John8

1तब, यीशु जैतूनके पहाड़पर गेलाह आ ओहि राति ओतए लगमे रहलाह।2दोसर दिन भिनसरमे, यीशु मन्दिरके अंगनामे अएलाह आ बहुते लोकसब हुनकालग आएल।3व्यवस्थाके किछु शिक्षक आ फरिसी हुनकालग एकटा व्यभिचारी महिलाके ल' क' आएल। ओसब ओकरा तखन पकड़ने रहथि जखन ओ व्यभिचार क रहल रही। ओसब ओकरा समूहक बीचमे ओकरा ठाढ़ क' देलक।4ओसब यीशुके परेख' चाहैत छल जाहिस' ओकरापर मूसाके व्यवस्थाके तोड़एके विषयमे सर्वोच्च यहूदी प्रशासनिक परिषदके सोझे ऐब लगब मे सुरखुरु होअए। एहिदुआरे ओसब हुनकास' कहलक, “हे गुरु, हमसब एहि महिलाके तखन पकड़ली जखन ओ व्यभिचार क रहल रही, जे एकटा अधलाह काज अछि!5आब मूसा त व्यवस्थामे हमरा आदेश देने छथि जे हमरा एहन स्त्रीके पत्थलस' मारि देबाक चाही। तखन, अहाँ की कहैत छी जे हमरासबके की करबाक चाही?” 6तखन, यीशु नीचा मुंहे झुकि अपन औंरीस' भुइयांमे किछु लिख लगलाह।7जखन ओ हुनकास' बेर-बेर प्रश्न पुछैत रहल, तहन ओ उठलाह आओर ओकरासबके कहलनि, “अहाँमेस स' जे कहियो पाप नहि कएने होअए ओएह पहिन पत्थल फेकू आ ओकर मार' मे संग पुरे!”8तखन यीशु फेरुस' नीचा निहुरलाह आ अपन औंरीस' भूमिपर किछु लिख लगलाह।9जं ओसब यीशुके ई वचनसब सब सुनला के बाद, ओ यहूदी अगुवासब जे हुनकास' प्रश्न क रहल छल एक बाद एक-एक क' क' ओतएस' चलि जाए लगलह। बूढ़-पुरानसब पहिने चलि गेल आ ओकरा बाद जुआनो सब। तखन ओतए लोकसबके बीचमे' स' ओहि महिलाके संगे मात्रे यीशुए रही गेल।10यीशु ठाढ़ भेलथि आ ओकरास' पुछलनि, “बेटी, ओ लोकसब कत' अछि जे अहाँपर दोष लगबैत रहए? की ओसब अहाँके दण्डित होअएलेल दण्ड नहि देलनि?”11ओ जानि उत्तर देलनि, “यौ मालिक, एहन केओ नहि अछि।” तहन यीशु कहलनि, “हमहूं तोरा दण्डित होअएलेल दण्ड नहि दैत छियौ। चलि जो, आ आइ दिनस' एहन पाप फेरु नहि करब!”]12यीशु फेरुस' लोकसबस' बतिआएल। ओ कहलनि, “हम ओएह छी जे संसारमे रहनिहार लोकके परमेश्वरके नीक आ सत्य ज्योति प्रदान करैत छथि। जे केओ हमर चेला बनि जाइत अछि ओ फेरु कहियो पापमय अन्हारमे नहि चलैत अछि। एहि लोकक जे परमेश्वरक भल आ सांच इजोत भेट जाएत जे अनन्त जीवन प्रदान करैत अछि।13तखन फरिसीसब हुनकास' कहलनि, अहाँके विषयमे मात्र अहीं गवाह छी! किएकत मूसाके व्यवस्थामे कमस' कम दूटा गवाह सबहक आवश्यकता होएत अछि, तएं जे अहाँ कहैत छी ओ सत्य नहि भ' सकैत छी!”14यीशु उत्तर देलनि, “एत यदि अपने विषयमे मात्र हमहीं गवाह छिऐ, त हम कहैत छी ओ एखने सत्य अछि किएकत हम जनैत छी जे हम कत' स' आएल छी आ हम जनैत छी जे हम कत जाएत छी। तथापि त अहाँ नहि जनैत छी जे हम कतस आएल छी आ अहाँ नहि जनैत छी हम कत जाएत छी।15मानवीय मानक अनुसार मनुष्यक न्याय करैत छी। ओना, हम ओहि तरीकास' हम केकरो न्याय करएलेल नहि आएल छी।16एहि तरहें जखन जे हम लोकके न्याय करबनि, त' हम ओकर न्याय सत्य मानकके अनुसार करबनि, किएकत' हम लोकक न्याय अपने मने नहि करैत छी। बल्कि हम आ हमर पिता जे हमरा पठौने छथि संगे-संगे लोके न्याय करबनि।17मूसा सेहो अहाँक व्यवस्थामे लिखने छथि जखन कमस कम दूटा गवाह एकेगो बातके कहए, त' ओ जे कहैत अछि ओ सत्य अछि। 18हम अपन गवाह स्वयं छी मुदा हमर पिता जे हमरा पठौने अछि ओहो हमर गवाह छथि। तएं, जे हम कहैत छी ओ सत्य अछि।” 19किएकत यीशु कहने रहथि जे हुनकर पिता हुनकालेल गवाह अछि, एहिलेल फरिसीसब जे ओकरास' पुछलनि, “अहाँक' पिता कत' अछि?” यीशु उत्तर देलथिन, “अहाँ हमरा नहि जनैत छी, आ अहाँ हमर पिताके सेहो नहि जनैत छी। यदि अहाँ हमरा जनितहुं, त' अहाँ हमरो पिताके जनितहुं, मुदा अहाँ नहि जनैत छी।”20अपने विषयमे ई बात ओ तखन कहलनि जखन ओ परमेश्वरके भवनके भण्डार कक्षक लगमे शिक्षा द रहल छलथिन। ओ एहि बातक मन्दिरके अंगनामे एहि जगहमे कहलनि जत' लोक धनक' भेट ल क आएल करैत छल। केओ हुनका नहि पकड़लनि, किएकत एखन ई हुनकर मरए के ठीक समय नहि छल।21तहन यीशु फेरुस' लोकसबके कहलनि, “हम जा रहल छी, आ अहाँ हमरा ताकब, जबकी अहाँ त' पापपूर्ण रीतिस' हमरा अस्वीकारक' देलनि', तों परमेश्वर भरस' तोरा क्षमा कएने बिना तों मरि जएबे। जत हम जा रहल छी ओतए तों नहि आएब सकैत छी।”22तखन ओ यहूदी अगुवा जे अपनेमे कहलनि, “भ' सकैत अछि जे ओ स्वयंके मारि देबएके लेल नियार रहल अछि, आ तएं ओकर ई अर्थ अछि जखन ओ कहैत अछि जे जत ओ जा रहल अछि ओहि ठाममे हम नहि आबि सकैत छी।”23यीशु हुनकास' कहलनि, “तों नीचा एहि पृथ्वीके छे, मुदा हम उपर स्वर्गके छी। तों एहि पापी संसारस' सम्बन्ध रखैत छे। हमरा एहि पापी संसारस' सम्बन्धित नहि छी।24एहिलेल हम तोरा कहने रहियौ जे परमेश्वरद्वारा ओहि सबहे पापक कारणे जेकरा अहाँ कएने छी अहाँक माफ कएने बिना अहाँ मरि जाएब। ई निश्चय होएबे करत जखनधरि अहाँ विश्वास नहि करब जे हमहीं परमेश्वर छी, जेना हम कहैत छियौ जे हम पहिनहि छी।”25किएकत ओ एहन कहने रहथि, तों ओ हुनकास' पुछलनि, “तों के छे?” यीशु उत्तर देलनि, “इहे हम तोरास' शुरुएस कहि रहल छियौ!26हम तोरा सम्बन्धमे बहुते किछु कहि सकैत छियौ आ तोहर न्याय क' सकैत छियौ, मुदा एखन हम ओहि काज सबके नहि करब। ओना, हम एहि संसारमे रहबला लोकसबके ओएह बतएबै जे हम हुनकास' सुनने छी जे हमरा पठौलनि। ओ सदिखन सत्य कहैत छथि।”27ओ बुझि नहि पौलक जे यीशु ओकरा स्वर्गमे विराजमान अपन पिताके सम्बन्धमे बताबि रहल छलथि।28तएं यीशु ओकरास' कहलनि, “जखन हमर हत्या करएलेल तों हमरा, अर्थात् मनुष्यक पुत्रके, उपर चढ़एबै, त' बुझि जाएब जे हमहीं परमेश्वर छी, आ तों स्त्री जएबे जे हम स्वयंके अधिकारस' किछु नहि करैत छी। हम मात्र ओएहटा करैत छी जे हमर पिता हमरा कहएलेल सिखऔने छथि।29हमर पिता, जे हमरा पठौने छी, सदैव हमरासंगे छथि। ओ हमरा कखनो एसगरे नहि छोड़लक, किएकत हम सदैव खाली ओहि काजके करैत छी जाहिस ओ प्रसन्न होएत अछि।”30जखन यीशु एहि बातसबके कहि रहल छल, तखन बहुते लोकसब जे विश्वास कएलक जे ओ मसीह अछि।31तखन यीशु जे ओहि यहूदीसबस जे सब विश्वास कएने रहथि कहि देलक जे ओएह मसीह अछि, “जं अहाँ ओकर पालन करु जे हम सिखबैत छी, तहन अहाँ हमर सांच्चे चेला छी।32एहिके अतिरिक्त, अहाँ परमेश्वरक सत्यता क जानब, आओर ओहि सांच पर विश्वास कएनाइ अहाँके ओकरास स्वतन्त्र करत जे अहाँके दास बनाक रखने अछि।”33ओसब हुनका उत्तर देलक, “हम त अब्राहमके वंशज छी। हम त कखनो केकरो दास नहि भेलहुं'! त अहाँ किएक कहैत छी जे हमरा स्वतन्त्र होएबाक आवश्यकता अछि?”34यीशु जे प्रतिउत्तर देलक, “हम अहाँस सांच्चे कहि रहल छी:सबगोटे जे पाप करैत अछि ओ अपन पापी इच्छासबस नियन्त्रित होएत अछि जेना केओ दास अपन स्वामी क स नियन्त्रित कएल जाएत अछि।35दास अपन घरके स्वामीके परिवारके सदस्य सबहक जेना सदैव बनल नहि रहत, मुदा शायद स्वतन्त्र क देल जाए वा बेच देल जाए। एहिदुआरे, एगो बेटे सदिखन ओहि परिवारक' सदस्य होएत अछि। 36एहिदुआरे जं पुत्र अहाँक पापक' दास होअएस स्वतन्त्र करैत अछि, त अहाँ पूर्णरुपस पाप करएस दूर होअएमे सक्षम भ पाएब।37हम जनैत छी जे अहाँ अब्राहमके शारीरिक वंशज छी। किएकत, अहाँ हमर लेहू करए क कोशिस एहिदुआरे क रहल छी किएकत अहाँ ओहि बातपर विश्वास करएस अस्वीकार करए छी जे हम कहैत छी।38हम अहाँस ओहि बातक विषयमे कहि रहल छी जे हमरा हमर पिता जे देखने अछि। एहिदुआरे, हम कहैत छी जे अहाँ ओएह करु जे अहाँक पिता जे अहाँस करएलेल कहने अछि।”39ओसब हुनका उत्तर देलक, “हमर पिता अब्राहम अछि।” यीशु जे ओकरास कहलक, “जं अहाँ अब्राहमके वंशज होइतहुं, त अहाँ ओएह काजसबके करैत रहैत जेकरा ओ कएने रहथि।40हम अहाँके ओ सांच बात कहि रहल छी जे परमेश्वर जे हमरा बतएने अछि, मुदा अहाँ हमर लेहू करबाक यतन क' रहल छी। अब्राहम जे एहि प्रकारक किछु नहि कएने रहथि।41अहाँ बिलकुल ओहिना पहिनहि काजसबके क रहल छी जेना अहाँक असल पिता जे कएने रहथि।” ओ ओकरास कहलक, “हम व्यभिचारमे जनमल सन्तान नहि छी, जेना के अहाँ छी! हमरासबहक एकेगो पिता छथि, आ ओ परमेश्वर छथि।”42यीशु ओकरास बाजल, “जं परमेश्वर अहाँक पिता होएत, जे की अछि नहि, त अहाँ हमरास प्रेम करिती किएकत हम हुनके दिसस आएल छी आओर हम एहि संसारक लग आएल छी। ई एहिदुआरे सांच अछि किएकत हम अपन स्वयंके अधिकारस नहि अएलहुं। बल्कि एकर, हम एहिदुआरे अएलहुं किएकत परमेश्वर जे हमरे पठौने एहि।43की अहाँ जनैत छी की जे हम कहैत छी अहाँ ओकरा किएक नहि बुझति छी? एहन एहिदुआरे एहि किएकत जे हम अहाँस कहलहुं अहाँ ओकरा स्वीकार नहि करैत छी आओर ओकर पालन नहि करए छी!44अहाँ अपन पिता, शैतानस सम्बन्धित छी आओर अहाँ ओएह करए क इच्छा करैत छी जे ओ इच्छा करैत अछि। ओ ओहि समयस लेहू करए रहल अछि जखन लोकसब पहिन बेर पाप कएने रहथि। जे सांच अछि ओकरा ओसब एहिदुआरे अस्वीकार क देलक, किएकत ओ कखनो ओहि सांच बातक नहि बजैत अछि। जखन-कखनो ओ झूठ बजैत अछि, त ओ ओएह करैत रहैत अछि जे ओकरालेल स्वभावे अनुसार अछि, किएकत ओतए झुट्ठा अछि। एतधरि जे ओ त झूठक मूल अछि। 45एखनो अहाँ हमरापर एहिदुआरे विश्वास नहि करए छी, किएकत हम अहाँके ओ कहि देलहुं जे सांच अछि!46किएकत हम कखनो पाप नहि कएलहुं, एहिदुआरे मे स केओ त साबित नहि क सकत जे हम कएने छी। किएकत जे सांच एहि हम अहाँके ओएह बतबैत छी, एहिदुआरे एहन कोनो भल कारण अहाँ लग नहि एहि जे ओहिपर विश्वास नहि करु जे हम कहैत छी!47जे परमेश्वरस सम्बन्धित एहि ओ ओकरा स्वीकार करैत अछि आओर ओकर बातसब पालन करैत अछि जे ओ कहने अछि। किएकत सांच एहि, एहिदुआरे अहाँ स्वीकार नहि करए छी आओर पालन नहि करए छी जे परमेश्वर अपने कहने एहि, किएकत अहाँ परमेश्वरस जुड़ल नहि छी।”48यीशुक विरोध करएबला यहूदीसब जे उत्तर देलक, “हम निश्चय रुपस सही छी जखन हम कहैत छी जे अहाँ सामरी सबमेस एकटा छी, जेकरास हम घिन करैत छी, आओर ई जे केओ दुष्टात्मा अहाँक नियन्त्रित क रहल अछि!”49यीशु जे उत्तर देलक, “हमरा केओ दुष्टात्मा नियन्त्रित नहि क रहल अछि! एकरा बदला, हम स्वर्गमे विराजमान अपन पिताक सम्मान करैत छी, आओर अहाँ हमर अपमान करैत छी!50हम लोकसबके पाछु पड़एके इच्छा नहि करैत छी जे ओ हमर महिमा करए। केओ आओर एहि जे एहन करए क इच्छा करैत अछि आओर न्याय करैत अछि चाहे अहाँ वा फेरु हम सांच बाजि रहल छी।51हम अहाँस सांच्चे कहि रहल छी: जे केओ हमर शिक्षाके पालन करैत अछि ओ निश्चिते कखनो नहि मरत!”52यीशुक विरोध करएबला यहूदीसब हुनकास कहलनि, “आब हमसब निश्चय भ गेलहुं जे केओ दुष्टात्मा अहाँक नियन्त्रित क' रहल अछि! अब्राहम आओर प्रवक्तासब त बहुत पहिने मारि गेल! तथापि अहाँ कहैत छी जे केओ अहाँक शिक्षाके पालन करैत अछि ओ निश्चिते कहियो नहि मरैत अछि'!53अहाँ निश्चिते हमर पिता अब्राहमस बढ़िक नहि छी! ओ मरि गेल आओर सबटा प्रवक्ता सेहो मरि गेल। एहिदुआरे अहाँ की सोंचैत छी जे अहाँके छी?”54यीशु जे उत्तर देलनि, “जं हम लोकक पाछु लागि जे ओ हमर महिमा करए, त ओ महिमा बेकार होएत'। ओ हमर पिता छथि जे हमर महिमा करैत अछि। ओएह अछि जेकरा अहाँ कहैत छी जे ओ अहाँक परमेश्वर अछि।55एहिदुआरे की अहाँ परमेश्वरके जनैत नहि छी, हम हुनका जनैत छी। जं हम ई कहि जे हम परमेश्वरके नहि जनैत छी, त अहाँमेस सबगोटे जकां हमहूं झुट्ठा ठहरितो। अहाँसबहक विपरीत, हम हुनका जनैत छी, आओर जे ओ कहैत अछि हम सदैव ओहि बातक पालन करैत छी।56अहाँसबहक पूर्वज अब्राहम ई सोंचि कतेक आनन्दित छलाह जे ओ हमरा संसारमे अबैत देख सकताह। परमेश्वर जे ओकरा अनुमति देलक जे हमरा अबैत देखए, आओर ओ खुश छलाह।”57किएकत यीशु जे एहन कहलक, एहिदुआरे हुनका विरोध करएबला यहूदीसब जे हुनकास कहलक, “अब्राहम त बहुते पहिने मरि गेलाह, आओर अहाँ त पचासो वर्ष उमेरक त नहि छी! त अहाँ अब्राहमके कोना देख लेने होएब'?”58यीशु जे ओकरास कहलक, “हम अहाँस सांच्चे कहि रहल छी: अब्राहमके जन्म लिअ स पहिने हम परमेश्वर छलथि छलथिन!”59किएकत ओ परमेश्वर होएबाक दाबी क' रहल छलाह, एहिदुआरे यीशुक विरोध करएबला यहूदीसब जे हुनकर लेहू करबाक लेल हुनकापर फेकएलेल पत्थल उठालेलक। मुदा यीशु भीड़मे नुकाक' मन्दिरके आंगनमे स निकलि गेलाह।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67