Joshua24

1तएं यहोशू शेकेममे इजराएलके सब कुलके, सबटा मुखियासबके, आ सबटा अगुवासबके, आ सबटा न्यायकर्तासबके, आ सबटा मुख्यालयसबस' लोकसबके बजौलनि, ओसब परमेश्वरके सामने उपस्थित भेलनि।2यहोशू ओहि सबटा लोकसबके कहलखिन, “यहोवा इजराएलके परमेश्वर अहाँके कहैत छथि, ‘प्राचीन समयमे अहाँके पूर्वजसब अब्राहम आ नाहोरके पिता तेरह — ओहि महानदीके पार ओसब दोसर देवतासबके सेवा कएलखिन। 3मुदा हम अहाँके पिता अब्राहमके ओहि महानदी स' उठाक' कनानके देशमे लएलीह, आ हुनकर वंशके बढ़ौलनि, आ इसहाकके देलनि।4तब हम इसहाकके याकूब आ एसाब देली। हम एसावके पहाड़के देश सेईर अधिकार करबाक लेल देलनि, मुदा याकूब आ ओकर बेटा-पोतासब मिस्र देशमे चलि गेलथिन।5तखन हम मूसा आ हारूनके पठौली आ हम मिस्रीसबके ओहि कामके अनुसार मारली जे हम ओकर बीच कएने रहि, आ ओहिके बाद अहाँसबके निकलि लओलनि।6हम अहाँके पूर्वजके मिस्रस' निकलिक' लओलनि आ ओसब समुद्र ल क आएल। मिस्रीसब रथ आ घोड़सबार ल क अहाँके पूर्वजके लाल समुद्र धरि पाछु कएलक।7तएं ओसब यहोवाके पुकारलक, आ ओ अहाँसबके आ मिस्रीसबके बीच अन्हार राखि देलक। ओ ओकरासबके उपर समुद्रस' बहाक' ओकरासबके डूबा देलक। जे बात हम मिस्रीसबके कएने रही ओ सबटा बात अहाँके आंखि ई देखने छल। तब अहाँसब बहुत दिन धरि ओहि मरुभूमिमे रहलहुं।8हम अहाँसबके एमोरीके देशमे ल क आएल जे यरदनके दोसर दिस छल। ओसब अहाँसबके संगे युद्ध कएलक आ हम ओकरासबके अहाँसबके हाथमे द' देलौ, अहाँसब ओकरा अधीन कएलहुं, आ हम ओकरासबके अहाँके सामनेमे नाश कएलहुं।9तखन मोआबके राजा सिप्पोरके पुत्र बालाक विरुद्ध खड़ा भेल आ इजराएलीके संगे युद्ध कएलक। ओ बोरके पुत्र बिलामके बजएलक अहाँसबके सराप देबएलेल। 10मुदा हम बिलामके नहि सुनली, तएं ओ अहाँसबके आशीर्वाद देलक, आ हम ओकरा हाथस' अहाँसबके छोड़एली।11ओहिके बाद अहाँसब यरदनके पार भ' क' यरीहो ल क आएल, आ यरीहो, एमोरी, परिज्जी, कनानी, हित्ती, गिर्गाशी, हिब्बी, आ यबूसी नगरके नगरवासीसब अहाँके विरुद्ध युद्ध कएलक, मुदा हम ओकरासबके अहाँके हाथमे द' देली।12हम अहाँसबके आगु पचोहियाके पठौली आ ओ एमोरीके दुनू राजाके भगा देलक मुदा अहाँके तरुआरि आ धनुष नहि भेल। 13हम अहाँसबके एहन देश देलनि जाहिमे अहाँ मेहनति नहि कएने रहि, आ एहन सहर जिनका अहाँ बनौने नहि रहि तथापि मुदा अहाँ ओहिमे रहल। अहाँसब दाख आ जैतूनके गाछस' फल खएलनि जाहिके अहाँ रोपने नहि रहि।’14तएं यहोवाके भय मानू आ हुनकर सेवा सत्यता आ विश्वासयोग्य करु; अहाँके पूर्वज जे महानदीके ओहिपार आ मिस्रमे जे देवतासबके सेवा कएने रहए ओकरासबस' दूर रहू, आ यहोवाके सेवा करु।15मुदा जं अहाँसबके यहोवाके सेवा करएमे खराबी लागए त' आइ चुनि लिअ की अहाँसब किनका सेवा करब, ओहि देवतासबके जिनका अहाँके पूर्वज ओहि महानदिके पार सेवा करैत छल, आ एमोरीसबके देवता जाहि देशमे अहाँ रहि रहल छी। मुदा हम आ हमरा घराना यहोवाके सेवा करबनि।”16तखन लोकसब उत्तर द' क' कहलक, “यहोवाके छोड़ि दोसर देवताके सेवा कर नहि दूर हमरासबस' दूर रहए,17किएक यहोवा अपनासबके परमेश्वर अछि जे हमरासबके पूर्वजके मिस्रदेशके दासस' आ मिस्र देशस' निकलि लएने रहए, आ हमरासबके आंखिके सामने बड़बड़ आश्चर्यकाम कएलखिन, आ सबटा बाटस' जाए पर' चलि आ जातिसबस' जिनका बीचमेस' चलि आबि त' रही ओ हमरासबके बचौलखिन।18तखन यहोवा हमरासबके सामनेस' रहबला सबटा जातिसबके, एमोरीसबके सेहो भगा देलथिन। तएं हमसब यहोवाके सेवा करबनि किएक त' ओ अपनासबके परमेश्वर अछि।” 19मुदा यहोशू लोकसबके कहलक, “अहाँसब यहोवा परमेश्वरके सेवा नहि कर सकब किएक ओ पवित्र आ डाही परमेश्वर अछि, ओ अहाँसबके अपराध आ पाप नहि क्षमा करथिन।20यदि अहाँसब यहोवाके छोड़ि आन किनको देवताके सेवा करब, तखन परमेश्वर जे अहाँके भलाइ कएने छल ओ अहाँके हानि आ भस्म करबाक लेल अहाँ दिस घुमि देथिन।”21मुदा ओ लोकसब यहोशूके कहलक, “नहि, हमसब यहोवाके सेवा करबनि।”22तखन यहोशू लोकसबके कहलक, “अहाँसब अपने अहीं बातके गवाही छी की अहाँसब यहोवाके सेवा करबाक लेल अपने-आपके चुनने छी।” ओसब कहलक, “हमसब गवाही छी।23तएं तब अहाँसब अहाँसबके बीचमे रहल विदेशी देवतास' दूर भ' जाउ, अहाँसब अपन मन इजराएलके परमेश्वर यहोवा पर' लगाउ।” 24तएं लोकसब यहोशूके कहलक, “हमसब यहोवा हमर परमेश्वरके सेवा करब आ हुनकर बातके सुनब।”25तखन ओहि दिन यहोशू लोकसबके संगे करार बानहलक, आ शेकेममे हुनकासबके लेल विधि आ विधान बनौलक।26यहोशू ई सबटा बात यहोवाके व्यवस्थाके पुस्तकमे लिखलक। तखन ओ एकटा बड़का पत्थल लेलक आ परमेश्वरके पवित्र स्थान बांजके गाछके नीचा खड़ा कएलक।27यहोशू सबटा लोकसबके कहलक, “देखू, ई पत्थल अहाँ हमरा बीचमे एकटा गवाहीके होएत, ई हम अहाँ यहोवाके लेल जते बात कएने छी से ओ सुनि अछि, तएं अहाँसबके परमेश्वर विरुद्ध भ' जाएब त' ओहिके ई गवाही रहत।”28तएं यहोशू लोकसबके अपन अपन अधिकारके भूमिपर' पठा देलक।29आब ई भेल की सबटा बात भ' गेलाके बाद नूनके पुत्र, यहोवाके दास यहोशूके एक सय दस वर्षमे मरि गेलथिन।30ओसब हुनका तिम्नत्सेरह मे, जे इफ्राइमके पहाड़के देश गाशके उत्तर दिस अपने हिस्साके सीमामे गाड़ि देलक।31तब यहोशूके जीवन धरि, आ यहोशूके मरलाके बाद बूढ़ लोकसब रहए इजराएलीसब यहोवा कएने कामसब जनैत छल, ओसब अपन जीवन धरि यहोवाके सेवा कएलक। 32तखन यूसुफके हड्डी जे इजराएलीसब मिस्र देश लएने रहए — ओसब ओकरा शेकेममे गाड़ि देलक, याकूब शेकेमके पिता हमोरके बेटास' एक सय चानीके रुपैयामे किनने रहए, तएं ई भूमि युसुफके सन्तानके अंश भ' गेल। 33तखन हारूनके पुत्र एलीआजरके सेहो मरि गेल। हुनका बेटा पीनहासके देने भूमि इफ्राइमके पहाड़के देश गिबामे ओसब हुनका गाड़ि देलथिन।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67