Judges19

1आब ओहि समयमे ई भेल, की इजराएल देशमे कोनो राजा नहि छल, लेवी नाम एकटा मनुष्य छल जे इफ्राइमके देशके पहाड़मे एकटा परदेशी भ' क' रहैत छल। जे यहूदाके बेतलेहममे स' अपनालेल एकटा स्त्रीके उपपत्नी बनाक' रखलक।2मुदा तथापि, ओकर उपपत्नी ओकारा संग व्यभिचार क' क' अपन पिताके घर यहूदाके बेतलेहम चलि गेल। ओ ओहि ठाम चार महिना धरि रहल। 3तखन हुनकर पति अपन संगे एकटा नोकर आ दूटा गदहा ल क ओकरा मनएबाक लाबएलेल गेलथिन, ओ हुनकासबके अपना घर बजाक लौलक, आ ओ जवान स्त्रीके पिता ओकरा देखक त' हुनकास' भेट कएलक' आनन्दित भेल।4हुनकर ससुर आ ओहि स्त्रीके पिता हुनकासब रहबाक लेल विनती कएलनि ओसब ओहि ठाम तीन दिन रहि गेलथिन। ओसब खाइत पिब तीन राति धरि रहि गेल।5चारिम' दिन ओसब भोरे उठिक जाए लागल, तब ओहि जवान स्त्रीके पिता अपन जमाय स' कहलक, “अहाँसब जाएस' पहिने किछु खा क' जाउ।”6तएं ओ दुनू आदमी खाएके लेल संगे बैठक खएलक, पीबलक। तखन जवान स्त्रीके पिता हुनका कहलक, “कृपाक' क' एकदिन आओर रहि जाउ आ अहाँके मन आनन्दित भ' जाएत।”7तब ओ मनुष्य जाएके लेल उठल, मुदा हुनकर ससुर हुनकास' आग्रह कएलनि। तएं ओ ओहि राति ओहि ठाम रहि गेल।8पांचम' दिन ओसब भोरे उठिक जाए लागल, तब ओहि जवान स्त्रीके पिता कहलक, “अहाँसब जाएस' पहिने किछु खा क' जाउ।” तएं ओ दुनू आदमी खाए पिबएमे रहि गेल तएं अबेर भ' गेल।9तब ओ मनुष्य अपन उपपत्नी, अपन नोकरसबसंगे जाएके लेल उठल, मुदा ओकर ससुर ओकरास' कहलक, “देखू, सांझ होबए लागल अछि। आइ राति अहाँसब रहि जाउ किएक त' राति भ' गेल। अहाँके मन आनन्दित भ' जाएत। कालिह भोरे उठिक अहाँसब अपन घर चलि जाएब।”10मुदा ओ मनुष्य ओहि राति रहबाक लेल नहि मानलक। तएं ओ उठिक ओ यबूस जे यरूशलेम छल ओहि प्रान्तमे जाएके लेल निकलि गेल। आब ओकारा संगे ओकर उपपत्नी आ समानसब बोकने दूटा गदहा सेहो छल। 11जखन ओसब यबूसके लग आएल त' सांझ भ' गेल छल। तएं ओकर नोकर मालिकस' कहलक, “आउ, हमसब यबूसके शहरमे अपन राति बिताबी।”12ओकर मालिक ओकरासबके कहलक, “अपनासब विदेशके शहरमे नहि रहू जाहि ठाम इजराएलके सन्तानसब नहि रहि रहल अछि। मुदा अपनासब गिबा नहि पहुंच धरि अहीं दने जाएब।”13तखन ओ अपन नोकरस' कहलक, “आउ अपनासब दोसर ठामसबमे रहि, अपनासब गिबा आ रामाहमे स' कोनो एक स्थानपर' अपन राति बिताबी।”14तएं ओसब आगु चलिते रहि गेल आ गिबाके प्रान्त जे बिन्यामीनमे पड़ैत छल ओहि ठाम हुनकासबके सांझ पड़ि गेल।15तएं ओसब गिबाके प्रान्तमे राति बिताब ला आएल। ओसब शहरमे जाक' शहरके चौराहाप' बैसि गेल, मुदा केओ हुनकासबके अपन घर नहि ल' गेल।16आब एकटा बूढ़ अपन कामके खतम क' क आबि रहल छल। ओ मनुष्य इफ्राइमके पहाड़के देशस' छल आ ओ गिबाके प्रान्तमे एकटा परदेशी जेना रहि रहल छल। मुदा ओहि ठामके लोकसब बिन्यामीनके लोकसब छल।17जखन ओ अपन आंखि उठएलक त' ओ देखलक की एकटा यात्री शहरके चौराहाप' बैसि रहल छल। तखन ओ बूढ़ मनुष्य कहलक, “अहाँसब कतस' आएल आ कत जाएब?”18ओसब हुनका कहलनि, “हमसब यहूदाके बेतलेहमस' आएल छी आ हमसब इफ्राइमके पहाड़के देशमे जाएब। किएक त' हम ओहि ठामके लोकसब छी। हम यहूदाके बैतलहममे गेल रही, आ हम यहोवाके भवनमे जाए छी मुदा हमरा केओ नहि अपन घरमे ल' गेल।19आओर हमरालग' गदहाके खाएके लेल पोरा आ दाना सेहो अछि। एतबे नहि हमर नोकर आ नोकरनीके लेल भोजन सेहो अछि। हमरालग' किछु चीजके कमी नहि अछि।”20तब बूढ़ कहलक, “शान्ति अहाँके होए! अहाँके आवश्यकता सब चीज हम देब, मुदा आइ चौराहाप' राति नहि बिताउ।”21तएं ओ हुनकासबके अपन घरमे लौलक आ हुनकर गदहाके लेल भोजन देलक। ओ हुनकर पयरके धोएलक आ हुनकासबके खान-पान करौलनि।22जखन ओसब खान-पान क' क' आनन्दित मनबैत छल तब शहरके किछु दुष्टलोकसब हुनकासबके चारुदिसस' घेरि लेलक, दरबज्जाके बेर-बेर पिटैत छल। ओसब घरके मालिक जे बूढ़ छल ओ मनुष्यके कहैत छल, “अहाँके घरमे आएल ओहि पुरुषके बाहर निकालू, ताकि हमसब ओकरासंगे सम्भोग करए सकी।”23तखन घरके मालिक जे बूढ़ छल ओ बाहर निकलिक आएल आ हुनकासबके कहलक, “नहि, यौ हमर भाइबंधूसब एहन दुष्ट काम नहि करु! हमरा घरमे आएल लोकसबके देखक क' हुनकासबके संगे एहन अनुचित व्यवहार नहि करु!24देखू, ई हमरा कुमारि बेटी आ हुनकर रखैल अछि। ओकरासबके अहाँ लग' लाएब दैत छी आ अहाँसबके ओकरा बलत्कार आ जे मन होए से करु; मुदा एहि लोकसबसंगे एहन मूर्खताबला काज नहि करु।”25मुदा लोकसब हुनका नहि सुनलक, तएं ओ मनुष्य अपन रखैलके बाहर निकलल' ओकरासबके द' देलक जे सब बाहरमे छल। ओसब ओहि रखैलके राति धरि भोर नहि होएत धरि खुब सम्भोग कएलनि, आ अत्याचार सेहो कएलनि। भोर भ' गेल त' ओकरा पठा देलक।26ओ स्त्री भोरे-पराते अपन मालिकके घरके दुआरिप' गिर पड़ल आ रौद नहि उगल धरि ओहि ठाममे खसल रहि गेल।27हुनकर पति भोरमे उठल आ घरके दुआरि खोललक त' ओ देखलक की रखैल हाथ दरबाजापर' रहए।28ओ ओकरा कहलक, “उठू आ चलू!” मुदा कोनो उत्तर नहि देलक मिकलाके बाद ओकरा अपन गदहाप' बैठएलक आ अपन स्थानके दिस चलि गेल।29जखन ओ अपन घरमे आएल, ओ चक्कू ल क रखैलके खुंडी-खुंडी काटि देलक, बारहटा टुकड़ा क' क' आ ओकरा इजराएलके बारह वंशमे पठा देलक।30आब एना भेल जे केओ ई देखलक ओसब कहलक, “जहियास' इजराएलीसब मिस्र देश निकलिक' आबए धरि एहन काम नहि भेल अछि। आइके विषयमे अपने-आपमे विचार करु! योजना बनाउ आ की कर पड़तसे कहू!”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67