John6
1ई बातसब भेला बाद, यीशु गलील झीलके दोसर दिस ओहिपार चलि गेल, जेकरा किछु लोक तिबिरियासक झील सेहो कहैत अछि।2एकटा नमहर भीड़ हुनका पाछु एहि दुआरे भ गेल किएकत ओसब ओहि चमत्कारीक काजसबके देखने रहए जेकरा ओ क' रहल छलाह, अर्थात्, ओहि लोकसबके नीक कएनाइ जे एकदम अस्वस्थ छल।3यीशु एकटा कनिके उंच पहाड़पर चढ़ि गेलाह आओर ओतए' अपन चेला संगे बैसि गेला।4आब ओहि समयमे यहूदीसबहक फसहके पावनि लगचिआएल रहए।5तखन यीशु जे आंखि उठाक देखलाह जे लोकक एकटा पैघ भीड़ हुनका दिस आबि रहल अछि। ओ फिलिपुसस' पुछलथि, “अपनासब एहि लोकसबके खिआएबलेल रोटी कतस' किन सकैत छी?”6ओ फिलिपुसस' ई प्रश्न एहि दुआरे पुछलथिन जे की ओकर विश्वासक जांचि सकी, किएकत यीशु पहिनेस' जनैत छल जे की ओ ओहि समस्याके' विषयमे' की कर जा रहल अछि।7फिलिपुस जे हुनका उत्तर देलक, “जं हमरालग एतेक रुपैया होअए जेकरा केओ व्यक्ति 200 दिन काज क कमा सकैत अछि, त' ओहो एहि भीड़क सब लोकके खएबाक लेल एको खंरा क' दिअ लेल रोटी किनबाक लेल भरपूर पाइ नहि होएत।” 8हुनकर एगो दोसर चेला, सिमोन पत्रुस भाइ अन्द्रेयास, यीशुस' कहलक,9“एत एकटा लड़का अछि जेकरालग जौअक पांचटा छोटका रोटी आओर दूटा छोटका माछ अछि। तथापि, ई कनिक रोटी आओर माछ एहि लोकसबके खिआएबलेल निश्चय पर्याप्त नहि होएत!”10यीशु जे अपन चेलासबस' कहलथि लोकसबके एकठाम क' क' बैसाउ। एनाक' क' लगभग 5,000 पुरुष बैसि गेल। ओतए ओहि जगहमे ओकरा बैसबाक लेल बहुते घास छल।11तखन यीशु ओहि जौअक छोटका रोटीसब क' लेलक, आओर ओकरासबहक भोजनक लेल परमेश्वरक धन्यवाद कएलखिन। फेरु ओ आओर हुनकर चेलासब जे ओहि लोकसबके खएबाक लेल रोटी देलक जे घासपर बैसल रहथि। ओहि तरहेंस' ओ दुनू माछक संगे ल क। लोकसब ओतेक माछ आओर रोटीसब खएलक जतेक ओ खाएलेल चाहैत छल।12जखन सबगोटे जे तखनधरि खएलक जखनधरि की ओ सन्तुष्टि नहि भ गेल, तहन यीशु जे अपन चेलासबस' सब उबरल जौअक रोटीके' टुकड़ासबके जमा करएलेल कहलक किएकत' ओहिमेस' किछु खराब नहि होअए।13एहि तरहेंस' हुनकर चेलासब जे ओहि टुकड़ासबके जमा लेलक, आओर ओसब ओहि टूटलहा टुकड़ा सबस' 12 नमहर छिटा भरि लेलक जेकरा लोकसब जे ओहि जौअक पांचटा छोटका रोटीमेस' जे बंचि गेल रहए।14एहि कारणे, जखन लोकसब जे एहि चमत्कारीक चेन्हक देखलक जेकरा यीशु जे ओकरा सामने कएने रहथि, त' ओसब कहलक, “सांच्चे ई ओएह प्रवक्ता अछि जेकरा दुनियांमे' पठब के परमेश्वर जे प्रतिज्ञा कएने रहथि!”15जखन यीशु जानि लेलक जे ई लोक एहि दुआरे हुनका पकड़बाक योजना बनबैत छलाह' जे की हुनका राजा बनबाक लेल हुनकापर जोर दए, त ओ फेरुस' ओकरा छोड़िक अपने एसगरे रहएलेल पहाड़पर चलि गेलाह'।16जखन सांझ भेल, त' यीशुक चेलासब पहाड़ी स' उतरिक' गलीलक झील लग चलि गेल।17ओ नावपर' चढ़ि गेल आओर झीलक दोसर दिस कफरनहूम नगर दिस जाएलेल पानि द क यात्रा शुरु कएलखिन। एखन पहिने पहिनहि अन्हार भ' गेल रहथि, आओर यीशु एखन धरि ओकरा लग नहि आएल रहथि।18किएकत हवा जोरस' होएत छल, जेकरास समुद्र बड़ अशान्त भ' रहल छल19यीशुक चेलासब नावक लगभग साढ़े चारि वा साढ़े पांच किलो मीटर दूर झीलमे खेबलक बाद, ओसब यीशुके पानिपर चलैत आओर नाव लग अबैत देखलक। ओ डेरा गेल!20यीशु ओकरासबके कहलथि, “हम यीशु छी! नहि डेराउ!”21ओ हुनका नावपर चढ़ाक बड़ आनन्दित भेल। जखन ओ ओकरासंगे नावमे चढ़ल, ओकर नाव ओहि जगह पहुंचल जत ओकरा जाहिके रहथि।22यीशु भीड़क खिअओलाक बाद दोसर दिन, लोकसबके भीड़के जे झीलक दोसर दिस रुकि गेल रहथि बुझागेल जे ओतए एकदिन पहिने खाली एकेटा नाव छल। हुनका इहो बुझागेल जे यीशु अपन चेला संगे नावपर नहि गेल रहथि।23दोसर नाव सब पर तिबिरियास गामक लोक आएल रहथि। ओसब अपन नाव सबके ओहि जगह लग छोड़ि देने रहथि जत प्रभु यीशु दिसस एहिदुआरे परमेश्वरक धन्यवाद कएलाक बाद भीड़ जे रोटी खएने रहथि।24एत जखन भीड़क जनलाक बाद जे ओतए नहि यीशु आओर नहि हुनकर चेला अछि, त ओ ओहि नावपर चढ़ि गेल आओर यीशुके खोजएलेल कफरनहूम गाम दिस जलयात्रा कएलक।25ओहि भीड़के यीशु कफरनहूममे गलीलक झीलक ओहि दिस भेटल जे ओकर दोसर दिसमे अछि जत ओ ओकरा भोजन करौने छल। ओसब हुनकास पुछलक, “हे गुरु, हम जनैत छी जे अहाँ कोनो नाव से त नहि आएल छी, त अहाँ एत कफरनहूममे कखन पहुंचलहुं?”26यीशु जे उत्तर देलथिन, “हम अहाँस सांच्चे कहैत छी जे अहाँ हमरा एहिदुआरे नहि खोजैत छी किएकत अहाँ जे ओहि चमत्कारीक काजसबके देखने रही जे हम कएने रही। मात्रे एकर, अहाँ हमरा मात्रे एहिदुआरे खोजैत छी किएकत अहाँ तखनधरि खएने रही जखनधरि जे अहाँ ओहि रोटीसब से सन्तुष्ट नहि भ गेल रही जे हम अहाँसबके देने रही।27एहन भोजनक लेल काज कएनाइ बंद करु जे तुरन्ते खराब भ जाएत! बल्कि एकर, एहन भोजनक लेल काज करु जे अहाँलेल स्वर्गमेस' अनन्त जीवन ल' क' अबैत! ओ भोजन एहन रोटी अछि जे हम, अर्थात् मनुष्यक पुत्र, अहाँके देब। खाली हमहीं अहाँ ई द सकैत छी किएकत परमेश्वर हमर पिता हमर अनुमोदनके छाप लगबैत छथि।”28तखन भीड़ जे यीशुस पुछलक, “परमेश्वरके खुश करबाक लेल हमरा केहन काजसब करबाक चाही?”29यीशु जे ओकरा उत्तर देलक, “जे काज परमेश्वर चाहैत अछि जे अहाँ करी ओ ई अछि:हमरापर विश्वास करु, एहिदुआरे ओहिपर जेकरा ओ पठौने अछि।”30भीड़ जे हुनकास पुछलक, “फेरु अहाँ केहन चमत्कार करब जे हम ओकरा देखक आओर अहाँपर विश्वास करु? अहाँ हमरालेल की करब31हमरासबके पूर्वजसब जंगलमे मन्ना खएलक जखन ओ मूसा संगे बौआइत रहथि छल, जेना की प्रवक्तासब शास्त्रमे जे लिखने अछि: ‘परमेश्वर जे ओकरा खाएलेल स्वर्गस' रोटी देलक।’” 32यीशु जे ओकरा उत्तर देलक, “हम अहाँके सांच्चे कहि रहल छी: ओ मूसा नहि रहथि जे अहाँसबहक पूर्वजसबके स्वर्गके ओ रोटी देने रहथि। नहि, ओ त हमर पिता छल, जे आब अहाँके स्वर्गके सत्य रोटी दैत अछि।33ई एहिदुआरे सांच अछि किएकत परमेश्वरक दिसस सांच रोटी स्वर्गस उतरल अछि आओर दुनियांके लोकसबके सबदिनके जीवन दैत अछि।”34भीड़क बुझि मे नहि आएल जे हुनका कहएके की माने छल, एहिदुआरे ओसब यीशुस पुछलक, “यौ मालिक, कृपया सदैव हमरा ओएह रोटी देल करु।”35यीशु ओहि भीड़स' कहलक, “जेना भोजन शारीरिक जीवनके बनाक रखैत अछि, हम ओ रोटी छी जे अनन्त जीवन दैत अछि। खएला-पिलाक बदला, जे केओ हमरापर विश्वास करैत अछि ओ निश्चिते सब दिनक लेल सन्तुष्ट होएत।36तथापि, हम अहाँके पहिनेस कहि देने छी जे ठीके मे अहाँ हमरा देखैत छी, अहाँ एखनो हमरापर विश्वास नहि करैत छी।37ओ सबलोक जिनका हमर पिता हमरा दैत अछि ओ अओताह आओर हमर चेला बनि जाएत, आओर हम निश्चिते ओहिमेस केकरो कखनो नहि निकालब।38हम एहन कहियो एहिदुआरे नहि करब किएकत हम स्वर्गस नीचा एहिदुआरे नहि आएल छी जे ओ करी जे हम चाहैत छी। मुदा एकर, हम नीचा एहिदुआरे आएल छी मुदा ओ करी जे हमर पिता, जे हमरा पठौने अछि, चाहैत अछि जे हम करी।39हमर पिता, जे हमरा पठौने अछि, ओ इएह चाहैत अछि: ओ हमरास चाहैत अछि ओहिसबके सुरक्षा करएलेल जेकरा ओ हमरा देने अछि। ओ इहो चाहैत अछि जे अन्तिम दिनमे एकरासबके हम फेरुस जीवित करबनि जखन हमरासबहक न्याय करबनि।40ई एहिदुआरे सांच अछि किएकत इहो अछि जे हमर पिता चाहैत अछि: आओर ओ चाहैत अछि की जे चिन्हैत अछि जे हम, अर्थात् पुत्र, के छी, आओर हमरा विश्वास करैत अछि जे ओ सबलोक हमरासंगे स्वर्गमे सदाके लेल जीविते रहताह। हम एकरासबके अन्तिम दिनक मे फेरुस जीवित क देब जखन हमरासबहक न्याय करबनि।”41तखन यहूदी लोकसबके अगुवासब जे यीशुक विषयमे कुड़बुड़नाइ शुरु क' देलक, किएकत ओ कहने रहथि जे ओ सांच रोटी ओएह अछि जे स्वर्गस आएल अछि।42ओसब एक-दोसर जे कहलक, “ई त मात्रे यूसुफके बेटा, यीशु अछि! हम जनैत छी जे हिनकर माय-बाबूके अछि। सम्भवत ओ स्वर्गस नहि आएब सकत जेना जे ओ दाबी करैत अछि!”43यीशु जे ओकरा उत्तर देलक, “हम एखन कहलहुं ओकरा विषयमे अपनेमे कुड़बुड़एब बंद करु।44खाली ओएह जेकरा हमर पिता, जे हमरा पठौने अछि, आबएलेल आओर हमर चेला बनएलेल प्रेरित करैत अछि एना करएमे सक्षम होएत अछि। हम अपने ओहि लोकसबके जे हमरालग अबैत अछि अन्तिम दिनमे फेरुस जीवित क देबै जखन हम सबहक न्याय करबनि।”45प्रवक्तासब जे लिखने रहथि जे परमेश्वर सबगोटेके शिक्षा देताह। सबगोटे जे हुनकर सुनैत अछि आओर हमर पितास सिखैत अछि ओ अओताह आओर हमर चेला बनत। 46हमरा छोड़ि केओ त परमेश्वर हमर पिताके नहि देखने अछि। हमहीं छी जे परमेश्वरस आएल छी। खाली हम पहिनहि हुनका देखने छी।47हम अहाँस सांच्चे कहि रहल छी: जे केओ हमरापर विश्वास करैत अछि ओ हमरासंगे स्वर्गमे सदाके लेल जीविते रहत।48ओ सांच रोटी हम पहिनहि छी जे सबदिनके जीवन भेट दैत अछि।49अहाँसबहक पूर्वजसब जे मूसाक संगे जंगलमे भटकैत छलाह मन्ना खएलक, मुदा तथापि ओ मरि गेला'।50मुदा ई रोटी जेकरा विषयमे हम कहि रहल छी स्वर्गस आएल अछि जे केओ ओकरा खा क आओर ओहि लोकक आत्मा कहियो नहि मरए'।51ई रोटी जे सबदिनके जीवन प्रदान करैत अछि आओर स्वर्गस आएल अछि सत्यमे हमहीं छी। जे केओ जे एहि रोटीके खाएत ओ हमरासंगे स्वर्गमे सब दिनक लेल जीविते रहताह। हमर देहे ई रोटी अछि। एहि दुनियांमे रहनिहार लोकसबलेल अनन्त जीवन खातिर हम अपन देहके त्याग कर' देबै।52तखन यहूदी अगुवासब जे एक-दोसरस बहस कएनाइ शुरु क देलक। ओसब कहलक, “ई मनुष्य वास्तवमे अपने देह हमरासबके नहि द' सकैत अछि जाहिस' हमसब ओकरा देहके खा सकी!”53एहिलेल यीशु जे ओकरा कहि देलथिन: “हम अहाँस सांच्चे कहि रहल छी: अहाँके हमर, अर्थात् मनुष्यक पुत्रक मासु खएबाक चाही, आओर हमर लेहू पीबाक चाही। जं अहाँ एहि काजसब क नहि करब, त अहाँके सबदिनके जीवन कहियो नहि भेटत।54जे केओ हमर मासु खाएत अछि आओर हमर लेहू पिऐत अछि ओ हमरासंगे स्वर्गमे सदाके लेल जीविते रहताह। हमहूं ओहि लोकके अन्तिम दिनमे फेरुस जीवित क' देबै जखन हम सबके न्याय करबनि।55एहन एहिलेल अछि किएकत हमर मासु सत्य आत्मिक भोजन एहि, आओर हमर लेहू सत्य आत्मिक पियबला एहि।56जे हमर मासु खाएत अछि आओर हमर लेहू पिएत अछि ओ हमरासंगे जुड़ल रहत, आओर हम ओकरासंगे जुड़ल रहब।57हमर पिता सबके जीवित रखैत अछि। ओएह जे हमरा एत पठौने छथि, आओर हम लोकसबके एहिदुआरे जीवित क सकैत छी किएकत ओ हमरा एहन करबाक लेल सक्षम कएने एहि। एहि तरहेंस, जे हमरास खाएत अछि ओ सबदिनके लेल ओहि कारणे जे हम ओकरालेल करबनि जीविते रहितए।58ओ रोटी हम पहिनहि छी जे स्वर्गस आएल छी। ई रोटी ओहि रोटीके जकां नहि अछि जेकरा इजराएली सबहक पूर्वजसब जे जंगलमे खएने रहितथि मुदा अन्तमे मरि गेल। जे केओ हमरा खाएत अछि — माने एहि रोटी — ओ हमरासंगे स्वर्गमे सबदिन लेल जीविते रहत।”59यीशु जे ई कथन यहूदी अगुवासबस' सभाघरमे कहने रहथि जाहि समय ओ कफरनहूम गाममे शिक्षा द रहल छलाह।60जे ओ कहने रहथि ओसब सुनलाकबाद, यीशुक बहुते चेलासब कहलक, “जे ओ सिखबैत अछि ओकरा स्वीकार कएनाइ दिक्कत अछि। सांचोमे, केओ हिनका स्वीकार नहि क' सकैत अछि!”61यद्यपि केओ हुनकास नहि कहलक, यीशु जनैत छल जे हुनकर चेलासब ओहिके विषयमे कुड़बुड़ाइत छल जे ओ कहने रहथि। एहिदुआरे ओ ओकरास पुछलक, “की हमर शिक्षास अहाँके चोट लगैत अछि?62जं एहि शिक्षास अहाँक चोट लागल, तहन जं अहाँ हमरा, अर्थात् मनुष्यक पुत्रके स्वर्गपर चढ़ैत देखब जत हम पहिने रही तखनो अहाँके चोट लागत? 63मात्र पवित्र आत्मा छथि जे केकरो सबदिनके जीवन द सकैत अछि। एहि विषयमे मनुष्यक व्यवहार अनुपयोगी अछि। जे बातसब हम अहाँके सिखएलहुं ओ पवित्र आत्मा दिसस' अछि आओर सबदिनके जीवन दैत अछि।64तथापि, अहाँमेस किछु लोक ओहि बातपर विश्वास नहि करैत जे हम कहने छी।” यीशु जे ई एहिदुआरे कहलक किएकत जाए समयस ओ अपन काज शुरु कएने रहथि तखने स ओ जनैत छलाह जे के हुनका विश्वास नहि करताह आओर के अन्तमे हुनका धोखा देत।65फेरु यीशु जे कहलक, “किएकत अहाँमेस किछु हमरापर विश्वास नहि करैत छी, हम अहाँके पहिने पहिनहि कहि देने रही जे जेकरा परमेश्वर पिता जे आबएलेल आओर हमर चेला बनएलेल क्षमता देने होएत खाली ओएह एहन करएमे सक्षम होएत।”66यीशुके एहि बातक कहलाक बाद, हुनकर बहुते चेलासब हुनकास भेटलाक पहिने जे ओ करी रहल छल ओएह करए लेल वापस चलि गेल आओर हुनकर चेला बनएस पाछु हटि गेल।67किएकत बहुते लोकसब हुनका छोड़ि देलक एहिदुआरे यीशु जे अपन बारहो चेलासबस पुछलक, “निश्चितरुपस अहाँसब हमरा छोड़ि नहि चाहैत छी, की एहन चाहैत छी?”68सिमोन पत्रुस जे उत्तर देलक, “हे प्रभु, जं हम अहाँके छोड़ि दी, त' एहन केओ त नहि अछि जेकरालग हम जा सकी! खाली एहि ओ सन्देश सिखबैत छी जे हमरासबके स्वर्गमे सदाके जीवन जिअएके अनुमति प्रदान करैत छी!69हम अहाँपर विश्वास करैत छी, आओर निश्चितरुपस' हम जनैत छी जे एहि ओ पवित्र लोक छी जे परमेश्वर दिसस स आएल छी!”70यीशु जे ओकरा उत्तर देलक, “सांच्चे मे हम अहाँ बारहो लोकसबके चुनने छी, मुदा अहाँमेस एगो शैतानक कब्जामे एहि!”71जखन यीशु जे ई कहलक त ओ सिमोन इस्करियोतीके पुत्र, यहूदाक विषयमे बात क रहल छलाह, किएकत बारहो चेला सबमेस ओएह एगो छल जे बादमे यीशुक धोखा देत।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.