Judges12
1किछु समय बाद इफ्राइमके सैनिकसब एकट्ठा भ' क' यरदन पार सापोनमे गेल आ यिप्तहके कहलक, “जखन अहाँ अम्मोनीसबके' संग युद्ध करबाक लेल गेल त' हमरासबहक' किएक नहि कहलीह? आब हमसब अहाँ सहित अहाँके घर जरादेब।”2यिप्तह हुनकासबके उत्तर देलथिन, अम्मोनीसबस' युद्ध करबाक लेल हमरा आ हमरा लोकसबमे मनमोटाब भ' गेल, आ हम अहाँसबके सहयोगके लेल कहलहुं त' अहाँ ओकरासबके हाथस' नहि बचओली।3जखन देखलि की बचाबके लेल अहाँसब नहि आबि रहल छी तब हम अपन प्राणके हाथमे राखिक अम्मोनीसबके विरुद्ध युद्ध कएलहुं, आ यहोवा ओकरासबके हमरा हाथमे द' देलथिन। आब अहाँसब हमरास' किएक झगड़ा करबाक लेल आएल छी।4तखन यिप्तह गिलादके सब सैनिकसबके जमा कएलक आ इफ्राइमसंगे युद्ध कएलक। गिलादके लोकसब इफ्राइमके आक्रमण कएलक किएक इफ्राइमसब कहैत छल, “अहाँसब गिलादीसब इफ्राइम आ मनश्शेस' बागी भ' गेल छी।”5गिलादीसब इफ्राइमसंगे यरदन पार धरि कब्जा कएलक। इफ्राइममेस' बांचल लोकसब कहैत छल, “हमरा ओहिपार जाए दिए।” तब गिलादके लोकसब कहैत छल, “की अहाँ इफ्राइमके लोकसब छी?” यदि ओसब, “नहि” कहैत छल,6तखन ओसब ओकरास' पुछैत छल, “कृपया शिब्बोलेत कहू।” मुदा ओसब “सिब्बोलेत” कहैत छल, किएक ओसब निकस' उचारण नहि करए सकी छल, तब ओकरासबके पकड़िक' यरदन ओहिपार मारि देत छल। ओहि समयमे बियालीस हजार इफ्राइम सैनिकसबके' मारलक।7यिप्तह इजराएलमे छ वर्षधरि न्याय कएलक। तखन गिलादीके यिप्तह मारि गेलनि आ हुनका गिलादके शहरमे गाड़ि देलक। 8ओ मरलाके बाद, बेतलेहमके निवासी इबसान इजराएलके न्यायकर्ता रहल।9आब हुनका तीसटा पुत्र छल। तीसटा बेटीके दोसर वंशमे विवाह क' देलक आ अपन बेटासबके लेल तीसटा पुतौह दोसर वंशमेस' लएक आएल। ओ इजराएलके सात वर्ष धरि न्याय कएलक।10तखन इबसान मारि गेलनि आ हुनका बेतलेहममे गाड़ि देलक।11ओ मरलाके बाद, जबूलूनके एलोन इजराएलमे न्याय कएलक। ओ इजराएलमे दस वर्षधरि न्याय कएलक।12तखन जबूलूनके एलोन मारि गेलनि आ हुनका अय्यालोनमे गाड़ि देलक।13ओ मरलाके बाद, हिल्लेलके पिरातोनीके पुत्र अब्दोन इजराएलके न्याय कएलक।14आब हुनका चालीसटा बेटा आ तीसटा पोता छल, जे सत्तरि गदहाप' सवारी करैत छल। ओ आठ वर्ष धरि इजराएलके न्याय कएलक।15तखन हिल्लेलके पिरातोनीके पुत्र अब्दोन मारि गेलनि आ हुनका इफ्राइमके पिरातोनमे गाड़ि देलक जे अमालेकीके पहाड़मे छल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.