Jonah2
1जखन ओ बढ़का माछक पेटमे छलथि, तखन योना, यहोवा परमेश्वरस' प्रार्थना कएलनि, जिनकर ओ पहिनहुं आराधना करैत छलाह।2ओ ई बात कहलनि,
“जखन हम पानिमे निराश छलहुं, तखन हम परमेश्वरस' प्रार्थना कएलहुं जे हमरा बचाबथि, आ ओ हमरा बचा' लेलनि। ओना हम माछक पेटमे रही जत हम मरिए जाएब से सोंचैत रही, तइयो ओत' अपने हमर करुणा सुनल गेलै जखन हम अहाँस' हम मदतिके लेल चिचिआएल रही।3हमरा अथाह पानिमे फेकएलेल देने रही, समुद्रक बीचोबीचमे जत धार हमरा चारुकातस' भंवरी जकां घुरिएने छल। ओ सबटा भयावह लहरि जे अहाँ हमरा उपरस' बहएलेल पठौने रही।4हम मनमे कहलहुं, जे अहाँ हमरा दूर फेक देने छी; हमरा क्षण भरिलेल सेहो देखबाक अपनेके कोनो परवाह नहि अछि। तइयो हमरा किछु आशा छल जे हम अहाँके पवित्र भवनके देखब।5हमरा चारुकात पानि छल, हमर जीवनके खतम करबाक लेल गहींर पानि हमरा चारुकातस' घेरि लेने छल; माथमे समुद्री झारसब लेपटा गेल छल।6हम ओहि स्थानपर उतरलहुं जत समुद्रक जड़िस' पहाड़ निकलैत अछि। हमरा लागल जेना धरती कोनो जेल होए जाहिस हमरा भगबाक कोनो सम्भव उपाय नहि अछि।
मुदा हे प्रभु परमेश्वर! हम अपनेके आराधना करैत छी, अहाँ हमरा मृत्युके मुहंस' बचा लेलहुं!7तखन हम लगभग मरि गेल रही, हे प्रभु! तखन हम अहाँक स्मरण कएलहुं। आ हमर प्रार्थना अहाँ लग पहुंचल आ अपने ओहिके स्वीकार कएलहुं।8जे सब झूठा देवतासब दिस मोन फेरबैत अछि, ओ परमेश्वरके अनुग्रहस' वंचित होइत अछि।9मुदा हम एहन नहि करब। हम अहाँके अपन बोलीस' धन्यवाद द' क' बलिदान देब। हम जे गम्भीरतापूर्वक गछने रही, से पूरा करब। हे यहोवा! अहीं एकमात्र सच्चा परमेश्वर छी जे लोकक उद्धार करैत छी।”10तखन यहोवा ओहि बढ़का माछके आज्ञा देलनि जे ओ योनाके उगिल देथि, आ ओ माछ योनाके सुखल जमीनपर उगिल देलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.