James3
1हे यौ हमर भाइ, अहाँमेस' बहुते गोटे शिक्षक नहि बनू, ई बुझितो जे शिक्षकसबके न्याय आओर लोकसब बेसी कठोरतास होएत।2किएकत' हमहींसब बेसी ठेंस खाइत छी। जं केओगोटे वचनस' ठेंस नहि खाइत अछि, त' ओ एगो सिद्ध पुरुष छथि, जे सारा शरीरपर सेहो लगाम लगबए मे सक्षम छथि।3आब जं हमसब घोड़ाके अपन आज्ञा मानि लेबाक लेल ओकर मुंहमे लगाम लगा दैत छिऐ त', हमसब ओकर सारा शरीरके सेहो नियन्त्रण क' सकैत छिऐ।4जहाजके सेहो देखियौ, ओ बड़ नमहर त' होइत अछि आ तेज हवास' चलाओल जाइत अछि, ओकरो त' छोटके पतवारस' ओमहर घुमाओल जाइत अछि जेमहर ओकर संचालकके इच्छा होइत अछि।5ओहिना जिउ सेहो एगो छोटका अंग अछि, मुदा ओ बड़का-बड़का बातके दाबी करैत अछि। देखियौ जे कोनो एगो छोटका लुत्ती एकटा बढ़का जंगलके जरा दैत अछि।6जिउ सेहो एकटा आगि जकां अछि, आ एगो अधर्मके दुनियां अछि। जिउ जेकरा हमरासबहक अंगमे राखल गेल अछि, एगो एहन वस्तु अछि जे सौंसे देहपर दोष लगबैत अछि आ अस्तित्वक कार्य प्रणालीमे आगि लगबैत अछि आ एकरा नरकके जेकरा आगिस' कुण्डके प्रज्ज्वलित कएल गेल अछि।7किएकत' सब प्रकारक', वनैया पशु आ चिड़ै दुनू, रेंगएबला जानबर आ समुद्रक जीव सेहो, मनुष्येके द्वारा वशमे कएल जा रहल अछि आ ओ वशमे क' लेल गेल अछि।8मुदा मनुष्यमेस' केओ अपन बोलीके वशमे करएमे सक्षम नहि अछि, जे एगो क्षणिक गलती अछि, आ ई प्राण नाशक विषस' भरल अछि। 9एहिस' हम प्रभु अपनासबके पिताके धन्य कहैत छिएन्हि, आ एहिस' मनुष्यके सराप सेहो दैत छिऐ, जे परमेश्वरक स्वरुपमे जनमल अछि।10एके मुंहस' आशीष आ सराप दुनू निकलैत अछि। हे यौ भाइ, ई बातसब एहि तरहें होअए, एना आवश्यक नहि अछि।11कोनो स्रोतके एके मुंहस' मीठ आ कड़ुआएल पानि नहि बहैत अछि। की एहन होइत अछि?12हे यौ भाइसब, एगो अंजीरक गाछ जैतून उत्पन्न करएमे सक्षम नहि होइत अछि, की नहि, आ कोनो अंगूर बगानमे, अंजीर फड़बएमे? आ नहि नूनगरके मीठ पानि बनबएमे।13अहाँमेस' के एहन अछि जे बुद्धिमान आ समझदार छथि? ओ ज्ञानक विनम्रतामे रहिक' नीक व्यवहारस' अपन काजके प्रस्तुत करैत अछि।14मुदा जं अहाँ अपना मनमे ईर्ष्या आ महत्वाकांक्षा रखैत छी, त' ई सत्यके झांपएलेल अपन बुद्धि आ झूठ पर घमण्ड नहि करु।15ई ज्ञान ओ नहि अछि जे उपरस' आएल अछि, हं, ई सांसारिक, शारीरिक, आ शैतानी अछि।16किएकत' जत' ईर्ष्या आ महत्वाकांक्षा पाएल जाइत अछि, ओतए अशान्ति आ सबटा दुष्कर्मो पाएल जाइत अछि।17मुदा स्वर्गमे भेल परमेश्वरस' आएल बुद्धि सर्वप्रथम त' पवित्र होइत अछि, ओकरबाद शान्ति प्रिय, संयम, सहयोगी, कृपा आ नीक फलसब स' भरल, निष्पक्ष, निष्कपट होइत अछि।18आ धार्मिकताक फल शान्तिक संगे एहन लोकसबस' रोपल गेल अछि जे शान्ति स्थापित करैत अछि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.