John5

1एहि बातसबके बाद, यहूदीसबके एकटा आओर पावनिक समय आएल, आओर यीशु पावनि मनबएलेल उपर यरूशलेम गाममे चलि गेल।2यरूशलेममे ओतए एकटा जगह अछि जे भेंड़ नामक फाटक कहबैत अछि, जे गामक भितर जाएबला फाटकमे स एकटा छल। ओहि दरबाजाके लगमे एकटा कुण्ड छल जेकरा लोक इब्रानी भाषामे बैतहसदा कहैत अछि। ओहि कुण्डक आगुमे छतबला पांचटा असोरा अछि।3एहि असोरा सब पर बड़ लोकसब पड़ल रहथि छल। ओ एहन लोक छल जे बेमारी, देखएमे असमर्थ, चलएमे असमर्थ, आओर हिल डोल मे असमर्थ छल।4[ओ ओतए एहिदुआरे पड़ल रहैत अछि किएकत परमेश्वरक दिसस एकटा स्वर्गदूत कखनोकाल नीचा अबैत छल आओर पानिमे हिलकोरा उठा दैत छल। स्वर्गदूतके हिलकोरा उठएलक बाद पानिमे उतरएबला पहिन व्यक्ति जे केओ होइत छल, त चाहे ओकरा जे कोनो बेमारी वा कमजोरीस पीड़ित करैत होअए, त ओ नीक भ जाइत छल।]5बैतहसदा नामक कुण्डक लग एकटा मनुष्य पड़ल रहथि छल जे 38 वर्षस बेमारी छल।6यीशु जे एहि मनुष्यके कुण्ड लग पड़ल देखलक, आओर ओ जनैत छल जे ओ बहुत दिनस पड़ल अछि। ओ ओहि मनुष्यस पुछलक, “की अहाँ चाहैत छी जे अहाँ नीक भ' जाइ?”7ओ बेमारी मनुष्य हुनका उत्तर देलक, “यौ मालिक, हमरालग एहन कोनो नहि अछि जे जखन स्वर्गदूत पानिके हिलकोरा मारए त हमरा कुण्डमे उतारि सकए। जाहि समय धरि हम अपनेके कुण्डमे उतारि सकी, केओ दोसर पहिने पहिनहि कुण्डमे उतरिगेल आओर हमरास पहिने नीक भ गेल, एहिदुआरे हम नीक नहि भ सकलथि।”8यीशु ओकरास कहलक, “ठाढ़ होउ! अपन खाट उठाउ जाहिपर अहाँ ओंघराएल छी आओर चलू फिरु!”9तखन यीशु ओहि मनुष्यके तुरन्ते नीक देलक, आओर ओ मनुष्य जे ओहि खाट क उठालेलक। जाहिपर ओ सुतल छल आओर टहल-बुल लागल। आब ई यहूदीसब विश्राम-दिन पर घटित भेल छल जेकरा विश्राम-दिन क दिनक रुपमे जानल जाइत अछि।10किएकत यहूदीके विश्राम-दिन छल एहिदुआरे यहूदी अगुवासब जे ओहि मनुष्यस जेकरा यीशु नीक कएने रहथि कहलक, “आइ विश्राम-दिन अछि। तोरा आजुक दिन अपन खाट उठाबए उचित नहि अछि किएकत ई त काज अछि।”11ओ मनुष्य जिनका यीशु नीक कएने रहथि ओकरा उत्तर देलक, “जे मनुष्य हमरा नीक कएने छल ओएह हमरास कहलक जे एहि खाट के उठाउ जेकरापर हम सुतल छल आओर चलू फिरु।”12यहूदी अगुवासब ओकरास पुछलक, “के तोरास कहलकौ जे अपन खाट उठाक' चल बुल करएलेल?”13ओना त, ओ मनुष्य जेकरा यीशु जे नीक कएने रहथि ई नहि जनैत छल जे ओकरासबके नीक कएलक, किएकत यीशु जे बिना केकरो ध्यान देने ओहि मनुष्यके छोड़ि देने रहथि, किएकत ओ भीड़-भाड़बला जगह छल।14बादमे, यीशुके ओ मनुष्य परमेश्वरके भवनमे भेटल जेकरा ओ चंगा कएने रहथि आओर ओकरास कहलक, “देखू, आब अहाँ नीक भ' गेल छी! एकरा बाद पाप नहि करब, एहिदुआरे अहाँके संगे अहाँके पहिनुका बेमारीस बढ़िक बेसी खराब नहि होएत।”15ओ मनुष्य चलि गेल आओर यहूदी अगुवासबके कहि देलक की जे मनुष्य हमरा स्वस्थ कएलाह ओ यीशुए रहथि।16एहिदुआरे यहूदी अगुवासब जे यीशुके दुख देनाइ शुरु क' देलक किएकत ओ यहूदीसबके विश्राम-दिनमे लोकसबके चमत्कारीक रुपस नीक क' रहल छलाह।17यीशु ओकरा उत्तर देलक, “परमेश्वर, हमर पिता आइयो काज क' रहल छथि, एहिदुआरे हमहूं काज क' रहल छी।”18हुनका एहन कहलक परिणाम स्वरुप, यहूदी अगुवासब यीशुके मारबाक जतेक कोशिस ओसब पहिने कएने रहथि ओकर क बदलामे आओर बेसी कोशिस कर लागल। ओ हुनकर हत्या एहिदुआरे कर चाहैत छल किएकत ओ खाली ओकर विश्राम-दिनके नियमसबके अवज्ञा क रहल छल मुदा एहिदुआरे किएकत ओ ई कहएके कारणे की ओ परमेश्वरक बरोबरि अछि दाबी क रहल अछि की परमेश्वर हुनकर पिता जी छलथि।19एहि आरोप सबहक कएने यीशु जे यहूदी अगुवासबके उत्तर देलक, “हम अहाँ लोकसबस सांच्चे कहि रहल छी: हम, पुत्र, अपन अधिकारस किछु नहि क सकैत छी। हम खाली ओएह क सकैत छी जे हम देखैत छी जे परमेश्वर, पिता, क रहल अछि। जे किछुओ पिता करैत अछि, ओएह हमहूं, अर्थात् पुत्र, सेहो करैत अछि।20ई एहिदुआरे सांच अछि किएकत पिता हमरा, अर्थात् पुत्रस' प्रेम करैत अछि, आओर जे ओ क' रहल छथि ओ हमरा सबकिछु कहि दैत अछि। पिता हमरा ओहि चमत्कारीक काज सबके विषयमे सेहो कहि देत जे ओहि चमत्कारसब स बढ़िक होएत' जे हम पहिनेस कएने छी ताहि दुआरे अहाँ ओकरास विस्मित भ सकी।21एहन एहिदुआरे होएत किएकत हम, अर्थात् पुत्र, जे केकरो चाहैत छी सब दिनक जीवन दैत छी ओहि तरहेंस जेना पिता ओकरा फेरुस जीवित करैत अछि जे मरि गेल अछि आओर ओकरा फेरुस' जीवन दैत अछि।22ई एहिदुआरे सांच अछि किएकत पिता केकरो न्याय नहि करैत अछि। खाली एकर, ओ लोकसबके न्याय करएके सबटा अधिकार हमरा, अर्थात् पुत्रके द' देने अछि।23पिता जे एना एहिदुआरे कएलक जेकरास सब लोक हमर, अर्थात् पुत्रक, ओहि प्रकारस सम्मान करए जेना ओ पिताक सम्मान करैत अछि। जे केओ हमर सम्मान नहि करैत अछि ओ हमर पिताक सम्मान सेहो नहि क सकत, जे हमरा पठौने अछि।24हम अहाँ लोकसबस सांच्चे कहैत छी: जे केओ शिक्षासबके मानैत आओर ग्रहण करैत अछि आओर परमेश्वरपर जे हमरा पठौने विश्वास करैत अछि ओ हमरासंगे स्वर्गमे सदा जीवित रहत, आओर परमेश्वर ओकर न्याय दोषी जकां नहि करत। बल्कि एकर, ओ मनुष्य आत्मिकरुपस मारि गेलास आत्मिक रुपमे जीवित होअएलेल चलि गेल अछि।25हम अहाँसबस' सांच्चे कहि रहल छी: एक एहन समय आबि रहल अछि आओर, बल्कि, एत पहिनेस अछि जे एहि समय जे मरि गेल अछि ओ हमर कहल सुनत, एहिदुआरे परमेश्वर' पुत्रक कहल, आओर जे हमरा सुनैत अछि ओ जीवित।26ई एहिदुआरे सांच अछि किएकत जाहि प्रकारस' पिता लोकसबके जीवित करएमे सक्षम अछि, ओहि तरहेंस ओ हमरा, अर्थात् पुत्रके लोकसबके जीवित करएके योग्यता देने अछि।27पिता जे हमरा सम्पूर्ण मानव जातिके न्याय करएके अधिकार एहिदुआरे देने अछि, किएकत हम मनुष्यक पुत्र छी।28चकित नहि होउ जे परमेश्वर एना कएने अछि, किएकत एहन समय आओत' जखन सब लोक जे मरिक कबरमे अछि ओ हमर कहब के सुनत।29तखन ओ अपन कबरस' बाहर निकलि आएत। जे सब नीक काज कएने अछि परमेश्वर ओकरा जीवित करत की ओहिसबके सबदिन जीवन दए। मुदा जे सब खराब काज कएने अछि परमेश्वर ओकरा एहिदुआरे जीवित करत की ओ दोषी मानल जाए आओर ओकरा सबदिनके लेल दण्ड दए।30हम अपनेस किछु नहि क सकैत छी। जे हम अपन पितास सुनैत छी ओकरे अनुसार हम न्याय करैत छी, आओर हम न्यायसंगत तरीकास न्याय करैत छी। हम न्यायपूर्वक न्याय एहिदुआरे करैत छी किएकत हम ओकर करके कोशिस नहि करैत छी जे हम चाहैत छी। बल्कि एकर, हम ओएह करैत छी जे हमर पिता, जे हमरा पठौने अछि, चाहैत छी।31यदि हम अपने स्वयंके विषयमे गवाही दिअ लेल हम एसगरे व्यक्ति होअएब, त मूसाक व्यवस्थाके अनुसार हमर गवाही विश्वासयोग्य नहि होएत।32तथापि, केओ दोसर लोकसब अछि जे हमरा विषयमे गवाही दैत अछि, आओर हम जनैत छी की जे गवाही ओ हमरा विषयमे दैत अछि ओ विश्वासयोग्य अछि।33अहाँ यहूदी अगुवासब जे यूहन्ना बपतिस्मा दिअएबला लग सन्देशवाहक सबके भेजली, आओर ओ अहाँके हमरा विषयमे सांच गवाही देलक।34एहिदुआरे, हमरालेल गवाह बनएलेल हमरा कोनो लोकके जरुरति नहि अछि। तथापि, हम यूहन्ना बपतिस्मा दिअएबलाके विषयमे ई एहिदुआरे कहि रहल छी ताहिस परमेश्वर अहाँके उद्धार करैत।35यूहन्ना बपतिस्मा दिअएबला जरैत आओर चमकैत डिबियाके जकां अहाँपर परमेश्वरक सत्यके घोषणा कएलक। किछु समयक लेल अहाँ ओहि ज्योति मे आनन्द मनएबाक इच्छुक छलहुं जे ओ सांच छल जेकरा ओ घोषणा कएने छल।36एहिदुआरे, जे गवाही हम अपने विषयमे दैत छी ओ ओहि गवाहीस बढ़िक अछि जे यूहन्ना हमरा विषयमे दैत अछि। एहन एहिदुआरे अछि किएकत ई गवाही ओ चमत्कारीक काज अछि जेकरा करएलेल परमेश्वर पिता हमरा अनुमति देने अछि। ई काज जेकरा हम क रहल छी प्रमाण अछि जे पिता हमरा पठौने अछि।37एकरा बाद, हमर पिता जे हमरा पठौने अछि ओएह ओ लोक अछि जे सब हमरा विषयमे गवाही देने अछि। अहाँमेस केओ कखनो नहि त ओकरा बोलैत सुनने अछि वा देखने अछि की ओ केकरा जकां देखैत अछि।38अहूं त' पिताके शिक्षासबके पालन नहि करए छी। हम जनैत छी जे ई एहिदुआरे सांच अछि किएकत अहाँ हमरापर विश्वास नहि करैत छी, माने ओहि व्यक्तिपर जेकरा परमेश्वर पठौने अछि!39अहाँ सावधानीपूर्वक पवित्र शास्त्रक एहिदुआरे पढ़ैत छी किएकत अहाँ विश्वास करए छी जे ओहिके पढ़ला स अहाँ स्वर्गमे सदाके लेल जीविते रहके योग्य मानल जाएब। आओर इहे ओ पवित्र शास्त्र अछि जे गवाही दैत अछि जे हम के छी।40तथापि अहाँ हमर चेला बनएस एखनो अस्वीकार करैत छी जे अहाँ स्वर्गमे सबदिन लेल जीविते रहू।41हम मनुष्यस' आदर नहि ग्रहण करैत छी।42ओनात, हम जनैत छी जे अहाँ परमेश्वरस एकदम्मे प्रेम नहि करए छी।43हम अपन पिताके नामके अधिकारके संगे आएल छी, मुदा तथापि अहाँ हमरा स्वीकार नहि करैत छी। यदि केओ दोसर लोक अपने स्वयंके नामके अधिकारके संगे अहाँक लग आएत, त अहाँ ओकरा स्वीकार क लेबए।44अहाँ सम्भवत ओहि समय हमरापर भरोसा नहि क सकब जखन अहाँ एकमात्र परमेश्वरक संगे अहाँके सम्मान करएके इच्छा करएके बल्कि तों' एक-दोसरके सम्मान क रहल छल!45ई नहि सोंचू की हम ओएह छी जे अपन पिताक आगु अहाँपर दोष लगौता। मूसा, एगो एहन व्यक्ति जेकरापर अहाँक आशा अछि की ओ अहाँके बचाव करत, वास्तवमे ओएह ओ व्यक्ति अछि जे अहाँपर दोष लगाएत।46ओ अहाँपर एहिदुआरे दोष लगाएत किएकत अहाँ जे मूसापर विश्वास कएने होइतो', मुदा अहाँसब नहि कएलहुं, तखन अहाँ हमरापर एहिदुआरे विश्वास करब किएकत' मूसा शास्त्रमे हमरा विषयमे वर्णन कएने अछि। 47एहिदुआरे जे मूसा जे लिखलक तों ओकरो पर विश्वास नहि करैत छी, त सम्भवत अहाँ ओहिपर विश्वास नहि क सकैत जे हम अहाँस कहने छी!”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67