Joshua16
1यूसुफके' सन्तानसबके लेल भाग यरीहोमे यरदन नदीस' पूर्वमे यरीहोक' पानि धरि, उजाड स्थानस' भ' क' यरीहोस' बेतेलके पहाड़ी देशधरि छल।2फेरु बेतेलस' लूज धरि छल आ एरेकि क' सिमानक' अतारोत धरि छल। 3पश्चिम दिस उतरिक' यपलेतिके सीमा धरि, नीचा बेथोरोनके सीमा धरि, आ फेरु गेजेर धरि जा' क' समुद्रमे जा' क' अन्त भेल छल।4यूसुफके' सन्तान मनश्शे आ इफ्राइमके अपन उत्तराधिकार लेलनि।5इफ्राइमक' सन्तानसबके ओकारा सबहक वंश-वंश अनुसारक' सीमाना ई छल। ओकारा सबहक उत्तराधिकारक' सीमाना पूर्व दिस अत्रोतदारस' उपर बेथोरोनस' ल' क'6समुद्र धरि पसरल छल, उत्तरमे मिकमतात आ फेरु सीमाना पूर्व दिस तानत-शीलो दिस घुमिक' ओहिस' पूर्व दिस पार क' यानोह धरि पहुंचल छल।7तब ओ यानोहस' अतारोत आ नारा धरि जा' क' यरीहो पहुंचक' यरदन नदीमे निकलल छल।8तप्पूह स' पश्चिम दिस काना नदीधरि जा' क' समुद्रमे समाप्त भेल छल। इफ्राइमके कुलक' ओकारा वंश-वंश अनुसार उत्तराधिकार इहे छल,9मनश्शेक कुलक उत्तराधिकारक' बाहेक इफ्राइमक सन्तानसबके लेल अलग कएल गेल सहर सबहक' संग सब सहर आ गामसब।10ओसब गेजेरमे रहनिहार कनानीसबके नहि भगएलक, जाहिस' कनानीसब आइधरि इफ्राइम मे रहैत अछि आ ओसब बेगारीमे काज करएबला मजदूरीस भ' गेल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.