Joshua23
1ई भेल जे बहुत दिनके बाद, जखन यहोवा इजराएलीसबके चारुदिसस' शत्रुस' विश्राम देलथिन, आ यहोशू बहुत बूढ़ आ हुनकर उमेर सेहो बहुत भ' गेल छल।2तएं यहोशू इजराएलके — सबटा मुखियासबके, आ सबटा अगुवासबके, आ सबटा न्यायकर्तासबके, आ सबटा मुख्यालयसबस' लोकसबके बजौलखिन — आ ओ हुनकासबके कहलखिन, “देखू हम बूढ़ भ' गेल छी आ हमर उमेर सेहो ढ़एलि।3अहाँ सबकेओ देखने छी की अहाँसबके परमेश्वर यहोवा अहाँके जातिके लेल की कएने अछि, ई यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके लेल युद्ध कएने अछि।4देखू! हम अहाँ सबकेओके चिट्ठा लगाक अहाँसबके अंश द' कुलके अनुसार द' देलनि, आ यरदनस' ल क सूर्यास्तके महासमुद्र धरि जतेक जातिसबके हम जितने रही ओकरासबके हम अहाँसबके अधिकारके लेल द' देने छी।5यहोवा अहाँसबके परमेश्वर, परमेश्वर ओकरासबके अहाँसबके सामनेस' निकालि देथिन, आ अहाँसबके नजरि ओकरासबके भगा देथिन, तब अहाँसब ओहि देशमे अधिकार करब, जेना अहाँसबके परमेश्वर यहोवा कहने रहथिन।6तएं खूब बलवान बनू, मूसाके व्यवस्थाके पुस्तकमे लिखल सबटा बातके पालन करु आ ओकरापर' मन लगाउ, अहाँसब ओहिस' नहि त' दहिना नहि बामा जाउ।7अहाँसबके बीचमे रहि गेल जातिमे नहि मिलू। आ ओकरा देवतासबके नाम नहि लेब, ओकरासबके देवताके नामपर' शपथ नहि खाएब, ओकर सेवा नहि करब आ नहि दण्डवत करब।8मुदा अहाँसब अपन परमेश्वर यहोवाके भक्तिमे लागल रहब जेना आइके दिन धरि अहाँसब कएने छी।9यहोवा अहाँके सामनेस' बहुत बड़का आ बलवान जातिसबके हट्टा देने छी, अहाँके विरुद्ध आइके दिन धरि केओ नहि खड़ा भ' सकेत अछि। 10एकटा मनुष्य हजार लोकसबके भगा देतनि किएक त' यहोवा अहाँके परमेश्वर अहाँके लेल युद्ध करथिन, जेना ओ कहने रहथिन।11तएं अहाँ अपना परमेश्वर यहोवाके प्रेम करबाक लेल पूरा ध्यान लगाएब।12मुदा अहाँ कोनो रीतिस' यहोवास' भूमिक' ओहि बांकि रहल जातिसबके दिस आ अहाँसबके बीचमे रहल बांकि लोकसबके संगे रह लागब, आ अहाँसब ओकरासंगे आ ओसब अहाँके संगे विवाह कर लागत,13तखन यहोवा अहाँके परमेश्वर निश्चय ओहि जातिसबके अहाँके बीचमेस' नहि भगाओत, मुदा जाधरि अहाँसब आइ नीक देशस' शुद्ध क' नाश नहि भ' जाएब ताधरि ओसब अहाँसबके लेल जाल आ फंन्ना, पिट्टीमे लगाबएबला कोरा, आ आंखिके काड़ जेना भ' जाएत। 14आब देखू, हम ओहि ठाम जाइतछी जाहि संसारसबके लोकसब जाएत अछि, मुदा अहाँसब अपन हृदय आ प्राणस' जानि ली की जाति बात अहाँसबके परमेश्वर यहोवा अहाँके बारे बतौने अछि ओसब पूरा होएत, ओहिमे कोनो बात पूरा नहि भेल नहि रहत।15तएं जेना यहोवा अहाँके परमेश्वर अहाँके लेल जाति नीक बात कहने रहथिन ओसब पूरा भेल, ओहिना यहोवा अहाँके परमेश्वर अहाँपर' खराबी लाएब क' आइ असल भूमिपर' शुद्ध क' नाश नहि क' देत जे अहाँके देने अछि।16जखन अहाँसब यहोवाके कएने आज्ञा करारके छोड़िक' दोसर देवताके सेवा करब, आ दण्डवत करब त' यहोवाके क्रोध अहाँसबके विरुद्धमे दनकए लागत, आ अहाँसबके देने ई असल भूमि स' तुरुने नाश भ' जाएब।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.