Judges17
1इफ्राइमके पहाडी देशमे एकटा मनुष्य छल, जिनकर नाम मीका रहए।2ओ अपन मायस' कहलक, “अहाँस' एघार सय चानीके रुपैया जे हम चोरएने रही जिनका विषयमे अहाँ सराप रहल छी से बात सुनि अछि, ओ चानीके रुपैया हमरासंगे अछि ओ हम ल' लेने छी।” हुनकर माय कहलक, “हमर बेटा यहोवाके आशीष अहाँपर' होए!” 3तखन ओ एगारहसय चानीके रुपैया अपन मायके वापस द' देलाके बाद हुनकर माय कहलक, “हम अपन ई सबटा रुपैया अपन बेटाके लेल द' रहल छी की ओ यहोवाके लेल एकटा मूर्ति खोधिक' आ ढाइलक' बनाक यहोवाके समर्पण करए। तएं आब, हम ई रुपैया हुनका द' दैत छी।”4जखन ओ रुपैया अपन मायके वापस क' देलाके बाद, हुनकर माय दू सय चानीके रुपैया सोनारी काज करएबलाके देलक जे मूर्ति खोधिक' आ ढालिक' बनबएला द' देलक ओ होअएस' मूर्ति बनौलक, बनलाक बाद ओ मीकाके घरमे रखलक। 5आब मीका नामके मनुष्यके देवताके घर छल। ओ एपोद आ घर-देवता मूर्ति बनौलक, आ अपन बेटासबमे स' एकटाके पुजारी नियुक्त कएलक।6किएक ओहि समयमे इजराएलमे कोनो राजा नहि छल आ जिनका मनमे जे ठीक लगैत छल ओहे करैत छल।7आब यहूदाके बेतलेहमस' यहूदाके वंशस' ओहि ठाममे रहके लेल एकटा जवान मनुष्य आएल जिनका नाम लेवी छल।8ओ यहूदाके बेतलेहम शहरके छोड़िक जं' त' कतौ ठाम भेटत ओहि ठाममे रहके लागि आएल। ओ मीकाके घर जे इफ्राइमके पहाड़मे रहए ओहि ठाममे आबि गेल।9मीका हुनका पुछलक, “अहाँ कतस' आएल छी?” ओ उत्तर देलथिन, “हम यहूदाके लेवी छी आ बेतलेहमस' आएल छी, आ हमरा जं' त' कतौ ठाम भेटत ओहि ठाममे रहलेल आएल छी।”10मीका हुनका कहलक, “अहाँ हमरासंगे रहू, हमरा पिता बनू आ हमर पुजारी होउ। हम अहाँ हरेक वर्ष दसटा चानीके रुपैया देब, कपड़ा आ खानपियनके लेल सेहो देब। तब ओ लेवी भीतर गेल।” 11तएं ओ लेवी हुनकासंगे रहबाक लेल राजी भ' गेल, आ ओ जवान मनुष्य मीकाके बेटामेस' एकटा बेटा ओहो भ' गेल।12मीका ओहि जवान लेवीके काम देलक, आ ओ जवान मनुष्य हुनकर पुजारी भ' गेल। तएं ओ हुनका घरमे रहए लागल।13तखन मीका कहलक, “आब हम स्त्री छी की यहोवा हमरा उन्नति करत किएक त' हम अपनासंगे लेवीके पुजारीके रखलनि।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.