James4

1अहाँसबके बीचमे लड़ाइसब कत' स' आबि गेल आ झगड़ा सेहो कत' स' अबैत अछि? ई अहाँसबके मनके ललसा स' अबैत अछि जे अहाँके शरीरमे लड़ैत-झगड़ैत अछि।2अहाँ लोभ करए छी, आ अहाँके भेटैत नहि अछि। तएं अहाँसब ओ प्राप्त करए हत्या आ डाह करैत छी, आ अहाँ लिअमे सक्षम नहि होएत छी। अहाँ लड़ैत आ झगड़ैत छी। अहाँके एहिलेल नहि भेटैत अछि किएकत' अहाँ परमेश्वरस' प्रार्थनामे नहि मंगैत छी।3अहाँसब परमेश्वरस प्रार्थनामे मंगैत छी आ अहाँके भेटैत नहि अछि, किएकत' अहाँ खराब मनस' मंगैत छी, जाएस' अपन भोग-विलासमे खर्च क' दी।4हे परमेश्वरके लेल अविश्वासयोग्य लोकसब! की अहाँ नहि जनैत छी जे एहि संसारस' मित्रता कएनाइ परमेश्वरक संगे दुश्मनी कएनाइ अछि? एहिलेल जे केओ एहि संसारक मित्र होबए चाहैत अछि ओ परमेश्वरक शत्रु बनि गेल अछि। 5आ जे अहाँ ई सोंचैत छी जे पवित्र शास्त्र व्यर्थ ई कहैत अछि जे, “जाहि आत्माके ओ हमरामे बसएने अछि ओ ईर्ष्याके ललसा करैत अछि?” 6मुदा ओ परमेश्वर त' आओर बेसी अनुग्रह करैत अछि। एहिलेल ओ कहैत अछि, “परमेश्वर अभिमानी के त' विरोध करैत अछि, मुदा ओ नम्र लोकपर अनुग्रह करैत छथि।” 7एहिलेल, परमेश्वरक अधीन भ' जाउ। आ शैतानक सामना करु, आओर ओ अहाँक लगस' भागि जाएत।8परमेश्वर लग आउ आ ओहो अहाँ लग औताह। हे पापीसब, अपन हाथके शुद्ध करु; आओर हे झूठ भक्तिबला लोकसब, अपना हृदयके पवित्र करु। 9दुखित होउ आ शोक करु आ कानू! अहाँके हंसी शोकमे, आ अहाँके खुशी दुखमे बदलि जाए।10प्रभु लग नम्र बनि जाउ, आ ओ अहाँके सरताज बनाओत। 11हे भाइसब, एक-दोसरके विरुद्धमे नहि बतिआउ। जे लोक कोनो भाइके विरुद्धमे बतिआति अछि आ अपना भाइपर दोष लगबैत अछि ओ व्यवस्थाके विरुद्धमे बतिआति अछि आ व्यवस्थापर दोष लगबैत अछि। मुदा यदि अहाँ व्यवस्थापर दोष लगबैत छी, त' अहाँ व्यवस्थाके मानएबला नहि, मुदा ओकरापर न्यायाधीश भ गेली।12व्यवस्था देनिहार आ न्यायाधीश त' ओएह परमेश्वर छथि, आ ओहे अछि जे उद्धार करए आ नाश करएमे सक्षम अछि। मुदा अहाँके छी, जे अपना पड़ोसीपर दोष लगबैत छी?13आब आउ, जे ई कहैत छी जे, “आइ वा काल्हि हम एहि नगर वा ओहि नगरमे जाएब आ ओत' एक वर्ष रहिक' आ व्यापार क' क' लाभ कमाएब।”14अहाँ जे आबएबला दिनक बात नहि बुझति छी, अहाँक जीवन अछि की? किएकत' अहाँ धुआंक जकां छी जे किछुकाल लेल देखाए दैत अछि आ फेरु बिला जाएत अछि। 15एकर बदला, अहाँके कहबाक चाही, “यदि प्रभुक इच्छा होए, त' हम जीवित रहब आ इहो करब आ ओहो करब।”16मुदा आब अहाँ अपन मिथ्याभिमान पर घमण्ड करए छी। एहि तरहें सब घमण्ड खराब होएत अछि।17एहिलेल जे केओ भलाइ करए जनैत अछि आ ओकरा नहि करैत अछि, ओकरालेल ई पाप अछि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67