Judges11

1ओहि समयमे यिप्तह जे गिलादीके छल ओ बहुत लड़ाकू छल, मुदा ओ बेश्याके पुत्र छल, आ गिलाद यिप्तहके जन्म देलक।2गिलादके पत्नी सेहो अपना बेटासबके जन्म देलथिन। जखन हुनकर बेटासब जवान होए लागल, तखन ओसब यिप्तहके ई कहिक' निकालि देलक, “तों जे दोसर स्त्रीके बेटा छे अहीं दुआरे तोरा हमर पिताके अंशमे हिशा नहि मिलत।”3तएं ओ अपन भाइसबके उपस्थितिस' भागिक' तोबमे रह लागल। अबारा बेकार लोकसब यिप्तहके संगे जम्मा होबए लागल आ ओ ओकरासंगे घुमि लागल।4आब एना भेल की किछु दिनकेबाद अम्मोनीके सन्तानसब इजराएलीसबके संगे युद्ध करए लागल।5जखन अम्मोनीके सन्तानसब इजराएलीसबस' युद्ध करए लागल, तब गिलादके बूढ़सब यिप्तहके तोबके देशस' बजाबएला जम्मा भ' गेल।6तब यिप्तह कहलक, “आउ आ हमरासबके सेनापति भ' जाउ ताकि हमसब अम्मोनीके सन्तानसबके संगे लड़ि सकी।”7मुदा यिप्तह गिलादके बूढ़ लोकसबके कहलखिन, “की अहाँसब नहि हमरा घृणा क' क' हमरा अपना पिताके घरमे निकालि देलिन? अहाँसब किएक एहि संकटके समय हमरालग' आएल?”8तखन गिलादके बूढ़सब यिप्तहके कहलखिन, “हमसब आब पाछु आएल छी; तएं अहाँ हमरासंगे चलू आ अम्मोनीके सन्तानसब संगे हमरासबके लेल युद्ध करु, गिलादके नगरवासीके उपर सेनापति भ' जाउ।”9यिप्तह गिलादके बूढ़सबस' कहलक, “यदि अहाँसब अम्मोनीसब संगे युद्ध करबाक लेल हमरा घुमाक अपन गाम लजाएलेल, आ यहोवा ओकरासबके हमरा हाथमे द' देत, हम अहाँसबके जरुर अगुवा होएब?”10तखन गिलादके बूढ़सब यिप्तहके कहलक, “यहोवा हमरा अहाँके बीचमे साक्षी रहए, हुनकर करिया खाएक कहैत छी हमसब अहाँ जेना कहब ओहिना करब।”11तएं यिप्तह गिलादके बूढ़संगे गेलथिन, लोकसब हुनका शासक आ सेनापति बनौलक, आ यिप्तह मिस्पामे यहोवाके उपस्थितिमे अपन बातसब रखलनि।12तखन यिप्तह अम्मोनीके राजाके दूत संगे ई बात पुछली, “अहाँसबके की भेल जे अहाँसब हमरासबके देशमे युद्ध करबाक लेल आएल?”13अम्मोनीके राजा यिप्तहके ई सन्देश पठौलक, “किएक त' जखन इजराएलीसब मिस्र देशमेस' निकलिक' आएल तब अर्नोनस' ल क यब्बोक, आ यरदन धरि हमरासबके सबटा देशल' लेलक', तएं बिना झगड़ा कएने ओ देशसब द' दिए।”14तखन यिप्तह फेरुस दोसर बेर अम्मोनीके राजाक दूतके पठौलक,15आ ओ हुनका कहलक, “तएं यिप्तह हुनका कहलक: इजराएलीसब नहि त' मोआबके देश, आ नहि त' अम्मोनीके सन्तानसबके लेत।16मुदा जखन मिस्रस' निकलिक' आएल, इजराएलीसब मरुभूमिके रस्ता द' क' लाल समुद्रस' कादेश धरि आबि गेल। 17जखन इजराएलीसब एदोमके राजा ल' दूतके ई कहिक पठौलक, ‘की अहाँ हमरासबके अपन देश द' क' जाए दिअ,’ मुदा एदोमके राजा नहि सुनलक। ओहिना कएलक मोआबके राजा ल' सेहो, मुदा ओ नहि सुनि ल क। तएं इजराएलीसब कादेशमे रहि गेल।18तखन ओसब एदोम आ मोआब देशके घुमिक' मरुभूमिके रस्ता द' क' मोआबके पूर्व दिस गेल। ओसब अर्नोनके दोसर दिस डेरा बनाक' रहल, ओसब मोआबके सीमाप' नहि गेल, किएक अर्नोन मोआबके सीमाप' छल।19ओहिके बाद इजराएलीसब हेशबोनमे शासन करएबला एमोरीके राजा सीहोनल' दूत पठौलक, इजराएलीसब हुनकास' कहलक, ‘कृपाक' हमरासबके अहाँके देश द' क' जाए दिए।’20मुदा सीहोन अपना सीमाप' द' क' इजराएलीसबके जाए दिए लेल भरोसा नहि कएलक। तएं सीहोन अपन लोकसबके यहसमे जम्मा भेल आ इजराएलीसबस' युद्ध कएलक।21तखन इजराएलके परमेश्वर यहोवा सीहोन आ ओकरासब लोकसबके इजराएलीके हाथमे द' देलक आ ओसब ओकरासबके हरा देलक। तएं इजराएलीसब एमोरीके देशमे अधिकार कर लागल।22ओसब अर्नोनस' यब्बोक धरि, आ यरदनके मरुभूमिधरि एमोरीसबके देश अधिकार कएलक।23तएं यहोवा, इजराएलके परमेश्वर एमोरीसबके उपस्थितिस' भगा देलक, ताकि अहाँसब फेरुस ओहि देशके अधिकार करबाक लेल देलक?24यदि कमोश, अहाँके देवता अहाँके अधिकार करएलेल देश देत त' की अहाँ अधिकार नहि करब? तएं हमर परमेश्वर यहोवा ओकरासबके हमरासबके सामनेस' भगा देलक, ताकि हमसब' अधिकार कर सकी। 25आब अहाँ मोआबके राजा सिप्पोरके पुत्र बालाकस' की निमन छी? की ओ कहियो इजराएलस' झगड़ा क' क' आक्रमण कएलक त'?26जखन इजराएलीसब हेशबोन आ ओकर गाममे, अरोएर आ ओकर गाममे, अर्नोन आ ओकर नदीके किनहेरिके नगरमे रहि रहल छल तब अहाँसब किएक हुनकासबस' फिरता मंगली।27हम अहाँके विरुद्ध पाप नहि कएने अछि, मुदा अहाँ खराबी क' क' किएक हमरास' झगड़ा करैत छी। यहोवा न्याय करथिन, आ ओ इजराएलीसब आ अम्मोनीके बीचमे आइके दिनस' न्याय करथिन।”28मुदा अम्मोनीके राजा यिप्तहके बातके कोनो मोजरा नहि देलक जे हुनका ल' पठौने रहए।29तखन यहोवाके आत्मा यिप्तहपर आएल, ओ गिलाद आ मनश्शे द' क', आ गिलादके मिस्पेमे आएल, आ गिलादके मिस्पे द' क' अम्मोनीके देश गेलनि।30तब यिप्तह यहोवास' कबुला कएलक' कहलक, “यदि अहाँ अम्मोनीसबके हमरा हाथमे द' देब त',31जखन हम अम्मोनीसबस' युद्धके' क' शांतिस' घुमिक आबि आ हमरा भेट करबाक लेल जे केओ हमर घरके दरबज्जाप' पहिने आएत ओ यहोवाके होएत, आ हम ओकरा होमबलिक' देबिन।”32तएं यिप्तह अम्मोनीसबस' युद्ध करबाक लेल गेलनि, आ यहोवा ओकरासबके हुनका हाथमे द' देलनि।33तखन ओ अरोएरस' मिन्नीत धरि, आ आबेल-करामीम धरि सेहो जे बिसटा सहर छल जिनका नाश क' देलक, तएं इजराएलीके सन्तानके अधीनमे अम्मोनीसबके क' देलक।34जखन यिप्तह अपन घर मिस्पामे घुमिक आएल त', हुनकर बेटीके हुनका भेट करबाक लेल डफली बजबाक आ नाच करैत आएल। किएक हुनका एकटा बेटा मात्रे छल; हुनका ओकरा छोड़िक आओर बेटाबेटी नहि छल।35आब एना भेल जं' ओ अपन बेटीके देखलनि त' ओ अपन कपड़ा फाड़लक आ कहलक, “हाय, हमर बेटी! अहाँ वास्ताबमे हमर शोकमे डूबा देलनि, अहाँ ओकरामे छी जे हमरा दुख देत अछि! हम अपन मुहंस' यहोवास' कबुला कएने छी आ हम ओकरा नहि हटा सकैत छी।”36तखन हुनकर बेटी हुनका कहलक, “यौ बाबु, अहाँ यहोवास' कबुला कएने अछि। तएं अहाँके मुहंस' जे बात निकलल अछि तहिना करु किएक त' यहोवा अहाँके अम्मोनीसबके हाथस' छुटकारा देने छथि।”37ओ अपन बाबुके कहलक, “एकटा चीज हमराल क' दिए। हमरा दू महिनाके लेल छोड़ि दिए, की हम अपन सखीसब पहाड़प' घुमि आ अपन कुमारिपनप' कानि दिए।” 38यिप्तह उत्तर देलक, “जाउ” तखन ओ अपना बेटीके दू महिनाके लागि छोड़ि देलक। ओ चलि गेलनि, आ ओ आ ओकर सखीसब ओकर कुमारिपनप' ओकर सहलीस' पहाड़ कनैत' छल।39आब एना भेल जे दू महिना बितलाक बाद ओ अपन बाबुल' घुमिक आएल, ओ अपन कबुला कएने अनुसार पूरा कएलक। ओ कुमारि छल, आ इजराएलीसबके रीतिरिवाज भ' गेल।40तएं इजराएलीसबके बेटीसब हरेक वर्ष चार दिनके लेल गिलादीक' यिप्तहके बेटीके स्मरणमे बाहर जाएके रीतिवाज भ' गेल।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67