Judges18
1ओहि समयमे इजराएलमे कोनो राजा नहि छल। आब ओहि समयमे दानके वंशके लोकसब बास बैसएके लेल एकटा इलाका खोजि रहल छल, एखन धरि ओसब इजराएलके वंशस' पाएबबला भागके अधिकारके लेल नहि भेटल छल। 2तब दानके वंश पांचटा पुरुषसब जे ओसब वंशके प्रतिनिधित्व करैत छल हुनकासबके सोरा आ एश्ताओलमे ई कहिक पठौलक, अहाँसब पैदल भूमिक खोजि करबाक लेल आ निकस' जांच करब। ओकरासबके कहलखिन, “जाउ! देशके पता लगाउ।” ओसब इफ्राइमके पहाड़के देश मीकाके घरमे आएल आ ओहि ठाम रातिमे रहल।3जखन ओसब मीकाके घरमे छल तब ओसब जवान लेवीके बोली चिन्ह लेलक। तएं ओसब ओकरा दिस घुमिक कहलक, “अहाँके एहि ठामके लौलक? अहाँ अहीं ठाम की क रहल छी? अहाँके की काम अछि?”4ओ हुनकासबके कहलखिन, “मीका हमरा एना व्यवहार कएने अछि, ओ हमरा मजदूरी द' क' रखने अछि आ हम पुजारी भ' गेल छी।”5ओसब हुनका कहलक, “कृपाक' क' परमेश्वर पुछियौ की हमसब जे यात्रामे जाए रहलछी ओहिमे सफल रहब की नहि।”6तखन पुजारी हुनकासबके कहलक, “शांतिस' जाउ, जाहि ठाममे अहाँसब जाए रहल छी यहोवा अहाँसबके संगे रहए।”7तखन ओ पांच मनुष्य ओहि ठाम छोड़िक लैशमे आएल। ओसब देखलक सीदोनिके लोकसब बहुत शान्त आ सुरक्षित जीवन जीबैत रहल अछि। ओकरासबके ओहि जगहके कब्जा करएमे विरोध करएबला केओ नहि छल। एक-दोसरमे संयम रखैत सीदोनीसब दुरे रहैत छल, आ हुनकासबके एक-दोसरमे कोनो किसिमके बातचित नहि होएत' रहित छल।8ओसब सोरा आ एश्ताओलमे रहल अपन भाइसबल' घुमिक आएल त'। हुनकासबके कहलक, “अहाँ सबकेओ कोना छी?”9ओसब उत्तर देलक, “उठू हमसब ओकरासबके विरुद्ध युद्ध करए चलू! हमसब देखने छी की ओ देश बहुत सुन्दर अछि। किएक अहाँसब चुपचाप बैसलछी। की ओहि देशके शासन करएलेल आलस नहि करु।10जखन अहाँसब ओहि देशमे जाएब त' देखब की ओ लोकसब कतेक शान्त आ सुरक्षित जीवन बिताबि रहल अछि। परमेश्वर ओहि देशके अहाँसबके हाथमे द' देने अछि जाहि अहाँसबके कोनो चीजके कमी नहि होएत।”11तएं ओसब दानके वंशस' छौसयो पुरुष अपन हथियार ल क सोरा आ एश्ताओलस' निकलिक यात्राके शुरु कएलक।12ओसब यहूदाके देश किर्यत्यारीममे जाएक डेरा लगौलक। आइके कारणे ओहि स्थानके नाम महनेदान आइके दिन धरि सेहो कहैत अछि। किर्यत्यारीमके पाछु ई स्थान पड़ैत अछि। 13ओसब इफ्राइमके पहाड़के देश पार कएलक मीकाके घर आएल।14तखन ओ पांचटा पुरुष जे लैश देशके खोजमे गेल रहए ओसब अपन भाइसबके कहलक, “की अहाँसबके मालूम अछि की ओहि ठाम एपोदके मूर्ति खोधिक बनौने आ ढाइलक बनौने कोनो घरसब नहि अछि? तएं अहाँसब विचार करु की कथी करब।”15ओसब घुमिक ओहि जवान लेवी जे मीकाके घरमे रहैत छल हुनका ल' आएल, आ ओसब हुनकास' हुनकर हालखबरि पुछलक।16आब छौसयो पुरुषसब जे दानके वंश छल ओसब अपन हथियारसब ल क मूल प्रबेश दुआरिप' ठाढ़ छल।17पांचटा पुरुष जे देशके खोजके लेल पैदल गेल छल, ओसब ओहि ठाम गेल आ ओसब खोधिक बनल मूर्ति, घरके देवता एपोद, ढाइलक' बनौने मूर्तिसब ल' लेलक, ओहि समय पुजारी संगे छौसयो पुरुष हथियार ल क ओहि मूल दुआरिप' ठाढ़ भेल छल।18जखन ओसब मीकाके घरमे आएल तब ओसब खोधिक बनौने मूर्ति, घरके देवता एपोद, आ ढाइलक बनौनेसब ल' क' आएल, तखन पुजारी कहलक, “अहाँसब की करए छी?”19ओसब हुनका कहलक, “चुपचाप रहू! अपन हाथस' अपन मुहं राखू, हमरासबके संगे चलू, हमरासबके पिता बनू आ हमरासबके पुजारी बनू। अहाँके लेल कोन बात नीक अछि, एकटा मनुष्यके घरमे पुजारी होएनाए की पूरा वंशके आ इजराएलके वंश पुजारी होएनाए?”20आइ बातस' पुजारीके मन खुश भ' गेल, तएं ओ खोधिक बनौने मूर्ति, घरके देवता एपोद, आ ढाइलक बनौनेसब ल' लेलक, आ लोकसबके समूहमे सामेल भ' गेल।21तखन ओसब घूमिलक, ओसब चलि गेल, ओसब बाल-बच्चा, मालजाल, आ मूल्यवान समानसब ल क चलि गेल। 22ओसब मीकाके घरस' बहुत दूर चलि गेल छल, आब मीका अपना परोसीसबके जे हुनका घरके नजदिकमे रहैत छल ओकरासबके जम्मा क' क आ दानके वंशके पाछु कएलनि।23ओ दानके वंशके बजओलक त' ओसब अपन मुहं मीकाके दिस घुमओलक आ ओसब कहलक, “अहाँके कथी भ' गेल जे अहाँसब जम्मा भ' क' आएल?”24ओ उत्तर देलक, “अहाँ हमर देवता आ पुजारीके ल क चलि आएल जिनका हम बनौने रही, आ अहाँ हमरा किछु नहि छोड़ली? आ अहाँ हमरास' पुछैत छी की अहाँके की भेल?”25दानके वंश ओकरासबके उत्तर देलक, “एत जोरस' नहि बाजू, नहि त' क्रोध करएबला लोकसब सुनि लेत अहाँके आक्रमण क' देत आ अहाँके परिवारके लोकसबके प्राण नाश क देत।”26तएं दानके वंशके लोकसब अपन रस्ता दिस चलि गेल, मीका बुझलक की ओसब हमरा बेसी बलवान अछि त' ओ अपन घरदिस आबि गेल।27आब ओसब ओहि चीजके ल क चलि गेल जे मीका आ पुजारी बनौने रहए, ओसब लैशमे आबि गेल, किएक ओहि ठामके लोकसब शान्त आ सुरक्षित रहैत छल। तएं ओसब ओकरासबके तलबारस' मारि देलक आ शहरके आगि लगा देलक।28ओकरासबके बचाबला कोनो आदमी नहि छल, आ सीदोन सेहो ओकरासबस' दूर छल, ओकरासबके केकरोस' कोनो सम्पर्क नहि छल। ओ सहर बेत्रहोब शहरके लगमे छल। ओसब फेरुस' ओहि शहरके बनौलक आ ओहि बसोबास कएलनि।29ओसब ओहि शहरके दान नाम देलक, अपन पिताके आदरमे जे इजराएलस' जन्म भेल छल। ओहिस' पहिने ओहि शहरके नाम लैश रहए।30दानके वंशसब अपनालेल मूर्तिसब स्थापना कएलनि। इजराएल कैदमे नहि ल' जाएस' पहिने योनातान जे गेर्शोमके पुत्र आ मूसाके बेटा छल। ओसब दानके वंशके पुजारी रहए। 31तएं परमेश्वरके भवन शीलोमे रहैत कालतक ओसब मीका बनौने मूर्तिसबके पूजा कएलनि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.