John4

1बादमे, फरिसीसब नामक धार्मिक समूह जे सुनलक की यूहन्ना बपतिस्मा देनिहारके तुलनामे यीशु त' चेला मे बहुते वृद्धि' रहल अछि आ ई की जतेक लोकसबके यूहन्ना बपतिस्मा द' रहल छलाह ओकर तुलनामे ओ बहुत लोकसबके बपतिस्मा द' रहल अछि। यीशु ओ के जनतब भ गेल की फरिसीसब सुनने अछि।2वास्तवमे यीशु जे किनको बपतिस्मा नहि देलक, मुदा हुनकर चेलासब लोकसबके बपतिस्मा द' रहल छलाह।3जखन हुनका जनतब भेल की फरिसी हुनका विषयमे बुझि गेल अछि, त' यीशु यहूदियाक प्रान्तके छोड़ि देलक आ एक बेर फेरुस' गलीलके प्रान्तमे घुरि आएल।4आब गलील प्रान्त जाएलेल हुनका सामरिया प्रान्तस' भ' क' जएबाक छल।5त' आगु, ओ सामरिया प्रान्तके सुखार नामके एगो नगरमे पहुंचलथि। सुखल जमीनक ओहि टुकड़ा लग छलथिन जेकरा याकूब जे बहुते समय पहिने अपन पुत्र यूसुफके देने रहथि।6याकूबके इनार ओहि जगहपर छल। सुखल पहुंचलाक बाद, अपन नमहर यात्रा क कारणे यीशु बहुत थाकि गेल छलथिन, एहिदुआरे विश्राम करबाक लेल ओ याकूबके इनार लग बैसि गेलाह। ई लगभग दुपहरके समय छल।7एगो सामरियाके स्त्री इनारपर चलि आएल जे उभनि आ डोलस' पानि भरि लए। यीशु जे ओकरास' कहलनि, “कृपया पिबएलेल हमरा कनिक पानि दिअ।”8ओ एना एहिदुआरे कहलनि किएक त' हुनकर चेलासब जे हुनका एसगरे छोड़ि देने रहथि आ भोजन किनबाक लेल नगरमे गेल छलाह।9आ ओ सामरी स्त्री यीशुस' कहलक, “हम चकित छी जे अहाँ, एगो यहूदी, हमरा, सामरी स्त्रीस', पानि पियाबलेल कहि रहल छी।” ओ एहन एहिदुआरे कहलक किएक की यहूदी लोक सामान्यतया सामरी सबस कोनो लेन-देन नहि रखैत छल। 10यीशु हुनका उत्तर देलथिन, “यदि अहाँ ओहि वरदानके जैनती जे परमेश्वर अहाँके दए चाहैत अछि, आ यदि अहाँ जैनती जे हम के छी जे अहाँस' पानि पियाबलेल विनती क' रहल अछि, त' अहाँ हमरास' पिबएलेल विनती करितहुं, आ हम अहाँके जीवनक जल दितहुं।”11ओ महिला उत्तर देलक, “यौ मालिक, अहाँ लग त' डोल सेहो नहि अछि जाहिस' इनारस' पानि भरिक बाहर निकालल जाएत अछि, आ ई इनार गहींर अछि। किएकत' अहाँ ई इनारस' पानि बाहर नहि निकालि सकैत छी, त' अहाँके ई जीवनक जल कत' स' भेटल?12निश्चय अहाँ हमरासबके पूर्वज याकूबस' नमहर नहि होएब। ओएह ई इनारके खनने आ ई हमरासबके दए देने अछि। ओ, आ हुनकर बेटासब, आ हुनकर मालजालसब एहिमे से पानि पीलक।”13यीशु ओकर उत्तर देलनि, “जे केओ जे एहि इनारस' पानि पिता ओ फेरुस' पियासल रहत।14मुदा जे केओ ओहि पानिके पिएत जे हम ओकरा देब फेरु कखनो पिआसल नहि रहत। बल्कि, जे पानि हम ओकरा देब ओ ओकरा भितर पानिक स्रोत बनि जाएत जे ओकरा भरपूर क' देत आ ओकरा स्वर्गमे सदाके लेल जीविते राखत।”15ओ स्त्री यीशुस' कहलनि, “यौ मालिक, कृपया एहि पानिमेस' कनिक हमरो दिअ जाहिस' हम फेरु कहियो पिआसल नहि रहि आ फेरुस' एहि इनारपर पानि भरएलेल आब नहि पड़ए।”16यीशु ओकरा कहलनि, “जाउ अपन घरबला के लग जाउ आ ओकरा एत ल' आउ।”17ओ स्त्री हुनका उत्तर देलथिन, “हमरा कोनो घरबला नहि अछि।” यीशु ओकरास' कहलक, “अहाँ ठीक कहली की हमर केओ घरबला नहि अछि,18किएकत' अहाँके एगो नहि, मुदा पांचटा घरबला छल, आ एखन एहि समयमे अहाँ जेकरा संगे रही रहल छी ओहो अहाँके घरबला नहि अछि। जे अहाँ घरबला नहि अछि कहली जे ओ सत्य अछि।”
19ओ स्त्री यीशुस' कहलनि, “मालिक, हमरालग जे अहाँ कोनो प्रवक्ता छी।20हमर पूर्वजसब जे एत पहाड़पर परमेश्वरक आराधना कएने रहए, मुदा अहाँ यहूदी कहैत छी जे की हमरासबके यरूशलेममे अहाँक मन्दिरमे परमेश्वरक आराधना करबाक चाही।” 
21यीशु ओकरास' कहलक, “ऐ बहिन, जखन हम कहैत छी की एहन समय अबैत अछि जखन नहि त' एहि पहाड़पर आ नहि त' यरूशलेममे अहाँ परमेश्वर पिताके आराधना क' सकब अहाँ विश्वास करु।22एत' सामरियामे अहाँ सामरीसब ओहि परमेश्वरक आराधना करैत छी जिनका अहाँ नहि जनैत छी। हम यहूदीसब ओहि परमेश्वरक आराधना करैत छी जिनका हम जनैत छी। ई एहिदुआरे सत्य अछि किएक की अहाँके पापस' उद्धार पाबएलेल रस्ता यहूदीए मे स' अबैत अछि। 23तथापि, एहन समय अबैत अछि आ एखन आबि गेल अछि जखन जे लोक परमेश्वरक सांच आराधना करैत अछि ओ पिताके आराधना आत्मिकरुपस' आ सांच तरीकास' करत। एहन एहिदुआरे अछि किएक की अपन आराधनाके लेल पिता सत्यमे एहने लोकके अहेरमे अछि।24परमेश्वर एगो आत्मिक अस्तित्व अछि, आ जे हुनकर आराधना करैत अछि ओकरा हुनकर आराधना आत्मिकरुपस' आ सत्यमे करबाक चाही।”25ओ स्त्री यीशुस' कहलखिन, “हम जनैत छी जे मसीह आबएबला अछि। ओहे जिनका यूनानीमे ‘ख्रीस्ट’ कहैत अछि। जखन ओ अओताह, त' ओ हमरासबके सब बात कहि देत जे हमरासबके जानब आवश्यक अछि।”26यीशु ओकरास' कहलथि, “हम, जे अहाँस' एखन बात क' रहल छी, हमहीं मसीह छी!”27ओहि समय, हुनकर चेलासब गाममे स' वापस आबि गेल। ओ विस्मित छलाह किएक की यीशु एसगरे कोनो स्त्रीस' बात क' रहल छलाह जिनका ओ जनितो नहि छलाह। एहिदुआरे, केओ हुनकास' पुछबाक साहस नहि कएलनि की “अहाँ ओकरास' की चाहैत छी?” वा “अहाँ ओकरास' बात किएक क' रहल छलहुं?”28ओहि समय ओ स्त्री जे अपन पानिक घैलाके ओतए छोड़ि देलक आ गाममे घुरिगेल। ओ गामक पुरुषसबके कहलक,29“आउ आ ई व्यक्तिस' भेट करु जे हमरा बहुते एहन बातसब बतएलक जे सब हम कएने रही! ई मसीह त' नहि भ' सकैत अछि, की ई भ' सकैत अछि?”30ओ लोकसब गामके छोड़ि देलक आ यीशु लग आएल31जाहि समय ओ स्त्री गेल छलीह, यीशुके चेलासब जे, एखन तुरन्ते भोजन ल क' आएल रहए, हुनकास' खएबाक लेल विनती कएलक। ओसब कहलक, “हे गुरु, कृपया किछु खा लिअ!”32यीशु ओकरास' कहलनि, “हमरालग एहन भोजन अछि जाहि विषयमे अहाँ किछु नहि जनैत छी!”33एहिदुआरे चेलासब एक-दोसरस' कहए' लागल, “ठीके मे केओ दोसर लोक हुनका खाएलेल किछु नहि लएने अछि, की ओ लएने अछि?”34यीशु ओकरास' कहलथि, “जे हमर भोजन ई अछि: हम हमरा पठौनिहार परमेश्वरके इच्छा पूरा करी आ हुनकर काज पूरा करी।35वर्षक एहि समयमे एनाहिए अहाँ कहैत छी, ‘एखन त' चारि महिना बांकी अछि, आ फेरु हम फसलके कटनी करब।’ जे हम अहाँस कहि रहल छी ओकरा सुनू। देखू आ ध्यान दिअ की ई लोकसब एहन खेतक जकां अछि जे आब कटबाक लेल तैयार अछि!36जे एहि फसलसबके कटैत अछि ओ मजदूरी पबैति अछि आ फल जमा करैत अछि, ई एहन लोक अछि जे स्वर्गमे सदाके जीवन पबैत अछि। ओ जे बिआ छिटैत अछि आ ओ जे कटैत अछि ओकरालेल एकर परिणाम ई होएत जे ओ मिलजुलि क' आनन्द मनाओत।37जे हम कहए जा रहल छी ओ सत्य अछि: एगो लोक बिआसब के छिटैत अछि, आ दोसर लोक फसलसबके कटैत अछि। 38हम अहाँसबके जे हमर चेला छी एगो एहन फसलके कटनीके लेल पठौने छी जेकरा अहाँ नहि लगएने रहि। दोसरसब जे फसल लगाबमे बड़ मेहनति कएलनि, मुदा आब अहूं ओकरासंगे ओकर काजमे लागि गेल छी।”39आब बहुते सामरियाके सुखल गाममे रहैत छलाह जे ओ सामरी स्त्री जे हुनका गवाही देने छलीह जेकरा कारणे यीशुपर विश्वास कएलक। ओ कहलक, “ओ हमरा एहन बहुते बात बतएलक जे हम कएने रहि।”40जखन सामरियाके लोक यीशुक लग आएल, त' ओसब अपनेसंगे रुक लेल हुनकास आग्रह कएलक। ओतए ओ ओतए ओकरासंगे दु दिनके लेल आओर रुकि गेल।41ओहिमेस' बहुते लोक जे यीशुपर ओहि बातक कारणे विश्वास कएलक जेकरा ओ ओकरापर घोषणा कएने रहथि।42ओहि गामक लोकसब ओहि स्त्रीस कहलक, “आब हमहूं यीशुपर विश्वास करैत छी, मुदा ओहि बातक कारणे नहि जे अहाँ हमरासबके हुनका विषयमे बतएने छलहुं। हम विश्वास एहिदुआरे करैत छी किएकत हम अपनेस हुनकर सन्देश सुनि लेने छी। आब हम जनैत छी की सांचोमे इएह ओ व्यक्ति अछि जे एहि दुनियांके सांच्चे उद्धारकर्ता अछि जे पापसबस बचबैत अछि।”43सामरीसबके साथे दू दिन धरि रुकलाके बाद, यीशु जे सूखार नगरके छोड़िक' गलील प्रान्तमे प्रवेश कएलखिन।44यीशु गलीलमे एहिदुआरे जाए चाहैत छल किएकत ओ अपनेस पुष्टि कएने रहथि जे प्रवक्ता ओहि जगह आदर नहि पबैत अछि जत ओ पालल पोसल गेल होइक आ ओ प्रसिद्धिके इच्छा नहि कएने होइक।45एहिदुआरे ई सांच अछि, जखन ओ गलील प्रान्तमे पहुंचल त ओतएके बहुत गलीलवासीसब सामान्य रुपस हुनकर स्वागत कएलक किएकत ओसब ओहि सब अद्भुत काजसबके देखने रहथि जेकरा ओसब ओहि समयके फसहके पावनिमे यरूशलेममे कएने रहथि, जाहिमे ओहोसब गेल रहथि।46आगु, गलील प्रान्तके काना नगरमे यीशु फेरुस' वापस चलि गेल। इहे ओ गाम छल जत ओ पानिके दाखरसमे बदलने रहथि। ओतए एगो सरकारी अधिकारी रहथि जे कफरनहूम गाम लग रहथि छल आओर ओकर एगो बेटा छल जे बड़ अस्‍वस्‍थ छल।47जखन ओ अधिकारी सुनलक जे यीशु यहूदियास गलीलमे वापस आबि गेल अछि, त ओ काना मे यीशु लग आएल आओर हुनकास नीचा कफरनहूममे आबएलेल आओर ओकर बेटाके नीक चंगा करबाक लेल आग्रह कएलक, किएकत तुरन्ते ओकर बेटा मरि जाएत।48तहन यीशु जे ओकरास कहलक, “अहाँसब मसीहक रुपमे हमरापर तखने विश्वास करब जखन अहाँ चेन्ह आ चमत्कार करैत हमरा देखब!”49ओ सरकारी अधिकारी जे हुनकास कहलक, “यौ मालिक, कृपया हमर बेटाके मरएस पहिने नीचा कफरनहूममे हमर घर आउ!”50यीशु ओकरास' कहलक, “घर जाउ। अहाँके बेटा जीविते रहत।” ओ व्यक्ति जे ओहि बातपर विश्वास कएलक जे यीशु ओकरास कहने रहथि, आ ओ वापस घर जाएलेल चलि लागल।51जखन ओ अधिकारी कफरनहूमस' होइत अपन घर दिश यात्रा क' रहल छलाह, त' सड़के पर ओकर नोकर ओकरा आबि भेटल। ओ ओकरा कहलक, “अहाँके बच्चा जीविते रहबला अछि।”52ओ अपन नोकरस' पुछलक, “कोन समयपर हमर बेटा नीक होअए लागल रहए?” ओ हुनका उत्तर देलक, “काल्हि दुपहरके एक बजेमे ओकर बोखार उतरिगेल रहए।”53आ ओहि लड़काके पिता जानि लेलक जे ओकर बेटाके ओहि समय ठीक भेल छल जखन यीशु ओकरास कहने रहथि की अहाँके बेटा जीविते रहत। एहिदुआरे ई व्यक्ति जे, जतेक ओकरा घरमे रहथि छल ओ सबहक संगे, यीशुपर विश्वास कएलक।54ओ दोसर नमहर चमत्कार छल जे यीशु मसीह कएलखिन। एकरा ओ ओहि समय क क्रममे कएलक जखन ओ यहूदिया प्रान्तके छोड़लाके बाद गलीलक प्रान्तमे आएल रहथि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67