Joshua9

1आब यरदन नदीक ओहिपार पहाड़ी इलाकामे, तराईमे, लेबनान धरि आ महान सागरके किनारक हित्ती, एमोरी, कनानी, परिज्जी, हिब्बी आ यबूसीसबके राजासब ई सुनलक।2ओसब एकमत भ' क' यहोशू आ इजराएली सबहक विरुद्ध युद्ध कर' लेल एकजुट भेल।3मुदा जखन गिबोनक' बासीसब सुनलक जे यहोशू यरीहो आ आई सहरके की कएने छथि,4ओसब एकटा धूर्त योजना सेहो बनौलनि। ओसब भोजन ल' क' अपन गदहापर फाटल चिटल बोरा आ क जगह फाटल आ सिअल गेल चमड़ास' बनल दाखमद्य राखबला झोरा,5पएरमे खियाएल चप्पल, फाटल-पुरान कपड़ा, आ सुखल टटाएल आ जहिया लागल रोटी छल।6तब ओसब गिलगालमे यहोशूके शिविरमे आएल आ यहोशू आ इजराएलीसबस' कहलनि, “हमसब दूर देशस' आएल छी, तएं हमरासबहक संग एकटा करार करु।”7इजराएलीसब हिब्बी सबस' कहलकनि, “शायद अहाँसब हमरासबहक बीचके रहैत छी। हम अहाँसबहक' संग कोना करारक' सकब?”8मुदा ओसब यहोशूके कहलक, “हमसब अहाँक' सेवक छी।” तब यहोशू ओकारा सबस' कहलनि, “अहाँसब के छी? आ कत' स' आएल छी?”9ओसब हुनकास' कहलक, “अहाँक' सेवकसब दूर देशस' आएल अछि, यहोवा अहाँसबहक' परमेश्वरक नाम सुनिके आएल छी, किएक त' हमसब हुनकर आ मिस्रमे कएने हुनकर काजक खबरि सुनने छी।10यरदन नदिक' ओहिपार एमोरीक' दूटा राजा, हेशबोनके राजा सीहोन आ अश्तारोतवासी बाशानके राजा ओगके संग जे जे कएने छथि से सुनने छी।11तएं हमरासबहक धर्मगुरुसब आ हमरासबहक देशके' देशवासी सब हमरासबस' बात कएलनि, ‘यात्रा क' लेल भोजन ल' क' हुनकासबस' भेट कर' जाउ आ हुनकासबके कहबनि, “हमसब अहाँसबहक सेवक छी। तएं आब हमरासबहक संग एकटा करार करु।”12जं हमसब अहाँसबलग आबएलेल निकलली ओहि समय हमसब घरस' बाटमे खाएलेल टटका आ गरम रोटी ल' क' निकलल रही। मुदा आब देखल जाए, ई रोटी सुखा टटा गेल आ जहिया गेल अछि।13जं हमसब यात्रा शुरु कएली त' दाखमद्यके' चामक' झोरा नव छल मुदा आबि फाटि गेल अछि। हमरासबहक कपड़ा आ चप्पल दूर दराजक' यात्रा क' कारण एखन फाटल चिटल आ खियाएल अछि।’”14ओ आदमीसब यहोवाक' मर्जी नहि बुझि ओकारा सबहक भोजनमेस' ल' क' खएलक।15तब यहोशू ओकारा सबस' करारक' क' ओकरासबके जीबित रहए देलक आ सभाके अगुवासब ओकरासबके शपथके सुनिश्चित कएलनि।16ओकारा सबहक संग करार कएलाक तीन दिन बाद ओसब त' अपने पड़ोसी अछि आ अपने सबहक बीचमे रहैत अछि से सुनिलनि।17तब इजराएलीसब चलि के तेसर दिनमे ओकारा सबहक शहरमे पहुंचल। ओकारा सबहक' सहरसब गिबोन, कपीरा, बेरोत आ किर्यत्यारीम छल।18मुदा इजराएलीसब ओकरासबके नहि मारलक किएकत' सभाके' धर्मगुरुसब ओकरासबके यहोवा इजराएली सबहक परमेश्वरक नामस' शपथ खएने छल। पूराके पूरा सभाके' आदमीसब धर्मगुरु आ नायक सब कुरबुड़ाए लागल।19मुदा अगुवासब सभाके लोकसबस' कहलनि, “हमसब यहोवा इजराएली सबहक परमेश्वरक' नामस' ओकारा सबस' समक्ष शपथ खएने छी आ आब हमसब ओकरासबके किछु नहि क' पाएब किएक त' आब हमसब ओकारा सबहक नहि छुबि पाबि रहल छी।20हमसब एहिना करब, जे हमसब ओकरासबके जिअए देब, ने' त' हमरासबहक शपथके कारण हमसब क्रोधमे पड़ि जाएब।”21अगरियासब ओकरासबके कहलनि, “ओकरासबहक जिअए दिऔ।” आ ओसब अपनासबके' समुदायके लेल लकड़हारा आ पनिभरा बनिक रहत, तएं ओसब समाजक' अगुवा सबहक प्रतिज्ञा बमोजिम लकड़हारा आ पनिभरा बनि गेल।22तब यहोशू ओकरासबहक' बजाक' कहलनि, “तोंसब हमरासबहक' किएक धोखा देलह, आ कहली ‘हमसब अहाँसबस' बहुत दूरक' छी’, जखन की तोंसब हमरासबहक बीचमे रहैत छह?23ओहिस' आब तोंसब सरापल रहब, आ तोरासबके हमरासबहक परमेश्वरक भवनके लेल दास, अर्थात् लकड़हारा आ पनिभरा बनिक' रहए पडत।” 24ओसब यहोशूके उत्तर दैत कहलक, “किएक त' अहाँक' सेवकसबके स्पष्टरुपस' निर्देशन गेल छल जे यहोवा अहाँसबहक परमेश्वर अपन दास मूसाके आज्ञा देने रहथि जे ओ अहाँसबके पूरा देश द' दिअ आ ओहि देशके' देशवासी सबके पूर्णरुपस' अहाँसब अपन आगुस' नाश क' दिअ, एहि कारणस' हमसब अहाँसबस' बहुत डेरा गेल रहिऐ, तएं हमसब एहन काज कएलिऐ।25आब देखू, हमसब अहाँसबहक शरणमे छी। हमरासबहक संग जेना उचित आ नीक बुझाइए ओहने कराएल जाओ।”26ओ ओकारा सबहक संग एहने कएलनि आ इजराएलीसब' ओकरासबके बचा लेलनि, आ ओसब ओकरासबके नहि मारलक।27ओहि दिन यहोशू ओकरासबके समुदाय आ यहोवाक' वेदीके' लेल लकड़हारा आ पनिभरा बनौलनि। जे आजुक दिन धरि ओहने अछि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67