John15

1यीशु अपन चेलासबस' कहलथि, “हम एकटा वास्तविक अंगूर बगानके दाखलता जकां छी जे फल दैत अछि। हमर पिताजी माली सन छथि जे ओकर देखभाल करैत छथि।2हमर पिता सब ठाढ़िके काटिक' हटा दैत छथि जे हमर हिस्सा जकां लगैत अछि मुदा फल नहि दैत अछि। रहल बात जे सब डाढ़ि फल दैत अछि त' ओकरा छंटाइ क' क' साफ करैत छथि जाहिस' ओ आओर बेसी फल द' सकए।3अहाँसब डाढ़ि जकां छी जे पहिने जे शिक्षा हम अहाँके कहने रही ताहि कारणे छंटाइस' साफ भ' गेल छी।4हमरास' जुड़ल रहू, हम अहाँसबस' जुड़ल रहब। जहिना ठाढ़िसब जाधरि अंगूर बगानके लता स' जुड़ल नहि रहत ताबत धरि कोनो फल नहि द' सकैत अछि, तहिना अहाँसब जाधरि हमरास' जुड़ल नहि रहब ताबत धरि आत्मिक फल नहि द' सकैत छी।5हम अंगूर बगानके दाखलता जकां छी; अहाँ ठाढ़ि जकां छी। जं अहाँ हमरास' जुड़ल रहब आ हम अहाँस' जुड़ल रहब त', अहाँके बहुत फल भेटत। ई बात सत्य अछि कारण हमर मदतिके बिना अहाँ किछु नहि क' सकैत छी।6रहल बात जे हमरास' जुड़ल नहि रहैत अछि त' ओ व्यक्ति एहन ठाढ़ि जकां अछि जेकरा माली काटि फेक दैत अछि। आ एहन डाढ़ि सुखा गेलापर, माली के कर्मचारी डंडा उठाक' ओकरा आगिमे फेकक' जरा दैत अछि।7जं अहाँ हमरासंग जुड़ल रहब आ हमर सिखाओल बातके पालन करब त' अहाँ परमेश्वरस' जे किछु मांगब ताहिके लेल आग्रह क' सकैत छी, आ ओ अहाँके आग्रह पूरा करताह।8अहाँ लोकसबके देखबैत छी जे हमर पिता कतेक महिमामय छथि, बहुत फल दैत आ हमर चेला बनबैत।9हम अहाँसबस' ओहिना प्रेम कएलहुं जेना हमर पिता हमरास' प्रेम कएलनि। आब एहन तरीकास' जीवित रहू जिनकास' हम प्रेम करैत छी हुनकालेल उपयुक्त भ' सकए।10जे आज्ञा हम अहाँसबके देने छी जं अहाँ ओकरा पालन करब त', अहाँसब ओहि तरहें काज करब जे हम जिनका सबस' प्रेम करैत छी, हुनकासबके लेल उचित होएत अछि, ठीक ओहिना जेना हम हमर पिताक आज्ञाके पालन कएलहुं।11हम अहाँसबके ई बात एहिलेल कहलहुं जे अहाँसब हमरा जकां खुश रहब आ जाहिस' अहाँसब बेसीस' बेसी खुशी पाबि सकी।12हम अहाँसबके ई आज्ञा दैत छी जे एक-दोसरस' प्रेम करु जेना हम अहाँसबस' प्रेम कएलहुं।13जे अपन मित्रक लेल अपन प्राण देब लेल तैयार अछि, ताहिस' पैघ प्रेम केकरो नहि होइत छै।14जं अहाँ हमर आज्ञाके जे हम अहाँके देने छी ओकरा मानैत रहब त' अहाँ सचमुच हमर मित्र छी।15आब हम अहाँके अपन नोकर नहि कहब, कारण नोकरके ई नहि बुझल अछि जे ओकर मालिक की क' रहल अछि। आइस हम अहाँके मित्र कहब, कारण हम अहाँके सबटा बात बुझा देने छी जे हमर पिता हमरा कहने छलाह।16अहाँसब हमर चेला बनएके नहि चुनलहुं। बल्कि हम अहाँके अपन चेला बनएलेल चुनलहुं आ अहाँके एहि भूमिका मे नियुक्त कएलहुं जाहिस' अहाँ बाहर जा क' आत्मिक फल उत्पन्न क' सकब आ जाहिस' अहाँ जे फल उत्पन्न करब से अनन्तकालधरि टिकए। आ हम अहाँसबके इहो लेल चुनने छी जाहिस' हमर पिता अहाँसबके हमर नामस' मांगैत छी से अहाँसबके द' देथिन।17हम अहाँसबके ईसब काज करबाक आज्ञा दैत छी जाहिस' अहाँसब एक-दोसरस' प्रेम क' सकब।18त जं संसारमे परमेश्वरक विरोध करएबला लोकसब अहाँस' सेहो घृणा करैत छथि, तएं अहाँके ई बुझबाक चाही जे ओसब पहिने हमरास' घृणा कएने छलाह।19जं अहाँ संसारमे परमेश्वरक विरोध करएबला सबहक पक्षमे रहितहुं त' ओ अविश्वासीसब अहाँसबके ओहिना प्रेम करितथि जेना ओसब अपनेस' प्रेम करैत छथि। ओना हम अहाँके ओहिमेस' बाहर आब' लेल चुनलहुं। दुनियांमे परमेश्वरके विरोध करएबला लोक तोरा से घृणा एहिलेल करए छौ, किएकत' तों ओकर' हिस्सा नहि छी।20मोन राखू जे हम अहाँसबके कहने रही जे नोकर अपन मालिकस' बेसी महत्वपूर्ण नहि होइत अछि। किएकत' ओसब हमरा दुख पहुंचौलक, त' निश्चितरुपस' अहाँके सेहो दुख पहुंचाओत। जं' केओ हमर शिक्षाके पालन करत त', अहाँके जे सिखबैत छी से पालन करत।21तथापि एहि संसारमे रहनिहार अविश्वासीसब अहाँसबहक संग ईसब घृणित काज करत, कारण अहाँसब हमरा पाछु चलैत छी, आ एहिलेल जे ओसब हमर पिताके नहि चिन्हैत अछि जे हम हुनकर नामस' एत पठौने छथि।22जं हम नहि आबिक' हुनकासबके परमेश्वरक सत्य नहि सिखएतहुं त' ओसब हमरा आ हमर सन्देशके अस्वीकार करबाक दोषी नहि रहितथि। मुदा, जहियास हम आबिक' हुनकासबके सिखबैत छलहुं, आब हुनकासबलग अपन पापक बहाना नहि रहि गेलनि।23जे हमरास' घृणा करैत अछि, से हमर पितास' सेहो घृणा करैत अछि।24जं हम हुनकासबहक बीच ओहि चमत्कारीक काज सबके नहि प्रगट करितहुं जे आइधरि केओ नहि कएने छल, त' ओसब पापक दोषी नहि रहितथि। तथापि जेना अछि तेना ओसब ओहि काज सबके देख हमरास' घृणा कएलक। हमर पिताजी स' सेहो दुश्मनी बनौने रहलाह।25मुदा, ई बात पूरा करबाक लेल पूरा भेल जे प्रवक्ता अपन पवित्र शास्त्रमे लिखने छलाह, ‘ओसब हमरास' बिना कारण घृणा करैत छल।’ 26जखन हम हुनका अपन पितास' अहाँ लग पठा देब जे अहाँके मदति करताह तखन ओ लोकके कहताह जे हम के छी। ओ पवित्र आत्मा छथि, जे परमेश्वरक विषयमे जे सत्य अछि तेकरा गवाही करैत छथि आ जे हमर पितास' निकलैत छथि।27अहाँसबके सेहो हमरा विषयमे सबके प्रचार करए पड़त, किएकत' अहाँसब हमरासंग छी, जहियास' हम लोकसबके सिखाबएके अपन काज शुरु कएलहुं।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67