Jonah3
1यहोवा फेरु योनास' कहलनि। ई बात अछि, यहोवा कहलथि:2“चलैत जाउ! अश्शूरक राजधानी नीनवे नगरमे जाउ, तय रहनिहार लोकसबके ओ सन्देश दिअ जे हम अहाँके ओकर विरुद्ध प्रचार करबाक लेल कहने रही।”3एहि समयमे योना चलैत रहलाह आ नीनवे चलि गेलाह, यहोवाके वचन पालन कएलथि। एहि समयमे नीनवे बहुत नमहर शहर छल, जे दुनियांके सबस' पैघ शहरमेस' एक छल। ओ एतेक विशाल छल जे एहिके एहि पारस' ओहिपार जाएमे तीन दिन धरि पैदल चलए पड़ैत छल। 4जखन योना पहुंचल त', लगभग भरि दिन नगरेमे घुमब शुरु कएलनि, तखन ओ नगरक लोकसबके बजा घोषणा कएलनि, “आइस' चालीस दिनके बाद परमेश्वर नीनवेके नाश क' देताह!”5नीनवेक लोकसब परमेश्वरक सन्देशपर विश्वास कएलनि जे योनाद्वारा घोषणा कएल गेल रहए। ओसब निर्णय लेलनि जे सबगोटेके उपास करबाक चाही आ देहपर चट्टीबला कपड़ा पहिरबाक चाही, जाहिस' ई देखाओल जाए जे अधलाह काज ओसब करैत रहए ओहिपर ओकरासबके पश्चाताप छन्हि। तहिना शहरमे सबगोटे, बड़का' ल' क' छोट लोकधरि ओहिना कएलनि। 6जखन नीनवेक राजा योनाके प्रचारक सन्देश सुनलनि त' ओहो अपन सिंहासनस' उठि गेलथि। ओ अपन राज-वस्त्र उतारि देलनि, आ ओकर बदलामे चट्टीके कपड़ा पहिर लेलनि, छाउरके माइन पर बैसि गेलाह। एहिसबस' ओ ई देखाबए' चाहलनि जे हुनका सेहो अपन अधलाह काजपर पश्चाताप छनि जे ओ करैत छथि। 7तखन ओ नीनवेके लोकसबके ई घोषणा करबाक लेल दूत पठौलनि जे, “राजा आ हुनकर जिमदारो सब एहि बातके आदेश देलनि जे कोनो व्यक्ति वा जानबर कोनो अन्न नहि खाए आ पानि नहि पिबए। एतधरि जे गाय बैल आ भेंड़ बकरीके हेंड़ सेहो नहि चैर सकए छल।8प्रत्येक व्यक्ति आ सबहे पशुके अपन शरीरपर मोटका कपड़ा पहिराएब जरुरी अछि। सबके परमेश्वरस' गम्भीरतापूर्वक प्रार्थना जरुर करबाक चाही आ, सबगोटेके अधलाह काज करएस' जरुर रुकबाक चाही जे ओ क' रहल छलथि आ जे हिंसा ओ दोसर लोकसबके संग क' रहल छथि।9जं सबगोटे ईसब काज करैत अछि त' सम्भव अछि जे परमेश्वर अपन विचार बदलिक' हमरासबपर दया करथि। ओ हमरासबपर दयाके' सकैत छथि आ हमरासबके नाश करएबला प्रचण्ड क्रोधस' बचाइयो सकताह।”10जं परमेश्वर देखलनि जे निनवेके लोकसब दुष्ट ई काज कएनाइ छोड़ि देलनि। एहिलेल परमेश्वर ओकरासबपर दया कएलनि आ ओकरासबके ओहिना नाश नहि कएलनि जेना पहिने कहने छथि जे ओ करितथि। ओना ओ कहने छलथि, महज कहलाक बादो ओ नहि कएलखिन।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.