Judges1

1आब एना भेल जे यहोशूके मरलाके बाद, इजराएली सबहक' सन्तानसब यहोवास' ई कहिक' पुछलक, “कनानीसबके विरुद्ध हमरासबमेस' पहिने युद्ध करबाक लेल के जाएत?”2यहोवा उत्तर देलथिन, “यहूदा जाएत। देखू, हम एहि देश ओकर हाथमे द' देने छी।”3तब यहूदा ओकर भाय शिमोनके ई कहलक, “हमरालेल देल गेल हमर हिस्साके भूमिपर संगे चलू, आ आउ कनानीसबके विरुद्ध मिलक' युद्ध करी। हमहूं अहाँके लेल देल गेल हिस्साके भूमिपर हम अही जकां ओकरासबस' युद्ध कर जाएब।” तखन शमौन ओकरासंगे चलि गेलनि।4तखन यहूदा युद्ध करबाक लेल चलि गेलनि आ यहोवा कनानी आ परिज्जीसबके ओकारा सबहक' हाथमे द' देलनि, आ बेजेकमे ओसब दस हजार लोकसबके मारि देलक।5ओसब अदोनी-बेजेकके बेजेकमे पकड़ि लेलक, आ ओसब ओकरासंगे युद्ध कएलक। ओसब कनानी आ परिज्जीसबके मारि देलक।6तखन अदोनी-बेजेक ओहि ठामस' भागि गेल, मुदा ओसब ओकरा रेबारलक, आ ओकरा पकड़िक' दुनू हाथ आ दुनू पयरके औंठा काटि देलक।7अदोनी-बेजेक कहलक, “जे सत्तरि राजासब जेकर दुनू हाथ आ दुनू गोरके औंठा काटल गेल अछि ओसब हमर टेबुलके नीचा छिटाएल भोजनसब बिछैत छल। जेना हम कएने छी, परमेश्वर हमरो ओहने कएलनि।” तखन ओसब ओकरा यरूशलेम ल' क' आएल आ ओ ओहि ठाम मारि गेल।8यहूदाके सन्तानसब यरूशलेमके विरुद्ध युद्ध कएलक आ ओकरा अपनिया लेलक। ओसब सबके तलबारस' मारिक' शहरमे आगि लगा देलक।9ओहिके' बाद, यहूदाके सन्तानसब ओहि कनानीसबके विरुद्धमे युद्ध करबाक लेल नीचा आएल जे पहाड़के देश आ दक्षिणके मरुभूमि आ उत्तरके भूमिपर छल। 10तखन यहूदा हेब्रोनमे रहनिहार कनानी लग चलि गेल हेब्रोनके पहिन नाम किर्यतअर्बा छल, आ ओसब शेशै, अहीमन, आ तल्मैके मारलक।11ओसब ओहि दबीर दबीरके पहिने नाम किर्यत्सेपेर छल रहनिहार लोकसबलग चलि गेलनि।12तखन कालेब कहलनि, “जे केओ किर्यत्सेपेरके चढ़ाइ क' क कब्जा क' लेत त' हम अपन बेटी अकसाक' ओकर पत्नीके रुपमे द' देब।” 13ओत्नीएल, कनजीके बेटा, जे कालेबस' छोट भाय रहए, हुनका कब्जा क लेलक, ओहिके बाद कालेब अपन बेटी अकसाक हुनका पत्नीकेलेल द' देलनि।14आब एना भेल जखन उकसा आबि लागल त' ओ हुनका अपन पितास' बिदाइमे किछु खेत मंगबाक लेल उकसा देलनि। ओ गदहापर' स' उतरए गेल, आ कालेब ओकरा कहलक, “हम अहाँके लेल की क' सकी छी?” 15तखन ओ हुनका कहलक, “अहाँ हमरा नेगेवके खेत द' देने छी तइओ हमरा आशीष क' दिए आ अहाँ हमरा पानिके स्रोत सेहो द' दिए।” तएं कालेब ओकरा उपरीके आ निचके पानिके स्रोत द' देलक।16मूसाके ससुरके वंशज केनीसब छल, ओ यहूदा संगे ताडके गाछीके सहर, यहूदाके मरुभूमिमे चलि गेलनि, जे अरादके दक्षिणके देशमे रहए। तएं ओ लोकसबके संगे रहए लागल। 17तखन यहूदा अपन भाय शिमोन संगे जाएक' सपतमे रहनिहार कनानीसबके मारि देलक। ओसब ओहि शहरके विनाशक' देलक देलनि आ ओसब ओहि शहरके होर्मा सहर कहिकक' नाम देलनि। 18यहूदा गाजाके आ ओहिके चारुदिस सेहो कब्जा कएलक, अश्कलोन आ ओहिके चारुदिस, एक्रोन आ ओहिके चारु दिसके भूमिसब सेहो कब्जा कएलक।19आब एना भेल जे यहोवा यहूदाके संग रहथि तएं ओ ओहि पहाड़के देश कब्जा क' लेलनि, मुदा ओसब तराईमे रहनिहार लोकसबल' लोहाके रथसब रहलाके कारणे नहि निकालि सकल।20ओसब हेब्रोन कालेबके ओहिना द' देलक जेना मूसा निर्देशन देने रहथि, आ ओसब ओतएस' अनाकके तीनू सन्तानसबके भगा देलक।21मुदा यरूशलेममे रहनिहार यबूसी, बिन्यामीन सन्तानके नहि भागल। तएं यबूसीसब बिन्यामीनके सन्तानसबके संगे यरूशलेममे आइधरि रहि रहल अछि।22तहिना यूसुफके घरके लोकसब बेतेलके विरुद्ध युद्ध कएलक त' यहोवा सेहो हुनकासबके संगे रहए।23यूसुफके बेतेलके घरनाके अनुमान करबाक लेल भेदियासब पठौलक; पहिने एहि शहरके नाम लूज छल।24भेदियासब एकटा मनुष्यके शहरस' बाहर जाएत देखलनि, आ ओसब हुनका कहलनि, “विनती करैत छी, की शहरके प्रवेशद्वार हमरा देखादिए, आ हमसब सेहो अहाँके उपर दया देखा देबिन।”25तएं ओ हुनकासबके शहरके प्रवेशद्वार देखा देलनि, आ तखन ओसब शहरके लोकसबके तलबारस' मारि आएल त' ओसब ओहि मनुष्य आ ओकर सबटा परिवारके छोड़ि देलनि।26तखन ओ मनुष्य हित्तीसबके संगे ओहि देशमे चलि गेलनि आ ओत एकटा सहर बनौलक। ओ ओकर नाम लूज रखलनि, जे आइधरि ई नाम अछि।27मुदा मनश्शे बेतशान आ ओकर बेटीसब, तानाक आ ओकर बेटीसब, दोर आ ओकर बेटीसब, यिबलाम आ ओकर बेटीसब, मगिद्दो आ ओकर बेटीसबके लोकसबपर कब्जा नहि कएलनि, किएक त' कनानी लोकसब ओहि देशमे रहबाक लेल प्रण कएने छल।28आब एना भेल जे जखन इजराएली बलवान भ' गेल तखन ओसब कनानीसबस' कर लेलक मुदा ओकरासबके पूर्णरुपस' कब्जा नहि कएलक।29इफ्राइम गेजरमे रहनिहार कनानी लोकसबके नहि भगएलक, तएं कनानी लोकसबके बीचमे गेजेरके लोकसब रहित छल।30जबूलून कित्रोनमे रहनिहार लोकसबके नहि भगएलक, आ नहलोलमे रहनिहार लोकसबके सेहो नहि भगएलक, तएं कनानी लोकसब हुनका बीचमे रहि रहल छल। मुदा ओकरासबके कर जरुर दैत छल।31आशेर अक्को, सीदोन, अहलाब, अकजीब, हेलबा, अपीक, आ रहोबमे रहनिहारसबके नहि भगएलक।32तएं आशेर लोकसब एहि भूमिमे रहनिहार कनानी लोकसबके बीच रहि रहल छल, किएक ओ हुनकासबके नहि भगएलक।33नप्ताली बेतशेमेशमे आ बेतनातमे रहनिहार लोकसबके नहि भगएलक। तएं ओ ओहि कनानी लोकसबके बीचमे रहि रहल छल जे ओहि देशमे छल। मुदा, बेतशेमेश आ बेतनातमे रहनिहार लोकसबके अधीन क' लेलक।34एमोरीसब दानके सन्तानके पहाड़के देशमेस' भगा देलक, किएक ओसब ओकरासबके तराइस' नीचा उतरके अनुमति नहि देलक।35एमोरीसब हेरेस पहाड़पर, अय्यालोन आ शाल्बीममे रहबाक संकल्प कएलनि। मुदा यूसुफके घरके लोकसब बहुत बलवान भेलाक कारणे ओसब ओकरा अधीन भ' गेल।36एमोरी देशके सीमा अक्रब्बीम पहाड़के निचास' ल' क' पहाड़के उपर सेला धरि छल।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67