John16

1हम अहाँके ई सबबात कहि देने छी जे होएत जखन ईसब होएत तखन अहाँसब हमरापर भरोसा करब।2सताव करएबलासब अहाँसबके सभाघरमे प्रवेश करएस' रोकत। तथापि किछु बेसी अधलाह होएत। समय आबि रहल अछि जखन अहाँके मारएबलासब सोंचत जे एनाक' क' ओ परमेश्वरके सेवा क' रहल छथि।3ओसब एहन काज एहिलेल करत जे ओसब कहियो नहि जनैत अछि जे हम वास्तवमे के छी आ नहि ई की हमर पिताके छथि।4हम अहाँसबके ईसब घटनाक विषयमे कहलहुं जे जखन ईसब जाहि समय होएत त' अहाँसबके मोन पड़ए जे हम अहाँसबके की कहने रही जे ईसब होएत। हम अपन काज शुरु करैत काल शुरु क दिनमे एहिसब विषयमे नहि कहने रही, कारण हम तखन अहाँके संग छलहुं।5“आब हम अपन पितालग जा रहल छी जे हमरा पठौलनि। तथापि अहाँमेस' केओ हमरास' नहि पुछि रहल छी जे हम कत' जा रहल छी!6अहाँसब बहुत मनमे दुखित छी, कारण हम अहाँसबके ई सबबात कहलहुं।7तथापि, आब हम अहाँसबके सांच बात कहि छी, अहाँसबहक लेल ई नीक अछि जे हम चलि जाए ओहिस' जे हम रुकल रहब। ई बात सांच अछि कारण जं' हम नहि जाएब त' जे अहाँक मदति करत से अहाँ लग नहि आओत। ओना, जं' हम चलि जाएब, त' हम हुनका अहाँ लग पठा देब।8जखन सहायता करएबला पवित्र आत्मा अओतथि त' ओ संसारक लोकसबके ओहि पापक विषयमे दोषी ठहराओत। ओ ओकरासबके धर्मी नहि होएबाक दोषी ठहराओत, आ ओ ओकरासबके दोषी ठहराओत जाहिस' परमेश्वर ओकरासबहक न्याय करथि।9ओ लोकसबके ओकर पापके दोषी ठहराओत, किएकत' संसारके लोकसब हमरापर भरोसा नहि क' क' पाप कएलक।10ओ लोकसबके दोषी ठहराओत जे ओ धर्मी नहि अछि, किएकत' हम अपन पितालग घुरिक' जा रहल छी, आ जेना सुधर्मी बनबाक उदाहरणके रुपमे अहाँसब हमरा फेरु नहि देखब।11ओ लोकसबके दोषी ठहराओत जे परमेश्वर ओकरासबहक न्याय करताह, किएकत' ओ शैतानके सजाय देने छथि, जे एहि संसारके शासक अछि। 12हम अहाँसबके आओर बहुते बात कहए' चाहैत छी। ओना जे हम एखन कहब से अहाँसबके बुझएस' फाजिल भ' जाएत।13जखन पवित्र आत्मा आओत, जे परमेश्वरके विषयमे जे बातसब सत्य अछि, तेकरा ओ अहाँसबके ओहि सब सत्यके बुझएमे मदति करत। जेकरा बुझल अहाँके आवश्यकता अछि ओ एहन एहिलेल करत किएक ओ अपन अधिकारस' नहि बाजत। बल्कि ओ जे किछु परमेश्वरस सुनत से बाजत, आ जे किछु होएत से अहाँके पहिनेस' कहि देत।14पवित्र आत्मा हमरास' जे सुनलनि से अहाँसबके कहिक' ई प्रगट करताह जे हम कतेक महिमामय छी।15हमर पिताके जे किछु अछि से हमर अछि। एहिलेल हम कहलीह जे पवित्र आत्मा अहाँ सबकेओ हमरास' सुनल बात बताओत।16किछु दिनके बाद अहाँसब हमरा नहि देखब, आ किछु दिनके बाद हमरा फेरु देखब”17तखन हुनकर किछु चेलासब एक दोसरास' पुछलनि, “यीशुके कहबाक की अर्थ छथि जखन ओ हमरासबके कहैत छथि की किछु दिन बाद हमरा नहि देखब, आ किछु दिन बाद हमरा फेरु देखब'? आ एना कहैत काल हुनकर की अर्थ छनि, ‘किएकत' हम अपन पितालग घुरि रहल छी’?”18तएं ओसब पुछैत रहलाह, “कनि कालक बाद' के की अर्थ होएत छै?” ओ की कहि रहल छथि से हमरासबके नहि बुझल अछि।19यीशु जनैत छलथि जे हुनकर चेलासब हुनकास' आओर प्रश्न पुछए चाहैत छथि। तएं ओ हुनकासबके कहलनि, “अहाँसब एक-दोसरस' पुछि रहल छी जे हमर की कहबाक अर्थ छल जे हम कहलहुं जे ‘कनि दिन बाद अहाँसब हमरा नहि देखब, आ किछु दिन बाद हमरा फेरुस' देखब।’20हम अहाँसबके सांच्चे कहैत छी: अहाँ कानब आ विलाप करब, मुदा संसारमे परमेश्वरके विरोध करएबलासब आनन्दित होएत। अहाँ बहुत दुखित रहब, मुदा अहाँके दुखित खुशी मे बदलि जाएत।21महिलाके बच्चा जन्म देब' के समय पीड़ाके अनुभव होएत अछि, किएक की ई ओकर बच्चा जन्म होएके समय छै मुदा, बच्चाके जन्म देलाके बाद ओ बिसरि जाइत छथि जे हुनका दुख भेल छल, कारण ओ एहि बातस' खुश छथि जे ओ एकटा मनुष्यके दुनियांमे अनने छथि। 22तहिना, अहाँसब मनमे एखन दुखित छी, मुदा हम अहाँसबस' फेरु भेट करब, आ अहाँसबके आनन्द भेटत, आ अहाँसबके आनन्द करएस केओ नहि रोकत।23जं ओ समय आओत त' अहाँसब हमरास' फेरु भेट करब तखन हमरास' किछु नहि पुछब। हम अहाँसबके सांच्चे कहि रहल छी: हमर पिता अहाँसबके जे किछु हमर नामस' मांगब ओ हम द' देबनि।24एखन धरि अहाँसब हमर नामके प्रतिनिधि बनि कोनो बात हमर पितास' नहि मंगलहुं। हमर पिताजी स' किछु आग्रह करु आ अहाँके जे आग्रह कएलीह से परमेश्वर अहाँके ओ देथिन जाहिस' अहाँ बेसीस' बेसी आनन्द ल' सकी।25हम अहाँसबके दृष्टान्तक भाषामे ई बात कहलहुं, मुदा जल्दिए एहन दिन आबि जाएत जखन हम अहाँसबस' बात करबाक लेल आएब त' एहन भाषाके प्रयोग नहि करब। बल्कि हम अहाँके अपन पिताजी के विषयमे एहन भाषाके प्रयोग क कहब जे अहाँसब सहजतास' बुझि सकब।26जं ओ समय आओत त' अहाँसब हमरास' फेरु भेट करब तखन अहाँसब हमर नामस' विनतीक' परमेश्वरस' किछुओ मांगब, आ हमरा अहाँक दिसस' अपन पितास' नहि मांगए पड़त27किएकत' हमर पिता स्वयं अहाँसबस' प्रेम करैत छथि, ई एहिलेल जे अहाँसब हमरास' प्रेम करैत छी आ भरोसा रखैत छी जे हम परमेश्वरमे स' आएल छी।28हम अपन पिता परमेश्वरमे स' आएल छी आ एहि संसारमे आबि गेल छी। हम फेरु कहि रहल छी जे हम एहि संसार छोड़ि अपन पितालग घुरि जाएब।”29हुनकर चेलासब उत्तर देलक, “अन्तमे! आब अहाँ एहन भाषाके प्रयोग क' रहल छी जेकरा हमसब सहजतास' बुझि सकब आ दृष्टान्तक भाषा नहि अछि।30हमसब आब बुझि गेलहुं जे अहाँ सबकिछु जनैत छी। अहाँस' केकरो प्रश्न करबाक आवश्यकता नहि छथि कारण अहाँके पहिनेस' बुझल छल जे ओ व्यक्ति की पुछत। एहि कारणे हमरासबके भरोसा अछि जे अहाँ परमेश्वरके भरस' एत' आएल छी”31यीशु ओकरासबके उत्तर देलथिन, “अन्तमे आब अहाँसब हमरापर भरोसा करु!32ध्यान दिऔ! लगले एहन दिन आओत, आ ओ दिन बहुते जल्दी आ जाएत, जखन आन लोक अहाँके सबठाम छिड़िया देत। अहाँसब एक-एकटा अपन घर चलि जाएब, आ हमरा एसगरे छोड़ि देब। ओना हम कहियो एसगरे नहि छी, कारण हमर पिता सदिखन हमरासंग रहैत छथि।33हम अहाँसबके ई सबबात कहने छी जे होबएबला अछि जाहिस' अहाँसबके शान्तिक अनुभव होएत किएकत' अहाँसब हमरास' जुड़ल छी। आ एहि संसारमे अहाँसबपर दुख आ पीड़ा आओत, मुदा हिम्मत राखू! हम एहि संसारके सामर्थ्यके नाश क देने छी!”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67