Judges20

1तखन इजराएली सबहक सन्तानसब, दानस' ल' क' बेर्शेबा धरि आ गिलादके लोकसब सेहो मिस्पामे यहोवाके सामने जमा भेल।2इजराएली सबहक' कुलके अगुवासब, चार लाख तरुआरि चलबबला पैदल सैनिकसब एकठाम जमा भ' क' परमेश्वरके लोकसबके सभामे उपस्थित भेल।3आब बिन्यामीनके लोकसब ई बात सुनलक की इजराएलके लोकसब मिस्पामे जमा भेल। तखन इजराएलीसब कहलक, “हमरासबके कहू एहन दुष्ट काम कोनाक' भेल।”4तखन लेवी ओहि मरल गेल स्त्रीके पति उत्तर देलक, ओ कहलक, “हम, आ हमर उपपत्नी गिबाके लग बिन्यामीनके छी, ओहि ठाम राति बिताबए अबैत रही।5गिबाके नगरवासीसब हमरासबके विरुद्ध आएल। ओसब हमरा चारुदिसस' ओहि राति घेरक' हमरा मार चाहलक। ओसब हमरासंगे रहल रखैलके संग बहुत कुकर्म कएलक की ओ मारि गेल।6हम अपन रखैलके एहि ठाम ल' क' आबिक' ओकरा काटिक' इजराएलीसबके अधिकारमे रहल सबठाम पठा देलनि, किएक ओसब घोर पाप कएने अछि आ इजराएलके वंशके अपमान कएने अछि।7हे इजराएलके लोकसब अहाँसब अपने-आप देखू, आ निर्णय करु।”8ओसब एक मन भ' गेल उठल, आ कहए लागल, “हमसब अपना डेरा, अपना घर नहि जाहि!9आब अपनासब गिबाके एना करी, हमसब चिट्ठा राखि ओकरास' युद्ध करी।10आब हमसब इजराएलके सबटा वंशमेस' एक सय पुरुषपर दसटा, एक हजार पुरुषपर एक सय, आ दस हजार पुरुषपर एक हजार, ताकि इजराएलके विरुद्धमे एहन कुकर्म कएने गिबाके बिन्यामीनसबके विरुद्ध जाएबला सिपाहीसबके लेल भोजन जमा करएबला पुरुष होए।”11तएं इजराएलके सबटा पुरुषसब ओ शहरके विरुद्धमे एक मन भ' क' जमा भेल।12इजराएलके वंश बिन्यामीनके सबटा वंशमे ई कहिक पुरुषसब पठौलक, “अहाँसबके बीचमे एहन कुकर्म काम भेल अछि से की बात अछि?13तएं गिबाके ओ कुकर्मी दुष्टके हमरासबके हाथमे सोंपिदिए, ताकि ओकरासबके मारिक इजराएलके विरुद्ध कएने कुकर्मके इजराएलमेस' एहन कुकर्मके नाश करी।” मुदा बिन्यामीनसब अपन भाइ-बंधू इजराएलीके कोनो बात नहि सुनए चाहलक।14तब बिन्यामीनके वंशसब इजराएलीसबके विरुद्ध युद्ध करबाक लेल गिबाके शहरमे जम्मा भेल।15तब बिन्यामीनके वंशसब छब्बीस हजार तरुआरि चलाबबला पुरुषसब जम्मा भेल छल, संगे गिबाके शहरस' आएल सात सय चुनल पुरुषसब सेहो छल।16ई सात सयो चुनल पुरुष बमरेटीया छल ओसब गुलेट्टी मारैत छल त ओकरासबके निशाना नहि चुकैत छल।17बिन्यामीनके वकूलके छोड़ि इजराएलीसब चार लाख पुरुष योद्धासब छल।18तखन इजराएलीसब उठिक बेतेलमे गेलथिन। इजराएलीसब परमेश्वरस' पुछलक आ ओसब कहलक, “बिन्यामीनके विरुद्ध युद्ध करबाक लेल बिन्यामीनमे के पहिने जाएत?” यहोवा कहलक, “यहूदा युद्ध करबाक लेल पहिने जाए।”19दोसर दिन इजराएलीसब भोरे उठिक' क' गिबाके लगमे डेरा खसओलक।20इजराएलीसब बिन्यामीनके विरुद्ध युद्ध करबाक लेल आगु बढ़ल। आ इजराएलीसब गिबामे रहल सबके विरुद्ध युद्ध करबाक लेल आएल।21मुदा बिन्यामीनके लोकसब गिबाके प्रान्तमे आबि ओहे दिन बाइस हजार इजराएलीके मारि देलक।22तथापि इजराएलीसब अपने-आपके साहस कएलक, आ ओसब ओहि पहिन दिनके स्थानप' युद्धके लेल गेल छल फेरुस' ओहि स्थानप' गेल।23तखन इजराएलीके सन्तानसब सांझ धरि यहोवाके सामने कानल। ओसब यहोवास' पुछलक, “की हमसब अपन भाय बिन्यामीनके विरुद्ध युद्ध करबाक लेल फेरुस' जाउ?” यहोवा उत्तर देलथिन, “हं ओकरासबके विरुद्धमे जाउ!”24तएं इजराएलीसब दोसर दिन बिन्यामीनसबके लग गेल।25तब बिन्यामीन सेहो दोसर दिन गिबाके प्रान्तमे युद्ध करबाक लेल आएल, आ ओहि दिन ओसब इजराएलीके अठार हजार तरुआरि चलबबलाके मारि देलक।26तखन इजराएलीसब बेतेलमे गेल आ यहोवाके सामने बैठक कनैत रहए। ओसब ओहि दिन सांझ धरि उपास रहए। ओसब यहोवाके होमबलि आ मेलबलिके चढौना चढ़एलक।27इजराएलीसब यहोवास' पुछलनि, परमेश्वरके करारके सन्दूक कत अछि?28पीनहास, एलीआजरके पुत्र, आ हारूनके पोता ओहि समयमे सेवा करैत छल, ओ कहलक, “की हम एकबेर फेरुस' अपन भाय बिन्यामीनके विरुद्ध युद्ध करबाक लेल जाउ वा त' बंद क दिए?” यहोवा कहैत अछि, “काल्हि जाउ, हम ओकरासबके अहाँसबके हाथमे द' देब।”29तएं इजराएलीसब गिबाके प्रान्तके चारुदिस डेरा लगाक बैसि गेल।30इजराएली तेसर दिन बिन्यामीनसबके विरुद्ध युद्ध करबाक लेल, ओसब गिबाके विरुद्ध आगु बढ़ल।31तब बिन्यामीनसब ओहि लोकसबस' युद्ध करबाक लेल बाहर आएल। ओसब शहरस' दूर रहए, ओसब लोकसबके मार लागल। दूटा बाट जे बेतेल आ गिबामे छल ओहिमे पहिने जेना लोकसबके मारि देलक आ तीसटा इजराएलीसबके मारि देलक।32तखन बिन्यामीनसब कहलक, “ओसब पहिने जेना फेरुस' हारि गेल अछि।” मुदा इजराएलीसब कहलक, “हम सबकिछु दूर भागि ताकि हमसब ओकरासबके शहरस' खीचक' रस्ताप' लाबि।”33तखन इजराएलीसब अपन स्थानमेस' उठिक युद्ध करबाक लेल बालतामारमे गेल। ओसब नुकाक' बैसल रहए आ मारेगेबामे युद्धके समय निकलिक' आएल।34इजराएलीसबमेस' चुनल दस हजार योद्धासब गिबाके सामने आएल, आ युद्ध घमसान भेल, मुदा ओसब नाश भ' रहल छल ओहिके विषयमे नहि जनैत छल।35तएं यहोवा बिन्यामीनसबके इजराएलके हाथ हरौलक। इजराएलीसब ओहि दिन पचीस हजार एकसयके मारि देलक, सबकेओ तरुआरि चलाब बलासब छल।36तएं बिन्यामीनसब देखलक की ओसब हारि रहल अछि। इजराएलीसब बिन्यामीनके स्थान ओ स्थान द' देलक ओसब बहुत भरोसा क' लेलक की गिबाके प्रान्तमे चारुदिसस' नुकाक बैसबलासब चलि गेल।37तखन नुकाक रहबला लोकसब जल्दीस' गिबाके प्रान्तप' चारुदिस पसरि गेल आ नुकाक रहबला लोकसब निकलिक' आएल आ तलबारस' पूरा शहरके आक्रमण कएलक मारि देलक।38झौखरामे नुकाक' रहबलासबके इजराएलीसबके ओकरासबके एकटा चिन्ह देने छल: शहरमे धुआंके खम्हा आकाश दिस उठाएब,39ई चेन्हक देख इजराएलीसब युद्धमे आएत से रहए। तखन बिन्यामीनसब इजराएलीके आक्रमण करए लागल आ तीसटा इजराएलीके मारि देलक। ओसब कहलक, “ओसब पहिने जेना फेरुस' हारि जाएत।”40मुदा बिन्यामीनसब धुआंके खम्हा आकाश दिस जाएत देखलक तब ओसब पाछु घुमिक देलक की शहरमे आगि लागि गेल अछि तएं धुआं आकाश दिस जा रहल अछि।41तखन इजराएलीसब घुमिक बिन्यामीनके उपर आक्रमण करएलेल आएल आ बिन्यामीनसबके नाश होएत से देखक' ओसब बहुत घबड़ा गेल।42तएं ओसब इजराएलीसबके देखक' मरुभूमि दिस भागि गेल, मुदा ओसब नहि छोड़लक, जे केओ शहरस' निकलिक' अबैत छल ओकरासबके मारि दैत छल।43इजराएलीसब बिन्यामीनसबके घेरि लेलक, ओकरासबके गिबाके पुरुबधरि रेबारैत रहल।44बिन्यामीनके अठार हजार पुरुषसब मरि गेल, ओसब योद्धासब छल।45ओसब उजाड स्थानमे रहल रिम्मोन नामक' चट्टान दिस भागि गेल। मुदा इजराएलीसब ओहू ठाम पांच हजार पुरुषके मारि देलक। फेरु ओकरासबके गिदोम धरि रेबारलक आ दस हजारके मारि देलक। 46तएं आब ई भेल ओहि दिन बिन्यामीनके पचीस हजार तलबारधारी मरल गेल। ओसब योद्धा रहए।47मुदा छ सय पुरुष ओहि ठाममेस' भागिक' रिम्मोनके नामके चट्टानमे चार महिना धरि रहल।48तखन इजराएलीसब बिन्यामीनके शहरमे आएल। ओसब तलबारस' शहरमे लोकसबके, मालजाल, जे-जे भेटल ओकरासबके नाश क देलक। हुनकासबके जते सहर भेटल ओहि सबहेटामे आगि लगा देलक।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67