John17

1जखन यीशु अपन चेलासबके ईसब घटनाक विषयमे बाजब समाप्त कएलथि, त' ओ स्वर्ग दिस तकलनि आ प्रार्थना कएलथि, “हे पिता, आब समय आबि गेल अछि जे हम कष्ट भोगिक' मरि जाएब। हम अर्थात् अहाँक पुत्र कतेक महिमामय छी से सबलोक के ई प्रगट करु जाहिस' हमहूंसब लोकके ई प्रगट करी जे अहाँ कतेक महिमामय छी।2कृपया ई काज करु किएकत' अहाँ हमरा सब प्राणीपर अधिकार देने छी जाहिस' हम सबलोक के योग्य बना सकी जेकरा अहाँ हमरालग आबएलेल चुनने छी जे सदा-सर्वदा लेल हमरासंग स्वर्गमे जीवित रहत।3अनन्तकालधरि जीवित रहएके ई अर्थ अछि, जे अहाँ परमेश्वरके चिन्हए, आ जे अहाँ एकमात्र सत्य परमेश्वर अस्तित्वमे छी, आ हमरा यीशु मसीहके जानए, जिनका अहाँ संसारमे पठौने छी।4हम जखन पृथ्वीपर छलहुं तखन सबलोक के ई प्रगट क' देलहुं जे अहाँ कतेक महिमामय छी। आ हम ओहि काजके पूरा कएलहुं जे अहाँ हमरा सोंपल।5हे पिता, एहि समयमे अहाँके उपस्थितिमे ओहे महिमा प्रगट करु जे हम कतेक पैघ छी, ओहिना महानताके संग जे हमसब संसारके निर्माण कर' स' पहिने अहाँके संगमे छलहुं।6हम अपन नाम ओहि संसारके लोकसब ल' प्रगट क' देलहुं जे अहाँ वास्तवमे के छी। ओसब अहाँके अछि आ अहीं हमरा ओकरा द' देली। ओ अहाँके शिक्षाके पालन कएने छथि।7एहि समयमे ओसब जनैत छथि जे अहाँ हमरा जे किछु देलहुं से अहाँ दिसस' आएल छथि।8ओसब ई बात एहिलेल जनैत अछि किएकत' हम हुनकासबके ओ शिक्षासब कहने छी जे अहाँ हमरा कहलहुं। ओ स्वयं ओ शिक्षा प्राप्त कएने अछि आ हुनका निश्चय छनि जे हम अहाँस आएल छी, आ हुनका विश्वास छनि जे अहाँ हमरा एत' पठा देने छी।9हम हुनकासबके लेल प्रार्थना क' रहल छी। हम संसारमे अहाँके विरोध करएबलासबके लेल विनती नहि क' रहल छी। बल्कि हम प्रार्थना करैत छी जे अहाँ हमरा देने छी, कारण ओ अहाँके अछि।10जे लोकसब हमर अछि से सब अहाँके अछि, आ जे लोकसब अहाँके अछि, से हमर अछि। आ हम कतेक महिमामय छी से सबलोक के सामने उजागर करए छी।11आब हम एहि पापी संसारमे नहि रहब। मुदा, हमर चेलासब एहिमे रहताह। हम लगले अहाँ लग घुरि आएब। हे हमर पवित्र पिता, जे अलग अछि, ओकरा हमरा नामस' रक्षा करु ओहि शक्तिस' जे अहाँ हमरा देने छी, जाहिस' ओहोसब ओहिना एकजुट भ' सकए जेना हमसब एकजुट छी।12जाहि समयमे हम हुनकासबहक संग छलहुं, हम हुनकासबके ओहि नामके शक्तिस' सुरक्षित रखलहुं जे अहाँ हमरा देलहुं। हम ओकरासबके पहरा दैत छलहुं, आ ओहिमे से एकटा मात्र अनन्तकालधरि हेरा जाएत। ओ अछि जेकरा अहाँ सदा-सर्वदा लेल नाश करबाक लेल निर्धारीत कएने छी ई एना भेल जे शास्त्रमे लिखल बात पूरा भ' सकए। 13एहिबेर हम अहाँसबके लग घुरएबला छी। जाधरि हम एहि पापी संसारमे छी ताधरि हम ई बात एहिलेल कहलहुं जे हम हुनकासबके अपन पूर्ण आनन्द द' सकब।14हम अहाँके शिक्षा हुनकासबके कहने छी। तहिना संसारमे अहाँके विरोध करएबला हुनकासबस घृणा कएने छथि कारण हमरा जकां ओहोसब अहाँके विरोध करएबलामे नहि छथि।15हम अहाँसबस ई नहि कहैत छी जे हमर चेलासबके एहि पापपूर्ण संसार से निकालि दिअ। बल्कि, हम आग्रह क' रहल छी जे अहाँ हुनकासबके दुष्ट शैतान से नोक्सान पहुंचाबए से सुरक्षित राखू।16हमरा जकां ओसब संसारमे अहाँके विरोध करएबलामेस' नहि छथि।17हमर चेलासबके अलग करु जे अहाँके सेवा करथि, जाहिस' ओसब सांचो बातके जानिक' ओकरा अनुसार जीबि सकैत अछि अहाँके शिक्षा ओएह अछि जे सत्य अछि।18हम हुनकासबके ओहिना संसारके लोकसबके बीच पठा रहल छी जेना अहाँ हमरा हुनकासबहक बीच पठौने छी।19हम हुनकासबके लेल बलिदानक रुपमे अपनेके समर्पित क' रहल छी जाहिस' ओसब सेहो सत्य बातके जानि आ ओकर अनुसार जीबिक' अहाँके सेवा करबाक लेल अपनेके अलग क' सकथि।”20आब हम एहि चेलासबके लेल मात्र विनती नहि क' रहल छी, बल्कि ओकरासबके लेल सेहो विनतीक' रहल छी जे हमर चेलासबके बातके द्वारा हमरापर विश्वास करत।21हम प्रार्थना करए छी जे ओसब ओहिना एकजुट भ' जाए जेना अहाँ, हमर पिता, आ हमसब एकसंगे एकजुट छी। हम विनती करए छी जे ओहोसब हमरासबके संग जुड़थि जाहिस' संसारके लोकके विश्वास होइक जे अहाँ हमरा एत' पठौने छी।22जहिना अहाँसब हमरा महिमा देलहुं, तहिना हमहूं हमरापर विश्वास करएबलासबके आदर कएलहुं, जाहिस' ओहोसब ओहिना एकजुट भ' सकए जेना हमसब एकजुट छी।23एकर अर्थ जे हम हुनकासबस जुड़ल छी, आ अहाँसब हमरास' जुड़ल छी। हम ई काज कएलहुं जाहिस' ओसब पूर्णरुपें एक दोसरास' जुड़ल रहथि जाहिस' संसारके लोकके बुझल होए जे अहाँ हमरा एत' पठौने छी आ अहाँ हुनकासबस ओहिना प्रेम करए छी जेना अहाँ हमरास प्रेम करए छी। जे हमरापर विश्वास करैत अछि।24“हे हमर पिता, हम चाहैत छी जे ई लोकसब जे अहाँ हमरा देने छी, ओतहि हमरासंग रहए जत' हम स्वर्गमे रहब जाहिस' ओसब देख सकथि जे हम कतेक महिमामय छी। अहाँ हमरा गौरवशाली बनएलहुं, कारण अहाँ हमरास पहिनेस' प्रेम कएने रही जखन हमसब संसारके निर्माण कएने रही। 25हे हमर पिता, अहाँ सदिखन उचित काज करए छी, संसारमे अहाँके विरोध करएबला ई लोकसब नहि जनैत अछि जे अहाँके छी, मुदा हम जनैत छी जे अहाँके छी। हमरापर भरोसा करएबला ई लोकसब जनैत छथि जे अहाँ हमरा एत' पठौने छी।26हम हुनकासबके अहाँके नाम कहि देने छी जे अहाँके छी। हमहूं एहने करैत रहब जाहिस' ओसब दोसरोस' ओहिना प्रेम करथि जेना अहाँ हमरास' प्रेम करैत छी आ जाहिस' हमहूं हुनकासबहक संग जुटि सकब।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67