Joshua8

1यहोवा यहोशूस' कहलनि, नहि डेराउ, हतोत्साहित नहि होउ। जखन यरदन नदीक ओहिपार पहाड़ी इलाकामे, तराईमे, आ महान सागरक समस्त तट पर लेबनान दिसक सब राजा हित्ती, एमोरी, कनान, परीज्जी आ हिब्बी आ यबूसी — सुनू, योद्धा सबहक साथ ल' क' आई सहरपर चढाइ करु देखू, हम आई के राजाके ओकर प्रजा, सहर, आ देश सहित अहाँके हाथमे द' देने छी।2अहाँ जेना यरीहो आ ओकर राजाक' संग कएने रही ओहने आई सहर आ ओकर राजाक' संग करब। मालजाल आ लूटके माल मात्रे अहाँ अपन संग ला' सकैत छी। सहरक' पाछु दिस अपन आदमीके घातमे लगा दिऔ।3तएं यहोशू योद्धासब सहित आई सहरपर चढाइ के लेल उठलनि। यहोशू तीस हजार शुरवीर योद्धाके चुनिक' रातिमे पठओलक।4ओ आदेश दैत ओकारा सबस' कहलनि, “देखू, अहाँसब शहरके पाछु दिस घात लगाक' बैसल रहब। सहरस' बहुत दुआरि नहि जाएब। मुदा अहाँसब तैयारी अवस्थामे रहब।5हम आ हमरासंग रहल आदमीसबके ल' क' सहर दिस जाएब, आ जं ओसब हमरासबहक बिरुद्धमे सहरस' निकलिक आएत त' पहिने जकां हमसब ओकारा सबहक सोझास' भागि पड़ाएब।6ओसब हमरासबके खिहारत आ हमसब ओकरासबके सहरस' बहुत दूर निकालिक' लाएब। एहिस' ओसब सोंचत जे पहिने जकां ‘ओसब हमरासबस' डेराक' भागि रहल अछि।’ तएं हमसब ओकारा सबहक सामनेस' भागब।7तब अहाँसब घात लगाक' बैसल जगहस' उठिक' सहर कब्जा क' लेब, किएक त' यहोवा अहाँसबहक परमेश्वर आई सहर अहाँसबहक हाथमे द' देथिन।8जखन सहर कब्जा क' लेब, तब शहरके आगि लगा देब। अहाँसब यहोवाके' वचन अनुसार करब। देखू, हम अहाँसबके आदेश दैत छी।”9यहोशू ओकरासबके पठा देलनि आ ओसब घात लगाक वैस' लेल गेल। ओसब बेतेल आ आइ बीचमे आ आई शहरके पछबारी कात जा' क' प्रतीक्षा करए लागल। मुदा यहोशू आदमीसबके बीचमे राति गुजारलनि।10यहोशू भोरहरीऐमे उठि' आदमीसबके जमाक' इजराएली धर्मगुरुसब सहित आई नामके सहर दिस आगु बढलनि।11ओकारा सबहक संग सारा योद्धा आदमीसब शहरके आगु लगमे आबिक' आई शहरके उत्तर दिस तम्बू लगएलक। ओकरासब आ आई शहरके बीचमे एकटा उपत्यका छल।12ओ लगभग पांच हजार आदमीके ल' क' सहरक पश्चिम दिस बेतेल आ आई नामके शहरके बीच घात लगाबए लेल राखि देलनि।13ओसब योद्धा सबहक सहरक' उत्तर दिस आ पहरा देनिहार ओकर पाछूक' सहरक' पश्चिम दिस ठाढ़ कएलनि। यहोशू ओहि राति उपत्यकाके बीचमे चलि गेलनि। 14जखन आई शहरके राजा ई देखलक त' शहरके आदमीसब जल्दी-जल्दी उठिक' ओसब अराबा लग इजराएलीसबके विरुद्ध युद्ध करएलेल निकलल। मुदा ओकारा सबहक ई नहि बुझल छल जे सहरक' पाछु ओकरासबपर घात लगाएल गेल अछि।15यहोशू आ सारा इजराएलीसब ओकारा सबहक सामनेस' हारल जकां उजाड स्थान दिस भाग लगलनि।16आई शहरके आदमीसबके ओकरासबके खेहटा करए लेल बजाओल गेल, तएं ओसब यहोशूके' पाछु रेबारैत रेबारैत सहरस' बहुत दूर निकलि गेल।17आई वा बेतेलमे एहन कोनो आदमी नहि रहल जे इजराएली सबहक पाछु नहि गेल होए। तएं ओसब सहरक' द्वारा खुल्ला छोड़िक इजराएली सबहक खेहटा कएलक।18तब यहोवा यहोशूस' कहलनि, “अहाँक हाथके' भाला आई सहर दिस पसारू, किएक त' हम ओ अहाँक' हाथमे द' देब।” तएं यहोशू अपन हाथके' भाला सहर दिस पसारलनि।19तखने घात लगाक' बैसल आदमीसब तुरन्ते उठिक' शहरमे घुसिक' कब्जा क' लेलक आ तुरन्ते शहरमे आगि लगा देलक।20जं आई सहरक' आदमीसब घुरिक' देखलक आ सहरक' धुंआ आकाश दिस उठैत देखलक, आ ओकारा सबहक लेल भागके' लेल कोनो जगहे नहि छल। किएक त', जे आदमीसब उजाड स्थान दिस भागि रहल छल ओसब घुरिक' खेहटा करएबलासबपर आक्रमण क' देलक।21जखन यहोशू आ सारा इजराएलीसब देखलक जे घात लगाक' शहरके घेरि लेने अछि आ सहरस' धुंआ उठि रहल अछि त' ओसब पाछु घुमिक' आई शहरके आदमीसबपर आक्रमण कएलक।22ओकरासबहक विरुद्ध सहरस' दोसर आदमीसब सेहो आएल, ओसब इजराएली सबहक बीचमे पड़ि गेल, किछु एहि कात आ किछु ओहि कात। आ ओसब ओकरासबके चुनि चुनिक मारि देलक, एकोगोटे नहि बचल।23ओसब आई क' राजाके जीविते पकड़िक' यहोशू लग अनलकनि।24जखन इजराएलीसब आई शहरके बासिन्दासबके उजाड स्थानक' लगमे मारि देलक जत ओसब ओकरासबहक रेबारने छल, आ ओसब तलबारस' मारल गेल, ओकारासबमेस' सब केओ मरल गेल। तब सारा इजराएली आई शहरमे आबिक' ओत' रहल सबके सेहो तलबारस' मारि देलक।25ओहि दिन बारह हजार पुरुष आ स्त्री मारल गेल छल, आई शहरमे जमा एतबे आदमी छल।26जा' धरि आई शहरके बासीसब पूर्णरुपस' नहि मारल गेल ता' धरि यहोशू अपन भालावला हाथ पसारने रहल आ पाछु नहि हटएलनि।27इजराएलीसब ओहि शहरके मालजाल आ सरसामानके अपना लूटके माल स्वरुप ल' लेलक, जेना यहोवा यहोशूके आज्ञा देने छलथि।28तब यहोशू आई शहरके जराक' सदाके लेल राखिक ढेर बना देलनि, जे ई धरि उजाड अछि।29तब आई सहरक' राजाके सांझ धरि गाछपर टांग देलनि। सूर्य डुबि गेलाक' बाद यहोशू आदेश देलथिन जे ओसब ओकर लाशके गाछ परस' उतारिक' सहरक प्रवेशद्वारपर फेक दिअ आ लाशक' उपर पत्थलक' ढेर लगा देलक जे आइधरि छिते अछि।30यहोशू यहोवा इजराएली सबहक परमेश्वरक' लेल एबाल पहाड पर एकटा वेदी बनएलनि। 31यहोवाक' सेवक मूसा इजराएली सबहक सन्तानसबके देने आज्ञा अनुसार, आ मूसाक' व्यवस्थाके' पोथीमे लिखल अनुसार “बिना काटल पत्थलक' अर्थात् लोहाके' औजार नहि छुएने पत्थलक' वेदी बनएलक।” ओहिपर ओसब यहोवाक' लेल होमबलि चढ़एलक आ मेलबलि सेहो चढ़एलक।32ओत' यहोशू इजराएली सबहक सामनेमे मूसाक व्यवस्थाके' नकल पत्थलपर लिखलनि। 33सारा इजराएल, आ ओकरासबहक धर्मगुरुसब, आ अधिकारी, आ ओकर न्यायकर्तासब यहोवाक' करारक' सन्दूक बोकिक' ल' जाएबला लेवी पुजारी सबहक' सामने दुनू कात ठाढ़ छल — विदेशी आ मूल निवासी ओहिमेस' आधा गिरिज्जीम पहाड़के सामने आ आधा एबाल पहाड़के सामने छल। जेना यहोवाक सेवक मूसा पहिने आज्ञा देने रहि ओहिना इजराएल लोकसबके आशीर्वाद देथिन।34तेकरबाद, ओ व्यवस्थाके' सबटा वचन, आशीर्वाद आ सराप पढ़लनि जेना व्यवस्थाके पोथीमे लिखल छल।35मूसाद्वारा देल गेल एक-एक आज्ञासब यहोशू इजराएली सबहक' सामने पढ़लनि, जाहिमे महिलासब, बच्चाबुच्ची सब आ परदेशीसब सेहो सहभागी छल।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67