John7
1ओहि घटनाक बाद, यीशु गलील प्रान्तके जगह-जगहमे एहि दुआरे घुमैत रहथि किएकत' ओ यहूदियाके प्रान्तमे जाए नहि चाहैत रहथि। ओ यहूदियास' दूर एहि दुआरे रहल किएकत ओतहि यहूदी अगुवा हुनकर हत्या करबाक उपाय करए लागल रहथि।2आब ओहि समयपर यहूदीसबहक झोपड़ीके पावनि लगचिआएल रहथि। 3यीशुके भाइ हुनका कहलकनि, “एतस' जाउ आ' यहूदिया प्रान्तमे चलि जाउ जाहिस' अहाँके चेलासब सेहो अहाँके चमत्कारीक काज सबके करैत देख सकथि।4अपन चमत्कारीक काजसबके यहूदियामे' करब किएकत जे केओ प्रसिद्ध होएबाक चाहैत अछि ओ किछु त' नुकाक' नहि करैत अछि। किएकत अहाँ एहिसब चमत्कारके क रहल छी, त चमत्कारीक काजसब करएके द्वारा सब दुनियांके लोकसबपर ओकरा प्रगट करु जे अहाँ होएबाक दाबी करैत छी!”5यीशुके भाइसब जे एहन एहि दुआरे कहलक किएकत ओहोसब जे विश्वास नहि कएने रहथि जे ओ मसीह अछि।6किएकत ओसब हुनकापर विश्वास नहि कएने रहथि एहि दुआरे, यीशु ओकरास' कहलक, “ई हमरा यरूशलेम जाएलेल ठीक समय नहि अछि, मुदा अहाँसब जखन चाहब तखन ओतए जा सकैत छी।7संसारमे' एहन केओ नहि अछि जे अहाँस' घिन क सकए। किएकत, सबगोटे हमरास' एहिदुआरे घिन करैत अछि किएकत हम गवाही करैत छी जे ओ खराब काज करैत अछि।8अहाँ पावनि मनबएलेल यरूशलेममे जाउ। हम एखनो पावनि मनबएलेल नहि जा रहल छी, किएकत एखन हमरा जाएलेल ठीक समय नहि भेल अछि।”9अपन भाइसबस' एहन कहलाक बाद, यीशु गलील प्रान्तमे' किछु दिन आ' रहला।10ओनात, किछु दिनक बाद यीशुके भाइ पावनि मनाबए चलि गेल, अपनो गेला, मुदा अपने नुकाक एहन कएलखिन।11किएकत यहूदी अगुवासब जे पावनिमे यीशुके होएबाक ताकमे रहथि, ओसब हुनका खोजि कोशिस सेहो कएलक। ओसब लोकसबस' पुछलक, “ओ मनुष्य कत?”12भीड़क लोकसब भितरे भितरस' यीशुके सम्बन्ध बहुते बातसब क' रहल रहए। किछु लोकसब कहलक, “ओ एकटा नीक लोक अछि!” मुदा आओर लोकसब जे कहलक, “नहि! ओ भीड़क भरमबैत अछि!”13तथापि, ओ लोक यहूदी अगुवासबस' डेराइत छल, एहिदुआरे ओसब यीशु विषयमे सार्वजनिकरुपस' बात नहि कएलनि।14झोपड़ीसबके पावनि मनबैत लगभग किछु कालक बाद, यीशु जे मन्दिरके अंगनामे' प्रवेश कएलक आओर ओतए लोकसबके शिक्षा देब शुरु कएलनि।15यहूदी अगुवासब हुनकर शिक्षापर अचरज क' रहल रहए। ओसब कहलक, “ई त कोनो धार्मिक शिक्षा नहि लेने छै ओ सम्भवत पवित्र शास्त्रक एतेक नीकस' नहि बुझि सकत!”16यीशु हुनकासबके उत्तर देलथिन, “जे हम सिखबैत छी ओ हमरा भितरस' नहि अबैत अछि। एकरा बदलामे, ई त' परमेश्वरक दिसस' अबैत अछि, जे हमरा पठौने छथि।17यदि केओ ओ करए ला चाहैत अछि जे परमेश्वर चाहैत अछि, त' ओ व्यक्ति ई बुझि जाएत जे हम सिखा रहल छी ओ परमेश्वर भरस' आएल छथि आओर ओ हमर अपन व्यक्तिगत अधिकारस' नहि अछि।18जे केओ अपन व्यक्तिगत अधिकारस' बजैत अछि ओ मात्रे अपन बड़ाइ महिमा करए चाहैत अछि। किएकत', जे केओ ओहि लोकक बड़ाइ महिमा कर' चाहैत अछि जे ओकरा पठौने एहि त' ओ सांच बजैत अछि आओर अधर्मके काज करैत छथि।19मूसा जे सांचो अहाँके परमेश्वर भरस' व्यवस्था देने रहथि। अहाँमेस' केओ ओहि व्यवस्थाके पूर्णरुपस' पालन नहि करैत छी। किएकत ई सांच अछि, त' अहाँ हमर हत्या करएलेल प्रयास किएक क' रहल छी किएकत जेकरा अहाँ मानैत नहि छी ओ व्यवस्था विरुद्ध मानल जाइत अछि?”20भीड़मेस' किछु लोकसब उत्तर देलक, “कोनो दुष्टात्मा अहाँके नियन्त्रित क' रहल अछि! कोनो अहाँके हत्या करबाक लेल कोशिस नहि क' रहल अछि!”21यीशु जे भीड़क उत्तर देलक, “किएकत हमहीं विश्राम-दिनमे एकटा चमत्कारीक चंगा कएलहुं, एहिदुआरे अहाँसब आश्चर्यित भ' गेली।22किएकत नीक कएनाइ जकां किछु काज विश्राम-दिनमे होएत, एहिदुआरे मूसा जे अहाँके खतनाक विषयमे व्यवस्था देलक। ओ व्यवस्था बतबैत अछि जे अहाँके अपन बेटा जनमलाके ठीक सात दिनक बाद खतना करबाक चाही। खतना वास्तवमे मूसास शुरुआत नहि भेल रहए, मुदा ई प्रथा संस्कार अहाँके पूर्वजसबस अब्राहम, इसहाक, आओर याकूबस शुरुआत भेल रहए। एहि व्यवस्थाके कारणे, कखनो-कखनो अहाँसबके विश्राम-दिनमे अपने पुरुष बच्चासबके खतना करएके कारणे काज करए पड़ैत अछि। 23किएकत कखनो-कखनो अहाँ मूसाक व्यवस्था अवज्ञा करएस बचएलेल विश्राम-दिनमे कोनो लोकक खतना क दैत छी, त ओहि दिनमे कोनो लोकके नीक कएनाइ जकां नीक काज करएके कारणे अहाँके हमरोपर खिसिएबाक नहि चाही!24जे अहाँ देखलहुं ओहि अनुसार हमर न्याय कएनाइ बंद करु! बल्कि एकर, हमर न्याय ओहिके अनुसार करु जेकरालेल परमेश्वर कहैत अछि जे ठीक अछि।” 25तखन भीड़मेस' किछुगोटे जे यरूशलेममे रहैत छल, कहलक, “ई त ओ लोक अछि जेकरा हत्या करबाक यतन हमरासबहक अगुवासब क' रहल अछि!26देखू! ई त एहिके सार्वजनिकरुपस' क रहल अछि, मुदा अपनासबके यहूदी अगुवासब ओकरा विरोधमे किछु त' नहि क रहल अछि। की एहन भ सकैत अछि जे हमरासबहक अगुवा सत्यमे जनैत अछि जे की इएह मसीह अछि?27मुदा ई मनुष्य मसीह नहि भ सकैत अछि! हम जनैत छी जे ई मनुष्य कतस' आएल अछि, मुदा जखन मसीह अओताह, त' केओ नहि जानि पाओत जे ओ कतस' आएल छथि।”28जाहि समय ओ मन्दिरक आंगनमे शिक्षा द रहल छलाह तखन यीशु जोरस' बाजि उठलाह। ओ कहलक, “हं, अहाँ हमरा जनैत छी, आ अहाँ इहो जे जनैत छी जे हम कतस' आएल छी। मुदा हम एत व्यक्तिगत अधिकारस' नहि आएल छी। बल्कि एकर, जे हमरा पठौलखिन ओ सत्य परमेश्वर छथि, आ अहाँ हुनका नहि जनैत छी।29हम हुनका एहि दुआरे जनैत छी किएकत हम हुनके लगस' आएल छी। ओएह अछि जे हमरा पठौने अछि।”30किएकत यीशु जे एहि बातके कहलक एहि दुआरे, यहूदी अगुवासब हुनका बंदी बनबएला चाहैत छल, मुदा केओ त' हुनका एहि दुआरे पकड़ि नहि सकलथि, किएकत मरएलेल ई एखन हुनकर ठीक समय नहि छल।31यहूदी अगुवा सबहक छोड़ि, भीड़मेस' बहुते लोकसब जे यीशुपर विश्वास कएलक। ओ बेर-बेर कहैत रहला, “जखन मसीह अओताह, त ओ ठीके मे एहि मनुष्यक तुलनामे आओर बेसी चमत्कारीक चेन्ह प्रगट करएमे सक्षम नहि होएत!”32किछु फरिसीसब जे ओकरासबके यीशुके विषयमे एहि बातके कनफुसकी कहैत सुनलक। तखन ओसब आओर मुख्य पुजारीसब जे हुनका बंदी बनएबाक लेल मन्दिरक पहरदारसबके पठओलक।33किएकत ओसब एना कएलक, एहिदुआरे यीशु जे कहलक, “हम अहाँसंगे खाली किछु समय आओर रहब। शीघ्रे हम परमेश्वर लग वापस घुरि जाएब, जे हमरा पठौने अछि।34अहाँ हमरा खोजब, मुदा ताकि नहि सकब। जत हम होएब ओहि ठाम नहि आएब सकैत अछि।”35एहि दुआरे ओ यहूदी अगुवासब जे एक-दोसरस' पुछलक, “ई मनुष्य कत जा सकैत अछि जत हम ओकरा ताकि नहि सकैत छी? की ई सत्यके ओहि यहूदीसब लग जाएत जे इजराएलक बाहर पूरा दुनियांमे' पसरि गेल अछि? की ई ओतएके ओहि लोकसबके सेहो शिक्षा देत' जे यहूदी नहि अछि?36जखन ओसब कहलक की हम ओकरा खोजब, मुदा ताकि नहि सकब, आओर जत ओ होएत ओहि जगहपर हम नहि आबि सकब त' ओकर कहएके माने की छल?”37एखन खोपड़ीसबके पावनिके समापन आओर सबस बेसी महत्वपूर्ण दिनमे, यीशु मन्दिरक आंगनमे ठाढ़ भेल आओर जोरस बाजल। ओ कहलनि, “जे केओ पियासल अछि ओ हमरालग आउ आओर जे हम ओकरा देबै ओ पिबए! 38इएह अछि जे प्रवक्तासब जे पवित्र शास्त्रमे ओहि मनुष्यक विषयमे लिखल अछि जे हमरापर विश्वास करैत अछि: ‘ओ पानि जे सबदिनके जीवन प्रदान करैत अछि एहि मनुष्यक भितरस' बहुतायतस' बहत।’”39एखन यीशु जे ई पवित्र आत्माके विषयमे' कहने रहथि, जेकरा परमेश्वर ओकरा देबएलेल जा रहल छलाह जे सब यीशुपर विश्वास कएने रहथि। ओ एना एहिदुआरे कहलक किएकत ओहि समय धरि परमेश्वर जे पवित्र आत्मा नहि पठौने रहथि जे एहिमे वास करए जे सब हुनकापर विश्वास कएने रहथि, किएकत यीशुके एखन धरि हुनकर मृत्यु, पुनरुत्थान, आ स्वर्गमे' वापस आबए क कारणे आदर नहि भेटल छल। 40जे यीशु की कहने छलथिन जखन भीड़मेस' किछु लोकसब जे ई सुनलक, त' ओसब कहलक, “सांच्चे मे इएह ओ प्रवक्ता अछि जेकरा विषयमे' परमेश्वर जे कहने रहथि, जे ओ अओताह!”41भीड़मेस' किछु दोसर लोकसब जे कहलक, “ई त मसीह अछि!” किएकत, दोसरो जे जे सब भुलि स' सोंचने रहथि की यीशु जे गलीलमे जन्म लेने रहथि, कहलक, “मुदा सम्भवत मसीह गलील प्रान्तस' नहि आएब सकताह।42प्रवक्तासब जे पवित्र शास्त्रमे लिखने अछि जे मसीह दाऊदक वंशस' आबए के अछि आ हुनका बेतलेहम गामस' ऐबाक अछि, जत स' दाऊद आएल रहथि!” 43एहि प्रकारस' भीड़क लोक यीशु कारणे विरोध करएबला झुण्डसब मे विभाजित भ गेल।44भीड़मेस' किछु लोक हुनका बंदी बनएबाक चाहैत छल। ओनात, हुनका केओ नहि पकड़लक।45तेकरबाद मन्दिरक पहरदार सब, मुख्य पुजारीसब आ फरिसीसब लग चलि आएल, जे सब हुनकास' पुछलक, “अहाँसब ओकरा बंदी किएक नहि बनएलहुं आओर ओकरा एत ल' क' किएक नहि अएलहुं?”46मन्दिरक पहरदार सब जे उत्तर देलक, “केओ त कखनो एहन बात नहि कएने अछि जेना ई मनुष्य जे कएने अछि!”47किएकत पहरदार सब जे एना कहलक एहि दुआरे, फरिसीसब जे पुछलाक कारणे उत्तर देलक, “की एहन भ सकैत अछि जे ओ अहूंके बहका देने अछि?48निश्चिते त, हमरा सर्वोच्च शासकीय परिषदक सदस्यसब वा हम फरिसीसब मेस' केओ त' ओकरापर विश्वास नहि कएने अछि!49ओनात, लोकसबके जे ई भीड़ परमेश्वरक व्यवस्थाके नहि जनैत अछि, आओर परमेश्वर जे ओकरा सराप देने अछि!”50तखन निकोदेमुस कहलक। ओ ओएह मनुष्य छल जे पहिने यीशु लग हुनकास' बात करएलेल रातिमे आएल रहथि। ओ एहन कएने रहथि भलेहि ओ एगो फरिसी छल, जे की ओ समूह छल जे सब सामान्यतया पर यीशुक विरोध कएने रहथि। ओ ओहि यहूदी धार्मिक अगुवासबस' कहलक,51“हमरासबहक यहूदी व्यवस्था निश्चिते हमरासबके कोनो लोकके बात सुनने बिना आओर ओकरा कारणे कएल गेल काजसबके विषयमे जान बिना जे ओ की कएने अछि दोष लगाबएके अनुमति नहि दैत अछि।”52ओसब अपमानजनक तरीकास' ओकरा उत्तर देल, “निश्चिते, अहूं त' गलील प्रान्तस त' नहि छी! की अहाँ छी? पवित्र शास्त्र ध्यानस पढ़ि लिअ! यदि अहाँ एना करी, त' अहाँ देखबै जे गलीलस' केओ त' प्रवक्ता नहि अबैत अछि।”53[तखन ओ सबलोक चलि देलक आओर अपन अपन घरसबमे चलि गेल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.