John3
1आब ओतहि निकोदेमुस नामक एकटा यहूदी धार्मिक अगुवा रहथि। ओ फरिसी नामक एगो कट्टर यहूदी धार्मिक समूहक सदस्य रहथि। ओ यहूदी शासकीय परिषदक सदस्य सेहो रहथि।2ओ एक राति यीशु लग आएल। ओ यीशुस' कहलनि, “हे गुरु, हम जनैत छी जे अहाँ एहन गुरु छी जे परमेश्वर भरस' आएल छी। हम ई एहिदुआरे जनैत छी किएकत' कोनो लोक एहन चमत्कारसब, जे अहाँक' रहल छी तखनधरि नहि क' सकैत अछि जखनधरि परमेश्वर हुनकर मदति नहि क' रहल होनि।”3यीशु जे निकोदेमुसके उत्तर देलथिन आ कहलथि, “हम अहाँस' सत्य कहैत छी: फेरुस' जन्म लेने बिना केओ घुसि नहि सकैत अछि जत' परमेश्वर राज्य करैत छथि।”4तखन निकोदेमुस हुनकास' कहलनि, “जखन केओ व्यक्ति बूढ़ भ' जाएत त' कोना फेरुस' जन्मल' सकैत अछि? आ कोना लोक अपन मायक गर्भमे घुसिक' दोसर बेर जन्म नहि ल' सकैत अछि!”5यीशु जे उत्तर देलथिन, “हम अहाँस' सांच्चे कहैत छी: जे कोनो लोक ओहि जगहमे घुसि नहि सकैत अछि जत' परमेश्वर राज्य करैत अछि जखनधरि ओ पानि आ आत्मास' दोहराक' नहि जनमए।6यदि कोनो मनुष्य कोनो व्यक्तिके जन्म दैत अछि, त' ओ व्यक्ति त' एकटा मनुष्ये होइत अछि। मुदा जे परमेश्वरक आत्माके काजस' फेरुस' जन्म लैत अछि ओ एगो नव आत्मिक प्रकृतिके पबैत अछि जेकर शुरुआत परमेश्वर ओकरे भितर करैत अछि।7एहिदुआरे अकचकाउ नहि किएकत' हम अहाँके कहए छी जे अहाँके फेरुस' जन्म लेब' निश्चय अछि।8पवित्र आत्मा हवा जकां अछि जे जत कतौ बहए चाहैत अछि ओमहरे बहैत अछि। मुदा अहाँ हवाके ध्वनि के सुनि त' सकैत अछि, मुदा अहाँ जनैत नहि छी हवा कतस' आएल आ' कत जा रहल अछि। जेना अहाँ एहि बातके नहि बुझए छी, ओहिना अहाँ ओहि सबलोकके तथापि नहि बुझति छी जे परमेश्वरक, आत्माके काजके जकां फेरुस' जन्म लेने अछि।” 9निकोदेमुस जे हुनका पुछलक, “ई कोना सम्भव अछि?”10यीशु हुनका उत्तर देलनि, “अहाँ इजराएली सबहक माध्यमे एकटा महत्वपूर्ण धार्मिक गुरु छी, तएं जे हम कहैत छी ओ अहाँके बुझि जएबाक चाही!11हम अहाँके सांच्चे कहैत छी: हमर चेला आ हम ओएह बात कहब जे जनैत छी आ सत्य सेहो अछि, आ हम अहाँस' ओएह बात कहि रहल छी जे हम देखने छी। तथापि अहाँसब जेकरास' हम एहि बात गवाही कहैत छी ओहिके अस्वीकार करैत छी जे हम कहि रहल छी।12ओना जखन हम ओहि बातके विषयमे बतबैत छी जे एहि पृथ्वीपर घटित होइत अछि। तखन जे हम कहैत छी अहाँसब ओहिपर विश्वास नहि करैत छी, त' जखन हम अहाँसबके ओहि बातक विषयमे बताएब जे स्वर्गमे घटित होइत अछि तखन हम जे कहैत छी अहाँसब निश्चितरुपस' ओहिपर विश्वास नहि करब! 13हम, मनुष्यक पुत्र, जे एकमात्र ओ मनुष्य छी जे स्वर्ग धरि गेल छी, आ हमहीं एकमात्र ओ मनुष्य छी जे स्वर्गस' नीचा पृथ्वीपर आएल छी,14बहुत दिन पहिने, जखन इजराएली लोकसब जंगलमे भटैक रहल छल, मूसा जे एकटा खुटापर बिखधर सांपके पितरिके आकृतिमे उपर चढ़एने छलाह, आ जतेक ओहिपर तकलथि ओ सांपस' बंचि गेलथि। ओहि तरीकास', लोकसबके हमरा, मनुष्यक पुत्रके सेहो उच्च क्रूसपर चढ़नाइ अवश्य अछि। 15ओसब हमरा उपर चढ़ा देत जाहिस' जे केओ उपर देखए आ हमरापर विश्वास करए ओ स्वर्गमे हमरासंगे सदा जीवित रहत।16ई एहि दुआरे अछि किएकत' परमेश्वर जे संसारक लोकसबस' एनाक' प्रेम कएलनि, एहि दुआरे ओ अपन अद्वितीय पुत्रके द' देलथिन जाहिस' केओगोटे हुनकर पुत्रपर विश्वास करैत अछि ओ मरत नहि मुदा सदाके लेल जीविते रहत।17ई एहि दुआरे सत्य अछि किएकत' परमेश्वर जे हमरा, अर्थात् अपन पुत्रके, संसारमे एहि दुआरे नहि भेजलथि जे संसारक लोकसबके दोषी मानथि। बल्कि परमेश्वर हमरा एहिदुआरे भेजलथि जाहिस' संसारके लोकसबके हमराद्वारा बचाओल जा' सकए।18परमेश्वर कोनो लोकके ओना दोषी नहि ठहरौता जे हुनकर पुत्रपर विश्वास करैत अछि। परन्च परमेश्वर जे ओकरासबके पहिनेस' दोषी मानि लेने अछि जे हुनकर पुत्रपर विश्वास नहि करैत अछि, किएकत' ओसब परमेश्वरक अद्वितीय पुत्रक नामपर विश्वास नहि करैत अछि।19आब परमेश्वरक न्यायिक शासन निम्न प्रकारस' अछि: ओ जे ज्योति अछि ओ संसारमे प्रवेश कएलनि, परन्च लोकसब हुनका बदला अधलाहस' प्रेम कएलनि, किएकत' ओ दुष्टकाज करैत अछि।20ओ अन्हारस' एहि दुआरे प्रेम करैत अछि किएकत' ओसब व्यक्ति जे बेर-बेर अधलाह काज करैत रहैत अछि हुनकास, घृणा करैत अछि जे ज्योति अछि आ कहियो हुनकालग नहि अओताह। ओ ज्योति स' बंचित अछि तएं दुआरे ज्योति ओहि काजसबके उजागर नहि क' दिअए जे ओ करैत अछि।21परन्च ओ व्यक्ति जे बेर-बेर सत्य काजसब करैत रहैत अछि ओ हुनकालग अबैत अछि जे ज्योति अछि जाहिस' ज्योति सबके ई देखबए जे ओ करैत रहैत अछि आ जेकरास' सबलोक जानि जाए जे ओ काजसबके करएमे परमेश्वर हुनकर मदतिक' रहल छथि।”22ओहि बातके घटलाक बाद, यीशु आ हुनकर चेलासब यहूदिया प्रान्तमे गेलथि। ओ अपन चेलासबसंगे ओतए किछु समय धरि रुकल रहलाह आ बहुते लोकसबके बपतिस्मा देलथिन।23यूहन्ना बपतिस्मा दिअएबला सेहो लोकसबके ऐनोन नगर लग बपतिस्मा द' रहल छलथि, जे सामरियाके प्रान्तके शालीम नगर लग स्थित अछि। ओ ओतए लोकसबके एहिदुआरे बपतिस्मा द' रहल छलाह किएकत' ओहि ठाम ओहि जगहमे बहुत पानि छल आ बपतिस्मा लेबएलेल लोक यूहन्ना लग अबिते जा रहल छल।24यूहन्ना एना एहिदुआरे क' सकलाह किएकत' यूहन्नाके दुश्मनसब जे एखनधरि ओकरा जहलमे नहि धएने छल।25फेरु यूहन्नाके किछु चेलासब एगो यहूदीसंगे यहूदीके धार्मिक शुद्धिकरणके नियमक विषयमे बहस कर' लागल।26जे बहस क' रहल छल से यूहन्नाके किछु चेलासब बपतिस्मा देबएबला यूहन्ना लग आएल आ कहलक, “हे गुरु, ओतए एकटा लोक छल जे अहाँके संग ओहि समय छल जखन अहाँ लोकसबके यरदन नदीके ओहिपार बपतिस्मा द' रहल रही। अहाँ गवाही देने रही जे ओ के छल। देखू! आब ओहो लोकसबके बपतिस्मा द' रहल अछि, आ बहुते लोकसब निकलिक' हुनकालग जा रहल अछि!”27यूहन्ना उत्तर देलक, “केओ तखनधरि किछुओ ग्रहण नहि क' सकत जखनधरि स्वर्गके परमेश्वर जे ओ हुनका नहि देथि।28निश्चिते अहाँ हमर ई कथनके गवाह छी जे हम मसीह नहि छी, मुदा हम ओ छी जेकरा परमेश्वर मसीहक आगु पठौने छथि। 29कनियां त' वरेके होइत अछि। हम वरके मित्र जकां छी। हम ठाढ़ भ' क' हुनकरे सुनए छी आ हम बड़ प्रसन्न छी किएकत' हम वरके कहब सुनैत छी। एहिदुआरे, किएकत' कनियां वर लग जा रहल अछि, हम बड़ आनन्दित छी।30यीशु, जे वर छथि, अधिक प्रभावशाली बनबाक अछि, आ हमरा जे वरके मित्र छी, कम प्रभावशाली बनबाक अछि।31यीशु स्वर्गस' आएल छथि, आ ओ सबलोक आ सब किछुस' पैघ छथि। हमरा जकां जे पृथ्वीपरके छथि ओएहटा कोनो एहन लोकके सीमित दृष्टिकोणस' कहि सकैत अछि जे पृथ्वीके अछि। जे स्वर्गस' आएल छथि ओ पृथ्वीक सबलोक नीकस' आ ओसब किछुओस' पैघ छथि।32यीशु लोकसबके ओहि बातसबके विषयमे बतबैत अछि जे ओ स्वर्गमे देखने आ सुनने छथि, मुदा जे ओ बतबैत अछि ओहि गवाहीके किछुए लोक ग्रहण करैत अछि।33ओना त', जे यीशु कहैत छथि ओहि गवाहीपर जे केओ विश्वास करैत अछि ओ ई मोहर लगा दैत अछि जे परमेश्वर सत्य छथि।34एना एहिदुआरे अछि किएकत' ई यीशु जिनका परमेश्वर पठौने छन्हि परमेश्वरक बातके कहैत अछि। हम जनैत छी जे ओ परमेश्वरक बातके कहैत अछि किएकत' वास्तवमे परमेश्वर हुनका अपन आत्मा असीमित रुपस' दैत छथि।35परमेश्वर पिता पुत्रस' प्रेम करैत अछि आ हुनकासब किछुओ पर अधिकार देने छथि।36जे केओ परमेश्वरक पुत्रपर विश्वास करैत अछि ओ हुनकरे संगे स्वर्गमे सर्वदा जीवित रहत। जे केओ परमेश्वरक पुत्रके आज्ञाक पालन नहि करत ओकरा कहियो अनन्त जीवन प्राप्त नहि होएतै। ओतहि, परमेश्वर ओकरासंगे सदिखन क्रोधित बनल रहताह।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.