John2
1दू दिनके उपरान्त, गलील प्रान्तके काना नगर अछि, ओतए एकगोटेके विवाह रहैक आ यीशुके माय ओतहि रहथिन। 2आ ओहिमे यीशु आ हुनकर चेलासब ओहि विवाहमे निमन्त्रित रहथि।3जे अतिथिसब ओहि विवाहमे आएल रहथि, हुनकासबके दाखमद्य पिब' लेल देल गेलनि आ ओसब ओ दाखमद्य पीबि गेलथि। एहिपर यीशुके माय हुनका कहलकनि, “ओकरा लगके सब दाखमद्य समाप्त भ' गेलैक अछि। हे, अहाँ एहिलेल किछु करियौ।” 4तखन यीशु हुनका कहलक, “माय, हिनका हमरा आ अहाँस' की लागि भागि अछि? हमर ओ चुनल समयक अपन सेवाके शुरु करु से एखन नहि आएल अछि।”5एहिपर यीशुक माय सेवकसबस' कहलथि, “जे किछु ओ अहाँके करएलेल कहथि ओएह कएल करु।”6ओतए पत्थलक बढ़का बढ़का खाली बर्तन राखल छल, आ ओहिमेस' लोकसब यहूदीके धार्मिक शुद्धिकरणके नियमक अनुसार स्वयंके शुद्ध कएल करथि। ओहि सबटा बर्तनमे 80 स' ल' क' 120 लीटर धरि पानि अंटि सकैत छल।7यीशु सेवकसबके अढ़ओलथिन, “मटकामे पानि भरि दिऔ।” ओत' ओसब सबहे बर्तनमे मुहा-मुही उमटाम पानि भरि देलकऐ।8फेरु ओ ओकरासबस' कहलथि, “आब, कोनो छोटक बर्तनमे ल' क' कनिक पानि निकालि ओकरा विवाह क भोजक अगुवा लग ल' क' जाक' दिऔ।” तएं, सेवकसब ओहिना कएलक।9जखन विवाह क भोजक अगुवासब पानि चिखलक, जे ओ पानि दाखमद्य बनि गेल छल। ओसब नहि जानए जे ई दाखमद्य कत' स' आएल अछि, मुदा सेवकसब ई जनैत छल, जे सब पानि निकालने रहए। आ ओसब वरके अपने लग बजौलकनि।10फेरु वरस' कहलथि, “सब केओमे पहिने नीक दाखमद्य परसति अछि आ जखन पाहुन निसामे धुत्त भ' जाइत अछि, ओकरा बाद, कमसल दाखमद्य परसति अछि, आ परेखि नहि सकैत अछि। मुदा, अहाँ नीक दाखमद्यके एखनधरि बचा रखनहि छी!”11ओ ओहि चमत्कारीक चेन्ह सबमेस' पहिन चेन्ह छल जे यीशु अपन महिमा प्रगट कएने रहथि। जे ओ काना नगरमे कएने रहथि जे गलील प्रान्तमे स्थित अछि। ओतए' ओ प्रचारीत कएलथि जे ओ कतेक महान छथि। तएं हुनकर चेलासब हुनकापर विश्वास कएलकनि।12एहि चमत्कारके काना नगरमे कएलाक किछुकाल बाद, यीशु आ हुनकर माय आ हुनकर भाइ, हुनकर चेलासबके संगे, कफरनहूम नगरके नीचा चलि गेलाह। आ ओ किछु दिनके लेल ओतए ठहरल रहथि।13आब ओत' यहूदी फसहके पावनि मनएबाक समय आबि रहल छल, एहि दुआरे यीशु यरूशलेम नगरमे गेलाह। 14ओत' मन्दिरके आंगनमे ओ ओतए बलिदान चढ़ाबएबलाके बैल, भेंड़, आ पेड़ुकी बेचएबला व्यापारी लोकसबके देखलनि। ओ मन्दिरके रुपैयास' रुपैया फेर-बदल करएबला लोकसबके मेज लगाक' बैसल सेहो देखलनि।15एहिदुआरे यीशु लटबला किछु चमड़ाक पट्टीस' एगो चाबुक बनएलनि, आ ओ ओहि लोकसबके बैल भेंड़ासब सहित मन्दिरस' बाहर निकलबाबएके लेल ओकर उपयोग कएलथि। ओ रुपैया फेर-बदल करएबलाके सिक्कासबके सेहो जमीनपर छिट देलथिन आ ओकर मेजके उनटा देलनि।16जे पेड़ुकी बेच रहल छल ओकरास' कहलथि, “एहि पड़बाके एतस' बाहर ल' जाउ! हमर पिताक घरके बजारमे परिवर्तित नहि करु!”17एहि घटनास' हुनकर चेलासबके ओहि विषयमे मोन पड़लनि जे केओ बहुत समय पहिने पवित्र शास्त्रमे लिखने छलनि, “हे परमेश्वर, हम अहाँके मन्दिरके लेल उत्साही भ' क' एतेक प्रेम करैत छी, जे एकरालेल मरियो सकैत छी।” 18तखन यहूदीक अगुवासब यीशुस' प्रश्न करैत प्रतिक्रिया देलक, “अहाँ हमरालेल केहन चमत्कार क' सकैत छी से की साबित कर' चाहैत छी। की अहाँ लग एहि काजसबके करएके परमेश्वरक दिसस' अधिकार अछि, जेकरा अहाँक' रहल छी?”19एहिपर यीशु ओकरा उत्तर देलथिन, “यदि अहाँ एहि मन्दिरके तोड़ि दिअ, आ हम तीने दिनमे एकरा फेरुस निर्माण क' देब।”20त' यहूदी अगुवासब कहलकनि, “एहि मन्दिरके निर्माण होअएमे 46 वर्ष लागल छल। की अहाँ ई कहैत छी जे अहाँ एहि सौंसे मन्दिरके मात्रे तीने दिनमे फेरुस निर्माण क' सकैत छिऐ?”21जेना, जाहि मन्दिरक विषयमे यीशु कहैत छलाह ओ हुनकर अपन देह छल, नहि की मन्दिरक भवन22एहि कहबके परिणाम स्वरुप, हुनकर चेलासब एहि बातके स्मरण कएलनि जे ओ परमेश्वरके द्वारा यीशुके, मरलमेस' जीवि उठलाक' बाद कहने रहथि। तखन ओसब जे पवित्र शास्त्र कहैत छल आ जे अपने यीशु कहने रहथि, दुनूपर विश्वास कएलनि।23पछाति, जखन फसहके पावनि मनएबाक समय यीशु यरूशलेममे छलथि, त' पर्वके दिन सबके क्रमश बहुते लोकसब हुनका नामपर विश्वास कएलक किएकत' ओसब ओहि चेन्हसबके जे ओ देखबैत रहथि जे ओ लगातार क' रहल छलथि।24तथापि, यीशु जनैत छलाह जे सबलोक किनका जकां छथि, एहिदुआरे ओ हुनका नामपर विश्वास नहि कएलनि।25यीशु जे एहि दुआरे हुनका नामपर भरोसा नहि कएलनि किएकत' हुनका कोनो लोकके जरुरति नहि रहनि की हुनका लोकसबके विषयमे गवाही देथि। एहन एहिदुआरे अछि किएक केओ जनैत छलथि जे क की सोंचैत अछि आ की चाहैत अछि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.