Joshua13
1आब यहोशू बुढा गेलथि आ बहुत बेसी वर्षके भ' गेल छलनि यहोवा हुनका कहलथिन, “अहाँ बूढ़ भ' गेली आ उमेर बढ़ि गेल, मुदा एखनो बहुत रास देश अछि जेकरापर अधिकार करबाक अछि।2एखनोधरि ई देशसब बांकी अछि: पलिस्तीक' सारा प्रदेश आ गशूरिसबक सारा प्रदेश।3मिस्रके' पूर्वमे शिहोर स' उत्तरमे एक्रोनके लोकक' सीमा धरि जेकरा कनानी कहल जाइत अछि, पलिस्तीक' पांचटा प्रदेश गाजा, अश्दोदी, अश्केलोनी, गत आ अश्दोदीक' सरदार सब, आ अव्वि,4दक्षिणमे कनानी सबहक सारा देश, सीदोनी सबहक मारा नामके देशस' ल' क' अपेक धरि, आ एमोरी सबहक सीमाना धरि।5गबालि सबहक देश आ पूर्व दिसक सारा लेबनान, हर्मोन पहाड़क' नीचा बाल गादस' ल' क' लेबो-हमात धरि।6लेबनान स' ल' क' मिस्रपोतमैम धरि पहाड़ी इलाकाक' सब बासिन्दा आ सीदोनमे रहनिहारसबके हम स्वयं ओकरासबके इजराएली सबहक सोझास' भगा देब। एहिके इजराएलीसबके चिट्ठा लगाक' उत्तराधिकारक' रुपमे बांटि दिअ, जेना हम अहाँके आज्ञा देने छी।7आब एहि देशके मनश्शेक नऔ कुल आ आधा कुलक' उत्तराधिकारक' रुपमे बांटि दिअ।”8दोसर आधा कुल, रूबेनी आ गादके संग, अपन उत्तराधिकार प्राप्त कएने छल जे मूसा ओकरासबके यरदन नदीक' ओहिपार पूर्व दिस देने छलाह, ठीक ओहिना जेना यहोवाक' दास मूसा ओकरासबके देने छलाह;9अर्नोन नदीक' कातमे रहल अरोएर आ ओहि उपत्यकाके बीचक सहरस' मेदबाक सब पठार दीबोन धरि अछि;10एमोरी सबहक राजा सीहोनक सब सहर हेशबोनमे अम्मोनी सबहक सीमा धरि शासन करैत छलाह।11गिलाद, गशूरिक' प्रदेश आ माकावासीके सिमाना धरि, सारा हर्मोन पहाड आ सल्का धरि सारा बाशान।12ओग राजाक' सारा राज्य जे अश्तारोत आ एद्रेईमे शासन करैत छलाह, रपाईक' बांकी रहल आदमीसबके बाशान राज्य धरि, मूसा ओकरासबके मारिक' भगा देने छलथि।13मुदा इजराएलीसब गशूरि आ माकीसबके नहि भगएने छल, तएं गशूरि आ माकीसब आइधरि इजराएली सबहक बीच रहैत अछि।14मात्रे लेवीके वंशके ओ उत्तराधिकार नहि देलनि। इजराएली सबहक यहोवा परमेश्वर लगमे चढ़ाएल गेल होमबलिक' ओकारा सबहक उत्तराधिकार अछि, जेना यहोवा इजराएली सबहक परमेश्वर ओकरासबके कहने छलाह।15मूसा रूबेनके कुलके ओकरासबहक कुल कुल अनुसार एहि तरहे उत्तराधिकार देने छलथि।16ओकारा सबहक सिमाना छल, अर्नोन नदीक कातमे रहल अरोएर सहर आ ओहि उपत्यकाक' बीचोबीच रहल सहर आ मेदबाक' सारा पठार स' ल' क',17हेशबोन आ ओकर पठारके सबटा सहर, दीबोन, आ बामोत बाल, आ बेतबाल्मोन,18यहस, कदेमोत, आ मेपात,19किर्यातैम, सिबमा, आ पहाड परके उपत्यकामे रहल सेरेथ सहर,20बेतपोर, आ पिसगाके चढाइ आ बेत्यशीमोत धरि,21आ पठारक' सब सहर आ एमोरी सबहक राजा सीहोनक' सारा राज्य, जे हेशबोनमे शासन करैत छल, जेकरा मूसा मिद्यानक' मुखिया सबहक संग मिलक पराजीत कएने छलाह, एवी, रेकेम, सूर, हूर आ रेबा — सीहोनके राजकुमार, जे ओहि देशमे रहैत छलाह।22इजराएलीसब शुभ-अशुभ मुहूर्त्त कहएबला बोरके पुत्र बिलामके सेहो तलबारस' मारि देलक।23रूबेनक पुत्र सबहक सीमाना यरदन अछि। आई रूबेनक पुत्र सबहक कुल आ वंश अनुसार शहर आ गामसब अनुसार उत्तराधिकारक सीमाना अछि।24मूसा गादक' कुलके गादक' पुत्रसबके ओकर वंश अनुसार देलनि।25ओकारा सबहक सिमाना छल; याजेर आ गिलादक सारा सहरसब आ अम्मोनी सबहक आधा देश, रब्बाह स' पूर्वमे अरोएर धरि,26आ हेशबोनस' रामत मिस्पे आ बेतोनीम् आ महनैमस' दबीरके सीमाना धरि,27आ उपत्यकामे बेतहारम, बेतनिम्रा, सुक्कोत, सापोन आ हेशबोनक राजा सीहोनक' बांकी राज्य, जेकर सीमाना यरदन नदीक छल, समुद्रक अन्तधरि किन्नेरेत, यरदन नदीक ओहिपार पूर्व दिस।28गादक' कुल सन्तानसबके कुल कुल अनुसारके शहर आ गामसब उत्तराधिकार इएह अछि।29मूसा मनश्शेक आधा कुलके आ मनश्शेक कुलके आधा सन्तानसबके ओकर वंश अनुसार एहि तरहे उतराधिकार देलनि।30ओकारा सबहक सिमाना महनैम, समस्त बाशान, बाशानक' राजा ओगक' सारा राज्य आ बाशानमे याईरक' सारा सहर, ओत साठिटा सहर छल।31आधा गिलाद, अश्तारोत आ एद्रेई जे बाशानमे ओगके राज नगर छल, मनश्शेक पुत्र माकीरक पुत्र सबहक लेल छल, अर्थात् माकीरक आधा पुत्र सबहक लेल, ओकारा सबहक वंश अनुसार।32मूसा ईसब यरीहोस' पूर्वमे यरदन नदीक ओहिपार मोआबक' मैदानमे उत्तराधिकारक रुपमे बांटि देलनि।33मुदा मूसा लेवीके कुलके कोनो उत्तराधिकार नहि देलनि। इजराएलक' परमेश्वर यहोवा ओकारा सबहक उत्तराधिकार छथि, ठीक ओहिना जेना ओ ओकरासबके कहने छलाह।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.