Judges4

1एहूदके मारलाकेबाद, तब इजराएलीके सन्तानसब फेरुस' यहोवाके नजरिमे दुष्ट काम कएलक।2तएं यहोवा ओकरासबके हसोरमे राज करएबला कनान देशके राजा याबीनके हाथमे द' देलक। आब सेनासबके सेनापति सीसरा छल, ओ हरोशेतके हग्गोयिममे रहैत छल।3तब इजराएली सबहक' सन्तानसब यहोवाक' बाजओलक, किएकत' ओकरा ल' नौसयो लोहाके रथसब छल आ ओ इजराएलीसबके सन्तानसबके घोर अत्याचार क' क' बीस वर्षधरि सतएलक।4आब लप्पीदोतके पत्नी दबोरा एकटा स्त्री छल, ओ अगमवादिनी छली। ओ ओहि समय इजराएली सबहक न्यायकर्ता छलथि। 5ओ पहाड़के देश इफ्राइमके रामाह आ बेतेलके बीच दबोराके खजूर गाछके नीचा बैसल रहए। इजराएलीसबके सन्तानसब न्यायके लेल आबि रहित छल।6ओ केदेश नप्तालीस' अबीनोअम के पुत्र बाराकके पठौलनि आ बजौलनि। ओ हुनका कहलनि, “हे यहोवा, इजराएलीसबके परमेश्वर अहाँसबके आज्ञा ई नहि देलनि अछि: ‘नप्ताली आ जबूलूनक पुतसबमेस' दस हजार पुरुषके ताबोर पहाड़पर अपनासंगे ल' जाएब?’7‘हम याबीनके सेनापति सीसराके ओकर रथसब आ ओकर सिपाहीसबके संगे कीशोन नदीमे लाबिक' ओकरासबके अहाँके हाथमे द' देब।’”8बाराक उत्तर देलनि, “जं अहाँ हमरासंगे जाएब, त' हमहूं अहाँसंगे जाएब, जं अहाँ हमरासंगे नहि जाएब त' हमहूं अहाँसंगे नहि जाएब।”9ओ कहलखिन, “हम जरुर अहाँके संगे जाएब, मुदा अहाँ जे यात्रामे जाइतछी ओहिस' अहाँके मानमर्यादा नहि होएत, तब यहोवा एकटा स्त्रीके हाथमे सीसराके द' देलक।” तखन दबोरा उठिक' बाराकके संगे केदेशमे चलि गेल।10तखन बाराक जबूलून आ नप्तालीके केदेशमे बजौलक। दस हजार पुरुषसब ओकर संगे छल, आ दबोरा हुनकासंगे गेल।11आब हेबेरके केनी मूसाके ससुर होबाबके सन्तानसब अपने-आपके केनिस' अलग कएलक। ओ सानन्नीममे बड़का झमटगर गाछ धरि अपन डेरा ठाढ़ कएलनि, जे केदेशके नजदिक छल।12जखन ओसब सीसरा ल' ई सन्देश पठौलक, की अबीनोअम के बेटा बाराक ताबोरके पहाड़पर' गेल अछि।13तब सीसरा अपन नौसयो लोहाके रथसब आ सिपाहीसबके जम्मा कएलनि आ सब लोकसबके हरोशेत हग्गोयिमस' कीशोन नदीलग बजा लेलक। 14तब दबोरा बाराकके कहलक, “उठू! ई दिनके लेल यहोवा सीसराके अहाँके हाथमे द' देने छथि, की यहोवा अहाँके आगु नहि गेल त'?” तें बाराक अपन दस हजार पुरुषके संग ताबोर पहाड़स' उतरिक' गेल।15तब यहोवा सीसराके रथसब आ सिपाहीसबके बाराकके सामने तलबारस' मारि देलक। तखन सीसरा रथप' स' उतरि पैदल भागि गेल 16तब बाराक रथसब आ सिपाहीसबके हरोशेत हग्गोयिमतक पाछु कएलक आ सीसराकेसब सिपाहीसबके तलबारस' मारि देलक आ ओहिमे एकटा नहि बांचि सकल।17मुदा सीसरा अपन याएलके डेराल' पैदल भागि गेल। तब हासोरके राजा याबीन आ हेबेरके केनीमे शान्ति भ' गेल।18याएल सीसराके भेट करबाक लेल बाहर गेल आ ओ कहलक, “हे हमर मालिक एनि घुमू, भीतर आउ, नहि डेराउ।” तब ओ पाछु घुमिक तम्बूके भीतर गेल, ओ हुनका कम्मल' झांपि जं देलक।19ओ कहलक, “हमरा पिबएके लेल पानि दिए हम बड्ड पियासल छी।” तब दूधके वर्तनके ढकन खोलिक हुनका पिबिक लेल देलक आ फेरुस' कम्मल ल क हुनका झांपि देलक। 20तखन ओ हुनका कहलक, “जं कोहि तम्बूमे आबिक' अहाँके पुछत, की कोनो पुरुष एहि ठाम आएल अछि? तखन अहाँ कहि देब की केओ नहि अछि।”21तब याएल, हेबेरके पत्नी तम्बूके किल्ला आ हाथमे हथौरी ल' क' सीसरा सुतल ठाममे चुपचाप आबिक' ओ थाकिक' मस्त निंनके सुतल समयमे ओकरा कनपटीमे किल्ला ठोकिक' आर-पार क' देलक आ ओ ओहि ठाम मारि देलक।22जखन बाराक सीसराके खोजैत आएल तब याएल तम्बूमेस' बाहर निकलिक' बाराकके भेंटघाट कएलक आ ओ हुनका कहलक, “भीतर आउ, जिनका अहाँ खोजि रहल छी, हम ओकरा देख दैत छी।” तएं ओ हुनकासंगे भीतर आएल, देखलक की सीसरा मरल आ ओकरा कनपटीमे तम्बूके किल्ला ठोकि रहए।23तएं ओहि यहोवा दिन कनानके राजा याबीनस' इजराएलीसबके सन्तानसबके विजयी देलक।24एहि तरहे इजराएली सबहक' सन्तानसब कनानके राजा याबीनके विरुद्ध बहुत शक्तिशाली होइत गेल, ओसब एहन समयमे आएल की कानानके राजा याबीनके नाश क' देलक।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67