Joshua14
1एलीआजर पुजारी आ नूनक' पुत्र यहोशू आ इजराएली कुलके कुलनायक मुखियासब इजराएलीसबके बांटि देने अनुसार कनान देशमे इजराएलीसब अधिकार कएने भू-भाग सब इएह अछि। 2ओकारा सबहक उत्तराधिकार नऔ कुल आ आधा कुलक' लेल चिट्ठाद्वारा देल गेल छल, जेना यहोवा मूसाद्वारा आज्ञा देने छलाह।3मूसा यरदन नदीक' ओहिपार दूटा कुल आ आधा कुलक' उत्तराधिकार द' देने छलाह, मुदा लेवीसबके ओ ओकारा सबहक बीच कोनो उत्तराधिकार नहि देलनि।4यूसुफके पुत्र मनश्शे आ इफ्राइम दूटा कुल छल। मुदा ओसब लेवीसबके ओहि देशमे भाग नहि देलकनि, मुदा मात्र शहरमे रहबाक अधिकार देलकनि, जाहिमे ओकरासबहक मालजाल आ ओकारा सबहक सम्पत्तिक आ ओकरासबहक चारागाहके लेल देलकनि।5यहोवाद्वारा मूसाके देल गेल आज्ञा अनुसार इजराएलीसब सेहो एहि तरहे देश बांटि लेलनि।6तब यहूदाक' पुत्रसब गिलगालमे यहोशू लग आबि गेलनि आ कनजी यपुन्नेक पुत्र कालेब हुनका कहलनि, “अहाँ जनैत छी जे कादेशबर्नेमे अहाँ आ हमरा विषयमे यहोवा अपन दास मूसाके की कहने छलथि। 7यहोवाक' दास मूसा कादेशबर्नेस' एहि देशके जासुसी करए लेल भेजैत काल हम चालीस वर्षक रही। हम अपन मोनक' बुझाइ अनुसार हुनका लगमे समाचार अनलहुं।8मुदा हमरासंग जासुसी करए लेल हमर भाइसब आदमीसबके' मोनके भयभीत क' देलक। मुदा हम त' पूर्णरुपें यहोवा अपन परमेश्वरक' पालन कएलिएन्हि।9तएं मूसा ओहि दिन शपथ खा क' हमरास' कहलनि जे, ‘ओहि देश जाहिपर अहाँक' पयर पड़ल अछि, से अहाँ आ अहाँक' पुत्रसब सदाके' लेल अधिकारमे रहत, किएकत' अहाँ पूर्णरुपस' यहोवा हमर परमेश्वरक पाछु चललहुं।’ 10आब देखू! इजराएलीसब उजाड स्थानमे घुरिफिर करैत काल यहोवा मूसास' ई कहाने छल तहियास' आजुक दिन धरि पैतालीस वर्ष बित गेल अछि आ यहोवा अपन वचन अनुसार हमरा जीवित रखने छथि। आब देखू! हम आइ पचासी वर्षक भ' गेल छी।11हम आइयो मूसा हमरा पठौने रहए ओहिना बलवान छी। लडाइके लेल बाहर जाएलेल आ भीतर आबएलेल हमर तागत ओहि समयमे जहिना छल एखनो हमर तागत ओहिना अछि।12आब हमरा ई पहाड़ी देश दिअ, जेकर विषयमे यहोवा ओहि दिन कहने छलथि। किएकत' अहाँ ओहि दिनमे सुनने छी जे ओत' अनाकी सब रहैत अछि आ ओकारा सबहक पैघ-पैघ गढ़बला सहरसब अछि। भ' सकैत अछि जे यहोवाक' सहायतास' आ हुनकर वचन अनुसार हम ओकरासबके भगा देब।”13तब यहोशू हुनका आशीर्वाद देलनि आ यपुन्नेक' पुत्र कालेबके अधिकारमे हेब्रोन द' देलनि।14एहिस' हेब्रोनपर आइधरि कनजी यपुन्नेक' पुत्र कालेबक' अधिकार अछि, किएकत' ओ यहोवा इजराएलक' परमेश्वरक' पूर्णरुपस' पालन कएलनि।15पहिने हेब्रोनक नाम किर्यतअर्बा छल। ओ अनाकी सबमे सबस' महान आदमी छल। तब जा' क' ओहि देशके लडाइस' विश्राम भेटल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.