John13
1फसहके पावनि शुरु होअएस' एकदिन पहिने, यीशु जनैत छल जे ई हुनकालेल एहि दुनियांके छोड़ि आओर अपन पितालग वापस जाएके समय अछि। ओ सदिखन अपन चेलासबस प्रेम कएलखिन जे एहि दुनियांमे हुनकर संगे छलथि, आओर ओ ओकरास पूरा प्रेम कएने रहथि।2जाहि समय यीशु आ हुनकर चेला अपन रातिके भोजन खा रहल छलथि, त सिमोन इस्करियोतीके बेटा, यहूदाके शैतान पहिनहि ई मनमे सोंचएलेल उत्साहित क' चुकल छल जे ओकरा यीशुक बंदी बनबएमे यहूदी अगुवासबके मदति करएके चाही।3यीशु जनैत छल जे हुनकर पिता जे हुनकासब चीजपर सम्पूर्ण शक्ति आओर अधिकार प्रदान क देने अछि, आओर यीशु इहो जनैत छलथि जे ओ परमेश्वरक लगस आएल अछि आओर शीघ्रे परमेश्वरक लग घुरि जाएत।4किएकत ओ ओहि बातसब क जनैत छल, एहिदुआरे, यीशु ओहि टेबुल स उठि जत रातिके ओ भोजन खा रहल छल, ओ अपन उपरका कपड़ा उतारि देलक, आ अपन डांढ़क चारुदिस एकटा गमछा लपेटि लेलथि।5ओ एगो नमहर कठौतीमे पानि भरलक आओर अपन चेलासबहक चरण क धोनाइ शुरु क देलक आओर ओकरा ओहि गमछास पोछिक सुखब लागल जेकरा ओ अपन डांढ़मे चारुदिस लपेटने रहथि।6जखन ओ सिमोन पत्रुस लग ओकर चरण धोएलेल आएल, त पत्रुस हुनका कहलक “हे प्रभु, अहाँक हमर पयर नहि धोअक चाही!”7यीशु जे ओकरा उत्तर देलक, “एहि समय त अहाँ नहि बुझति छी जे हम की क रहल छी, मुदा बादमे अहाँ बुझबए।”8पत्रुस जे कहलक, “अहाँ सत्यमे हमर पयरक कखनो नहि धो सकैत!” यीशु जे ओकरा उत्तर देलथिन, “जं हम अहाँक नहि धोएब, त अहाँ हमरासंगे परमेश्वरक आशीषसबमे भागी नहि होएब।”9सिमोन पत्रुस हुनकास कहलक, “हे प्रभु, मात्रे हमर पएरक नहि धोउ! हमर हाथ आ हमर माथ सेहो धो दिअ!”10यीशु ओकरास कहलक, “जेकरा केओ जे धो देने अछि ओकरा मात्रे ओकर पयर मात्रे धोएबाक जरुरति अछि। ओकर आओर देह शुद्ध अछि। अहाँ चेला शुद्ध छी, मुदा अहाँसब शुद्ध नहि छी।”11यीशु जे ई बात आत्मिकरुपस शुद्ध होअए क विषयमे कहलनि, किएकत ओ जनैत छलथिन जे के हुनका बंदी बनबए क लेल यहूदी अगुवासब क मदति करए लेल जा रहल अछि। एहिदुआरे स ओ कहलनि, “अहाँमे आ सब शुद्ध नहि छी।”12जखन ओ ओकर पयरक धोनाइ समाप्त क चुकलाह, त ओ अपन बहरका कपड़ाक पहिर लेलखिन। तेकरबाद ओ फेरुस टेबुलपर बैसि गेलथिन आओर ओ कहलनि, “अहाँक अवश्य बुझबाक चाही जे हमहीं एखन अहाँक लेल की कएने छी!13अहाँ हमरा ‘गुरु’ आओर ‘प्रभु’ बड़ नीके कहैत छी, किएकत हम ओएह छी।14त जं हम, अहाँक गुरु आओर प्रभु, जे अहाँक पयर धोएबाक कारणे विनम्रतापूर्वक अहाँक सेवा कएलहुं, एहिदुआरे अहाँक सेहो एक-दोसरके पयरक धोक कारणे विनम्रतापूर्वक एक-दोसरके सेवा करएके चाही।15अहाँक पयर धोएबाक कारणे हम अहाँक अनुसरण करए लेल एकटा उदाहरण प्रदान कएने अछि जेकरास जे अहाँक विनम्रतापूर्वक एक-दोसरके सेवा करए क चाही जाहि तरहेंस हम विनम्रतापूर्वक अहाँक सेवा कएलहुं।16हम अहाँस' सांच्चे कहि रहल छी:जाहि तरहेंस एगो सेवक अपन मालिकके तुलनामे बेसी महत्वपूर्ण नहि अछि, आओर नहि सन्देश ल जाएबला ओहि लोकक तुलनामे बेसी महत्वपूर्ण अछि जे ओकर सन्देशवाहक अछि, ओनाहिए अहाँ हमर तुलनामे बेसी महत्वपूर्ण नहि छी।17त जं आब अहाँ जे जनैत छी जे अहाँक विनम्रतापूर्वक एक-दोसरके सेवा करए क चाही, एहिदुआरे जं अहाँ एना करैत छी त परमेश्वर अहाँक आशीष देताह।18हम ई नहि कहि रहल छी जे अहाँमेस' सबगोटे आशीषित होएत। हम ओहि लोकसबके नीक जकां जनैत छी जेकरा हमहीं हमर चेला होबएके लेल चुनने छी। ओना, जे घटित होएबला अछि से घटित होएबाक चाही ताहिस प्रवक्ता जे पवित्र शास्त्रमे जे बात लिखल अछि ओ पूरा भ' सकए: ‘जे हमरासंगे एक मित्रक जकां भोजन कएलक ओएह जे हमर विरोध कएलक।’ 19आब स हम अहाँक ओकरा घटित होअएस पहिने जे बात कहि रहल छी जे की घटित होएत जेकरास जे, जखन ओ घटित ओहि, त अहाँ विश्वास करी जे हम पहिनहि परमेश्वर छी। 20हम अहाँस सत्य कहि रहल छी:जे केओ ओकरा स्वीकार करैत अछि जेकरा हम बहरा भेजैत छी ओ हमरो जे स्वीकार करैत अछि; आओर जे केओ हमरा स्वीकार करैत अछि ओ हमर पिताक सेहो स्वीकार करैत अछि जे हमरा पठौने अछि।”21जखन यीशु जे एना कहलखिन, त ओ आत्मामे व्याकुलता महसूस कएलखिन। ओ गम्भीरतापूर्वक गवाही कएलथि, “हम अहाँस सांच्चे कहि रहल छी: अहाँमेस एकटा हमर विरोधीसब क दिअ जा रहल अछि।”22हुनकर चेला एक-दोसरके देख लागल आओर आश्चर्य कर लागल जे ओकरा बीचमे के अछि जेकरा विषयमे ओ बाजि रहल अछि।23हुनकर चेला सबमेस एगो, यूहन्ना जेकरास यीशु प्रेम करैत छलाह, टेबुलपर यीशुक पजरामे बैसल रहथि।24सिमोन पत्रुस जे हुनका संकेत करए क लेल एगो इसारा कएलक जे ओ यीशुस पुछलक जे ओ कोन चेलाके विषयमे बाजि रहल अछि।25एहिलेल, यूहन्ना यीशुक दिस घुमिक झुकल आओर झटस हुनकास पुछलक, “हे प्रभु, ओ के अछि जे अहाँक धोखा देत?”26यीशु जे उत्तर देलथिन, “ई ओएह मनुष्य अछि जेकरा हम ई रोटीके टुकड़ा बाटी मे बोरिक देबै।” फेरु ओ रोटीके बाटी मे बोरिक आओर ओकरा सिमोन इस्करियोतीके बेटा, यहूदाक द देलक।27जखन यहूदा जे यीशुस ओहि रोटीके टुकड़ा क लेलक, ओनाहिए शैतान जे ओकरापर नियन्त्रण क लेलक। तखन यीशु ओकरास बाजलाह, “जे करए क योजना अहाँ बनौने छी ओकरा तुरन्ते करु।”28टेबुलपर बैसल मे स आओर दोसर जे नहि जनैत छल जे यीशु यहूदाके एना किएक कहने छलथि।29ओहिमेस किछु जे सोंचलक जे यीशु ओकरास जाक किछु समान किनलेल जेकर हुनका पावनि मनबए ला जरुरति अछि वा गरीबसबके किछु रुपैया दिअ लेल कहि रहल अछि। ओ एना एहिदुआरे सोंचलक किएकत यहूदाक लग ओ बटुआ रहैत छल जेकरामे हुनकर रुपैया राखल रहैत छल।30तएं यीशुस यहूदाक रोटी ल लेलाके बाद, ओ तुरन्ते बहरा चलि गेल। ई रातिके समय छल।31तएं, यहूदाक चलि गेलाकबाद, यीशु कहलथि, “आब परमेश्वर जे लोकसबपर प्रगट कएने अछि जे की हम, मनुष्यक पुत्र कतेक महिमामय छी। हमहूं जे लोकसबपर प्रगट कएने छी जे परमेश्वर कतेक महान छथि।32परमेश्वर अपने लोकसबपर प्रगट करथिन जे हम, मनुष्यक पुत्र, कतेक महिमामय छी, आओर ओ एकरा एखन करितए।33अहाँ जेकरा हमहूं एना प्रेम कएलिऐ जेना जे अहाँ हमरे सन्तान होअए, हम खाली किछु आओर समय धरि अहाँक संगे रहब। तखन अहाँ हमरा खोजब, मुदा ई बिलकुल ओहिना होएत जेना हमहूं यहूदी अगुवासबस' बाजल रही आओर आब हम अहाँस बाजि रहल छी: जत हम जा रहल छी अहाँ ओकर जगहमे आबएमे सक्षम नहि भ पाएब।34आब हम अहाँक ई नव आदेश दैत छी जे अहाँ एक-दोसरस प्रेम करु:अहाँक एक-दोसरस एहि तरहेंस प्रेम करबाक चाही जेना हम अहाँस प्रेम कएने रही।35जं अहाँ एक-दोसरस प्रेम करैत छी, त सबगोटे जे ओहि प्रेमके देखए ओ जानि जाएत जे अहाँ हमरे चेलासब छी।”36सिमोन पत्रुस जे हुनकास कहलक, “हे प्रभु, अहाँ कत जा रहल छी?” यीशु जे उत्तर देलथिन, “जत हम जा रहल छी अहाँ हमरासंगे ओहि जगहमे एखन त नहि जा सकैत छी, मुदा बादमे अहाँ ओतए जाएब।”37पत्रुस हुनकास कहलखिन, “हे प्रभु, हम अहाँसंगे एखन किएक नहि जा सकैत छी? हम त अहाँके लेल अपन प्राणो देब लेल सेहो तैयार छी!”38यीशु जे उत्तर देलथिन, “अहाँ सत्यमे हमरालेल अपन प्राण देब लेल तैयार नहि छी! हम अहाँस सांच कहि रहल छी: अहाँ सत्यमे तीनबेर कहब जे अहाँ हमरा नहि जनैत छी एहिस पहिने जे भिनसर भेलापर मुर्गा बांग दए!”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.