John21
1ईसब घटना भेलाके बाद, यीशु फेरु अपन चेलासबहक समक्ष तिबिरियास झील जे गलील झील सेहो कहल जाएत अछि ताहि कातमे प्रगट भेलाह। ओ हुनकासबके एहि तरहें प्रगट भेलाह।2सिमोन पत्रुस, थोमा जेकरा ओसब “जौंवा” कहैत छल, नथनेल जे गलील प्रान्तके एकटा शहर काना से छल, जब्दीके पुत्र याकूब आ यूहन्ना आ यीशुके दूटा आओर चेला एकसंग छल।3सिमोन पत्रुस हुनकासंग आओर चेलासबके कहलनि, “हम माछ मारए जा रहल छी।” ओसब हुनका कहलनि, “हमसब सेहो अहाँक संग जाएब।” ओसब जा क' नावपर चढ़ि गेल आ माछ मारए लागल, मुदा ओहि राति कोनो माछ नहि पकड़ि सकल।4दोसर दिन भोरे-भोरे यीशु झीलक कातमे ठाढ़ छलाह, मुदा माछ मारएबला चेलासबके ई नहि बुझल छलनि जे ई यीशु छथि।5तखन यीशु ओकारासबके आवाज देलथिन, “प्रिय मित्र लोकनि, अहाँसबलग माछ नहि अछि, की अहाँक लग अछि?” ओसब उत्तर देलक, “हमरासबलग नहि अछि।”6ओ ओकरास' कहलनि, “नावके दहिनाकात अपन जाल फेकू आ अहाँके माछ भेटत।” एहिलेल ओ ओहिना कएलनि, आ एतेक माछ पकड़ि लेलक केओ जालके नावमे खींचएमे बौकार नहि भेल।7हम, ओएह चेला छी, जिनकास' यीशु प्रेम करैत छलाह, तखन पत्रुसके कहलनि, “ई प्रभु यीशु छथि!” तएं जखन सिमोन पत्रुस ई बात सुनलनि, त' ओ अपन गमछा जे काजक लेल उतारने छल पहिर लेलक आ कातमे जाएलेल पानिमे कुदि गेल।8माछ मारएबला बांकी चेलासब सेहो नावस' कातमे आबि गेल, जखन ओसब माछस' भरल जालके नावके पाछु खींचैत छल। ओसब झीलके कातस' दूर नहि छल, मात्र 90 मीटर दूर छल।9ओसब कातमे पहुंचलाह पर एकटा आगि जे यीशु तैयार कएने छलाह आ ओहिपर माछ पकैत देखलनि। ओतए एकटा रोटी सेहो छल।10यीशु ओकारासबके कहलनि, “अहाँसब जे माछ एखन पकड़ने छी, ताहिमेस' किछु एत आनि लिअ!”11तएं सिमोन पत्रुस फेरु नावपर गेलाह आ जालके कातमे खींच लेलनि। ओ 153 टा पैघ माछस भरल छल। माछ बहुत रहितो जालके किछु नहि भेल।12यीशु ओकरासबके कहलनि, “एत आबिक' जलखै करु!” चेलामेस' केओ हिम्मत नहि कएलनि जे पुछि केओके छी। ओसब जनैत छल जे ई प्रभु यीशु छथि।13यीशु आबिक' रोटी ल' क' ओकरासबके देलथिन। माछक संग सेहो एहने कएलनि।14परमेश्वर हुनका जीवित कएलाके बाद ई तेसर बेर छल जखन चेलासबहक समक्ष यीशु प्रगट भेलाह।15जखन ओसब जलखै क' लेलक, त' यीशु सिमोन पत्रुसके कहलखिन, “हे शमौन, यूहन्नाक पुत्र, की अहाँ ओकरास' बेसी हमरा प्रेम करए छी जे दोसर लोक हमरास' प्रेम करैत अछि?” पत्रुस हुनका उत्तर देलक, “हं, यौ प्रभु, अहाँ जनैत छी की हम अहाँस' प्रेम करए छी।” यीशु ओकरा कहलक, “हमर चेलासबके देखभाल करु जेना ओसब भेंड़ा रहैक।”16यीशु ओकरास' दोसर बेर पुछलक, “यौ सिमोन, यूहन्नाक पुत्र, की अहाँ हमरास' प्रेम करए छी?” ओ हुनका उत्तर देलक, “हं, यौ प्रभु, अहाँ जनैत छी की हम अहाँस' प्रेम करए छी।” यीशु ओकरा कहलक, “भेंड़सबके देखभाल करु जे हमरापर भरोसा करैत अछि।”17यीशु ओकरास' तेसर बेर पुछलक, “यौ सिमोन, यूहन्नाक पुत्र, की अहाँ हमरास' प्रेम करए छी?” पत्रुस दुखित भ' गेल किएकत' यीशु ओकरास' तेसर बेर पुछलक छल की अहाँ हमरास' प्रेम करए छी। पत्रुस हुनका उत्तर देलक, “हं, यौ प्रभु, अहाँ जनैत छी की हम अहाँस' प्रेम करए छी।” यीशु ओकरा कहलथि, “भेंड़सबके देखभाल करु जे हमरापर भरोसा करैत अछि।18हम अहाँके सत्य कहि रहल छी: जखन अहाँ जबान रही, त' अहाँ अपन वस्त्र अपनेस' पहिर लैत रही, आ जत' कतौ अहाँ जाए चाहैत रही ओतए' अहाँ जाए रही। मुदा जखन अहाँ बूढ़ भ' जाएब, त' अहाँ अपन हाथके अपन शरीरस' दूरक' लेब, आ केओ दोसर अहाँके वस्त्र पहिराओत आ अहाँके ओतए' ल' जाएत जत' अहाँ जाए नहि चाहैत छी।”19यीशु ई करए लेल इसारा कएलनि की पत्रुस कोना मरत जाहिस' लोकसबपर प्रगट होएत जे परमेश्वर कतेक महिमामय छथि। फेरु यीशु ओकरास' कहलनि, “आबिक' हमर चेला बनू!”20जखन पत्रुस पाछु घुमिक' देखलक त' ओ यूहन्ना छल, ठीक ओ चेला जिनकास' यीशु प्रेम करैत छलाह, हुनकासबके पाछु-पाछु। ई यूहन्ना छल जे यीशुके मृत्युस' पहिने रातिमे भोजनके समय यीशु लग झुकिक' पुछलनि, “प्रभु, अहाँके के धोखा देब' जा रहल अछि?”21एहिलेल जखन पत्रुस यूहन्नाके देखलनि त' यीशुस' पुछलथिन, “हे प्रभु, एहि लोकके की होइत?”22यीशु ओकरा कहलनि, “जं हम चाहैत छी जे हम घुरिक नहि आबए धरि ओ जीवित रहथि, त' अहाँसबके कोनो चिन्ता नहि! रहल बात अहाँसबके त' सदिखन हमर चेला बनल रहू!”23किएकत' यीशु कहने छलाह, तएं विश्वासी भाइसबमे ई हल्ला भ' गेल जे चेला यूहन्ना नहि मरताह। मुदा, यीशु पत्रुसके ई नहि कहलनि जे यूहन्ना नहि मरताह। बल्कि ओ बजलाह, “जं हम चाहैत छी जे जाधरि हम नहि घुरब ताधरि ओ जीबैत रहथि त' से अहाँक कोनो चिन्ताके विषय नहि अछि!”24हम, यूहन्ना, ओ चेला छी जे एहिसब बातक गवाही दैत छी आ हम एहि सबबातके एहि पुस्तकमे लिखने छी। हमसब जनैत छी जे हम जे गवाही देने छी से सत्य अछि।25यीशु आओर बहुत रास काज कएलनि जे जं लोकसब ओहिमेस' एक-एकटाक लिखत त' हम कल्पना करैत छी जे पूरा संसार एतेक पैघ नहि होइत जे ओसब हुनका विषयमे लिखल पुस्तकसबके समाहित करितथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.