Acts1

1हे आदरणीय थियुफिलुस, हम पहिन पुस्तक ओहे बात सबके विषयमे लिखने रही जे यीशुके बहुत काज आ शिक्षासबके सिखबैत आबि रहल छथि।2ओहि दिन धरि जखन ओ ओहि प्रेरितसबके, जिनका ओ चुनने रहथि, पवित्र आत्माके द्वारा आज्ञा द' क' उपर उठाएल नहि गेल।3ओ दुख उठएलनि आ हुनकर मृत्युके बाद बहुते ठोस प्रमाणसबस' स्वयंके ओ जीवित देखएलनि आ चालीस दिन धरि ओ हुनकासबके देखाइ दैत रहलाह आ परमेश्वर राज्यके बातसब करैत रहलाह।4एक बेर, जं यीशु अपन प्रेरितसब संगे भोजन करैत रहथि त' ओ ओकरासबके आज्ञा देलनि “यरूशलेमस' बाहर नहि जाएब, मुदा पिताके ओहि वरदानके प्राप्त करबाक बाट जोहैत रहू, जेकर चर्चा अहाँ हमरास' सुनि चुकल छी। 5किएकत' यूहन्ना पानिमे बपतिस्मा देलनि, मुदा किछुए दिनमे अहाँसब पवित्र आत्मास' बपतिस्मा पाएब।” 6दोसर बेर, जं प्रेरितसब यीशुसंगे एकठाम जौर भेल रहैक त ओसब हुनकास' पुछलनि, “यौ प्रभु, की अहाँ एहि समय इजराएलके राज्य पुनर्स्थापना करबनि?”7यीशु हुनकासबके उत्तर देलनि, “ओहि समय वा कालके जानब, जेकरा पिता अपन अधिकारमे रखने छथि, ई अहाँक काज नहि अछि।8मुदा जखन पवित्र आत्मा अहाँसबपर अओताह तखन अहाँसब सामर्थ्य पाएब, आ अहाँसब यरूशलेम, आ पूरे यहूदिया आ सामरियामे आ पृथ्वीक अन्तधरि हमर गवाही बनब।”9ई बात कहिक' ओ हुनका देखते-देखते उपर उठा ल' गेलथि, आ मेघ हुनकासबके नजरिस' नुका लेलनि। 10हुनका जाइतकाल जखन ओ आकाश दिस ताकि रहल छलथि, त' देखलनि दूटा पुरुष स्वेत वस्त्र पहिरने, हुनकालग आबि ठाढ़ भेलथि,11आ ओ दुनू लोक ओकरासबके कहलनि, “यौ गलीलवासीके पुरुषसब, अहाँसब किएक ठाढ़ भ' आकाश दिस ताकि रहल छी? ई यीशु जे अहाँसबहक बीचमेस' स्वर्गपर उठा लेल गेल छथि, जाहि रीतिए अहाँ हुनका स्वर्गमे जाइत देखलहुं ओहि रीतिए ओ फेरु अओताह।” 12तखन प्रेरितसब जैतून नामक पहाड़स' जे यरूशलेमस' विश्राम दिनमे जतेक दूरी चलबाक अनुमति छल, वापस आबि गेलाह, जे यरूशलेममे घुरलथि।13जखन प्रेरितसब यरूशलेम शहरमे ओतए उपरका कोठलीमे गेलथि, तब पत्रुस आ यूहन्ना, आ याकूब, अन्द्रेयास, फिलिपुस, थोमा, बरतुल्मै, मत्ती, अल्फेयासके पुत्र याकूब जे “देशभक्त” आ सिमोन जेलोतेस आ याकूबके पुत्र यहूदा।14ओसब बहुते स्त्रीसब आ यीशुक माय मरियम आ यीशुके भाइसबके संगे एक मने प्रार्थनामे लागल रहलथि।15एकदिन, पत्रुस भाइसबके बीचमे, जे करीब एक सय बीस व्यक्तिके समुदाय रहथि, ठाढ़ भ' क' कहए' लगलथि।16“यौ संगी विश्वासीसब, जरुरी ई जे पवित्र शास्त्रमे लिखल बात पूरा होअए जेकरा पवित्र आत्मा, दाऊदक मुंहस' यहूदाक विषयमे, जे यीशुके पकड़ाबएबलाके अगुवा रहए, पहिनहिस कहने छल। 17किएकत' यहूदा त' हमरेसबके संग गनल गेल आ एहि सेवकाइमे सहभागी भेल।”18ओ अधर्मके कमाइस' एकटा खेत किन लेलक, आ ओ मुंहे भरे खसल आ ओकर पेट फाटि गेल आ ओकर अंतरीसब सेहो निकलि गेल।19एहि बातके यरूशलेमके सब लोकके पता चलि गेल, तएं ओसब ओहि खेतके नाम अरामी भाषामे “हकलदामा” अर्थात् “लेहूके खेत” कहैत छल।20पत्रुस आगु आओर कहैत गेलनि, “भजन संग्रहके पुस्तकमे लिखल अछि, ‘ओकर खेत उसरा-डीह भ' जाए, आ ओत' एकौगो लोक नहि बसए ,’ आ ‘ओकर सुसमाचारक सेवाके पद केओ आन ल' लए।’21एहिलेल अपनासब यहूदाके स्थानपर एकटा एहन व्यक्तिके चुनी जे प्रभु यीशुके समयस' अपनासबके बीच सबदिन रहैत छल माने यूहन्नाक बपतिस्मास' ल' क' यीशु अपनासब लगस' उठालेल गेल धरि जे सब बरोबरि हमरासबके संग रहलथि,22यूहन्नाक बपतिस्मास' शुरु भ' क' ओहि दिन धरि जखन ओ हमरासबके बीचस' उठाएल गेलाह—एहिमेस' एकटा हमरासबके संग हुनकर पुनरुत्थानके गवाह बनब।”23तखन ओसब दूगोटेके आगु बढ़ौलनि, एक यूसुफके जे बरसब्बा कहएलनि, जिनकर उपनाम युस्तुस छनि, दोसर मतियाके।24आ ई प्रार्थना क' क' ओसब कहलनि, “हे प्रभु, अहाँ, सबके हृदयके विचार जनैत छी, तएं ई प्रगट करु जे एहि दुनूमेस' अहाँ केकरा चुनने छी।25जे ओ एहि सेवा आ प्रेरित पद लेथि जेकरा यहूदा छोड़ि अपन दण्ड पाबएके स्थानपर चलि गेलनि।”26तखन प्रार्थना कएलाके बाद, ओसब दुनू गोटेमेस' केकरा चुनल जाए ताहिके लेल पुरजी खसओलनि आ पुरजीमे मतियाहक नाम निकलल आ हुनका एगारहो प्रेरितसबके संग गनल गेलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67