Joshua6
1इजराएली सबहक' कारण यरीहो कसिक' बंद भ' गेल छल। केओ बाहर भीतर नहि क' सकैत छल।2यहोवा यहोशूस' कहलथिन, “देखू, हम यरीहोके ओकर राजा आ वीर योद्धा सबहक' सहित अहाँक' हाथमे द' देने छी।3अहाँसबहक' सब योद्धासब सहर घेरिक' चारुकात घुमि लिअ। छह दिन धरि अहाँसब एहने करब।4सात पुजारी सन्दूकक' आगु-आगु सात भेंड़के' सिंहक सातटा' तुरही ल' क' चलए। सातम दिनमे अहाँसब सात बेर सहरके चारुकात घुमब आ पुजारीसब तुरही बजाओत।5जखन ओसब भेंड़के' सींगके तुरही बहुत देर धरि बजाओत, जखन अहाँसब तुरहीक' आवाज सुनिते अहाँ सबकेओ जोरस' हल्ला कर लागब आ सहरक देवाल जरिस' खसि पड़त। हरेक आदमी सोझे अपन आगु बढ़ैत चलब।”6तएं नूनक' पुत्र यहोशू पुजारी सबहक बजाक' कहलनि, “करारक' सन्दूक उठाउ, आ सातटा पुजारी यहोवाक' सन्दूकक' आगु भेंड़के' सींगके सात तुरही ल' क' चलू।”7तब ओ आदमीसबस' कहलनि, “आगु जा' क' सहरक चारुकात घुमिके आउ, आ हथियारस' लैश आदमीसब यहोवाक सन्दूकक' आगु-आगु चलत।”8यहोशूके कहल अनुसार आदमीसब, सातटा पुजारीसब भेंड़के सींगके सातटा तुरही ल' क' यहोवाक' आगु चलैत तुरही बजौलनि आ यहोवाक' करारक' सन्दूक ओकारा सबहक पाछु-पाछु चलल।9हथियारस' लैश आदमीसब पुजारी सबहक आगु चलैत छल, आ ओसब अपन अपन तुरही बजबैत छल, आ पाछूक' आदमीसब सन्दूकक' पाछु तुरही बजबैत चलैत छल।10मुदा यहोशू आदमीसबके आदेश देलनि, “हम अहाँसबके जाहि दिन धरि जोरस' बाजए लेल नहि कहब ता' धरि अहाँसब नहि बाजब आ नहि अहाँसबहक कोनो शब्द सुनाइ पडए। हम कहब तखन अहाँसब जोरस' बाजब।”11तएं ओ यहोवाक' सन्दूकक' ल' क' एक बेर सहरक परिक्रमा कएलक। ओहिके' बाद ओसब अपन अपन पालमे आबि राति भरि ओतहि बास कएलक।12यहोशू भिनसरे उठलनि आ पुजारीसब यहोवाक' सन्दूक उठा लेलनि।13सात पुजारीसब भेंड़के सींगके सात तुरही ल' क' यहोवाक सन्दूकक' आगु-आगु बजबैत चलैत छल। ओकारा सबहक आगु हथियारस' लैश आदमीसब चलैत छल, मुदा पाछूके सुरक्षाकर्मी सब यहोवाक' सन्दूकक' पाछु चलैत छल आ पुजारीसब तुरही बजबैत चलि रहल छल।14दोसर दिन सेहो एक बेर सहरक' परिक्रमा क' क' शिविरमे घुरि आएल। ओसब छ दिन धरि एहने कएलक।15सातम दिन भिनसरे ओसब उठिक' आओर दिन जकां सहरक' परिक्रमा कएलक। मुदा सातम दिन ओसब सात बेर परिक्रमा कएलक।16आब जं' सातम बेर पुजारीसब तुरही बजौलनि तब यहोशू आदमीसबके कहलनि, “जोरस' चिचियाउ! किएकत' यहोवा अहाँसबके आई सहर द' देने छथि।17आई सहर आ एहिमेके सब किछु विनाशक' लेल यहोवामे अर्पण कएल गेल अछि। मात्रे राहाब वेश्या आ ओकर घरमे ओकर संग रहल आदमीसब जीवित रहत, कारण जे ओ हमरासबहक दूतसबके नुकएने छली।18मुदा अहाँसब विनाशक' लेल अलग कएल गेल चिजबिज सबस' दूर रहब, नहि त' ओहि विनाशक' लेल अलग कएल गेल चिजबिज सबमेस' ल' क' अपना उपर विपत्ति लाएब आ इजराएली सबहक शिविरके भ्रष्ट क' क' ओहिपर विपत्ति आनब। 19चानी, सोना, कांस्य आ लोहाके' चिजबिज सब यहोवाक' लेल पवित्र अछि। ईसब निश्चितरुपस' यहोवाक' भण्डारमे राखब।”20तएं आदमीसब जोरस' चिचिआएल, आ पुजारीसब तुरही बजौलक। तुरहीक' आवाज सुनिते ओसब जोर-जोरस' चिचिआए लागल, तखने देवाल जरि समेत खसि पड़ल। ओसब सिधा आगु शहरमे बढ़ि गेल आओर शहरपर अधिकारक' लेलक। 21ओसब अपन तरुवारिक' धारि स' शहरमे रहल सब वस्तुके पूरा तरहे नाश क' देलक पुरुषस' ल' क' स्त्री धरि, जवान स' बूढ़धरि, बैल, भेंड़ आ गदहा।22तब यहोशू ओहि देशके भेंड़ लेब बला दुनू आदमीके कहलनि, “अहाँसब अपन प्रतिज्ञाक' अनुसार ओहि स्त्री – वेश्याक' घरमे जा' क' ओत' स' ओ स्त्री आ ओकर सबटाके बाहर निकालि लाउ”।23तएं भेदिया युवकसब भीतर जा' क' राहाबके बाहर निकालि देलक। ओकर माता-पिता, भाइ आ ओकरा सबकिछु, ओकर सबटा नातागोता सबके बाहर निकालिक' इजराएली सबहक' शिविरस' बाहर राखि देलक।24ओसब सहर आ ओहिमे रहल सब किछु आगिमे जरा देलक। खाली चानी, सोना आ कांस आ लोहाके बर्तनसब यहोवाक भवनके' भण्डारमे राखि देलनि।25मुदा यहोशू राहाब वेश्या आ ओकर पिताक घरक' आदमीसबके' जीवित छोड़ि देलनि। ओ आइयो इजराएली सबहक बीचमे रहैत अछि, किएकत' यहोशू द्वारा यरीहोक' भेद लेब' लेल पठाओल गेल दूत सबहक नुकएने छल।26तखन यहोशू ओकरासबके शपथ खियाक' कहलनि, “जे आदमी एहि यरीहो सहरक' फेरुस' बनाएत ओ यहोवाक' आगु सरापल होएब। ओकर नओके' किमत ओकर जेठ बेटा होएत आ ओकर दरबाजा ठाढ़ करएके किमत छोटका बेटास' हाथ धोएत।”27यहोवा यहोशूके संग छलथि आ ओकर प्रसिद्धि देशभरिमे पसरि गेल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.