Joshua15

1यहूदाके कुलके चिट्ठा ओकारा सबहक वंश-वंश अनुसार एदोमके सीमाना धरि, दक्षिणमे सबस दूर सीनके उजाड स्थान धरि छल।2ओकारा सबहक दक्षिणी सीमाना खारा समुद्रक' छोरस', दक्षिण दिस खारहीस' शुरु भेल छल। 3ओ अक्रब्बीम पहाड़ीके दक्षिण दिसस' भ' क' सीन पारक' दक्षिण दिस कादेशबर्ने धरि आ हेस्रोन पारक' अद्दर धरि जा' क' कर्काआ दिस घुमि गेल छल।4ओ अस्मोन पारक' मिस्रके नदी कात धरि छल आ सीमानक' अन्त समुद्रमे भेल छल। ई अहाँक दक्षिणी सीमाना होएत।5पूर्वी सीमाना खारा समुद्र यरदन नदीक' अन्तधरि छल। उत्तरी सीमाना समुद्रक खारही उत्तरी मुंहाना स' यरदन नदीक मुंहाना धरि छल।6सीमाना बेथोग्ला स' जा' क' बेतराबा स' उत्तर पारक' गेल छल। ओ सीमाना रूबेनक' सन्तान बोहन पत्थल धरि पहुंच गेल छल। 7ओ सीमाना आकोरके उपत्यका स' दबीर धरि उपर चढ़ि उत्तर दिस घुमि गिलगाल दिस बढ़ल छल जे अदुम्मीम पहाड़ीक' आगुमे अछि, जे उपत्यकाक' दक्षिण दिस अछि। तब ओ सीमाना एनशेमेशक' तलाव स' पार भ' क' एनरोगेल पर समाप्त भ' गेल छल।8फेरु सीमाना बेन हिन्नोमक' उपत्यका भ' क' जे यबूसी नगर अर्थात् यरूशलेमके दक्षिण दिस बढ़ल छल। आ ओ सीमाना ओहि हिन्नोम उपत्यकाके सामने पश्चिम दिस रपाई उपत्यकाके ओहिपार उत्तरी पहाड धरि पहुंचल छल। 9ओहि सीमाना पहाड़क' चोटी स' नेप्तोहक' पानिक' झरना धरि पुगिक' एप्रोन पहाड़क' नगरसब धरि पसरल छल। फेरुस' ओ सीमाना बाला अर्थात् किर्यत्यारीम धरि घुमि गेल छल।10सीमाना बालास' पश्चिम दिस घुमिक' सेईर पहाड धरि पहुंच उत्तरमे यारीम पहाड़क' कात अर्थात् कसालोन भ' क' बेतशेमेश धरि उतरि तिम्नाहमे निकलल छल।11सीमाना उत्तर दिस एक्रोनक कातमे निकलि गेल छल। फेरुस' ओहि सीमाना शिक्करोन दिस घुमिक' बाला पहाड़स' निकलिक' यब्नेल धरि पहुंचल समुद्रमे समाप्त होइत छल।12पश्चिमी सीमाना महासमुद्रक' तट छल। यहूदाक' कुल सबहक कुल कुल अनुसारक' सीमाना इएह अछि।13यपुन्नेके पुत्र कालेबके यहोशू यहोवाक' आज्ञाक' अनुसार यहूदाक' पुत्र सबहक बीच किर्यतअर्बा अर्थात् हेब्रोन अर्बा अनाकक पिता देलनि।14कालेब ओत' स' अनाकीक तीनू पुत्र शेशै, अहीमन आ तल्मैके भगा देलनि जे अनाकीक' वंशज छल।15ओत' स दबीर पहिने दबीर' नाम किर्यत्सेपेर छल क' आदमीसबके विरुद्धमे गेलाह।16कालेब कहलनि, “जे केओ किर्यत्सेपेरके जीत क' ओहिपर अधिकार जमा लेत, ओकरास' हम अपन बेटी अकसाक विवाह करा देब।”17जखन कालेबक' भाइ कनजक' पुत्र ओत्नीएल ओहिपर अधिकारक' लेलक त' ओकरास' अपन बेटी अकसाक विवाह क' देलक।18आ जं ओ ओकारा लग अएलनि त' ओकरास' आग्रह कएलनि जे ओ अपन पितास' खेत मांगए। जखन ओ अपन गदहापरस' उतरल तब कालेब ओकारा पुछ्लनि, “अहाँके की चाही?”19ओ उत्तर देलनि, “अहाँ हमरा आशीर्वाद दिअ। हमरा नेवेगक' जमीन द' देली त' पानिके झरना सेहो दिअ।” तब ओ ओकारा ऊपरका झरना आ निचका झरना द' देलनि। 20यहूदाक' कुलक' अधिकार ओकर वंश-वंशक' अनुसार इएह छल।21नेवेगमे सुदूर दक्षिण दिस एदोमक' सीमाना दिस यहूदाक' कुलक' सहरसब ईसब छल। कबसेल, एदेर, आ यागूर,22कीना, दीमोना, अदादा,23केदेश, हसोर, यित्नान,24जीप, तेलेम आ बालोत।25हासोर्हदत्ता, करिय्योथेस्रोन अर्थात् हसोर,26अमाम, शेमा, मोलादा,27हसर्गद्दा, हेशबोन, बेत्पेलेत,28आ हसर्शूआल, बेर्शेबा आ बिज्योत्या।29बाला, इय्यीम, एसेम,30एलतोलद, कसील, होर्मा,31सिकलग, मदमन्ना, सनसन्ना,32लबाओत, शिल्हीम, ऐन आ रिम्मोन। ओकारा सबहक कुल मिलाक' उनतीस सहर आ गामसब।33तराईके ईलाकामे एश्ताओल, सोरा, अश्ना, 34जानोह, एनगन्नीम, तप्पूह आ एनाम,35यर्मूत, अदुल्लाम, सोको आ अजेका,36शारैंम, अदीतैम आ गेदरा वा गेदेरोतैम; ओकारा सबहक चौदह सहर आ गामसब।37सनान, हदाशा, मिगदलगाद, 38दिलान, मिस्पे, योक्तेल,39लाकीश, बोस्कत आ एग्लोन।40कोब्बन, लहमास, कितलीश,41गदेरोत, बेतदागोन, नामाह आ मक्केदा। ओकारा सबहक सोलह सहर आ गामसब।42लिब्ना, एतेर, आशान, 43इप्ताह, अश्ना, नसीब,44कीला, अक्जीब आ मारेशा। ओकारा सबहक नऔ सहर आ गामसब।45ओकारा सबहक सहर आ गामसब सहित एक्रोन। 46एक्रोन स' समुद्र धरि, अश्दोद क लगमे ओकरासबहक गामसब सहित।47अश्दोद, आ ओकर सहर आ गामसब सहित। गाजा, आ ओकर सहर आ गामसब सहित। मिस्रके' नदीधरि आ महासमुद्रक' कात धरि।48पहाड़ी देशमे शामीर, यत्तीर, सोको, 49दन्ना, किर्यत्सन्ना अर्थात् दबीर,50अनाब, एश्तमो, आनीम,51गोशेन, होलोन आ गीलो। ओकरासबहक एगारह सहर आ गामसब सहित।52अराब, दूमा, एशान, 53यानीम, बेत्तप्पूह, अपेक,54हुमता, किर्यतअर्बा अर्थात् हेब्रोन, आ सीओर। ओकरासबहक नऔ सहर आ गामसब सहित।55माओन, कर्मेल, जीप, युत्ता, 56यिज्रेल, योकदाम, जानोह,57कैन, गिबा आ तिम्नाह। ओकरासबहक दस सहर आ गामसब सहित।58हलहूल, बेतसूर आ गदोर, 59मरात, बेतनोत आ एलतकोन। ओकरासबहक छह सहर गामसब सहित।60किर्यतबाल अर्थात् किर्यत्यारीम, आ रब्बाह। ओकरासबहक दूटा सहर आ गामसब सहित। 61उजाड स्थानमे रहल बेतराबा, मिद्दीन आ सकाका, 62निबशान, नूनक' शहर आ एनगदी। ओकरासबहक छह सहर आ गामसब सहित।63मुदा यरूशलेममे रहनिहार यबूसी सबहक यहूदाक' सन्तानसब भगा नहि सकल, तएं यबूसीसब एखनोधरि यरूशलेममे यहूदाक' सन्तानसबके संग रहैत अछि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67