Joshua22
1ओहि समय यहोशू रूबेनक' कुल, गादक' कुल, आ मनश्शेक' आधा कुलके बजौलनि,2आ हुनकासबके कहलक, “अहाँसब यहोवाके दास मूसाके सबटा बात पालन कएने छी, आ अहाँसब हमर बात सेहो मानने छी जे हम अहाँसबके आज्ञा देने रहि। 3अहाँसब अपना भायके एखनधरि धरि नहि छोड़लि, मुदा तथापि अहाँसब यहोवाके देने सबटा काम अहाँसब पूरा कएने छी।4आब यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके भायस' विश्राम देने अछि, जेना ओ हुनकासब कहने रहथिन। तएं अहाँसब यहोवाके दास मूसा अहाँसबके यरदनके पार देल गेल अधिकार भूमिपर' अपन अपन डेरामे चलि जाउ। 5यहोवाके दास मूसा जे-जे आज्ञा आ व्यवस्था देने अछि हुनका अहाँसब सावधानीपूर्वक पालन करु की अहाँसब अपना परमेश्वर यहोवाके प्रेम करी, हुनका बाटपर' चलि, हुनकर सबटा आज्ञा मानि, हुनकर भक्तिमे लीन रहि, आ सम्पूर्ण मन आ प्राणस' हुनकर सेवा करी।” 6तखन यहोशू हुनकासबके आशीर्वाद द' क' विदा कएलक, आ ओसब अपना डेरासबमे गेलथिन।7आब मनश्शेके आधा वंशके मूसा बाशानमे अंश देलक, मुदा आधा वंशके यहोशू यरदनके पार पश्चिमस' देलक आ वास्तव, जखन यहोशु ओकरासबके पठौलक त' आशीर्वाद द' क' पठौलक।8ओकरासबके कहलक, “अहाँसब अपना डेरामे बहुत समाप्ति ल क, बहुत पशुसब, चानी, सोना, पीतरि, आ लोहा, आ नीक-नीक कपड़ासब अहाँसब अपना भाय संगे बड़ लेब जे लुटिक लएने रहि।” 9तएं रूबेनके, गादके, मनश्शेके आधा वंशके सन्तानसब इजराएलीके सन्तानसबस' कनानके देश शीलोमे स' निकलिक' यहोवाके आज्ञा अनुसार मूसाद्वारा अधिकारके लेल देल गेल गिलादके भूमिमे चलि गेल।10जखन ओसब यरदनके प्रान्त कनानके भूमि ल' आएल त' रूबेनके, गादके, मनश्शेके आधा वंशके सन्तानसब यरदन लग देखमे एकटा बड़का वेदी बनौलक।11जं इजराएलीके सन्तानसब ई सुनलक त' ओसब कहलक, “देखू रूबेनके, गादके, मनश्शेके आधा वंशके सन्तानसब कनान देशके सामने यरदनके लगमे जे इजराएलीके भाग दिस वेदी बनौलक से सुनली।”12जखन इजराएलीसब ई बात सुनलक, सभाके सबके ओ शीलोमे ओकरासबके विरुद्ध युद्ध करबाक लेल एकठाम जम्मा भेल।13तखन इजराएलीसब रूबेन, गाद, मनश्शेके आधा वंश ल' गिलाद देशमे एलीआजर पुजारीके पुत्र पीनहासके पठौलक,14आ हुनकासंगे इजराएलीके दसटा अगुवासब, सब वंशस' एक-एक लोकके पठौलक, इजराएलीके वंशसब स' एक-एक परिवारके मुखिया छल।15तएं ओसब रूबेन, गाद, मनश्शेके आधा वंश ल' गिलाद देशमे आएल, आ ओसब ओकरासब संगे बातक' क' कहलक,16“यहोवाके सभाके लोकसब ई कहि रहल अछि, ‘अहाँसब इजराएलीके परमेश्वरके विरुद्धमे विश्वासघात कएलनि, यहोवाके पाछु चलि नहि छोड़ि अहाँसब आइ वेदी बनाक यहोवाके विरुद्धमे वागी भ' गेलहुं।17की पोरके अधर्म हमरासबके लेल किछु कम छल, जाहिस' हमसब आइके दिन ओहि महामारीस' शुद्ध नहि भेल छी? ई यहोवाके सभापर महामारी ल क आएल। 18की अहाँसब आइ भेरुस' यहोवास' दूर भ' गेली, तखन काल्हि यहोवा इजराएलीके सम्पूर्ण सभास' घुस्सा भ' जाएत।19जखन अहाँके भूमि अशुद्ध भ' जाएत, तखन यहोवाके भूमिके पार आउ, जहिया यहोवाके तम्बू हमरासबके बीचमे अछि। तएं अहाँसब ई वेदी बनाक नहि त' यहोवाके विरुद्धमे वागी, आ नहि हमरासबके विरुद्धमे वागी होउ।20की जेरहके पुत्र आकान विनाशके लेल अर्पण कएल गेल वस्तुमे बहुत विश्वासघाती व्यवहार नहि कएलनि? तएं इजराएलके सबटा सभापर क्रोध आबि गेल, आ ओ अपन अधर्ममे कारणे एकटा व्यक्तिके रुपमे नाश नहि भेल।’” 21तखन रूबेन, गाद, मनश्शेके आधा वंशसब इजराएलीके मुख्य आगुवासबके कहलक:22“सर्वशक्तिमान परमेश्वर यहोवा! सर्वशक्तिमान परमेश्वर यहोवा! ओ जनैत अछि, आ इजराएलीसब सेहो जानि लिअ! यदि यहोवाके विरुद्ध वागी होएब आ हुनका विरुद्ध विश्वासघात होएब, ओ हमरासबके आइके दिन धरि सेहो नहि छोड़ि थिन!23यदि अहाँसब अपनेलेल ई वेदी बनाक यहोवाके पाछु स्त्री छोड़िक, यदि अहाँसब हुनका होमबलि, आ अन्नबलि, आ मेलबलि, चढ़बैत छी त' ओहिके हिसाब यहोवा अपने लेथिन।24मुदा एना नहि होए की भविष्य अहाँके सन्तानसब हमरा सन्तानसबके ई नहि कहि ‘इजराएलीके परमेश्वर यहोवाके हमरासबस' कोन मतलब अछि?25किएक त' रूबेन आ गादके सन्तानके बीच यहोवा अछि जे यरदनके सीमा राखि देलथिन। तएं अहाँके यहोवामे कोनो अंश नहि अछि।’ तएं अहाँके सन्तानसबके हमरा सन्तानसबके यहोवाके डर मानि छोड़ि देत।26तएं ओसब कहलक, ‘आउ अपनासब एकटा वेदी बनाबि, मुदा होमबलि, कोनो किसिमके बलि लेल नहि,27मुदा ओ अहाँ आ हमरा, आ हमरा वंश आ हमरा पाछु आबएबला वंशके बीचके गवाही होए, मुदा हमसब होमबलि, आ बलिदान, आ मेलबलि चढ़ाक' सेवा करब, तब अहाँके सन्तानसब आ हमर सन्तानसब भविष्यमे ई नहि कहए, “यहोवामे अहाँके कोनो अंश नहि अछि”’28तएं हमसब कहलीह, ‘यदि ओसब हमरासबके आ भविष्यमे आबएबला हमर सन्तानसबके कहिक' कहब, “देखू! यहोवाके वेदी जे हमरासबके पूर्वज बनौने रहथिन ओ होमबलि, आ कोनो किसिमके बलिदानक लेल नहि मुदा अहाँ हमरा बीचमे गवाहीके लेल।”29हमसब यहोवाके विरुद्ध वागी भ' क' हुनकर पवित्र तम्बूके सामने रहल यहोवा हमरा परमेश्वरके वेदी छोड़िक, होमबलि, अन्नबलि, आ बलिदान चढ़ाबके लेल दोसर वेदी बनाक परमेश्वरके पाछु जएनाइ छोड़के दिन कहियो नहि आबए।’”30जखन पीनहास पुजारी आ इजराएली सभाके अगुवासबके ई बात सुनि रूबेन, गाद, मनश्शेके आधा वंशसब खुशी भ' गेल।31तएं एलीआजर पुजारीके पुत्र पीनहास रूबेन, गाद, मनश्शेके आधा वंशसब स' कहलक, “आइ हमसब जनली की यहोवा हमरासबके बीचमे अछि किएक त' हमसब यहोवाके विरुद्ध वागी नहि भेल। तएं अहाँसब इजराएलीके यहोवाके हाथस' बचौली।”32एलीआजर पुजारीके पुत्र पीनहास आ अगुवासब कनानके देश गिलाद स' रूबेन, गाद, मनश्शेके आधा वंशसब अपन देश इजराएलमे चलि आएल, आ सबटा बात हुनकासबके कहलक।33तब इजराएलीसब खुश भेल। तएं इजराएलीसब यहोवाके धन्य कहिक' ओसब कहलक आब हमसब रूबेन आ गादके सन्तानसब रहनिहार भूमिके विरुद्ध नहि युद्ध कर जाएब आ नहि नाश करब।34तएं रूबेन आ गादके सन्तानसब ओहि वेदीके ई नाम देलक “यहोवा परमेश्वर अछि आ ओ हमरासबके बीचके गवाही रहथिन।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.