Joshua7

1मुदा इजराएलीक' सन्तानसब नाश करएलेल अलग कएल गेल चिज वस्तुमे विश्वासघात कएलक। यहूदा कुलक आकान, जे जेरह कुलक' जब्दीके' पोता आ कर्मीक' बेटा छल, ओ नाश करएलेल अलग कएने चिज वस्तुमेस' किछु ल' लेलक, जाहिस' यहोवाक' क्रोध इजराएली सबहक सन्तानसब पर भड़कि गेल।2यहोशू बेतेलके पुर्व दिस रहल बेतावेन के लगक आई शहरमे यरीहोस' आदमीसबके पठाओलनि। ओ ओकारा सबस' कहलनि, “जा' क' ओत' के भेद लिअ।” ओ आदमीसब जा' क' आई सहरक' भेद लेलक।3ओसब यहोशू लगमे घुरि आबिक' कहलनि, “ओत' सब आदमीके जाएक' जरुरी नहि अछि। आई शहरपर चढाइ कर' लेल दू आ तीन हजार आदमी बहुत अछि। सब आदमीके ओत' जएबाक लेल कष्ट नहि दिऔ, किएक त' ओसब संख्यामे बहुत कम अछि।”4तएं करीब तीन हजार आदमीसब आई शहरपर चढाइ कर' लेल गेल, मुदा आई सहरक' आदमीसबके' सामने नहि टिक' सकल आ ओत' स' भाग पड़ाएल।5आई सहरक' आदमीसब मिलिक' करीब छत्तीस आदमीसबके मारि देलक। ओसब सहरक' मुख्य द्वार स' ल' क' शेबारिम धरि एकरासबके खिहारि खिहारि मारलक। जाहिस' आदमीसबके हृदय डरस' पानि जकां पिघलि गेल।6तब यहोशू अपन कपड़ा फाड़ि लेलनि आ ओ इजराएलक' धर्मगुरु सहित यहोवाक सन्दूक आगु मुहंक' बल जमीनपर सांझ धरि पड़ल रहल। ओसब अपन माथ गर्दास' तर कएने छल।7तब यहोशू कहलनि, “हे यहोवा प्रभु, अहाँ एहि आदमीसबके यरदन नदीपार क' क' हमरासबहक एमोरीसबके हाथमे द' क' हमरासबहक नाश करए लेल किएक अनलहुं? हमसब यरदन नदीक' ओहि कात रह' मे सन्तुष्ट रहितौहुं!8हे प्रभु, जं इजराएलीसब अपन शत्रुसबहक समक्ष पिठ फेड़ लेने अछि त' आब हम की कहू?9किएक त' कनानीसब आ ओहि देशके' देशबासी सब ई बात सुनि हमरासबके घर लेत आ हमरासबहक नाम पृथ्वीस' मिटा देत। तखन अहाँ अपन महान नामक' लेल अहाँ की करबनि?”10तब यहोवा यहोशूस' कहलथिन, “उठू! अहाँ किएक मुंहके बल जमीनपर पड़ल छी?11इजराएलीसब पाप कएने अछि, आ हमर करारक' आज्ञा जे हम देने रहि सेहो उल्लंघन कएने अछि, आ विनाशक' लेल अलग कएल गेल चिज वस्तुमेस' सेहो लेने अछि। ओसब चोरी कएने अछि, आ धोखा द' क' ओसब अपन समानक बीच ओकारा रखने अछि।12तएं इजराएलक सन्तानसब अपन शत्रुसबहक सामना कर' लेल असमर्थ अछि। स्वयंके सरापित कएने कारण शत्रुसबके सामने पिठ देखबैत अछि। आब हम अहाँसब नाश क' लेल अलग कएल माल सब जा' धरि नाश नहि करब ता' धरि हम अहाँसबहक' संग नहि रहब।13उठू! आदमीसबके शुद्ध करु आ ओकरासबके काल्हिके लेल ‘अपनाके शुद्ध होबएलेल कहिऔ, किएक त' इजराएलक' यहोवा परमेश्वर कहैत छथि, “हे इजराएल, अहाँसबहक बीच विनाशक' लेल अलग कएल गेल माल अछि। जा' धरि अहाँसबहक बीचमेस' विनाशक' लेल अलग कएल गेल माल नहि हटाएब ता' धरि अहाँसब अपन शत्रुसबहक समक्ष ठाढ़ नहि भ' सकैत छी।”14काल्हि भोरमे अहाँसब अपन अपन कुल अनुसार प्रस्तुत करब। यहोवा जाहि कुलके पकड़त से कुल कुल अनुसार लग आबए पडत। जाहि कुलके यहोवा पकड़त तेकरा परिवार अनुसार यहोवाक' नजदिक आबए पडत आ जाहि परिवारके चुनत ओहि परिवारके एक-एकटा आदमीके यहोवाक' नजदिक आबए पडत।15आ जे आदमीके साथमे विनाशक लेल अलग कएल गेल माल सब मिलत ओकरासब मालसमान सहित आगिमे जराएल जाएत, किएक त' ओ यहोवाक' करारक' उल्लंघन कएने अछि आ इजराएलमे अपमानजनक काज कएने अछि।’”16तब, यहोशू दोसर दिन भोरे उठिक' इजराएलीसबके कुल कुल अनुसार समीप अनलनि आ यहूदाक' कुल पकड़ा गेल।17तब यहोशू यहूदाक' कुलके आदमीसबके लगमे अनलनि आ जेरह बासीसबके कुल पकड़ा गेल। ओ जेराहीक' कुलके हरेक परिवारके लगमे अनलनि आ जब्दीके परिवार पकड़ा गेल।18तब ओ परिवारक' आदमीसबके लगमे अनलनि आ यहूदाक' वंशके' जेरहके पुत्र जब्दीके पुत्र कर्मीक पुत्र आकान पकड़ा गेल।19तब यहोशू आकानस' कहलनि, “हमर बेटा, आब इजराएली सबहक यहोवा परमेश्वरक महिमा करु आ हुनका आगु अपन गलती स्वीकार करु। आ कहू जे अहाँ की कएली। हमरास' नहि नुकाउ।”20आकान यहोशूके उत्तर देलनि, “सांचोमे हम इजराएलीसबके यहोवा परमेश्वरक' विरुद्ध पाप कएने छी। अछि हम ई पाप कएने छी।21जखन हम लूटके मालमे शिनारके एकटा सुन्दर पलीया, दू सय शेकेल चानी, एक पचास शेकेल वजन बाला सोनाके डण्डा देख हमरामे लालच आबि गेल आ हम ओसब ल' लेली। आब देखू! हमर तम्बूक' बीचोबीच जमीनमे गाडल अछि आ सबस' नीचा चानी अछि।” 22तब यहोशू दूतसबके पठौलनि आ ओसब तम्बू दिस दौडल आ देखलक जे ओ तम्बूमे नुकाक' रखने छल आ सबस' नीचा चानी छल।23ओसब तम्बूमे नुकाक' राखल समानसब ल' क' यहोशू लगमे अनलकनि आ इजराएलीसबके आगु लाबिक' यहोवाके आगु उझैलि देलक।24तब यहोशू सारा इजराएली सहित जेरहवंशी आकानके चानी, सोनाके' डण्डा, सुन्दर पलीया आ ओकर बेटा-बेटी, बैल, गदहा, भेंड़के हेंड़, ओकर तम्बू आ ओकरासंगे रहल सब चिजबिज सहित आकोर उपत्यकामे ल' गेलनि।25यहोशू कहलनि, “अहाँ किएक हमरासब उपर बिपत्ति अनलिऐ? ई अहाँपर यहोवाक' बिपत्ति आएत।” आ इजराएलीसब ओकारा पत्थल उठा' क' मारलक। ओसब ओकारा पत्थलस' मारलाक बाद आगिमे जरा देलकनि26ओसब ओकारा उपर पत्थलक' ढेर लगा देलनि जे आइके दिन धरि छिते छै। तब जा' क' यहोवाक' क्रोध शान्त भेल। एहिस' ओहि जगहके आइके दिन धरि आकोरके उपत्यका कहल जाएत अछि। 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67