John12
1यहूदीसबहक फसह पावनि शुरु होअएस छओ दिन पहिने पहिनहि यीशु बेतनिया गाममे पहुंच गेलथिन। बेतनिया ओएह गाम छल जत पर लाजर निवास करैत छल। ओ ओएह मनुष्य छल जेकरा यीशु जे ओकरा मारि गेलाकबाद फेरुस' जीवित क' देने रहथि।2ओ बेतनियामे, यीशुक सम्मानमे रात्रिभोज देलक। मार्था जे अतिथिसबके सेवा सत्कारमे भोजन परसलक, आओर लाजर ओहि लोकसबमेस एगो रहथि जे एकसंगे बैसल छल आओर यीशुक संगे खा रहल छल।3फेरु मरियम एगो बोतल ल क आएल जेकरामे लगभग आधा लीटर बहुत मूल्यवान इत्र भरल छल, जे जटामसी क गाछस निकालल गेल शुद्ध तेल छल, आओर ओ ओकरा यीशुक पयरके इत्रस' अभिषेक क' देलीह आ फेरु अपन केशस हुनकर पयरक पोछलक। ओहि इत्रके मनमोहक सुगन्धस सम्पूर्ण घरक भरि देलक।4ओना त', यहूदा इस्करियोती जे आपत्ति कएलक। ओ यीशुक चेलामेस एगो छल जे शीघ्रे यीशुक बंदी बनबएमे यहूदा अगुवासबके सहयोग करतै। ओ कहलक,5“हमसब ई इत्रके ओतेक रुपैयामे बेच देबाक चाहैत छल जेकरा केओ मनुष्य 300 दिन काज क क कम सकैत अछि। फेरु हम ओहि रुपैयाके गरीब लोकसबके द सकैत छी!” 6यहूदा जे ई एहिदुआरे नहि कहलक किएकत ओकरा गरीब लोकसबके विषयमे चिन्ता छल। बल्कि एकर, ओ एना एहिदुआरे कहलक किएकत ओ एगो चोर छल। ओ ओहि थैली क रखबारी करैत छल जेकरामे हुनकर रुपैया रहैत छल, मुदा ओ ओहि रुपैयाके चोरा लैत छल जे लोकसब ओकरा थैलीमे रखए क लेल देने रहथि।7एहिदुआरे यीशु जे कहलखिन, “ओकरा एसगरे छोड़ि दिऔ! ओ ई इत्रके एहिदुआरे सहेज क रखने छल जाएस ओ हमरा ओहि समयक लेल तैयार क सकैत जखन हम मरि आओर गाड़ल जाहि।8ओ ठीक काज कएने अछि किएकत गरीब लोक त अहाँक बीचमे सदिखन रहत जेकर अहाँ मदति क सकैत छी, मुदा हम अहाँक संगे बेसी दिन धरि नहि रहब।” 9तखन यहूदीसबहक एगो बड़ भीड़ जे सुनलक की जे यीशु बेतनियामे छलथिन, एहिदुआरे ओ ओतए गेल। ओ नहि खाली एहिदुआरे आएल किएकत यीशु ओतए छल, मुदा एहिदुआरे जे किएकत ओ लाजर क देख चाहैत छल। ओ ओएह मनुष्य छल जेकरा यीशु जे ओकरा मारि गेलाकबाद फेरुस' जीवित क' देने रहथि।10एहिके विपरीत, मुख्य पुजारीसब जे यीशुक संगे लाजर क सेहो हत्या करए क योजना बनौने रहथि।11मुख्य पुजारीसब लाजर क हत्या एहिदुआरे करबाक चाहैत छल किएकत जे ओ सिखा रहल छल पर बहुते स यहूदी विश्वास नहि क रहल छल आओर बल्कि एकर ओ यीशुपर विश्वास क रहल छल, आओर एकर कारण ओएह छल।12दोसर दिन लोकसबके बड़ भीड़क जे यरूशलेममे फसहके पावनि मनाबए आएल रहथि मालूम भेल जे यीशु सेहो ओतए आब क लेल अपन रस्तामे छलथिन।13एहिदुआरे ओसब जे खजूर गाछक छज्जासबके काटि लेलक आओर जखन ओ नगरमे आएल त' हुनकर स्वागत करए लेल सड़कपर निकलि गेल। ओ चिचिआ रहल छल, “होसन्ना, हमरा बचएबाक लेल! प्रभु हुनका आशीष देथि जे हुनकर नामके अधिकारके संग अबैत अछि। ओएह इजराएलक राजा अछि!” 14जखन यीशु यरूशलेमक लग आएल, त हुनका एगो गदहाके नमहर बच्चा भेटल आ ओ ओहि सबार भ' क' नगरमे जाहि क लेल ओकरापर बैसि गेल। एहन करए क कारणे, ओ बात पूरा कएलक जे किछु प्रवक्तासब जे पवित्र शास्त्रमे लिखने रहथि:15“अहाँ जे यरूशलेममे रहैत छी, नहि डेराउ। देखू! अहाँक राजा आएब रहल अछि। ओ एगो गदहाके बच्चापर सबार अछि!”16जखन ई बात घटित भेल, त हुनकर चेला नहि बुझलक जे ई ओ बात पूरा भेल जे ओ प्रवक्तासब जे लिखने छल। ओनात, जखन परमेश्वर जे यीशुक महिमा हुनका जीवनमे वापस ल क अबैक कारणे, बादमे ओकरा ओ बात ध्यान आएल जे प्रवक्तासब जे हुनकर विषयमे शास्त्रमे लिखने रहथि आओर ई जे लोकसब जे ओकरासंगे एहि बातक कएने रहथि।17लोकसबके भीड़ जे यीशुक पाछु चलि रहल छल ओ दोसरस गवाही दैत छल जे ओसब यीशुक लाजरके कबरस बहरा आबएलेल बजबैत देखने छल आओर ओकरा मरलाके बाद यीशुक ओकरा फेरुस' जीवित क' देने रहथि।18लोकक किछु दोसर भीड़ यीशुस भेटैक लेल नगरक दुआरि बाहर गेल। ओसब एना एहिदुआरे कएलक किएकत ओसब सुनने रहथि जे ओ लाजर क फेरुस जीवित क क चमत्कारी चेन्हक प्रगट कएने रहथि।19तएं, फरिसीसब जे एक-दोसरस कहलक, “ध्यान दिऔ! हम हुनका रोकि पाबएमे विफल भ रहल छी। देखू! संसारके सबगोटे हुनकर चेला बनि रहल अछि!”20किछु लोक जे यहूदी नहि छल ओहि लोकक बीचमे छल जे यरूशलेमक गेल रहथि मुदा फसहके पर्वमे परमेश्वरके आराधना करए।21ओ फिलिपुस लग आएल, जे ओहि बेतसैदा नगरक रहबला रहथि, जे गलील प्रान्तमे अछि। ओसब हुनकास पुछलक, “हे यौ मालिक, की अहाँ हमरा यीशुस भेट करा देब?”22तहन फिलिपुस जे ई अन्द्रेयास क बतएलक, आओर ओ दुनू गेल आओर ओहि यूनानी सबहक विषयमे यीशुक बतएलक।23यीशु जे फिलिपुस आओर अन्द्रेयास क उत्तर देलक, “आब ई समय आएब गेल अछि जे परमेश्वर सब पर प्रगट करए जे हम, मनुष्यक पुत्र कतेक महिमामय छी।24हम अहाँस सत्य कहैत छी: हमर जीवन एकटा बिआक जकां अछि। जखनधरि गहुमक बिआ भूमिमे बाओग नहि कएल जाइत अछि आओर सड़ि नहि जाइत अछि, ओ मात्रे एगो बिआ मात्र रहत। मुदा जं ओ भूमिमे सड़ि जाइत अछि, तहन ओ उन्नति करत आओर बहुते गहुम उपजाएत।25जे केओ हमर चेला होअएस बढ़िक जीवित रहएलेल चाहैत अछि ओ मरत, मुदा जे केओ एहि पापी दुनियांमे जीवित रहैक स बढ़िक हमर चेला भेनाइ चाहैत अछि ओ अपन जीवन सदाके लेल रक्षा करताह।26जे केओ हमर सेवा करएलेल चाहैत अछि ओकरा हमर चेला बननाइ अवश्य अछि। हमर सेवक हमरासंगे स्वर्गमे रहैत। जे केओ हमर सेवा करैत अछि हमर पिता हुनकर सम्मान करथि।27एहि क्षण मनमे हम बड़ दुखित महसूस क रहल छी। हमरा निश्चय ई नहि करएके चाही, ‘हे पिता, एहि समय क महसूस करएस हमरा बचा लिअ जखन हम पीड़ित होएब आओर मारि जाएब!’ नहि, हम एना एहिदुआरे नहि करबनि, किएकत इएह त ओ कारण अछि जेकरास हम एहि समय धरि जीवित रहब जखन हम पीड़ित होएब आओर मारि जाएब।28हे पिता, अपन नाम प्रगट करु जे अहाँ कतेक महान छी!” तहन परमेश्वर स्वर्गस कहलखिन, “हम जे पहिने पहिनहि प्रगट क देने छी जे हम कतेक महिमामय छी, हम ई फेरुस करबनि!”29लोकक भीड़ जे ओतए ठाढ़ छल परमेश्वरक वाणी क सुनलक। ओहिमेस किछु जे कहलक जे ई त मात्रे मेघ गरजै क बोली अछि। किछु दोसर लोकसब जे कहलक जे एकटा स्वर्गदूत जे यीशुस बात कएने अछि।30यीशु जे ओकरा उत्तर देलथिन, “जे वाणी अहाँसब सुनली ओ परमेश्वरक वाणी अछि। ओ हमर लाभक लेल नहि, मुदा अहाँक लाभक लेल कहलनि!31आब एहि दुनियांमे रहनिहार लोकसबके न्याय करबाक परमेश्वरक समय आबि गेल अछि। आब ओ समय आबि गेल अछि जखन ओ एहि दुनियांके शासक बहराएल जाएत।32जत धरि हमर बात अछि, जखन लोक हमरा पृथ्वीके उपर क्रूसपर चढ़ौतैक, तखन हमसब लोकसबके अपने लग आबए ला उत्साहित करबनि।”33ओ ई एहिदुआरे कहलनि जाहि लोक ओहि तरीकाके जानि लए जेकरास ओ शीघ्रे मरतै।34तखन लोकक भीड़ जे हुनका उत्तर देलक, “हमसब पवित्र शास्त्रस पता कएने छी जे मसीह सबदिन धरि जीविते रहैत। त अहाँ किएक कहैत छी जे मनुष्यक पुत्र क्रूसपर मरएलेल उच्च पर चढ़ाएल जाएत? ई ‘मनुष्यक पुत्र’ के अछि जिनका विषयमे अहाँमे बाजि रहल छी?” 35यीशु ओकरास कहलक, “हम ओ इजोत छी जे परमेश्वरक सत्यता आओर भलाइके प्रगट करैत अछि। हम मात्रे किछु आओर समय धरि अहाँक संगे रहब। हमर उदाहरणक अनुसार जीवन व्यतीत करु जखन हम एखन एत पर छी जे अन्हारके अर्थात् पाप आओर दुष्टता अहाँपर नियन्त्रण करएस रोकी। जे पापी जीवन व्यतीत करैत अछि ओ ओहि लोकक जकां अछि जे अन्हारमे एमहर-ओमहर भटकैत रहैत अछि, आओर जनैत नहि जे ओ कत जा रहल अछि!36जखन जे हम एखनो अहाँक संगे छी, त हमरापर, अर्थात् इजोत पर विश्वास करु जे परमेश्वरक सत्यता आओर भलाइके प्रगट करैत अछि। परमेश्वरक लोक बनएलेल एना करु, अर्थात् ओ लोक जे हुनकर सत्यता आओर भलाइके जनैत अछि।” एहि बातक कहलाक बाद, यीशु ओकरा छोड़िक चलि गेल आओर स्वयंके लोकसबस नुका लेलक।37यद्यपि पहिनहि यीशु जे लोकसबके सामने बहुते स चमत्कारी चेन्हसब क प्रगट कएने रहथि, ओहिमेस बहुते जे ओहिपर विश्वास नहि कएलक।38यशायाह प्रवक्ता ने जे बहुत पहिने लिखने रहथि ओकरा सांच करएलेल ओकर अविश्वास घटित भेल: “हे प्रभु, जे हम जे कहली ओहिपर केओ जे त विश्वास नहि कएलक! एना लगैत अछि जे जेना केओ जे त ओहि शक्तिक नहि देखलक जेकरा परमेश्वर जे प्रगट कएने रहथि!” 39एहि कारणस ओ यीशुपर विश्वास नहि क पएलक यशायाह जे इहो लिखने अछि,40“जे ओ देखैत अछि प्रभु जे हुनका ओकरा बुझबएमे अयोग्य क देलक, आओर ओ ओकरा मनके ढीठ बना देने अछि। ओ एना एहिदुआरे कएने अछि ताहिस स जे ओ देखैत अछि ओ ओकरा नहि बुझए, आओर सत्यमे बुझि नहि सकैत, आओर पापस परमेश्वरक दिस नहि घुमि जाए, आओर हम ओकरा माफ नहि क दिऐ।” 41यशायाह जे बहुत पहिने ई एहिदुआरे लिखलक, किएकत ओसब देखने रहथि जे यीशुके कतेक महिमा अछि आओर ओकरा विषयमे बाजलाह।42यद्यपि ई सांच छल, एहिदुआरे सर्वोच्च यहूदी शासकीय परिषदक कतेको सदस्यसब जे यीशुपर विश्वास कएलक। तथापि त, ओसब दोसरसब क ई नहि बतएलक जे ओसब यीशुपर विश्वास कएलक, किएकत यहूदी शासकसबके ई डर छल जे फरिसी ओकरा यहूदी सभास्थलमे घुसएस' प्रतिवन्धित क' दितए।43ओ ओकरास एहिदुआरे डेराइत छल किएकत ओकरा पसीन छल जे दोसर लोक हुनका सम्मान करए, बल्कि एकर जे परमेश्वर ओकर सम्मान करए।44यीशु लोकक जे भीड़स उच्च स्वरमे बाजल, “जे हमरापर विश्वास करैत अछि ओ नहि मात्रे हमरापर विश्वास क रहल अछि मुदा हमर पिता पर सेहो विश्वास क रहल अछि, जे हमरा पठौने अछि।45जे हमरा देखैत अछि ओ हमर पिताक सेहो, जे हमरा पठौने अछि, देख रहल अछि।46हम एहि संसारमे इजोतके रुपमे आएल रही जे दुनियांमे रहबला सब लोकसबपर परमेश्वरक सत्यता आओर भलाइके प्रगट करैत अछि ताहिस जे केओ हमरापर विश्वास करैत अछि ओ ओहि अन्हारमे नहि रहितए जे की पाप आओर दुष्ट अछि।47हम कोनो एहन लोकसबके दोषी नहि ठहरबैत छी जे हमर बातसब सुनैत अछि, मुदा ओकर पालन करएस अस्वीकार करैत अछि, किएकत हम एहि दुनियांमे एहिदुआरे नहि आएल जे एहि दुनियांमे रहबला लोकसबके दोषी मानी। बल्कि एकर, हम एहि दुनियांमे एहिदुआरे आएल छी ताहिस ओकरा ओकर पापक दण्ड भेटए स बचा सकी।48जे केओ हमरा अस्वीकार करैत अछि आओर हमर शिक्षासबके स्वीकार नहि करैत अछि आओर ओकर पालन नहि करैत अछि ओकरा ओहि शिक्षासब अनुसार दोषी मानल जाएत जे हमहीं कहने छी। अन्तिम दिनमे जखन परमेश्वर सबहक न्याय करतै, त परमेश्वर हमर शिक्षासबके आधार पर ओहि लोकक न्याय करतै।49एना एहिदुआरे घटित होएत किएकत हम अपन अधिकारस नहि बजैत छी। बल्कि एकर, हमरा की कहबाक चाही आओर हमरा ओकरा कोना कहबाक अछि, अपने हमर पिता जे, जे हमरा पठौलनि, हमरा एकरा विषयमे आज्ञा देने अछि।50हमरा निश्चय अछि जे हमर पिता जे हमरा कहिकए आज्ञा देने अछि ओएह अछि जेकरापर लोकसबके स्वर्गमे सदा जीवित रहएके लेल विश्वास करैत अछि। एहिदुआरे हम मात्रे ओएह करैत छी जे हमर पिता जे हमरास कहिक लेल बाजल अछि।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.