Judges16

1एकदिन शिमशोन गाजा गेल आ ओहि ठाम एकटा वेश्याके देखलक, आ ओ ओकरासंगे चलि गेल।2तएं गाजाके लोकसब कहए लागल, “देखू, शिमशोन अत' आएल अछि।” तएं ओसब हुनका घेरि लेलक आ सहरक' द्वार पर राति भरि ओकरा प्रतीक्षा करैत रहल। ओसब पूरा राति किछु नहि कएलक ओसब कहैत छल, “भोरके इजोतमे हमसब ओकरा मारि देब।”3तब शिमशोन आधा रातिमे अपन ओछाओनपर रहए। आधिरातिमे ओ अपन ओछाओन स' उठिक' शहरके मूल दरबज्जाके दुनू दरवज्जा, आ दुनू खम्हा उखारिक' अपन गरदेनप' राखि लेलक, आ ओहिसबके हेब्रोनके पहाड़के चोटीपर ल गेल।4किछु दिनके बाद सोरेकके पहाड़ रहनिहार दलीला नामके स्त्रीस' प्रेममे फंसि गेल।5तब पलिश्तीके शासकसब ओहि स्त्री लग गेल आ ओकरा कहलक, शिमशोनके फुसलाक' पुछब, “अहाँके एत बलके दैत अछि, आ हमसब कोनाक' ओकरा अपना बसमे राखिक' ओकरा बानहए सकी आ कैद करए सकी। तखन अहाँके हमसब अपन दिसस' एघार-एघारसय चानीके रुपैया देब।” 6तएं दलीला शिमशोनके कहलक, “कहू, अहाँके बल कतस' अबैत अछि, अहाँके कोनाक केओ बानहएक' राखि सकी?”7तब शिमशोन उत्तर देलथिन, “केओ हमरा सातटा नबका सुखल जौरीस' बानहए देब त' हमर बल हमरामेस' निकलि जाएत, आ हम निर्बल भ' जाएब। हम आन कोनो लोकसब जकां भ' जाएब।”8तखन पलिश्तीके शासकसब सातटा नबका जौरी लौलनि जे सुखल रहए, आ ओ स्त्री ओहि जौरील क शिमशोनके बान्हि देलक।9तब ओ मनुष्यसबके जीना अपना घरमे नुकाक रखने रहए, ओ कहलक, “यौ शिमशोन, पलिश्तीसब अहाँके मार आबि रहल अछि।” मुदा हुनकर बानहए नबका जौरी आगिमे सन जौड़े तेना भ' गेल। तएं ओकर बलके राज नहि खुजल'।10तब दलीला शिमशोनस' कहलक, “देखू, अहाँ हमरा ठकिलेली, आ अहाँ हमरास' झूठ बजलहुं। कृपा कएलक कहि दू की अहाँ कोन चीजस' बान्हि सकी।”11ओ हुनका कहलक, “यदि कोनो जौरी जे कोनो काममे नहि लगौने अछि ओहि जौरीस' बानहए देब त' हमर बल हमरामेस' निकलि जाएत, आ हम निर्बल भ' जाएब। हम आन कोनो लोकसब जकां भ' जाएब।”12तएं दलीला नबका जौरीलक हुनका ओहिस' बानहए देलक। आ ओ हल्ला कएलक, “यौ शिमशोन, पलिश्तीसब अहाँके मार आबि रहल!” अछि जे लोकसब घरमे नुकाक रहल छल हुनका कहलक मुदा ओ जौरीसब अपन बांहिस' सन जेना तोड़ि देलक।13तखन दलीला शिमशोनके कहलक, “एखनोधरि अहाँ हमरा ठकि रहल छी आ हमरासंगे झूठ बाजि रहल छी। कहू कथीस' अहाँके बानहए सकी।” शिमशोन कहलक, “यदि हमर केशके सातटा चोटी तानिक' बानहए देब त' हम बानहए जाएब।”14तब शिमशोनके सुतल समयमे ओकरा सातटा चोटी तानिक' बानहए देलक, आ ओ हल्ला कएलक, “यौ शिमशोन, पलिश्तीसब अहाँके मार आबि रहल अछि!” तब ओ सुतलमेस' उठि गेल, आ ओ जखन उठल त' केशके चोटीके संगे तानल' किल्लासब उखारि गेल।15तखन ओ हुनका कहलक, “अहाँके दिल हमरासंगे नहि अछि तइयो अहाँ कोना कहि सकैत छी, ‘हम अहाँके प्रेम करैत छी?’ अहाँ हमरासंगे तीनबेर छलपूर्वक व्यवहार कएने छी आ अहाँ हमरा नहि भेद बतौने छी जे अहाँके बल कत' स' अबैत अछि।”16आब एना भेल जे ओ ओकरा अपन बोलीस' भरि दिन तंग क' देलीह। ओ ओकरा निरन्तर एतेक दबाव दैत रहलीह जे ओकर प्राण छुटएबला रहैक।17तएं ओ ओकरा सबकिछु कहि देलक जे ओकरा मनमे रहए, “ओकर माथके केश काटएलेल कोनो छुरा नहि लागल अछि, किएक त' हम अपन मायके गर्भस' परमेश्वरके लेल नाजीर छी। यदि हमर माथके केश कटली, त' हमर बल हमरामेस' निकलि जाएत, आ हम निर्बल भ' जाएब। हम आन कोनो लोकसब जकां भ' जाएब।”18जखन दलीला बुझि गेलीह जे ओ अपना मनके सबटा बात ओकरा कहि देने अछि, तब ओ पलिश्तीसबके शासकसब लग ई कहिक' बजाबएलेल पठौलीह, “एकबेर अहाँसब फेरु आउ, किएक त' ओ हमरा अपन मोनक सबटा बात कहि देने अछि।” तेकरबाद पलिश्तीसबके शासकसब ओकरा लग आबि गेल, आ ओसब अपनासंगे हाथमे चानी लएने रहैक।19तब ओ ओकरा अपन कोरामे सुता देलीह आ ओ ओहि लोकसबके बजबैत रहैक त' ओ ओकर माथके सातो जटा छिल देलीह। एनाक' ओ ओकरा निर्बल बनाबए शुरु क' देलनि, आ ओकर बल ओकरामेस' निकलि गेलनि।20तब ओ कहली, “पलिश्तीसब अहाँपर आबि गेल, यौ शिमशोन!” ओ अपन निनस' उठल आ कहलक, “हम अपन बनहनके हिला देबै आ बेर-बेर जकां निकलिक' भागि जाएब।” मुदा ओ नहि बुझि सकल जे यहोवा ओकरापरस' चलि गेल छलथि।21पलिश्तीसब ओकरा पकड़ि लेलक आ ओकर आंखि निकालि लेलक। ओसब ओकरा गाजामे अनलकनि आ ओकरा कांसके एक जोर झिझिर ल' क' बानहए देलक। आब ओ कैदीसबके घरमे जंता पिस लागल।22यद्यपि, ओकर माथके केश छिललाके बाद ओ फेरुस' बढ़ि' लागल।23पलिश्तीसबके शासकसब अपन देवता दागोनके लेल पैघ बलि चढ़ाब' लेल आ उत्सव मनाबलेल सब केओ एकट्ठा भेल रहए। ओसब कहलक, “हमरासबके देवता अपनासबके बड़का शत्रु, शिमशोनके अपनासबके हाथमे सोंपि देने छथि।” 24जं लोकसब ओकरा देखलक, त' ओसब अपन देवताके प्रशंसा कएलक, आ कहलक, “हमरासबके देवता हमरासबके देशके बरबाद करएबला, जे हमरासबके बहुते गोटेके मारिक' ढेर लगा देने, शत्रुके हमरासबके हाथमे सोंपि देने छथि।”25आब एना भेल, जखन ओकरासबके मोन बड्ड खुश रहैक, ओसब कहलक, “शिमशोनके बजाउ, जे ओ हमरासबके हंसाबए।” तएं ओसब ओकरा शिमशोनके कैदीसबके घरमेस' बजौलक आ ओ ओकरासबके आगु तमासा कएलक। ओसब ओकरा खम्हाके बीचमे बानहएक' रखने रहैक।26तखन शिमशोन ओहि जवान मनुष्यके कहलक जे हुनका हाथके पकड़ने रहए, “हमरा अराम करए दू! हमरा खम्हाके छुबए दिए जाहिपर' घर ठाढ़ अछि, जाहिप' हम अपने-आप अढेस' लिअ सकी।”27ओहि घरमे पुरुष आ महिलास' भरल रहए, पलिश्तीके सब शासकसब सेहो ओहि घरमे रहए। ओहि घरके उपर तीन सय पुरुष आ महिलासब रहए, जखन शिमशोन ओकरासबके हंसा रहल छल।28तखन शिमशोन यहोवाके जोरस' बजाक' कहलक, “यौ हमरा यहोवा हमरा स्मरण करु, यौ परमेश्वर एकबेर फेरुस' बल दू, ताकि एहि पलिश्तीसबस' हम अपन आंखिके बदला लिअ सकी।”29शिमशोन दूटा खम्हा जेहि पर' पूरा घर ठाढ़ रहए। ओ अपन दहिना हाथस' आ दोसर बायां हाथस' ओहिप' रखलक।30शिमशोन कहलक, “हमरा प्राण एहि पलिश्तीसबके संगे मारि जाए!” ओ अपन हाथके बलपूर्वक धएलनि आ ओ घर पलिश्तीके शासक आ सबटा लोकसबपर' खसि गेलनि। जे मरल ओ अपन जीवन भरिमे एत लोकसबके नहि मारलक जे ओ एकदिन मारि देलक। 31तखन हुनकर भायसब आ हुनका परिवारके लोकसब हुनका ल क हुनकर बाबु मानोहके कब्र ल' जे सोरा आ एश्ताओलके बीचमे रहए ओहि ठाममे गाड़ि देलक। शिमशोन इजराएलके बीस वर्षधरि न्याय कएलक।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67