-काइनक' कहलनि, ‘ओकर रथसबके आबएमे किएक देर भ' गेल? ओकर रथसबके पहियाके आबएमे देर किएक भेल?’29हुनकर सबस' बुद्धिमान राजकुमारीसब उत्तर देलिन, तथापि ओ अपने-आपके ई कहिते रहि गेल,30‘की ओसब लूटिक लएने समानसबके हिस्सा लगबैत छल, एकटा पुरुषके एकटा कन्या, आ दूटा कन्या, सीसराके लेल रंगल कपड़ा, लुटिक' लएने रंगल कपड़ासब, कढ़ाइ कएल कपड़ा, हमर गरदेनके लेल ई लुटल समानसब नहि भेटल त'?’31यौ यहोवा, एहने अहाँके दुश्मनसब नाश भ' जाइत, मुदा अहाँके प्रेम कएनिहार सूर्यके इजोत जेना चमकैत।” तखन देशमे चालीस वर्षधरि शान्ति रहल।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67